
मैथिलीक सभसँ प्रतिष्ठित प्रबोध सम्मान 2009 क लेल श्री राजमोहन झाकेँ स्वास्ति फाउंडेशन द्वारा पटनाक विद्यापति भवनमे 22 फरबरी 2009 केँ 4 बजे अपराह्नसँ शुरु भेल कार्यक्रममे देल गेल। एहिमे स्मृति चिन्ह आ एक लाख टाका देल जाइत अछि। श्री भीमनाथ झा, उदय नारायण सिंह, विजय बहादुर सिंह, अभय नारायण सिंह आ ढेर रास गणमान्य लोक एहि अवसरपर उपस्थित छलाह।

मैथिलीक भारतीय ओपेन ऑफिस, मल्टी प्रोटोकोल मेसेंजर,कंटेंट मैनेजमेंट सिस्टम, स्क्राइबस, सनबर्ड कैलेंडर, ई-मेल क्लाइंट, की-बोर्ड ड्राइवर, फॉंट, वेब ब्राउसर, आ द्विभाषीय डिक्शनरी आब आबि गेल अछि। ई सम्भव भेल अछि टेक्नोलोजी डेवेलपमेंट फॉर इंडियन लैंगवेजेज प्रोग्राम, सेंटर फॉर डेवेलोपमेंट ऑफ एडवांस्ड कंप्युटिंग आ साहित्य अकादमीक सहयोगक परिणाम स्वरूप।
मैथिली साफ्टवेयर अओजार आ फान्ट नाम्ना एहि सी.डी.पर विद्यापतिक फोटो लागल अछि।
ई सोफ्टवेयर मैथिली साफ्टवेयर अओजार आ फान्ट लिंकपर उपलब्ध अछि।
मैथिली-अंग्रेजी/ अंग्रेजी-मैथिली शब्दकोशक ms-sql server आधारित सर्च डिक्शनरी, जाहिमे अंतर्राष्ट्रीय फोनेटिक अल्फाबेट आ मिथिलाक्षरक प्रयोग देवनागरी आ रोमनक संग भेल अछि विदेह कोश एहि लिंकपर उपलब्ध अछि। एहिमे कम्प्यूटर आ इंटरनेट शब्दावलीक सेहो अटाबेश भेल अछि।