भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल अखनो ५ जुलाई २००४ क पोस्ट'भालसरिक गाछ'- केर रूपमे इंटरनेटपर मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितिक रूपमे विद्यमान अछि जे विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,आ http://www.videha.co.in/ पर ई प्रकाशित होइत अछि।
भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति
(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार
लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली
पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor:
Gajendra Thakur
रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व
लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक
रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित
रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक
'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम
प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित
आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha
holds the right for print-web archive/ right to translate those archives
and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).
ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/
पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन
संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक
अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह
(पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव
शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई
पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।
(c) २०००-२०२२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि। भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.html, http://www.geocities.com/ggajendra आदि लिंकपर आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha 258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/ भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/ पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA
Sunday, July 27, 2008
विदेह 15 अप्रैल 2008 वर्ष 1 मास 4 अंक 8 18. मिथिला रत्न
भारतीय डाक विभाग द्वारा जारी कवि, नाटककार आ' धर्मशास्त्री विद्यापतिक स्टाम्प।मिथिलाक रत्न लोकनिक चित्र 'मिथिला रत्न' स्तंभमे देखू।
भारत आ नेपालक माटिमे पसरल मिथिलाक धरती प्राचीन कालहिसँ महान पुरुष ओ महिला लोकनिक कर्मभूमि रहल अछि। प्रस्तुत अछि मिथिला रत्नक एकटा छोट संग्रह। एहि संग्रहकेँ पूर्ण करबाक हेतु अपन बहुमूल्य संग्रहकेँ ggajendra@videha.com केँ पठाऊ।
वैदिक जनक
’वैदेह राजा’ ऋगवेदिककालक नमी सप्याकनामसँ छलाह, यज्ञ करैतसदेह स्वर्ग गेलाह।ऋगवेदमे वर्णन अछि।ओऽ इन्द्रक संग देलन्हिअसुर नमुचीक विरुद्ध आऽताहिमे इन्द्र हुनकाबचओलन्हि।शतपथब्राह्म्णक माथव विदेहआऽ पुराणक निमि दुनूगोटेक पुरोहित गौतमछथि से दुनू एके छाथिआऽ एतएसँ विदेह राज्यकप्रारम्भ देखल जाऽ सकैतअछि। माथवक पुरहितगौतम मित्रविन्दयज्ञक/बलिक प्रारम्भकएलन्हि आऽ पुनः एकरपुनःस्थापना भेलमहाजनक २ केर समयमेयाज्ञवल्क्य द्वारा। निमिगौतमक आश्रमक लगजयन्त आऽ मिथि जिनकामिथिला नामसँ सेहो सोरकएल जाइत छन्हि,मिथिला नगरक निर्माणकएलन्हि।
’सीरध्वज जनक’ सीताकपिता छथि आऽ एतयसँमिथिलाक राजाक सुदृढ़परम्परा देखबामे अबैतअछि। ’कृति जनक’सीरध्वजक बादक 18मपुस्तमे भेल छलाह।
कृति हिरण्यनाभक पुत्रछलाह, आऽ जनकबहुलाश्वक पुत्र छलाह।याज्ञवलक्य हिरण्याभकशिष्य छलाह, हुनकासँयोगक शिक्षा लेने छलाह।कराल जनक द्वारा एकटाब्राह्मण युवतीकशील-अपहरणक प्रयासभेल आऽ जनक राजवंशसमाप्त भए गेल(अश्वघोष-बुद्धचरित आऽकौटिल्य-अर्थशास्त्र)
बाल्मीकि
सीतापति राम
वैदेही सीता
लव कुश
वाजसनेयीयाज्ञवल्क्य
याज्ञवल्क्य मिथिलाकदार्शनिक राजा कृतिजनकक दरबारमे छलाह।हुनकर माताक वा पिताकनाम सम्भवतः वाजसनीछलन्हि। ओना हुनकरपिता देवरातकेँ मानलजाइत छन्हि। याज्ञवल्क्य१. शुक्ल यजुरवेद, २.शतपथ ब्राह्मण,बृहदारण्यक उपनिषद आऽयाज्ञवल्क्य स्मृतिकदृष्टा/लेखक छथि।
याज्ञवल्क्य पत्नीमैत्रेयी
याज्ञवल्क्यक दू टा पत्नीछलथिन्ह, १. कात्यायनीआऽ दोसर मैत्रेयी। मत्रेयीब्रह्मवादिनी छलीह।कात्यायनीसँ हुनकातीनटा पुत्र छलन्हि-चन्द्रकान्ता, महामेघ आऽविजय।
अंगराज कर्ण
सांख्य दर्शन कणाद
महावीर जैन 599-527
गौतम बुद्ध BC 563-483
चाणक्य BC 350-283
धर्म आऽ विधिक क्षेत्रमे कौटिल्यकअर्थशास्त्र आऽ याज्ञवल्क्य स्मृतिमेबड्ड समानत अछि जे चाणक्यकमिथिलावासी होयबाक प्रमाण अछि।
अर्थशास्त्रमे(१.६ विनयाधिकारिकेप्रथमाधिकरणे षडोऽध्यायःइन्द्रियजये अरिषड्वर्गत्यागः) करालजनक केर पतनक सेहो चर्चा अछि।
तद्विरुद्धवृत्तिरवश्येन्द्रियश्चातुरन्तोऽपिराजा सद्यो विनश्यति- यथा
दाण्डक्यो नाम भोजः कामाद् ब्राह्मणकन्यायमभिमन्यमानः सबन्धराष्ट्रोविननाश करालश्च वैदेहः,...।
चन्द्रगुप्त मौर्य चाणक्यक शिष्य BC 340-293
