ई कार्यक्रम दिल्लीक सामाजिक संस्था राग विराग एजुकेशनल एंड कल्चरल सोसाइटी क ओर सँ कएल गेल. कार्यक्रमक शुरूआत संतोष नागर जीक वायलिन वादनसँ भेल. एहि के बाद भेल छल यात्रा. पुनीता जीक कोरियोग्राफीमे भेल एहि नृत्य नाटिका राग भटियार... बागेश्वरी... दरबारीसँ होइत राज जोगसँ खत्म भेल. एहिमे सविता अधिकारी... साक्षी कुमार आओर सुलगना राय अपन नृत्यसँ मन मोहि लेलखिन्ह. एहि नृत्य नाटिका यात्राकेँ संगीत देलन्हि कासिफ खान.
उत्सवक आखिरमे युवा कलाकार अंशुमाला बिहारमे पावनि... त्योहार...खुशीक मौका पर गाबय जाए वाला गीत पेश कएलन्हि। एहिमे कजरी... जट-जटिन... शादी-विवाह आओर होली पर गाबय जाय वाला गीत छल. लोक नाटक वाला हिस्सामे जयशंकरजी खुशबू आओर वंदनाक संग 'जट-जटिन' प्रस्तुत कएलन्हि.
विनीत जी "अंशुमाला" की छथि- स्त्री वा पुरुष। जँ स्त्री त "कएलीह" अथवा जँ पुरुष छथि तखन त ठीके अछि "कएलाह"। आशा अछि जे भविष्य मे एहि पर ध्यान राखल जेतैक।
ReplyDeleteprastuti nik lagal, usa , dilli sabh tham maithilik lel utsah dekhi mon gadgad bhay jait achhi
ReplyDeletepunita sharmak nrityak theme sabh ber kanek hati kay aa vishisht hoit achhi, anshumala ji mithila sangeet ke ekta nav pahchan deba me jutali chhathi
ReplyDeletejat jatin te aab gamo ghar me khelenai band bhay gel achhi, dilli me ekar prastuti bhel se padhi chakit aa harshit dunu bhelahu
ReplyDeletedhanyavad vinit ji update lel, ehina aagan seho ahan se update bhetait rahat se aasha achhi
ReplyDeleteआशीषजी, गलती बताबैक लेल धन्यवाद. मुदा, लेख हेलो मिथिला से साभार लेल गेल रहित. तहि स हमर ध्यान नहि गेल.
ReplyDeleteआशीषजी. अहांक धन्यवाद. आगां सं कृपया एक नजर हेलो मिथिला पर सेहो ध्यान देबाक कष्ट करबै. जे किछ ठीक करय के होएत से बताएब. शुरू मे गजेन्द्र जी जे कहैत छलखिन्ह ओकरा सुधारि दैत छलहुं मुदा आई काल्हि हुनकर संदेश नहिं आबि रहल अछि. जेहि सं किछ गलती रहि जाएत अछि. विनीत जी सं सेहो दुख भेल जे ओ अहांक बतएलाह के बाद हमरा सुधारय लेल नहिं कहलाह.
ReplyDeleteबहुत नीक प्रस्तुति।
ReplyDelete