भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Monday, September 07, 2009

की हमरा लोकनि सभ्य नहि होयबाक लेल अभिशप्त छी?

मैथिलेतर समाज मे भाषा आ संस्कृति एकटा एहेन सूत्र रूप मे ख्यात रहल अछि जे जाति, धर्म आ भौगोलिक देबाल केँ अर्थहीन बना देलक। हमरा देशक बगल मे बांग्लादेशक उदय एहि बातक प्रमाण अछि, जतए भाषा-संस्कृतिक प्रति प्रेम धर्म आ जाति सँ ऊपर साबित भेल। तहिना कइक टा मलयालम भाषी ईसाई आ मुसलमान आ हिंदू मित्र सब सँ भेंट भेल अछि जिनका लेल भाषा-संस्कृति सं बढ़ि कए और किछु नहि अछि। मुदा से मिथिलाक नाम पर कार्यक्रम कयनिहार, संस्कृतिक व्यापार कयनिहार आ भाषाक नाम पर भावनाक दोहन कयनिहार मैथिल सब एको रत्ती नहि बुझाइत अछि. हमरा लोकनि जहिना-जहिना सभ्य, सुशिक्षित आ आर्थिक रूप से नीक भेल जाइत छथि तहिना, तहिना मध्यकालीन मानसिकता आ जातिवादक रोगाह विषाणु सँ ग्रसित भेल जाइत छी?

काल्हि दिल्ली केर एलटीजी सभागार मे आयोजित कार्यक्रम मे जातिवादक एतेक घिनौन आ निर्लज्ज प्रदर्शन देखलहुं, जकरा बाद एहि तरहक तथाकथित सांस्कृतिक कार्यक्रम सब मे जयबाक कोनो उत्साह संभवतः आब भविष्य मे नहि होयत. मिथिलांगनक नाम पर जाहि अश्लील ढंग सँ ओहिठाम कायस्थांगन केर प्रर्दशन चलि रहल छल, से अत्यंत निराशाजनक छल। एहि संस्था केर पत्रिका, वेबसाइट सब ठाम लालदास, लाभ, मल्लिक, दास आ कर्ण जीक अलावा और कोनो जी नामो लेबाक लेल नहि छलाह। मंच पर होइत उदघोषणाक अनुसार मैथिली मे मात्र दू गोट साहित्यकार गणनीय छथि-ब्रजकिशोर वर्मा मणिपद्म आ श्रीमती शेफालिका वर्मा। एकर अलावा जँ जातियो धरि ओ सीमित रहितथि तँ हुनका उपेन्द्र दोषी, सोमदेव आ रमानंद रेणु मोन पड़ितथिन, मुदा सेहो नहि। ई कोन तरहक मानसिकता अछि जे मिथिला-मैथिलीक नाम पर एहेन-एहेन काज अत्यंत निर्लज्जतापूर्वक करैत अछि?

अत्यंत दुखक बात अछि कि हमरा लोकनि कायस्थ बनबाक लेल उताहुल छी, सोति बनबाक लेल अपस्यांत छी, ब्राह्मणत्व रक्षा लेल चिंतित छी आ संस्कृतिक नाम पर जातिवादि अस्मिताक खतरनाक खेल मे निमग्न छी. की एहि सब चीज के छोड़ि केँ मात्र मैथिल नहि भ सकैत छी हमरा लोकनि?

एहिना कोलकाता सँ एकटा पत्रिका बहराइत अछि-कर्णामृत। भगवानक चंद्रामृतक तर्ज पर कर्ण लोकिनक कर्णामृत। जा हे मैथिल। मिथिलामृत निकलितए तँ एकटा सार्थक बात होइतए। प्रशंसनीय काज होयतै, मुदा जातिक कट्टरता से थोड़े बुझैत छैक। ओ तँ जेना होयत तहिना स्वयं केँ सर्वश्रेष्ठ घोषित करबाक लेल, जातीय आत्मश्लाघा केर प्रदर्शन लेल कर्णामृत प्रकाशित करबै करत. काल्हि मिथिलांगनक स्टेज पर नामो लेबाक लेल एक्को गोटे कायस्थ छोड़ि आन क्यो जँ रहितथि तँ बुझितहु जे वास्तव मे मिथिला आ मैथिलीक लेल कोनो संस्था दिल्ली मे अलख जगा रहल अछि. मुदा से नहि भ रहल अछि. एतेक दिन मैथिलीक छाती पर मिथिलाक ब्राह्मण लोकनि (विशेष क कए दरभंगा-मधुबनी केर आ ओहो ठाम सोति बेशी) सवार रहलाह आ आब कायस्थ लोकनि ताहि लेल अश्वमेधक घोड़ा छोड़लनि अछि। एहि सँ जँ मैथिली भाषा बांचि गेल तँ बुझु जे गरीब आ देहातक आम जनता बड्ड जिद्दी छथि-जनिका दम पर भाषा बचल अछि। अन्यथा दिल्ली मे एहेन मैथिल परिवार बहुत कम अछि, जकर नेना मैथिली मे गप करए-व्याकरणहीन आ उच्चारणदोष सँ भरल हिंदीये टा मे जवाब भेटत।