आर्यभट्ट वैज्ञानिक476-550
सिद्ध सरहपाद 700-780
आदि शंकराचार्य788-820 मंडनमिश्रसँ शास्त्रार्थ
महाकवि विद्यापतिठाकुर 1350-1450
मैथिली भाषाक आदि कवि। अनेक गद्यग्रन्थहुक प्रणेता । कालजयी पद रचनाक अमर कवि । कीर्तिलता, कीर्तिपताका, पुरुष परीक्षा, गोरक्षविजय, लिखनावली आदि ग्रंथ समेत विपुल संख्यामे कालजयी मैथिली पदक रचयिता ।
शंकरदेव 1449-1569
गोनू झा करमहेसोनकरियाम 1450-1550
लक्ष्मीनाथ गोसाई1793-1872
कवि चन्दा झा 1831-1907
मूलनाम चन्द्रनाथ झा,ग्राम- पिण्डारुछ, दरभंगा।कवीश्वर, कविचन्द्र नामसँविभूषित। ग्रिएर्सनकेँमैथिलीक प्रसंगमे मुख्यसहायता केनिहार।
कृति- मिथिला भाषारामायण, गीति-सुधा,महेशवाणी संग्रह, चन्द्रपदावली, लक्ष्मीश्वरविलास, अहिल्याचरितआऽ विद्यापति रचितसंस्कृत पुरुष-परीक्षाकगद्य-पद्यमय अनुवाद।
सर जी. ए. ग्रियर्सनमैथिली प्रेमी 1851-1941
महाकवि लालदास1856-1921
हिनक जन्म खड़ौआ ग्राममे १८५६ ई. मे तथा मृत्यु १९२१ ई. मे भेलन्हि । हिनक अनेक रचना उपलब्ध होइत अछि, यथा—रमेश्वर चरित रामायाण,’ स्त्री शिक्षा,’ ’सावित्री-सत्यवान,’ ’चण्डी चरित,’ ’विरुदावली,’ ’दुर्गा सप्तशती,’ तन्त्रोक्त मिथिला माहात्म्य’ आदि । मैथिलीक अतिरिक्त ई संस्कृत, हिन्दी तथा फारसीक ज्ञाता छलाह । कविताक अतिरिक्त गद्यमे सेहो ई रचना कएल । रमेश्वर चरित रामायण हिनक सभसँ विशिष्ट ग्रन्थ अछि । राम-कथाक उल्लेखमे सीताक महिमाक महत्त्व दए मिथिला तथा मैथिलीक प्रति ई अपन श्रद्धा तथा भक्तिकेँ व्यक्त कएल अछि ।
म. म. परमेश्वर झा1856-1924
जन्म 1856 ई. मे तरौनी ग्राम (दरभंगा) जिलामे भेल छलन्हि तथा निधन 1924 ई. मे । संस्कृत व्याकरणक ई दिग्गज विद्वान् छलाह तथा ‘वैयाकरण केशरी’क उपाधिसँ विभूषित छलाह । मैथिली साहित्यमे अपन कृति‘मिथिलातत्त्व विमर्श’तथा ‘सीमंतिनी आख्यायिका’क कारणे महत्त्वपूर्ण स्थान रखैत छथि । ई महाराज रमेश्वर सिंहक दरवारमे राज-पंडितक पदपर अनेको वर्ष धरि सुप्रतिष्ठित छलाह ।
अवधबिहारी प्रसादशाही 1859-1929
सर्वतंत्र स्वतंत्र बच्चाझा 1860-1921
मधुबनी जिलांतर्गतलवाणी(नवानी) गाममेहिनकर जन्म भेलन्हि।हिनक कृति सभ अछि। 1.सुलोचन-माधव चम्पूकाव्य, 2.न्यायवार्त्तिकतात्पर्य व्याख्यान, 3.गूढ़ार्थ तत्त्वलोक(श्रीमदभागवतगीताव्याख्याभूत मधुसूदनीटीका पर) 4.व्याप्तिपंचकटीका 5.अवच्छदकत्वनिरुक्त्ति विवेचन6.सव्यभिचार टिप्पण7.सतप्रतिपक्ष टिप्पण8.व्याप्तनुगन विवेचन9.सिद्धांत लक्षण विवेक10.व्युत्पत्तिवाद गूढार्थतत्वालोक 11.शक्त्तिवादटिप्पण 12.खण्डन-ख़ण्डखाद्य टिप्पण 13. अद्वैतसिद्धि चन्द्रिका टिप्पण14.कुकुकाञ्जलि प्रकाशटिप्पण।
