भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Monday, February 25, 2008

मधुक एक ठोप ( मैथिली भाषा लघु कथा)


कुरुक्षेत्रक भीषण रक्तपातक बाद, अपन सभ पुत्र गवाँ चुकल शोकसँ संतृप्त धृतराष्ट्रक दुःख विदुरक समक्ष अश्रुधाराक रूपमे बहि निकललनि ! तखन ओऽ सेविका पुत्र (विदुर) हुनका समक्ष वर्तमान स्थितिक अनुकूल एक उपदेशात्मक नीति-कथाक वर्णन केलखिन !
विदुर कहलखिन "आइ एकटा ब्राह्मणक कथा अपनेकेँ बताबैत छलहुँ ! जे जंगली पशुसँ भड़ल जंगलमे पथ - भ्रमित भऽ गेलखिन रहए ! शेर आर चिता, हाथी आर भालूक चीख, चिंघाड़, आर गर्जनक एहन दृश्य जे मृत्युक देवता, यमोक मोनमे सिहरन पैदा कऽ दैतियनि! ब्राह्मणोकेँ ओऽ वातावरण डरा देलकनि रहए! हुनकर सम्पूर्ण शरीर भयसँ थरथराइत रहनि ! हुनकर मस्तिष्क आशंकासँ भरल रहनि आर हुनकर भयभीत मोन कुनू देवताकेँ व्याकुल भए तकैत रहनि, जे हुनकर प्राणकेँ भयावह वनचरसँ बचाऽ सकतियनि ! लेकिन ओइ बर्बर जानवरक गर्जनासँ सम्पूर्ण जंगल प्रतिध्वनित भऽ कs हुनकर उपस्थितिक आभास करबैत रहनि !ब्राह्मणकेँ एहन प्रतीत होइ छ्लनि की जतए-जतए ओ जाइत छथिन, जानवरक गर्जना हुनकर प्रतिच्छाया बनि कए हुनकर पीछा करैत छ्लनि ! अचानक हुनका लागलनि की ओऽ भयावह जंगल एक घन जाल बुनि कs हुनका आर डरा रहलनि-ए! जंगलक गहनता एक डराओन स्त्रीक रूप धरि, अपन दुनु हाथ पसारि कs हुनका अपनामे विलीन करएक निमंत्रण दऽ रहलनि-ए!जंगलक बीचमे एकटा इनार रहनि जे घास आर बड़का-बड़का लत्तीसँ झाँपल रहए ! ओऽ ओही इनारमे खसि गेलखिन आर लत्तीक सहारासँ कुनू पाकल आम जेकाँ लटपटा कs माथक भर उलटा लटकि गेलखिन ! हुनका लेल डरक बादल गहींर भेल जाइत रहनि! इनारक तलमे ओऽ एक राक्षसी सांप देखलथि, इनारक मुंडेर पर एक बड़का हाथी जकर छः मुँह आर बारह पैर रहनि , ओ मंडरबैत रहए ! आर लत्तीक बीचमे बनल मधुमाछीक छत्ताक चारू दिस विशालकाय मधुमाछी ओकर भीतर-बाहर भिनभिनाबैत रहए ! मधुमाछीक छत्तासँ टपकै बला मौधक किछु ठोप लटकल ब्राह्मणक मुँह पर खसलनि ! ओइ लटकल परिस्थितियोमे ओऽ ब्राह्मण शहदक ओऽ बूंद केँ नञि छोड़लखिन ! जतेक बूंद गिरैत रहनि, हुनका ओतेक संतोष प्राप्त होइत रहनि ! मुदा हुनकर इच्छा शांत नञि होइत रहनि ! ओऽ आर जीवित रहए लय चाहैत रहथिन ! जखन ओऽ शहदक मज़ा लैत रहथि तखने ओऽ देखलखिन की जै लत्ती पर ओऽ लटकल रहथिन ओइ लत्तीकेँ किछु उज्जर आर कारी मूषक (मूस) अपन धरगर दांतसँ काटि रहलनि-ए! हुनकर भय आर बढ़ि गेलनि ! ओऽ भयसँ चारूदिस घिरि गेलथि, कखनो हुनका मांसाहारी जानवरक भय, तँ कखनो डराओन स्त्री, राक्षसी सांप तँ कखनो ओइ लत्तीक भय होइत रहनि जकरा मूषक (चूहा) अपन दांतसँ कुतरैत रहए। भएक एहि बहावमे ओऽ माथक बल लटकल छथि ! अपन आशाक संग , मधुक रसास्वादक तीव्र आकांक्षा लऽ कs ओइ जंगलमे हुनका जीवित रहबाक आर प्रबल इच्छा रहनि!
विदुर धृतराष्ट्रसँ कहैत छथिन " ई जंगल एक नश्वर संसार अछि; एहि संसारक भौतिकता एक इनार आर अंधकारमय इनारक चारू दिसक स्थान कुनू व्यक्ति विशेषक जीवन चक्रकेँ कs दर्शाबैत अछि ! जंगली पशु रोगक प्रतीक अछि तँ डराओन स्त्री नश्वरताक द्योतक ! इनारक नीचां बैसल विशालकाय सांप ओऽ काल अछि, जे समयकेँ लीलए लऽ पर्याप्त अछि ! एक वास्तविक आर संदेहरहित विनाशकक तरह ! लत्तीक मोह - पाशमे ब्राह्मण लटकल छथि जे स्वरक्षित जीवनक मूल प्रवृति छथि, जकरासँ जीव बाँचल नञि अछि ! इनारक मुंडेर पर छः मुखी हाथीक प्रतीक ई अछि, छः मुख अर्थात छः ऋतु आर बारह पैर माने सालक बारह मास ! लत्तीक कुतरए बला मूस ओऽ दिन राति अछि, जे मनुष्यक आयुकेँ अपन धरगर दाँतसँ कुतरि-कुतरि कs कम क्ऽ रहल अछि ! यदि मधुमाछी हमर सबहक इच्छा अछि तँ मधुक एक बूंद ओऽ तृप्ति जे इच्छामे निहित अछि ! हम सब मनुष्य इच्छाक अथाह समुद्रमे शहद रूपी काम-रसक भोग करैत डूबि-उतरि रहलहुँ-ए!
एहि तरहेँ विद्वान लोक जीवन चक्रक व्याख्या केने छथि, आर ओकरासँ मुक्तिक उपाएसँ अवगत करेने छथि !