~~~* बहुत महत्त्व अछि *~~~
फल मेs आम के, नशा मेs भांग के, भगवान मेs श्री राम के, बहुत महत्व अछि .....
तरकारी मेs आलू के, नाच मेs भालू के, मंत्री मेs लालू के, बहुत महत्व अछि ......
विषय मे, इतिहास के, ज्ञान मेs वेदव्यास के, मूर्ख म्मेs काली दास के, बहुत महत्व अछि ....
जेल मेs सिपाही के, सड़क पर राही के, कोट मेs गवाही के, बहुत महत्व अछि ......
शहर मेs लंदन के, मस्तक पर चंदन के, पर्व मेs रक्षाबंधन के, बहुत महत्व अछि .....
कार मेs सेंट्रो के, दिल्ली मेs मेट्रो के, बैंक मेs कैश काउन्टर के, बहुत महत्व अछि ....
बिहार मेs कुर्ता के, पान मेs जर्दा के, समसान मेs मुर्दा के, बहुत महत्व अछि ....
लाइफ मेs टेंसन के, वृद्धावस्था मे पेंसन के, ऑफिस मेs सेक्शन के, बहुत महत्व अछि .....
आदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs पट्टीटोल के, बहुत महत्व अछि .....
घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....
रांची मेs मेन्टल के, डॉक्टर मेs डेन्टल के, आदमी मेs जेन्टल के, बहुत महत्व अछि ....
सहर मेs नाली के, झगरा मेs गाली के, ससुराल मेs साली के, बहुत महत्व अछि ...
जार मेs हिट के, गाड़ी मेs सिट के, भोजन मेs मिट के, बहुत महत्व अछि ....
साड़ी मेs कोटा के, पानि पिबय मेs लोटा के, स्कूल मेs सोटा के, बहुत महत्व अछि ....
नाचैय मेs मोर के, बेलमोहन मेs चोर के, समय मेs भोर के, बहुत महत्व अछि ....
भोजन मेs दाँत के, गहूम पिसय मेs जाँत के, पूजा-पाठ मेs भोले नाथ के, बहुत महत्व अछि...
अनाज राखै मेs कोठी के, माछ मेs पोठी के, पेटख़राब मेs गोटी के, बहुत महत्व अछि ....
प्रेमिका मेs राधा के, नारी मेs सीता के, सभ ग्रन्थ मेs गीता के, बहुत महत्व अछि .....
नदी मेs गंगा के, स्वर्ग मेs रम्भा के, हिरोईन मेs प्रियंका के, बहुत महत्व अछि .....
दही मेs लेषन के, पंच्चर मेs सुलेषन के, लड्डू मेs बेषन के, बहुत महत्व अछि .....
सड़क पर धुल के, झंझारपुर मेs पुल के, बगान मेs फूल के, बहुत महत्व अछि .....
पाँव मेs जूता के, गेट पर कुत्ता के, भाषण मेs नेता के, बहुत महत्व अछि .....
गाँव मेs हाट के, चौपाल मेs खाट के, सफाई मेs धोबी घाट के, बहुत महत्व अछि ....
नॉएडा मेs सेक्टर के, फिल्म मेs एक्टर के, गाँव मेs टेक्टर के, बहुत महत्व अछि ....
ब्लोक मेs अमिन के, किरकेटर मेs सचिन के, विश्व मेs सुन्दर हसीन के, बहुत महत्व अछि ....
व्यापार मेs मंदी के, जेबर मेs चांदी के, भारत मेs महात्मा गाँधी के, बहुत महत्व अछि .....
सुइया दै मेs सिरिंच के, बच्चा मेs प्रिन्स के, पेंट मेs जिन्स के, बहुत महत्व अछि .....
सेंसेक्स मेs रेटिंग के, मिथिला मेs पेंटिंग के, फिल्म मेs एक्टिंग के, बहुत महत्व अछि ....
घर मेs सरभेंट के, महिला मेs प्रगनेन्ट के, दिल्ली मेs गर्लफ्रेंड के, बहुत महत्व अछि .....
रसोई मेs चावल के, बिल्डिंग मेs मारवल के, दरबारी मेs बीरबल के, बहुत महत्व अछि....
बन्दूक मेs गोली के, पूजा मेs रोली के, कमिटी मेs बोली के, बहुत महत्व अछि .....
गाछ मेs नीम के, संगीत मेs नादिम के, कसाई मेs जालिम के, बहुत महत्व अछि .....
मुम्बई मेs सेठ के, दिल्ली मेs इंडिया गेट के, शरीर मेs पेट के, बहुत महत्व अछि .....
फौजी मेs बर्दी के, सिलाई मेs दर्जी के, हस्ताक्षर मेs फर्जी के, बहुत महत्व अछि ......
