भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२५. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २०००-२०२२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.html, http://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Showing posts with label जितेन्द्र झा जनकपुर. Show all posts
Showing posts with label जितेन्द्र झा जनकपुर. Show all posts

Wednesday, March 11, 2009

मिथिला परिक्रमा सम्पन्न


जनकपुर । मिथिलाक 15 दिना मध्यमा परिक्रमा बुधदिन सम्पन्न भेल अछि । जनकपुरमे रामजानकी र मिथिला विहारीक डोला अन्तरगृह परिक्रमा कएलाक बाद मध्यमा परिक्रमा सम्पन्न भेल अछि । नेपाल आ भारतक 1 सय 33 किलोमिटर दुरीमे रहल विभिन्न धार्मिक स्थलके भ्रमणक' परिक्रमा डोला मंगलदिन जनकपुरमे आबिक' विश्राम कएने छल ।

धनुषा जिलाक ठेराकचुरी मठसं फ़ागुन 13 गते परिक्रमा शुरु भेल छल । परिक्रमामे जनकपुरक हनुमाननगर होइत भारतको करुणा, विशौल, महोत्तरी जिलाक मटिहानी,जले·ार, मडइ, ध्रुव कुण्ड, कंचन वन, क्षिरे·ार, सतोषर, पर्वत्ता, औरही आ फ़ेरो पुन भारतक करुणा विशौल होइत वृहत्तर जनकपुर क्षेत्र पडैत अछि । परिक्रमामे सहभागी साधुसन्त, महन्थ आ श्रद्धालु भक्तजन पएरे चलिक' इ परिक्रमा पुरा करैत अछि । मंगलक राति सम्मत जराओल गेल । जनकपुर नगरको अन्तगृह परिक्रमामे नेपाल आ भारतक श्रद्धालुक अपार भीड रहैत अछि ।

महामूर्खक उपाधि !




जनकपुर । प्राचीन मिथिलाको राजधानी जनकपुरमे होरी मनएबाक क्रममे महामुर्ख सम्मेलन आयोजन कएल गेल अछि । स्थानीय जानकी मन्दिरमे मंगलदिन रंग अबिर खेलैत महामूर्ख सम्मेलन सम्पन्न भेल । मिथिला नाट¬ कला परिषद होरीक अवसरमे हास्य कवि गोष्ठी आ महामुर्ख सम्मेलन करैत आएल अछि ।



महामूर्ख आ कवि गोष्ठी कार्यक्रममे स्थानीय राजनीतिकर्मी, बुद्विजिवी, व्यापारी, पत्रकार सहितके सहभागिता छल । सम्मेलनमे वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र विमल, कलाकार सुनिल मल्लिक सहित तीन दर्जनसं बेशी गोटेके महामुर्ख, पटमुर्ख, गदहा मुर्खक उपाधि देल गेल । कवि गोष्ठीमे प्रधानमन्त्री प्रचण्ड, काँग्रेसक सभापति गिरिजाप्रसाद कोइराला, एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल, फ़ोरम अध्यक्ष उपेन्द्र यादव सहितक नेताके व्यंग्य करैत कविता वाचन कएने रहैथ ।



Saturday, February 14, 2009

कम्प्युटरसं मैथिली जोडबाक प्रयास


जितेन्द्र झा
मैथिली भाषासं सेहो कम्प्युटर अपरेट कएल जाए ताहिलेल प्रयास शुरु भेल अछि । परिष्कृत आ समृद्ध भाषा मैथिली एखनो आन भाषाक अपेक्षा कम्प्युटर प्रविधिमे पाछुए अछि ।
पटनामे फ़्युल प्रोजेक्ट अन्तर्गत मैथिली कम्प्युटरीकरण शब्दावलीक मानकीकरणलेल दु दिवसीय कार्यशाला सम्पन्न भेल अछि । फ़्युल (फ़्रिक्वेन्टनली युज्ड एन्ट्रीज फ़र लोकलाईजेशन) एक ओपन सोर्स प्रोजेक्ट अछि । ई विभिन्न प्लेटफ़र्मके लेल प्रयोग कएल जाएबला कम्युटर शब्दावलीके मानकीकरणके काज विभिन्न भाषाक लेल कएल करैत अछि ।
एहि अवसरपर मैथिलीक विद्वान पण्डित गोविन्द झा कम्प्युटरलेल विशेष रुपे शब्द गढल जएबाक चाही मुदा एखन सामान्य शब्दसं काज चलि जाए त नीक । मैथिली एकेडमीक निर्देशक रघुवीर मोची जमीनी शब्द प्रयोग करबापर जोड दैत कहलनि जे मैथिलीके अपन क्षेत्र विस्तार करबाक चाही । कम्प्युटरमे मैथिलीक लेल कएल जारहल काजके दूरगामी प्रभाव रहल ओ कहलनि ।
प्रोजेक्ट संयोजक राजेश रंजन फ़्युलक कम्प्युटर मानकीकरणके कार्यविधिके विषयमा जनतब दैत कहलनि जे इ समुदाय आधारित प्रोजेक्ट अछि । कार्यक्रममे कम्प्युटरमे बेशी प्रयोग होब' बला 5 सय 78 शब्दपर गहन विचार क" मानक पर आम सहमति बनाओल गेल । मैथिली कम्प्युटक लेल शब्द गढबालेल ई पहिल प्रयास छल ।
कार्यक्रम एएन सिन्हा इन्स्टिच्युट अफ़ इन्स्टीच्युट अफ़ सोसल स्टडिजमे भेल छल जाहिमे रामानन्द झा रमण, मोहन भारद्वाज, सुधीर कुमार, जयप्रकाश, राकेश रोशन, संगीता सहितक विद्वान, अनुवादक आ कम्प्युटर उपभोक्ता सहभागी छल ।

