भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Tuesday, March 24, 2009

एक विलक्षण प्रतिभा जिनका हम सदिखन याद करैत छी (तेसर कड़ी)


गामक
समय हम कहियो नय बिसरि सकैत छी ओहि समयक गप्प थिक जखनि कि हमर बहिनक विवाह s गेल छलैन्ह सभ चलि गेल छलिहहमर बाबूजी छोटका काका हमारा लेल वर ताकय लेल गेल छलैथ आई कालिक हिसाब s s हम ओहि समय एकदम बच्चा रहि आ शहर में रहलाक कारणे हम गाम घरक बहुत किछु नहि बुझैत छलौं। सब s बेसी विवाह बैसाख, जेठ आषाढ़ में होयत छैक, अर्थात शुद्ध रहैत छैक ओहि ज़माना में, अर्थात १९७२ ईस्वी में गामक रौनक किछु और रहैत छलै प्रतिदिन कतो नय कतो विवाह होयत छलैक जाहि में दादी हमरा लय जयबाक आग्रह अवश्य करैत छलीह हमहूँ कहियो विवाह नय देखने छलौं, पहिल विवाह हम अपन दीदी (पितिऔत ) कs देखलियैन्ह।


ओही समय में बेसी विवाह सभा s ठीक भेलहा सब रहैत छलैक जाहि कारणे हरबरी वाला विवाह हमरा देखय s ओतेक इच्छा नय होयत छल, मुदा दादी केs मोन रखबाक लेल हुनका संग कतो कतो चलि जायत छलौंह ओहि समय हम परीक्षा फलक प्रतीक्षा में रही आर कोनो काजो तs हमरा नहि छलाह


एक दिन हम, माँ दादी आंगन में बैसल छलियै कि एकटा खबासनी आयल दादी के कहलकैन्ह " मलिकैन कनि एम्हर आयल जाओ " सुनतहि दादी ओकरा लग चलि गेलिह, पता नय हुनका कि कहलकैन्ह कनि कालक बाद दादी हमरा कहलैथ "चलs हम तोरा एकटा सोलकनि सबहक विवाह देखाबैत छियौक" हमरा आश्चर्य
भेल जे आई दादी केs की भेलछैन्ह जे हमरा सोलकनि s विवाह देखय लेल कहैत छथि हम आश्चर्य सs पुछलियैन्ह "अहाँ सोलकनि s विवाह देखय लेल जायब "? दादी मुसकैत हमरा कहलैथ "चलहि नय अहि ठाम, ब्रम्ह स्थान लग बरियाती छैक, दूरे s खाली बरियाती देखि चलि आयब दूनू गोटे"


हमारा मोन s नहि होइत छलय बरियाती देखबाकs, मुदा हम दादी s संग जएबाक जयबाक लेल तैयार भs गेलियैन्ह ब्रम्ह स्थान लगे छलय, हम दुनु गोटे जखन ओतहि पहुँचलौं तs देखलियय जे ओतहि बीच में पालकी राखल ढोल पिपही बाजैत छलैह, जों आगु बढ़लौं तs देखैत छी जे ओहि पालकी में वर मुंह पर रूमाल देने बैसल छैथ एकटा बच्चा हुनका आगू में बैसल छलैन्ह, बरियाती सब सेहो बैसल छलैक खैर हम सब आगू बढिकs बरियाती लग पहुँच गेलिये हमरा निक भलहि नय लागैत छल मुदा पहिल बेर अहि तरहक बरियाती देखैत रही हम आश्चर्य s बरियाती देखैत रही कि कनिये कालक बाद सब बरियाती ठाढ़ s गेलैथ पिपही ढोल जोर बाजय लगलय हम सब कनि पाछू s गेलौं, जहिना पालकी उठलय कि हमरा माथ पर कियो पानी ढ़ारि देने छलs हम हक्का बक्का s s एम्हर ओम्हर ताकय लगलौं, देखैत छी दादी s हाथ में गिलास छलैन्ह हम कानय लगलियय देखि s दादी हमरा तुंरत हँसैत कहलैथ गर्मी छलैक ताहि द्वारे ठंढा देलियौक हमरा
बड़
तामस भेल


हम सब जखैन घर पहुँचलौं, हम कानैत माँ s कहलियय हम कहियो दादी संग विवाह देखैक लेल नय जायब हमर एकटा पीसी ओहि ठाम बैसल रहैथ, कहि उठलीह, " नय कानि तोहरे निक लेल केलथुन" हमरा किछु नय बुझय में आयल बकलेल जकां हुनकर मुंह देखैत पुछलियैन्ह "कि निक भेल, सभटा कपड़ा भीजि गेल"? सुनि s कहलैथ "गय बरियाती s जेबा काल पानि माथ पर देला सs लोकक विवाह जल्दि होयत छैक ताहि लेल तोरा पानि देलथुन " हम आर जलि भुनि s ओतहि s चलि गेलौंह ओकर कनिये दिनक बाद हमर विवाह भs गेल



जहिया हमर विवाह भेल ओहि समय हमर घरवाला श्री लल्लन प्रसाद ठाकुर इंजीनियरिंग के अन्तिम बरख में पढैत छलाह हम मैट्रिक के परीक्षा देने रहि परीक्षा फल सेहो निकलि गेल छलs हमर विवाह आषाढ़ मास में, (दिनांक १३ जुलाई) भेल छलs विवाहक तुंरत बाद मधुश्रावणी छलैक ताहि द्वारे हम गाम पर रही गेलौं हमर काका मधु(हमर पितिऔत बहिन) के संग रांची चलि गेलाह काका हमरा कहैत गेलाह जे हमर परीक्षा फल आदि स्कूल s s कॉलेज में हमर नाम लिखवा देताह तैं हम निश्चिन्त रही हमर काका नाम लिखवेलाक बाद हमरा खबरि सेहो s देलाह हमर नाम "निर्मला कॉलेज रांची" में लिखायल छल


दादी के आग्रह पर हमरा गाम पर रहि मधुश्रावनी करवा के छलs, बहिनक विवाह सs अपन विवाह मधुश्रावनी धरि करिब दू मास सs बेसी रहय परल छलs हम पहिल बेर अपना होश में एतेक दिन गाम पर एक संग रहल रहि ओना तs हम सब, सब साल गाम जायत रही, मुदा एक संग एतेक दिन नय रहैत रहि पहिल अन्तिम बेर छलs जे हम गामक मजा निक जकां s सकलियैक

-कुसुम ठाकुर-

क्रमशः ........