भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२५. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Friday, February 22, 2008

एक अलग पहचान !

कतेक सुखद हेतीए, अगर लोग के बिच मs आहा के एक अलग पहचान रहतीए ? लोग अपने कs पसंद करैथ, अपने स मिलब पसंद करैथ, अपने के बात कs ध्यान सs सुनैथ, इ हर इन्शान के चाहत होइत अछि !!

मुदा अपने कs इ माने परत की इ सब एतबो आसान नै छै ! एक अलग शख्सियत के मालीक हेनै बहुत मुश्किल अछि ! खाली शारीरिक सुन्दरता, पद आर पैसा के बस के इ बात नै अछि ! आहा एक आम आदमी भेला के बावजूद भी खास बैन सके छी ! बशर्ते किछ छोट - मोट बात अगर याद राखी !

किछ याद राखै योग्य बात .........

* एक निक श्रोता बनू !

* निक वक्ता ओ कहलाबैत छैथ जे सब के बात क सुनैथ आर अंत मs सोइच कs अपन विचार रखैत छैथ !

* ज्यादा बाजब, डींग हाकब, व्यंग्य करब, अपने मुह मिया मिट्ठू बनब अई तरहक बात अपने के शख्सियत कs गलत साबित कैर सकेत अछि !

* हमेसा ओही तरहक बात करबाक चाही जे आहा के जीवन मs खरा उतरे ! जकरा आहा स्वयं व्यवहार मs लाबे छी !

* अपन बहुमूल्य राय किनको मांगला पर दीयोंन !

* सुतई समय अपन स्वविलेषण जरुर करी !

* अपन सिधांत बनाबू, आर ओई पर अमल करै के हर संभव प्रयास करू !

* हमेसा सकारात्मक सोच राखी ! मनोवैज्ञानिक के कहब छैन की आत्मविश्वास आर आशावादी व्यक्ति हर चुनोती के सामना करै मs सक्षम होइत छथिन !

* निक बनै के लेल निक सोचब जरुरी अछि ! दोसर के आचरण कs छोइर कs अपन आचरण पर ध्यान देबाक चाही !

* स्वभाव मs विनम्रता के साथ दृढ़ता आवश्यक होइत अछि ! कुनू गलत बात या प्रस्ताव पर नै कहब सिखु !

अई तरहक छोट - मोट बात कs अपन व्यवहार मए उतैर कs अपने सब के बिच अपन एक अलग, स्पष्ट पहचान बनाबे मs सफल भे सके छी ! पैसा आर प्रसिद्धि के पीछा भागब व्यर्थ अछि ! अपन क्षेत्र मs सफल व्यक्ति बनै के प्रयास करू ! कारन अहि सs अपन मिथिला के पहचान अछि !!


आब बाल ठाकरे देलखिन आइग कए हवा

मराठी बनाम उत्तर भारतीय के सवाल पर पिछला किछ दिन पहिने महाराष्ट्र म भड्कल आइग शांत होइए बला छले की ओकरा एक बेर फेर हवा दै के कोशिश शिव सेना प्रमुख बाल ठाकरे केलखिन य ! ओ मराठी अस्मिता के नाम पर हिंदी के खिलाप रुख दर्शाबैत बिहार के नेता आर रेल मंत्री लालू प्रसाद क सीधे निशाना बनेलखिन य ! बाल ठाकरे अपन पार्टी के प्रमुख्य पत्र 'सामना' के सम्पादकीय के जरिया लालू प्रसाद क तमिलनाडु के मरीन बिच पर छठ पूजा करै के बात क चूनोती देलखिन य ! अपने क मालूम हुए की लालू प्रसाद यादव महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के अध्यक्ष राज ठाकरे द्वारा उत्तर भारतीय के खिलाप चलेल गेल आंदोलन के जबाब म कहलाखिन रहा कि अगला बेर ओ मुम्बई म छठ पूजा मनेता ! जबाब म शिव सेना सुप्रीमो बाल ठाकरे संपादकीय म लिखलाखिंन कि "तमिलनाडु म मुख्यमंत्री करूणानिधि सब स्कूल म तमिल क अनिवार्य के देलखिन य ! बिहार क नर्क बनाबे बला लालू म हिम्मत छैन त ओ केन्द्र म अपन सहयोगी के सरकार के विरोध करै के लेल तमिलनाडु जैथ आर ओई ठाम बिहारी के मजमा लगाबैथ" ! बाल ठाकरे उत्तर भारत के ओई स्थानीय कांग्रेश नेता सब क आड़े हाथ लेलखिन जे सब कथित रूप स मुम्बई के नगर निगम (बी एम सी) म हिंदी क आधिकारिक भाषा बनाबे के मांग करैत छथिन ! हुनका सब पर निशाना साधेत ठाकरे लिखला हा, "पहिने हिनका सब क चेन्नई, बेंगलूर, हैदराबाद, कोलकाता, आर गुवाहाटी म एहेंन करे के कोशिश करबाक चाही ! अई ठाम महाराष्ट्र के धरती पुत्र मराठी या मुम्बई के शान म कुनू गुस्ताखी बर्दाश्त नै कर्थिन !" बाल ठाकरे बी एम सी मए हिंदी क आधिकारिक भाषा के दर्जा दै जाई के मांग करै बला नेता के खिलाप कानूनी करवाई करै के आर हुनका जेल मए बंद करै के मांग केलखिन य ! ओ महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री विलासराव देशमुखो क नै बख्शलखींन हुनकर बयांन "मुम्बई के दरवाजा सब लए खुलल छई के विरोध मए ठाकरे बाजला 'भूमि पुत्र के कीमत पर मुम्बई के शोषण होइत अछि ! मुम्बई म भूमि पुत्र कए वाजिब हक नै मिल रहले य !

सच्चाई त इ छैन की बेचारा तिलमिलेल छैथ, कारन पहिने हुनकर अपन माटी आर आब अपन परिवार पर शासन नै रहलेंन ! परिवार क बिखरैत देख कए तिलमिलेबे करता आर हुनका सए हेबे की कर्तैन !!

SOME NEW BOOKS FROM VIDEHA EJOURNAL ARCHIVE

SOME NEW BOOKS FROM VIDEHA EJOURNAL ARCHIVE   I.A PARALLEL HISTORY OF MITHILA & MAITHILI LITERATURE [TOME 1-4; VOLUMES 1-100] BY GAJENDR...