म. म. शशिनाथ झा1860-1930
मुंशी रघुनन्दन दास1860-1945
डॉ. सर आशुतोष मुखर्जीमैथिली प्रेमी 1864-1924
मधुसूदन ओझा 1866-1939
मुकुन्द झा "बख्शी"1869-1936
जन्म हरिपुर बख्शी टोल ग्राम (मधुबनी जिला) मे 1869 ई. मे भेल तथा हिनक निधन काशीमे 1937 ई. मे भेलन्हि । हिनक लिखल संस्कृत मे अनेक ग्रंथ अछि । मैथिलीमे हिनक महत्त्वपूर्ण कृति अछि‘मिथिला भाषामय इतिहास’ । एकर अतिरिक्त मैथिलीमे हिनक स्फुट निबन्ध सभ सेहो प्रकाशित भेल । मिथिलाक ऐतिहासिक वर्णन सभसँ पहिने हिनके प्रकाशित भेल । एहि इतिहासमे मिथिलाक सर्वतोमुखी परिचय प्रस्तुत कएल गेल अछि ।
डॉ. सर गंगानाथ झा1871-1941
जन्म मधुबनी जिलाक सरिसब-पाही ग्राममे 1871 ई. मे भेल तथा निधन प्रयागमे 1941 ई. मे । ई अपना समयक संस्कृतक प्रकाण्ड विद्वान म. म. चित्रधर मिश्र, म. म. जयदेव मिश्र तथा म. म. शिवकुमार शास्त्नीसँ मीमांसा एवं दर्शनक अध्ययन कएलन्हि तथा दर्शनक विभित्र दुरूह ग्रंथक अङरेजीमे अनुवाद कए पाश्चात्य संसारक ध्यान आकृष्ट कएलन्हि । ई गवर्नमेन्ट संस्कृत कॉलेज बनारसमे 1917 सँ 1923 धरि प्रिसिपल छलाह तथा एलाहाबाद विश्वविद्यालयक 1923 सँ 1932 पर्यन्त कुलपति रहलाह । मैथिलीमे हिनक सम्पादित चन्दा झाक ‘महेशवाणी संग्रह’तथा ‘गणनाथ-विन्ध्यनाथ पदावली’प्रकाशित अछि । मैथिली साहित्य परिषद् द्वारा प्रकाशित हिनक‘वेदान्त दीपक’ (दर्शन) विषयक अपूर्व ग्रंथ अछि । एहिसँ भिन्न हिनक निबंध सभ सामयिक मैथिली पत्न-पत्निकामे प्रकाशित अछि ।
अरविन्द घोष मैथिलीप्रेमी 1872-1950
जनार्दन झाजनसीदन 1872-1951
रासबिहारीलालदास,मिथिला दर्पण1872-1940
रामचन्द्र मिश्र "चन्द्र"1873-1937 मैथिल प्रभा
महावैय्याकरणाचार्य पंदीनबन्धु झा 1878-1955
भवनाथ मिश्र 1879-1933 मिथिला शब्द प्रकाश
कीर्त्यानन्द सिंह
टंकनाथ चौधरी 1884-1928
भवप्रीतानन्द ओझा1886-1970
कपिलेश्वर मिश्र 1887-1987
बालकृष्ण मिश्र 1888-1948
सुनीति कुमार चटर्जीमैथिली प्रेमी 1890-1977
बलदेव मिश्र 1890-1975
हिनक जन्म सहरसा जिलाक वनगाँव ग्राममे 1890 ई. मे एवं निधन फरवरी, 1975मे भेलन्हि । प्रारम्भमे पं. गेनालाल चौधरीसँ ज्यौतिष पढ़ि ई काशीमे पं. सुधाकर द्विवेदीजीक शिष्य भेलाह । बहुत वर्ष धरि सरस्वती भवन (वाराणसी) मे हस्तलिखित विभागमे कार्य कएल । पश्चात् पटनाक काशीप्रसाद जयसवाल रिसर्च संस्थानमे अनेक प्राचीन तिब्बती हस्तलिपिकेँ देवनारीमे लिप्यन्तरित कएल। ’मिथिलामोद’ प्रकाशन एवं म.म. मुरलीधर झाक प्रोत्साहनसँ ज्यौतिषीजी १९१० ई.सँ ’मोद’मे लिखए लगलाह। हिनक प्रकाशित रचना अछि—’रामायण शिक्षा’, ’चन्दा झा’, ’संस्कृति’, ’भारत शिक्षा’, ’गप्प-सप्प विवेक’, ’समाज’ आदि । पण्डितजी यावत् धरि पटना रहलाह बराबरि ’मिहिर’मे लिखैत रहलाह ।
