एक बेर मुसहरबा भाइ सेहो अपन विवाहक लेल मुसाय बाबासँ बीस (२०)गो टका लेने छल ! मुसहरबा भाइ बाबाक खास नोकर छलाह तs ओकरा मुसाय बाबा कहलखिन हे मुसहरबा भाइ हम जे तोरा २०गो टका देलियो से हमरा कहिया देबह? मुसहरबा भाइ बाबासँ कहलकनि जे मालिक हम तँ बीस गो टका सुईद (व्याजक) साथ दऽ देने छी ! अहि बातपर दुनू आदमीकेँ आपसमे बहस चलय लगलनि, बहुत हद तक झगड़ा आगू बढ़ि गेल !
ताबे मे किम्हरोसँ कारी बाबु एलथि. कहलखिन- " यौ। अहाँ दुनू आदमीक आपसमे किएक झगड़ा भs रहल अछि "!
मुसाय बाबा सभ बात कारी बाबुकेँ कहलखिन आर मुसहरबा भाइ सेहो सभ बात कारी बाबुकेँ सुनेलखिन्ह ! तखन कारी बाबु कहलखिन- " हे मुसहरबा भाइ । अहाँ हिनका कखन - कखन आर कोना पाइ देलियनि से हमरा कहू ........
मुसहरबा भाइ बजलाह - " सुनू कारी बाबु, आ मुसाय बाबू अहूँ ध्यान राखब हमर कतय गलती अछि ?
हमरा लग अपनेक टका छल बीस (२०)
आहाँ आँखी गुरारीकेँ तकलहुँ हमरा दिस
एक टका तखने देलहुँ .........
टका बचल उनैस (१९)
अहाँ कहलहुँ अही ठाम बैस
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल अठारह (१८)
आहाँ लागलहुँ हमरा जोर सँ धखारह
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल सतरह (१७)
आहाँ लागलहुँ हमरा जखन तखन तंग करह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल सोलह (१६)
आहाँ लागलहुँ हमर पोल खोलह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल पंद्रह (१५)
आहाँ लागलहुँ हमरा टांग गरैरकऽ पकरह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल चौदह (१४)
आहाँ लागलहुँ हमरा घर पर पहुँचह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल तेरह (१३)
आहाँ लागलहुँ हमर रस्ता घेरह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल बारह (१२)
आहाँ लागलहुँ हमरा लाठीसँ मारह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल एगारह (११)
आहाँ लागलो हमर कुर्ता फारह
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल दस (१०)
अहाँ कहलहुँ हमरा जमीन पर बस
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल नौउह (९)
आहाँ कहलहुँ हमरा ओहिठाम नोकर बनिरह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल आठ (८)
आहाँ घोरैत छलहुँ खाट
एक टका तखने देलहुँ ....
टका बचल सात (७)
आहाँ खाइत छलहुँ नून भात
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल छः (६)
आहाँ उपारैत छलहुँ जौ
एक टका तखने देलहुँ ....
टका बचल पॉँच (५)
आहाँ देखैत छलहुँ चौकी तोर नाच
एक टका तखने देलहुँ......
टका बचल चारि (४)
आहाँक सभ भाई मे बाझल मारि
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल तीन (३)
आहाँ सभ भाई भेलहुँ भीन
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल दू (२)
आहाँ कहलहुँ महादेवक पिड़ी छू
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल एक (१)
आहाँ के बाबूजीक बरखी मे दक्षिणा देल
एक टका तखने देलहुँ ......
बाँकी के बचल सुईद आर व्याज ओहिमे देलहुँ ढाई मोन प्याज ॥"
जय मैथिली, जय मिथिला
मदन कुमार ठाकुर, कोठिया पट्टीटोला, झंझारपुर (मधुबनी) बिहार - ८४७४०४, मोबाईल +919312460150 , ईमेल - madanjagdamba@rediffmail.com
बहुत दिनपर अएलहुँ मदनजी मुदा अपन धुरझार लेखनीसँ झुमा देलहुँ।
ReplyDeletemadanji, etek din par elahu, muda etek nik rachna la kay se sabh ta deri maph achi, pichla ber je ek gote sajjan poorvagrahgrast bhay tippani kayne rahathi taahi dvare te ee vilamb nahi bhel, muda jitu bhaiyak javabak bad ehi blog par tippani nahi karabak bat kahi gelah. se nik rahal muda sajjan aadati se lachar chhathi, se nam badali kay ebe ta kartah aa rachna dekhi tarhatti par angor rakhbak ehsas se pajrait rahtah,
ReplyDeletemuda ahan jaldi-jaldi post karait rahu nahi te shadyantrakari sabh apan uddeshya me saphal bha jetah.
diyabatik shubhkamna, samast mithilaaurmaithil parivar ke.
