
कुनू भी सफलता ओहिना हाथ नै लागै छई, ओकरा हेतु आवश्यक अछि की अहाक उद्देश्य स्पष्ट हुवे आर आहा क आत्मविश्वास हुवे की आहा जे रास्ता चुन्लो य ओई पर आहा तमाम व्यवहारिक - अव्यवहारिक रुकावट के बावजूद चलैत रहब !
मुदा की स्पष्ट आर आत्मविश्वासी होनै एतेक आसान अछि ? सकारात्मक सोच ओहिना विकसित नै होइत छल ! कतेक हीन भाव स आई के प्रतियोगिता पूर्ण समय मए युवा लोकेन ग्रसित रहैत छैथ ! सकारात्मक सोच के लेल सर्व प्रथम आवश्यक अछि अपने क जानै परत की आहा मए की कमि आर की खूबी अछि !
आत्मविश्वास बढेनैय खाली आहा के हाथ म अछि ! ओकरा लेल आहा क कनी सामाजिक आर मिलनसार बने परत ! लोग सब स मिल्योन, हुनकर सब बात सुनियोंन, अपन बिचार दियो, हुनकर बिचार सुनियो ! अई तरह स अपने क महसूस हेत की आहो क लोग सूनेत छैथ ! आहा के विचार क सम्झेत छैथ, आहा स ओ प्रभावित होइत छैथ ! लोग स गर्मजोशी स मिलल करू, लोग आहा स गर्मजोशी स मिलता त आहा क निक लागत ! हमर कहे के मतलब अपने क अपन आप म उद्देश्य के लेल ईमानदार होबाक चाही !
आहा अपन वर्तमान आर भविष्य सs लगाव राखु ! अपन सामर्थ्य क ध्यान म राखैत भविष्य के उद्देश्य निर्धारित करू ! अई लगाव क लगन मए बदले दियो ! हमर मतलब आहा पहिने अपन लक्ष्य सुनिश्चित करी तकर बाद तन - मन - धन स ओकरा हासिल करे मए जुटी !
लक्ष्य मिल्ला के बादो भविष्य के तरफ देखब बंद नै करी कारन आहाक सफलता कुंठित भे जेत ! सफलता के खाली एके सीढी नै होई छई, इ अंतहीन सिलसिला अछि जे हर सीढी के बाद आहा क नया आत्मविश्वास प्रदान करत ! जना की बच्चा पहिने एके कदम चालला पर गीर जैत छैथ, मुदा लगन के कारन चल्नै सिखेत छैथ ! पहिने दु फेर चैर फेर एक निश्चित दुरी ......... फेर किछ दिन म ओ दौरे लगेत छैथ ......... मुदा की ओ फेर चुप बैसैत छैथ ? नै किछ दिन के बाद ओ साईकिल चलाबैत छैथ .... मतलब इ सिलसिला कहियो रुके नै छैन !
निराशा सफलता के लेल सबसे बेसी घातक होई य ! निराश व्यक्ति समर्थ भेलो पर असमर्थ होइत छैथ ! निराशा स बचनै जरुरी अछि, चाहे ओकरा लेल अपन अहम त्यैग दोसर स मददे किये न लिए परे ! ज्ञानअर्जन के कुनू सीमा नै अछि, ज्ञान स आत्मविश्वास बढ़ैत अछि !
अगर आहा अपन उद्देश्य के प्रति समर्पित आर स्पष्ट छी त कुनू तरहक विरोध के परवाह नै करी ! आत्मविश्वास के बिज बचपन स मन म होई य, बस ओकरा सिंचेत - रोपैत रहे के जरुरत अछि ! ओ फल्बे - फुल्बे करत अई तरह स अपन लक्ष्य क निर्धारित करैत निराशा के उपेक्षा के क अपन उद्देश्य प्राप्त करे हेतु सक्रिय रहू, एक न एक दिन सफलता आहा के कदम चुम्बे करत॥
हम जीतमोहन जी के आभारी छियेंन जे ओ इ मैथिली ब्लोग
मैथिल और मिथिला " बनेलैथ आर ओई पर हमरो सब क लेखक के रूप म आमंत्रित केलैथ ! समस्त मिथिला वासी स हमर आवाहन अछि की अपनों मैथिली भाषा के प्रति जागरूकता देखाबी !!
धन्यवाद" जय मैथिली, जय मिथिला !!