आचार्य रामलोचन शरण1890-1971
सीताराम झा 1891-1975
जन्म चौगामा ग्राममे १८९१ ई.मे तथा निधन १९७५ ई. मे भेलन्हि । संस्कृतमे ज्योतिष शास्त्रक अनेक रचनाक .अतिरिक्त मैथिलीमे हिनक ’अम्ब चरित’ (महाकाव्य), ’सूक्ति सुधा,’ लोक लक्षण,’ ’पढ़ुआचरित,’ ’पूर्वापर व्यवहार,’ उनटा बसात,’ ’अलंकार दर्पण’, ’भूकम्प वर्णन’, ’काव्य षट-रस’, ’मैथिली काव्योपवन’, आदि ग्रन्थ उपलब्ध अछि । हिनक गीताक मैथिली अनुवाद सेहो उपलब्ध अछि । मिथिला मोदक सम्पादन १९२० ई.सँ १९२७ ई. धरि ई कएल ।
ताराचरण झा 1892-1928
बद्रीनाथ झा 1893-1973
जन्म मधुबनी जिलाक सरिसव ग्राममे १८९३ ई. मे भेलन्हि तथा १९१४ ई. मे ई काशी लाभ कएलिन्ह । बहुत दिन धरि ई मुजफ्फरपुरक धर्म्म समाज संस्कृत कॉलेजमे साहित्यक अध्यापक छलाह । मैथिलीक विख्यात कवि लोकनि यथा सुमनजी, मधुपजी, मोहनजी आदि हिनक शिष्य छथिन्ह । संस्कृत साहित्यमे हिनक अनेक रचना अछि । जाहिमे राधा परिणय’ (महाकाव्य) क स्थान विशिष्ट अछि । मैथिलीमे हिनक ’एकावली परिणय’ (महाकाव्य) एक नवीन कीर्तिमान स्थापित कएलक। कोनो अलंकारक दृष्टान्त तकबाक हेतु ’एकावली परिणय’ पर्याप्त अछि ।
जीवनाथ राय 1893-1964
उमेश मिश्र 1895-1967
जन्म मधुबनी जिलाक गजहरा ग्राममे 1895ई. मे भेल छलन्हि । ई एकहतरि वर्षक आयुमे १९६७ ई. मे प्रयागमे स्वर्गवासी भेलाह । ई अपन स्वनाम-धन्य पिता म. म. जयदेव मिश्र तथा म. म. डा. गंगानाथ झाक सान्निध्यमे विद्यार्जन कएल। १९२३ सँ १९५९ धरि मिश्रजी एलाहाबाद विश्वविद्यालयमे संस्कृतक प्राध्यापक छलाह । दरभंगा ’मिथिला शोध संस्थान’क निदेशक पदपर किछु समय कार्य कए १९६२ सँ ६५ धरि कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति रहलाह ।म. म. मुरलीधर झासँ प्रभावित भए ’मिथिलामोद’मे ई लिखब प्रारम्भ कएलन्हि तथा अपन विविध प्रकारक रचनासँ मैथिलीक गद्यकेँ समृद्ध् कएलन्हि । मैथिलीमे हिनक प्रसिद्ध ग्रन्थ अछि—’कमला’ (शेक्सपीयरक ’टेम्पेस्ट’क भावानुवाद), ’नलोपाख्यान’,‘मैथिली-संस्कृति’ तथा अनेक वर्णनात्मक एवं आलोचनात्मक निबन्ध; मनबोधक कृष्णजन्मक सम्पादन, विद्यापतिक कीर्तिलता, कीर्तिपताका, गोरक्ष विजय आदिक अनुवाद-सम्पादन सेहो कएल।
