भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Tuesday, March 31, 2009

मैथिली मे चित्रकथा श्रृंखलाक शुरुआत

मैथिली मे नेना-भुटकाक प्रिय विधा चित्रकथाक खगता देख 'नताशा' चित्रकथा श्रृंखलाक संकल्पना हमरा मोन मे करीब एक दशक पहिने आयल छल. प्रकाशनक माध्यम आ प्रसार साधन केर अभाव मे हमर कल्पना हिंदी मे अनुदित भ' विभिन्न पत्र-पत्रिका मे छपय लागल आ' शनै:-शनै: ई हिंदिये के भ' गेलै.
'मैथिल आ मिथिला' से जुडलाक बाद दशकक दबल कामना पूर हेबाक लेल हिलकोर लेबै लागल अछि. अहि क्रम मे 'नताशा' केर मूल मैथिलीक अलावे एकर हिंदी संस्करणक अनुवाद मे लागल छी. अहि कार्य मे अनुज मित्र कुमार सौरभक सहयोग उल्लेखनीय अछि.
अगला सप्ताह सं दर सप्ताह अहि श्रृंखलाक एक गोट चित्रकथा प्रस्तुत कयल जायत. अहि सन्दर्भ मे दू टा बिंदु स्पष्ट क' देब आवश्यक अछि-
१. श्रृंखलाक चित्रकथा मे किछु प्रचलित चुटक्काक अलावे किछु मौलिक कथ्यक उपयोग कयल गेल अछि.
२. अहि श्रृंखलाक अनेको चित्रकथा बालहंस, चकमक, बच्चों का देश, प्रभात खबर, अंग्रेजी पत्रिका TINKLE आ रविवारीय जनसत्ताक यात्रा क' चुकल अछि.
हमर प्रयास सकारथ होयत जं' किछुओ धीया-पुता अहि माध्यमे मातृभाषाक साहित्यिक पक्ष सं जुड़ता.

एक विलक्षण प्रतिभा जिनका हम सदिखन याद करैत छी (चारिम कड़ी)


चतुर्थी दहनयी s बाद सब गोटे चलि गेलाह। हिनको कॉलेज खुजल छलैन्ह, इहो( हमर घर वाला) मुजफ्फरपुर, अपन कॉलेज चलि गेलाह। आन के गेला पर ओतेक सुन नय लागल, मुदा जहिया गेलाह ओहि दिन बड़ सुन लागल। कियाक होइत छैक नहि जानि, विवाह होइते s संग एतेक प्रगाढ़ सम्बन्ध कोना s जायत छैक जे एक दोसरा s अलग रहनाइ निक नय लागैत छैक। दादी हिनका s करार करवा लेलथिन जे मधुश्रावणी में अवश्य अओताह। दादी s s हँ कहि देलैथ मुदा हमरा s कहलैथ नहि आबि सकताह। हमर मोन s छोट s गेल मुदा फेर सोचलौं हमर s क्लास छूटिये रहल अछि हिनकर कियाक छूटैंह। हम कहलियैन्ह किछु नय, ओहि समय में हम हिनकर बात s हँ वा नय में जवाब दैत रहियैन्ह। ओनाहुं हम कम बाजति रहि, हिनका s s निक जकां बाजय में हमरा एक साल लागि गेल।


गाम पर बाबा दादी के छोरिकs घर में, हमर माँ बाबुजी हम छहु भाय बहिन रहि। ओहि समय में असगरो जे सभ गाम पर रहैत छलाह वा छलिह, किनको नय बुझैन्ह जे असगर छथि हमर घर में s विवाह भेल छलs रोज भोर साँझ गाम घरक लोकक अयनाइ गेनाइ लागल रहैत छलैक। एक s अहुना जहिया जहिया हम सब गाम जाइ, लोक सबहक एनाइ गेनाइ लागल रहैत छलैक अहि बेर s हमर विवाह भेल छलs अहि बेर कनि बिशेष लोकक एनाइ गेनाइ रहैत छलs, हमर कनि विशेष मान दान सेहो होइत छलs कहियो कतो s खेनाइ आबय कतो s खोइंछ भरय s लेल कियो कहय लेल आबथि , सभ कियो एतबा अवश्य कहैथ, ठाकुरजी बड़ जल्दी चलि गेलैथ। दादी सभ s कहथि फेर जल्दिये अओताह, पंचमी s मधुश्रावणी धरि रहताह। हुनका सभ s की बुझल जे ठाकुर जी नय आबि रहल छथि, हम सुनि s चुप रहि, किनको किछु नय कहियैन्ह, माँ तक s नय कहने रहि, मुदा जखन हिनकर एनाइ गेनाइ s गप्प सुनि मोन उदास s जाय।