Wednesday, February 11, 2009

सांस्कृतिक परिषद गठन

मधुबनीमे मैथिली साहित्यिक एवं सांस्कृतिक परिषद गठन कएल गेल अछि । बी एम कलेज रहिकाक प्राचार्य डा सुरेन्द्र लाल दासक अध्यक्षतामे स्थानीय बाबु साहेब डयोढी स्थित प्राचार्य डा कुलधारी सिंहक आवासपर भेल बैसारमे परिषद गठन कएल गेल । एहि परिषदक संरक्षक प्राचार्य डा कुलधारी सिंहके बनाओल गेल अछि । परिषदक अध्यक्ष प्राचार्य डा सुरेन्द्र लाल दास, उपाध्यक्ष डा नरेश मोहन झा, सचिव भोगेन्द्र मिश्र, संयुक्त सचिव अनिल कुमार ठाकुर आ कोषाध्यक्षमा दिलीप कुमार झा चयन भेल छैथ । एहिके अतिरिक्त कार्यकारिणी सदस्यमें जीवछ ठाकुर,प्रो भोगेन्द्र झा, हेमचन्द्र झा, श्यामानन्द मिश्र, ललन कुमार झा, डा हमेश चन्द्र चौधरी, प्रो देवनारायण झा आ डा दमन कुमार छैथ। कार्यक्रममे भाकपा नेता भोगेन्द्र झा तथा शिक्षाविद जयकान्त मिश्रक निधनपर शोक व्यक्त कएल गेल ।

Monday, February 09, 2009

विष्णुके भेटलनि विष्णु भगवान !

खेतसं निकलल प्राचीन मूर्ति
जितेन्द झा

जनकपुर (नेपाल ) । जनकपुरमे भगवान विष्णुक प्राचीन मूर्ति निकलल अछि । कारी रंगके पत्थरसं बनल ई मुर्ति तीन फ़िट लम्बा आ डेढ फ़िट चौडा अछि । 50 किलो वजनके कलात्मक एहि मूर्तिसंगहि आओर दुगोट मूर्ति सेहो निकलल अछि । जनकपुर वार्ड नं 15 रामपुर स्थित बिजय चौधरीक खेत खनिरहल अबस्थामे विष्णु मण्डल मूर्ति भेटलनि । एखन मूर्तिके जनकपुर वार्ड नम्बर 12 स्थित कुपे·ारनाथ महादेव मन्दिरक दक्षिण भागमे स्थापना कएल गेल अछि । मूर्ति दर्शनबास्ते मन्दिरमे श्रद्वालुक भीड लागल अछि ।

जनकपुरक राम स्वरुप रामसागर बहुमुखी क्याम्पसक प्राध्यापक जगन्नाथ झा मुर्तिक स्वरुप 14 म् शताब्दिमे निर्मित सिम्रौनगढक कलासं प्रभावित रहल कहलनि । मूर्तिक आवश्यक अनुसन्धान तत्काल शुरु करबाक आवश्यकता रहल झा कहलनि । मूर्ति सुरक्षा लेल मन्दिरक सुरक्षा व्यवस्था मजबुत कएल गेल स्थानीय प्रशासन जनौलक अछि । मूर्तिक वास्तविकता सम्बन्धमे अनुसन्धान भरहल धनूषाक प्रहरी उपरीक्षक (एस पी ) यादवराज खनाल बतौलनि ।



SOME NEW BOOKS FROM VIDEHA EJOURNAL ARCHIVE

SOME NEW BOOKS FROM VIDEHA EJOURNAL ARCHIVE   I.A PARALLEL HISTORY OF MITHILA & MAITHILI LITERATURE [TOME 1-4; VOLUMES 1-100] BY GAJENDR...