बाबू धनुषधारी लालदास 1895-1965
अमरनाथ झा 1897-1955
सरिसब पाहीटोल ग्राममे १८९७ ई. मे भेल । हिनक निधन पटनामे जखन ई बिहार लोक सेवा आयोगक अध्यक्ष छलाह, १९५५ मे भेलन्हि । ई एलाहाबाद विश्वविद्यालयक नओ वर्ष धरि कुलपति रहि पश्चात् हिन्दू विश्वविद्यालयक सेहो कुलपतिक पदकेँ सुशोभित कएलन्हि । ई अंगरेजीक प्रकाण्ड विद्वान् छलाह, ताहि संग हिन्दी, उर्दू, फारसी, संस्कृत, बङला एवं मैथिलीक सेहो अद्भुत विद्वान् छलाह ।मैथिलीमे हिनका द्वारा सम्पादित‘हर्षनाथ काव्य ग्रन्थावली’ तथा‘गोविन्ददासक श्रृग्ङारभजन’ महत्त्वपूर्ण अछि । एहिसँ भिन्न हिनक मैथिली साहित्य परिषदक अध्यक्षीय भाषण तथा अन्य लेख प्रकाशित अछि ।
भोलालाल दास 1897-1977
हिनक जन्म दरभंगा जिलाक कसरौर मे भेलन्हि । साहित्य सर्जनाक अतिरिक्त अपन संगठन क्षमता तथा मैथिली साहित्यक सर्वतोमुखी विकासक हेतु सतत तत्पर रहबाक कारणेँ भोला बाबू मैथिली संसारक एक स्तम्भक रूपमे रहलाह । हिनक निधन 1977 ई. मे भेल ।
मैथिलीक प्रचार-प्रसारमे ई अपन जीवन समपित कएने छलाह। पाठ्यक्रममे मैथिलीकेँ स्थान हो ताहि हेतु ई बीड़ा उठओलन्हि । विद्यालय स्तरक अनेक पोथीक निर्माण कएल । मैथिली साहित्य परिषदक ई संस्थापक मण्डलक सदस्य छलाह । 1931 सँ 1940 ई. पर्यन्त ओकर प्रधान मन्त्नी रहलाह । हिनक मन्त्नित्वकालमे ’भारती’ नामक मासिक पत्नक प्रकाशन भेल । एहिसँ पूर्व (१९२९-३१) कुशेश्वर कुमरजीक संग संयुक्त सम्पादनमे ’मिथिला’ नामक पत्न चलाओल ।
ई नवीन एवं प्रगतिशील विचारक लोक छलाह । ननव लेखककेँ प्रोत्साहित करब, शैलीमे एकरूपता आनब, नव प्रकाशनसँ मैथिलीक साहित्य भंडारक पूर्त्ति करब हिनक कर्त्तव्य बनि गेल छल ।
हिनक लिखल ‘मैथिली व्याकरण’ तथा हिनकहि द्वारा सम्पादित‘गद्यकुसुमांजलि बहुत दिन धरि विद्यालयमे पढ़ाओल जाइत रहल । हिनक लिखल अनेक निबन्ध समालोचना, कविता, संस्मरण, जीवनी-साहित्य मैथिलीक पत्र-पत्निकामे छिड़िआएल अछि ।
कुमार गंगानन्द सिंह1898-1971
जन्म—बनैली राजपरिवारमे 24-9-1898, मृत्यु:-श्रीनगर पूर्णिञा 17-1-1970 । भूतपूर्व शिक्षामंत्नी, बिहार एबं कुलपति, कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय ।रचना—अगिलही (उपन्यास) तथा अनेक कथा एवं एकांकी । साहित्यकारक रूपमे अगिलही लएकेँ विशेष रव्याति । युगक अनुरूप सामाजिक कुरीति आदिकेँ आधार बनाए सुधारवादी दृष्टिएँ कथा सभहिक रचना ।
ब्रजमोहन ठाकुर1899-1977
रामवृक्ष बेनीपुरी1899-1967
भुवनेश्वर प्रसाद 1902-
जयनारायण झा'विनीत' 1902-1991
सुधाकर झा "शास्त्री"1904-1974
