मैथिल और मिथिला ब्लॉग
पर अपनेक स्वागत अछि !!
प्रिय बंधू इ नया "मैथिल और मिथिला" ब्लॉग क मैथिली लेखक और कवी लोकेन के जरुरत अछि ! सदस्यता के लेल खाली अपन (ईमेल आईडी) हमरा mrjitmohan@yahoo.com पर ईमेल करू हम आहा क सदस्यता प्रदान करे के लेल काटिबध्य छी ! हमरा अपने के ईमेल क इंतजार रहत आगा हम मैथिल और मिथिला पर आधारित ब्लोग सुरु केलो य, ताहि लेल सब स पहिने मिथिला के महान कवि विद्यापति के किछ गीत प्रस्तुत करे चाहब !!
(मैथिली पुत्र प्रदीप)
१, जगदम्ब अहीं अबिलम्ब हमर (मैथिली पुत्र प्रदीप)
जगदम्ब अहीं अबिलम्ब हमर
हे माय आहाँ बिनु आश ककर
जँ माय आहाँ दुख नहिं सुनबई
त जाय कहु ककरा कहबै
करु माफ जननी अपराध हमर
हे माय आहाँ बिनु आश ककर
हम भरि जग सँ ठुकरायल छी
माँ अहींक शरण में आयल छी
देखु हम परलऊँ बीच भमर
हे माय आहाँ बिनु आश ककर
काली लक्षमी कल्याणी छी
तारा अम्बे ब्रह्माणी छी
अछि पुत्र-कपुत्र बनल दुभर
हे माय आहाँ बिनु आश ककर
जगदम्ब अहीं अबिलम्ब हमर !!!
२, लाले-लाले अर्हुल के माला बनेलऊँ
लाले-लाले अर्हुल के माला बनेलऊँ
गरदनि लगा लिय माँ
हे माँ गरदनि लगा लिय माँ
हम सब छी धीया-पूता आहाँ महामाया
आहाँ नई करबै त करतै के दाया
ज्ञान बिनु माटिक मुरति सन ई काया
तकरा जगा दिया माँ
लाले-लाले अर्हुल के माला बनेलऊँ
गरदनि लगा लिय माँ
कोठा-अटारी ने चाही हे मइया
चाही सिनेह नीक लागै मड़ैया
ज्ञान बिनु माटिक मुरुत सन ई काया
तकरा जगा दिया माँ.....
आनन ने चानन कुसुम सन श्रींगार
सुनलऊँ जे मइया ममता अपार
भवन सँ जीवन पर दीप-दीप पहार भार
तकरा हटा दिय माँ.....
लाले-लाले अर्हुल के माला बनेलऊँ
गरदनि लगा लिय माँ
सगरो चराचर अहींकेर रचना
सुनबई अहाँ नै त सुनतै के अदना
भावक भरल जल नयना हमर माँ
चरनऊ लगा लिय माँ.....
लाले-लाले अर्हुल के माला बनेलऊँ
गरदनि लगा लिय माँ
प्रेम स कहू जय मैथिली, जय मिथिला
aapne ke lekhni bad nik ayech
ReplyDeletebar nik lagal jitu bhaiya
ReplyDeleteee blog samanya aa gambhir dunu tarahak pathakak lel achhi, maithilik bahut paigh seva ahan lokani kay rahal chhi, takar jatek charchaa hoy se kam achhi.
ReplyDeletedr palan jha
जगदम्ब अहीं अबिलम्ब हमर के रचयिता अथवा रचयित्री के थिकैथ
ReplyDeletenagesh03@gmail.com
मैथिली पुत्र प्रदीप
ReplyDelete