हमर जहिया विवाह भेल हम ओहि समय फ्राक या स्कर्ट ब्लाउज पहिरति रहि। अचानक हमरा साड़ी पहिरय परि गेल। जहाँ कियो आबैथ, ख़ास s मौगी महाल महक s हमरा बजायल जाय। हमर बहिन सभ दौड़ s हमरा लग अबैथ कहय s लेल, ओकर बाद हम जल्दी s ककरो s साड़ी ठीक करवाबी तखैन्ह हम हुनका सभ लग जाइ। दियादि महक काकी पीसी सभ गोटे में s बराबरि कियो नय कियो रहैत छलिह, सभ ठीक s देथि, तइयो कैक बेर हमर पैर साड़ी में फँसल होयत हम खसल होयब जे कियो आबथि एतवा अवश्य कहथि, " देखिये कुसुम केहेन लागति छथि" देखलाक बाद कहथि "बड़ सीरी चढ़ल छैक" कतेक निश्छल भावना कतेक अपनापन रहैत छलैक हुनका लोकनि में।


हमर दु तीन टा पीसी सेहो ओहि समय में ओतहि रहति छलिह, जिनकर सबहक विवाह ओहि बरख भेल छलैन्ह सभ हमर संग तुरिया छलिह। भरि दुपहरिया घर भरल रहैत छलs हुनका सभ संग ओहिना समय बीति गेल पंचमी आबि गेल। पंचमी s एक दिन पहिने भोरे भोर हमर सासुर s भार आयल, ओहि में सब किछु बिधक ओरिओन s आयल छलs भरि गामक लोक के दादी हकार दियवा देलथिन, सभ भार देखैक लेल आबथि जे देखथि से कहथि, एतेक निक भार किनको ओतहि s नय आयल छलैक, गाम पर सभ गोटे भार देखि s बड़ प्रशंसा करथि, हमरा सुनि बड़ निक लागय। जिनका हम कहियो देखने सुनने नय हुनकर प्रशंसा सुनि हम खुश होइ। हमर दादी सेहो खुशी s सबके कहथि अरे महादेव झा ओतय s भार आयल अछि। हमरा ओहि समय में किछु नय बुझाय, हम सोचि हमर ससुरक नाम s हीरानंद ठाकुर छैन्ह, दादी बेर बेर कियाक कहैत छथि महादेव झा ओतय s आयल अछि। हम पुछs चाहि किनको s मुदा एम्हर ओम्हर में बिसरी जाइ।


कॉलेज s हमरा प्रतिदिन एकटा चिट्ठी लिखैथ, ओहि में सब दिन जवाब देवाक लेल लिखैत छलैथ, मुदा हमारा जवाब देबय में लाज होयत छल।एक दिन हमर भाय बाबुजी कोनो काज s मुजफ्फरपुर जायत छलाह। ओहि दिन हम पहिल चिट्ठी लिखि s भाय के देलियैन्ह जे हुनका s देबाक लेल।


पंचमी s एक दिन पहिनहि भोर में भार आयल छलs, साँझ में बाबुजी सब के सेहो अयबाक छलैन्ह। हमरा अपन संगी पीसी सब संगे फूल लोढ़य लेल जयबाक छलs दादी सब ट्रेन s हिनकर बाट ताकथि अंत में हमर बहिन सब s कहि पुछौल्थिन, हम बहिन सब s कहि देलियैन्ह हमरा किछु नय लिखने छथि। दादी तकर बाद s निश्चिंत s गेलिह तखनि s कहथि जे तोहर बाबुजी सब संग अवश्य अओताह।


साँझ में सब घान्जि बांधि s हमरा ओतहि आयल देखलियय सबहक हाथ में फूल डालि पथिया छलैक कियो कियो अपन खबासिनी कs सेहो संग में s लेने छलथि किछु कुमारि सब सेहो संग में छलथि हमरो संग हमर एकटा पितिऔत बहिन छलीह, हमर फूल डालि पथिया s लेलथि।हमसब पूरा टोलक सब गोटे गीत गाबति हँसी मजाक करैत अपन अपन फूल डालि पथिया लेने पहिने गाछी दिस गेलौन्ह। दादी हमरा हिदायति देने रहथि, जे बाँस वा अन्य पैघ गाछक पात कियो तोरय, जाहि जूही s पात फूल सभ हम अपने तोड़ी हमरा बड़ पोल्हा s कहलथि "हे मधुश्रावणी लोक के एकय बेर होयत छैक जहिना कहैत छी कयने जाउ" हमहु निक बच्चा जकां मुरी हिला s हँ कहि देलियनि