हमरा लग अपनेक टका छल बीस (२०)
ReplyDeleteआहाँ आँखी गुरारीकेँ तकलहुँ हमरा दिस
एक टका तखने देलहुँ .........
टका बचल उनैस (१९)
अहाँ कहलहुँ अही ठाम बैस
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल अठारह (१८)
आहाँ लागलहुँ हमरा जोर सँ धखारह
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल सतरह (१७)
आहाँ लागलहुँ हमरा जखन तखन तंग करह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल सोलह (१६)
आहाँ लागलहुँ हमर पोल खोलह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल पंद्रह (१५)
आहाँ लागलहुँ हमरा टांग गरैरकऽ पकरह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल चौदह (१४)
आहाँ लागलहुँ हमरा घर पर पहुँचह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल तेरह (१३)
आहाँ लागलहुँ हमर रस्ता घेरह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल बारह (१२)
आहाँ लागलहुँ हमरा लाठीसँ मारह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल एगारह (११)
आहाँ लागलो हमर कुर्ता फारह
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल दस (१०)
अहाँ कहलहुँ हमरा जमीन पर बस
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल नौउह (९)
आहाँ कहलहुँ हमरा ओहिठाम नोकर बनिरह
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल आठ (८)
आहाँ घोरैत छलहुँ खाट
एक टका तखने देलहुँ ....
टका बचल सात (७)
आहाँ खाइत छलहुँ नून भात
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल छः (६)
आहाँ उपारैत छलहुँ जौ
एक टका तखने देलहुँ ....
टका बचल पॉँच (५)
आहाँ देखैत छलहुँ चौकी तोर नाच
एक टका तखने देलहुँ......
टका बचल चारि (४)
आहाँक सभ भाई मे बाझल मारि
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल तीन (३)
आहाँ सभ भाई भेलहुँ भीन
एक टका तखने देलहुँ .....
टका बचल दू (२)
आहाँ कहलहुँ महादेवक पिड़ी छू
एक टका तखने देलहुँ ......
टका बचल एक (१)
आहाँ के बाबूजीक बरखी मे दक्षिणा देल
एक टका तखने देलहुँ ......
bad nik
katay nukayal chhalah etek nik rachna lay ke madanji, jaldi-jaldi aar rachna post karoo.
ReplyDeleteमदनजी अपनेक रचनाक सभ मिथिला बंधूगन कs बेसब्री सँ इंतजार रहैत छैन संग - संग हमरो, उम्मीद अछि अपनेक अगला रचना हमरा जल्दिये प्राप्त हेत ........
ReplyDeleteMadan babu aha ke kavita padhi ke atek gudgudi lagal jakra sabd me barnan kenay sambhabh nahi. dhanyabad
ReplyDeleteअहाँ लग ते लोक कथा/ गीतक भंडार बुझना जाइत अछि, मोन पारि कए जे एहिना हमरा लोकनिक लेल अनैत रहब ते बड्ड उपकार होयत मदन जी।
ReplyDeleteई रचना अपन माटि-पानिसँ जुड़ल एकटा उत्कृष्ट रचना अछि।
pet phula delahu ahan madan ji, hasi rukite nahi achhi.
ReplyDeleteee blog samanya aa gambhir dunu tarahak pathakak lel achhi, maithilik bahut paigh seva ahan lokani kay rahal chhi, takar jatek charchaa hoy se kam achhi.
ReplyDeletedr palan jha
अपने लोकनिक कोटि कोटि धन्यवाद अहिना लेखकगन केs प्रोत्साहित करेत रहब ......
ReplyDeleteमदन जी बहुत निक चुटकुला अछी अहिना लिखैत रहु और मिथिला के पाठक गन के खुशि केने रहु आ अपन नाम रोशन करैत रहु
ReplyDeleteजय मैथिल जय मिथिला
बहुत - बहुत धन्यवाद पाठक गन के जे ओ अपन किमती व्क्त हमर रचना में देलैन , हम अपनेक सबक के अभारी छी -----
ReplyDeleteजय मैथिल जय मिथिला
मदन जी ई चुटकुला हम गाम में आहा के मुख से कईक बेर स्टेज पर शुनने छि , आय बहुत ख़ुशी भेल जे आहा के रचना मैथिल और मिथिला में सेहो प्रकाशित अछि -----
ReplyDeleteहरेक्रष्ण झा (पट्टीटोल ) झंझारपुर