पितरपक्ष मेs तर्पण के,मूह देखै मेs दर्पण के,जीवन मेs आत्मसमर्पण के बहुत महत्व अछि....
दीवाली मेs गिप्ट के, नौकरी मेs सिप्ट के, बिल्डिंग मेs लिप्ट के, बहुत महत्व अछि .....
बारीष मेs बरसाती के, पूजा मेs आरती के, विवाह मेs बरयाती के, बहुत महत्व अछि .....
केश मेs सेम्पू के, सर्कश मेs तम्बू के, अमिताभ बच्चनक लम्बू मेs बहुत महत्व अछि ....
कथा मेs समाप्त के, सामान मेs पर्याप्त के, बहुत महत्व अछि ..........
मदन कुमार ठाकुर, कोठिया पट्टीटोल, झंझारपुर (मधुबनी) बिहार - ८४७४०४,
एक बेर फेर नीक प्र्अस्तुति मदनजी। ठीके झझारपुरमे पुलक आ बेलमोहनमे चोरक बड्ड महत्व छैक। गामघरसं अहांक जुड़ाव पाठकक लेल वरदान सिद्ध भऽ रहल अछि।
ReplyDeleteগজেন্দ্র ঠাকুব
NIK LAGAL MADAN BHAIYA, EHINA JALDI JALDI ABAIT RAHOO
ReplyDeleteबन्दूक मेs गोली के, पूजा मेs रोली के, कमिटी मेs बोली के, बहुत महत्व अछि .....
ReplyDeletebah
लाइफ मेs टेंसन के, वृद्धावस्था मे पेंसन के, ऑफिस मेs सेक्शन के, बहुत महत्व अछि .....
आदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs पट्टीटोल के, बहुत महत्व अछि .....
घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....
रांची मेs मेन्टल के, डॉक्टर मेs डेन्टल के, आदमी मेs जेन्टल के, बहुत महत्व अछि ....
सहर मेs नाली के, झगरा मेs गाली के, ससुराल मेs साली के, बहुत महत्व अछि ...
जार मेs हिट के, गाड़ी मेs सिट के, भोजन मेs मिट के, बहुत महत्व अछि ....
साड़ी मेs कोटा के, पानि पिबय मेs लोटा के, स्कूल मेs सोटा के, बहुत महत्व अछि ....
नाचैय मेs मोर के, बेलमोहन मेs चोर के, समय मेs भोर के, बहुत महत्व अछि ....
गाम घरक बहुत रास चीज मोन पारि दैत छथि मदनजी।
ReplyDeletetension ke bich me ahank rachna sphoorti dait achi
ReplyDeleteee samanya aa serious dunu tarahak pathak lel samanya roop se aakarshak bani gel achi.
ReplyDeletedr palan jha
thik kahalanhi pala ji.
ReplyDeleteअपने लोकनिक कोटि कोटि धन्यवाद अहिना लेखकगन केs प्रोत्साहित करेत रहब ......
ReplyDeleteअपनेक रचना 'बहुत महत्व ऐछ' के मैथिल और मिथिला में बहुत महत्व ऐछ. मन प्रसन्न भ गेल. एक से बढ़ के एक रचना के संग्रह थिक मैथिल और मिथिला में. हमर हार्दिक अभिलाषा थिक कि मैथिली ब्लॉग, मैथिली भाषा, मिथिलांचल और मैथिल समुदाय के खूब प्रगति हुए
ReplyDeleteमनोरंजन कुमार झा
मुख़र्जी नगर, दिल्ली
मदनजी "बहुत महत्त्व अछि" अपनेक ई रचना पढ़ी के हँसैत - हँसैत ओत पोत भो गेलो अगला रचना के आशा राहत ....
ReplyDelete"" शिक्षा में साइनस के , पलेन में एयर लाइनस के , मोबाइल में रिलानस के बहुत महत्व अछि "" जय मैथिल जय मिथिला
ReplyDeleteबहुत - बहुत धन्यवाद पाठक गन के जे ओ अपन किमती व्क्त हमर रचना में देलैन , हम अपनेक सबक के अभारी छी -----
ReplyDeleteजय मैथिल जय मिथिला
मदनजी "बहुत महत्त्व अछि" अपनेक ई रचना पढ़ी के हँसैत - हँसैत ओत पोत भो गेलो अगला रचना के आशा राहत ....
ReplyDeleteARVIND KUMAR JHA
soni path
घर मेs टीवी के, मेला मेs बीवी के, मिठाई मेs जिलेवी के, बहुत महत्व अछि .....
ReplyDeleteआदमीक बोल के, भोजन मेs ओल के, गाँव मेs पट्टीटोल के, बहुत महत्व अछि .....
thike kahait chhi madan ji
Harekrishan jha (PATTITOL )
bahut nik jatek barai karu otek kam , ahi rachana ke padhala ke bad --
ReplyDelete