5 comments:

  1. काल्हि हमहूं गेल रही मिथिलागंन के नाटक देखय लेल, आ ई बात हमरो अनुभव भेल। कुल मिलाकय एकटा बात तय अछि जे भाषा आ संस्कृति के नाम पर कयक टा गिद्ध मैथिली के लूटय में लागल अछि। ई जतेक संस्था रजिस्टर्ड के नाम सं अभरैत अछि सबटा सरकारी ग्रांट लयके पारिवारिक आ जातीय गिरोह थीक-मिथिलांगन के काल्हुका प्रदर्शन सं एतबे स्पष्ट होईत अछि। हमरा मैथिली के लेल काज करय बला दोसर संस्था सबके अनभव नहि अछि, लेकिन चेतना समिति के बारे में जतेक आलोचना सुनने रहियैक ओकरा एकटा दोसर रुप में मिथिलांगन दोहरौलक अछि।

    ReplyDelete
  2. नीक बिखय उठाओल, मुदा गँहीर धरि जएबाक जरुरति छल ताहि मे अपने संभवतः असफल छी एहि लेख मे। ब्राह्मणक सभा मे ब्राह्मणक
    आ कायस्थक सभा मे कायस्थ नहि रहतै तँ के रहतै यात्री आ राजकमल । मुदा कने बिलमू आ सोचू सभे-संस्था धरि इ गप्प नहि छैक,
    जँ कोनो दरभंगा बला सँ पुछबै जे मैथिलीक महान साहित्यकार के? तँ ओ तुरंत कहता जे सुमन जी तहिना सहरसा-सुपौल बला के ई प्रश्न पुछबै तँ जबाब भेटत किसुन जी । हमर ई उदाहरण जातीय कट्टरताक उदाहरण भने नहि हुअए मुदा भौगिलिक कट्टरताक इ अन्यतम उदाहरण होयत। कनेक आर गँहीर मे जेबैक त भेटत जे दरभंगा बेस पत्रिका सहरसा-सुपौलक सहित्यकार के बेसी जगह नहि दैत छैक त सहरसा-सुपौलक पत्रकिका सेहो दरभंगाबला के बारि राखैत छथि। भाइ साहेब हमर आग्रह जे कनेक एहू पर विचार करिऔ। गँहीर मे गेले सँ कोनो ठोस निष्पति भेटत।

    ReplyDelete
  3. हां से तऽ सच !
    कष्ट हॊइत छैक
    जातिक फांस मे ओझरायल
    कुहरैत-छटपटाइत लॊक कें देख कऽ

    मुदा जेकर जेहन भावना !

    कऽ तऽ रहल छथि ओहॊ रचनात्मके काज
    ई रचनात्मकता हुनका किछु न किछु इजॊत तऽ प्रदान करबे करतह्नि
    एहन अपसंस्कृति देख एतबा जरूर करी जे
    व्यक्तिगत स्तर पर हम सब संकल्प ली
    जे हम जीवनक कॊनॊ ठाम-कुठाम
    जातीयताक फांस मे नहि फंसब !

    ReplyDelete
  4. Want to read, but unable to read as after school, not in touch with Sanskrit. Feel sorry for that.

    Want to study Sanskrit again. Is in Internet, sanskrit learning materials are available, if yes, please send the link by e-mail.

    ReplyDelete
  5. MANAV MISHRA1:04 PM

    pankaj jee 'karnamritak' sandarbh me anhank tippani aneruak thik. karnamrit maithili bhasha aa sahitya ke samarpit nirvivad patrika thik.ki 'the hindu'-(angreji akhbar) apan dharm suchak naamak vajah san aprasangik bhai gelaik? ona kayasth sabhhak maithili sahityak prati yogdan ke kyo jhutha nahi sakait achhi.jan kono sansthak soochi me khalis brahmanak badla khalis kayasthak naam bheti jai ta chhagunta nahi lagbak chhahi.Manipadma aa shephalika dono gotek sahityak abdan shreshtha achhi. jan hunak naam sabsan paigh manal gelain ta brahman hebak karne ahanka kharab lagai gel. uchit hoyate jan ahan ahi tippani ke alochnatmak mani apan gambhir alochnak madhyame apan paksha raikhtie.ohino maithili sahitya ke santulit alochna ker darkar chhaik. jativadi jhagra san mukt rahal maithili sahitya me anerok agi lagebak prayas nahi kari. charcha me rahbak lel kurafati karba san bachbak chahi.

    ReplyDelete

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।