दामोदर लाल दासविशारद 1904-1981
बबुआजी झा 'अज्ञात'1904-1996
बल्लभ झा हाटी 1905-1940
रमानाथ झा 1906-1971
जन्म दरभंगा जिलाक उजान (धर्मपुर) ग्राममे 1906 ई. मे एवं हिनक निधन दरभंगामे १९७१ ई. मे भेलन्हि । 1930 ई. मे अङरेजीमे एम. ए. कएलाक बाद ई कतोक वर्ष धरि मधेपुर उच्च विद्यालयक प्रधानाध्यापक छलाह, तकरा बाद दरभग्ङा-राज-लाइब्रेरीक पुस्तकालयाध्यक्षक रूपमे 1936 सँ अन्तिम समय धरि रहलाह । 1952 सँ 62 चन्द्रधारी मिथिला कॉलेजमे प्रो. झा अङरेजीक प्राध्यापक रूपेँ काजka पश्चात् ओही कॉलेजमे मैथिली विभागाध्यक्ष बनाओल गेलाह । 1965 मे रमानाथ बाबू साहित्य अकादमीक मैथिलीक प्रतिनिधि निर्वाचित भेलाह जाहि पद पर ओ जीवनक अन्त समय तक रहलाह ।
हिनक रचनाक क्षेत्न बहुत व्यापक छल । हिनक अनुसंधानात्मक निबंक दू गोट संग्रह‘निबन्धमाला’ तथा‘प्रबंध संग्रह’ प्रकाशित अछि । संकलित सम्पादित पुस्तक सभमे‘मैथिली पद्य-संग्रह’,‘मैथिली गद्य-संग्रह’,‘प्राचीन गीत’, ‘कथा काव्य’, ‘नवीन गीत’,‘कविता कुसुम’, ‘कथा संग्रह’ आदि अछि ।‘कथासरित्सागर’क आधार पर प्राञ्जल गद्य शैलीमे हिनक ‘उदयन-कथा’ तथा ‘बररुचि-कथा’ बेश ख्याति पओलक । व्याकरणक‘मिथिला भाषा प्रकाश’,‘अलक्ङारप्रवेश’ आदि अनेक ग्रन्थ प्रकाशित अछि । ‘मैथिली साहित्य पत्र’ त्नैमासिक पत्रिकाक संपादक।
काशीकान्त मिश्र"मधुप" 1906-1987
’राधाविरह’ (महाकाव्य) पर साहित्य अकादेमी पुरस्कार प्राप्त मैथिलीक प्रशस्त कवि आ मैथिलीक प्रचार-प्रसारक समर्पित कार्यकर्ता ’झंकार’ कवितासँ क्रान्ति गीतक आह्वान कएलनि । प्रकृति प्रेमक विलक्षण कवि । ’घसल अठन्नी कविताक लेल कथ्य आ शिल्प-संवेदना—दुहू स्तर पर चरम लोकप्रियता भेटलनि।
कांञ्चीनाथ झा"किरण" 1906-1988
जन्म स्थान-धर्मपुर,लोहना रोड, दरभंगा बिहार । मैथिली भाषा आंदोलनमे महत्वपूर्ण भूमिका। ’पराशर’ महाकाव्य लेल साहित्य अकादमी ओ ’कथा किरण’ लेल वैदेही पुरस्कारसँ सम्मानित । प्रकाशित कृति: चंद्रग्रहण (उपन्यास), वीर-प्रसून (बालकथा), जय जन्मभूमि (एकांकी), विजेता विद्यापति (नाटक), कथा-किरण (कथा-संग्रह), किरण-कवितावली, कतेक दिनक बाद (कविता-संग्रह), पराशर (महाकाव्य) ओ किरण-निबंधावली (निबंध-संग्रह) आदि।
श्यामानन्द झा 1906-1949
रमाकांत झा, नेपाल1907-1971
ईशनाथ झा 1907-1965
बहुमुखी प्रतिभाक कवि । प्राचीन आ नवीन पद्धतिक काव्य-रचनाक विलक्षण संयोग हिनकर कवितामे भेटैत अछि । दलित वर्ग, शोषणक समस्या, स्वदेश प्रेमक यथार्थवादी रचनाक संग संग व्यक्तिनिष्ठ कल्पनाक अनेक विशिष्टकविता मैथिलीमे लिखलनि ।