हम सब, सब s पहिने बंसबट्टी दिस बिदा भेलौंह बाँसक पात तोरलाक बाद हम सब जाहि जूही अन्य अन्य पात फुलक खोजि में सबहक बाड़ी बाड़ी जाइ सभ तरि s फूल सभ बटोरति जाइ हमरा तs बुझलो नय छलs जे कोन - कोन फूल कोन-कोन पात चाहि जेना जेना सभ कियो तोरथि हमहु तोरति जाइ दादी s हिदायति हमरा मोन छलs हम पथिया टा नहि उठा पाबति रहि सेहो हमर पितिऔत बहिन, देयादि महक छलिह से उठा दैथ। जखैन्ह हमरा सभ गोटे कहलथि जे आब s गेल, हमहु हुनका सभ संगे आपस हेबाक लेल चलि देलियैन्ह हमरा देखि s ततेक आश्चर्य भेल, हमसभ एक एक पथिया भरि s पात जाही जूही s लेने रहि


आब हमरा बसक नहि छलैक जे हम उठा s एको डेग आगू बढितौंह हमर पितिऔत बहिन ओकरा अपन माथ पर s s चललिह रास्ता भरि हँसी मजाक होइत छलैक, ओही में s बेसि मजाक हम नहि बुझति रहि बिच बिच में बटगभनी सेहो होयत छलैक इहो गप्प होयत छलैक जे किनकर सभहक वर आयल छथि किनकर सभहक बाद में अर्थात मधुश्रावणी s पहिने अओताह हमारो s सब पुछथि, हम किछु नय बाजि हमरा लाज होइत छलs नहि बजला पर सभ हमर आर मजाक उराबथि, हम अहिना दुखी छलौंह ताहि पर सभ मजाक करथि कखनो मोन होयत छल बेकारे सभ संग अयलौन्ह हमरा होयत छलs हम कहुना घर पहुँची, हम मजाक s तंग आबि s अपन बहिन s जे पथिया लेने रहथि, कहलियैन्ह अपना सब आगु चलु हम सभ आगु जल्दी जल्दी बढि रहल छलियैक मुदा कथि लेल हमरा कियो जल्दी जाय देत पकरि s बिच में हमरा सभ गोटे s लेलथि


ओहिना करैत हम सब मुखिया बाबा s घर लग पँहुची गेलौंह। हमर घर ओकर बाद छलैक हम हाथ में फुलक डालि लेने सभ संग बिच में चलति रहि घर लग पहुँच सभ गोटे जोर जोर s हंसैथ हमरा कहि आगु s देलथि जे आब हमर दादी देख लितथि तs हुनका सभ s डाँटि परतैंह हम आगु आबि जहिना बरामदा दिस बढलौंह देखैत छी कुर्सी पर बाबा आर बाबुजी कs संग बैसल छथि तिनु गोटे चाय पीबि रहल छथि हम लाज s जल्दी-जल्दी आँगन दिस भागि गेलौंह


आँगन पहुँचि देखैत छि दादी माँ व्यस्त छथि एक s पाबनि s ओरियोनि होयत छलैक, दोसर जमाय विवाहक बाद पहिल बेर आयल छलैथ, तेसर समधियोनि s पाहुन भार s s से आयल छलखिन्ह हमरा देखितहि दादी कहय छथि "यै अहाँ बिना माथ झपने अहिना बाबा बाबुजी s सोंझा s आबि गेलौंह" हम किछु नय बजलियैन्ह, हम हमर बहिन चुप चाप कोहबर घर जाय s फुल डालि पथिया राखि देलियैक ओहि समय में हमरा माथ झांपय में बड़ लाज होयत छलs हम बाहरि आबि s माँ s पुछलियैक," बाबुजी मुजफ्फरपुर s कखैन्ह एलैथ" जकर जवाब दादी s भेटल, "अहांक बाबुजी कॉलेज s ठाकुर जी s पकरि s s अनलैथ "


साँझ में किछु किछु बिधक ओरिओन गीत भेलैक दादी कहलथि सब गोटे जल्दी सुतय जो भोरे उठय परत। राति में सुतय काल पता नय हमरा कोना मोन छलs, हम हिनका s पुछलियैन्ह "भार कतय s आयल छैक "? हिनका किछु बुझय में नय अयलैन्ह, हमरा कहलाह "मतलब... कोन भार"? फेर मुस्कुरैत हमरा कहलाह "अहाँ के हमारा देखि s खुशी नय भेल जे अहाँ हमारा s भारक विषय में पुछैत छी " हम मुरी हिला s हाँ कहि देलियैन्ह मुदा फेर धीरे s कहलियैन्ह " दादी सब s कहति छथि महादेव झा ओतय s भार आयल छैक। सुनतहि जोर s ठट्ठा s हँसैथ हमरा कहलाह ".., अच्छा..., महादेव झा, हमर सबहक पाँज़ि अछि ताहि लेल बाजति होयतिह" तकर बाद हमरा पाँज़ि s विषय में सेहो बता देलैथ। हमरा अपना पर हँसी लागल कहु तs भोर सs हम इ सोचि कs परेशान छलौंह जे महादेव झा के छथि।


क्रमशः ..............

Join videha WhatsApp channel

 Join videha WhatsApp channel  https://whatsapp.com/channel/0029VaNyM6R5q08ZPuSPxN0U