भुवनेश्वर सिंह 'भुवन'1907-1944
अपन खाढ़ीक बहुमुखी प्रतिभाक कवि । प्राचीन आ नवीन रीतिक कविताक रचना विपुल संख्यामे कएलनि । ’भुवन भारती’ कविता संकलन प्रकाशनसँ मैथिली ओज आ नव चेतनाक शंख फुकलनि।
हरिमोहन झा 1908-1984
हिनकर मैथिली कृति१९३३ मे “कन्यादान”(उपन्यास), १९४३ मे"द्विरागमन”(उपन्यास),१९४५ मे “प्रणम्य देवता”(कथा-संग्रह), १९४९ मे“रंगशाला”(कथा-संग्रह),१९६० मे“चर्चरी”(कथा-संग्रह) आऽ१९४८ ई. मे “खट्टरककाक तरंग” (व्यंग्य)अछि।
रामधारी सिंह 'दिनकर'मिथिला रत्न 1908-1974
मांगन खबास 1908-1943 संगीतज्ञ
सुभद्र झा 1909-2000
स्नेहलता 1909-1993
कालीकान्त झा 1909-
तंत्रनाथ झा 1909-1984
जन्म १९०९ ई मे दरभंगा जिलाक धर्मपुर ग्राममे भेलन्हि मुत्यु ४-५-’८४,चन्द्रधारी मिथिला कॉलेजमे अर्थशास्त्नक प्राध्यापक छलाह । अवकाश ग्रहण क काव्य साधनामे लागल रहलाह । महाकाव्य, मुक्तक, एकांकी सभ विधामे ई सिद्ध हस्त छलाह । हिनक ’कीचक वंध’ महाकाव्य अङरेजीक‘ब्लैक्ङ भर्स’ (अमित्नाक्षर छन्द) म लिखल अछि । मैथिलीमे ’सौनेट’ एवं ब्लैक्ङ भर्स’क ई प्रथम प्रयोक्ता थिकाह । संस्कृत परम्परामे काव्य रचना करितहुँ पाश्चात्य शैलीक नवीनता हिनका रचनामे भेल । हिनक ’कीचक वध’ ओ ’कृष्ण चरित’महाकाव्य—‘मङ्गल-पञ्चाशिका’ एवं‘नमस्या’ मैथिली साहित्यमे अपन विशिष्ट स्थान रखैछ । तकर अतिरिक्त मुक्तक काव्यमे विषय वस्तुक व्यापकता एवं शिल्प शैलिक प्रचुरता अबैत अछि । एक दिश यदि प्राचीन ढंगक ईश्बर वन्दनाक रचना कएलन्हि तँ दोसर दिस ‘सौनेट’(चतुर्दशपदी) ‘बैलेड’आदि लिखबामे पूर्ण सफलता प्राप्त कएलन्हि ।‘कृष्ण चरित’महाकाव्य पर हिनका 1979 ई क साहित्यक अकादमी पुरस्कार भेटलन्हि । 1980 ई. मे हिनका अभिनन्दन ग्रन्थसमर्पित कएल गेलन्हि ।
जीवनाथ झा 1910-1977
सुरेन्द्र झा 'सुमन' 1910-2002
जन्म: ग्राम : बल्लीपुर, जिला-समस्तीपुर । प्रकाशित कृति: प्रतिपदा, अर्चना,साओन-भादव,अंकावली, अन्तर्नाद, पयस्विनी, उत्तरा आदि तीससँ अधिक मौलिक कविता-पुस्तक;पुरुष-परीक्षा, अनुगीतांजलि, ऋतु श्रृंगार तथा वर्णरत्नाकर, पारिजात-हरण, कृष्णजन्म, आनन्द-विजय आदि कतिपय ग्रन्थक अनुवाद-संपादन; ’मैथिली काव्य पर संस्कृतक प्रभाव’ नामक समीक्षा-ग्रंथ। ’पयस्विनी’ लेल १९७१ मे साहित्य अकादेमी पुरस्कार तथा ’उत्तरा’ पर १९१८ मे मैथिली अकादेमीक विद्यापति पुरस्कार प्राप्त । मैथिलीक प्रथम दैनिक पत्र ’स्वदेश’क लब्धप्रतिष्ठ सम्पादक।
'नागार्जुन' वैद्यनाथमिश्र 'यात्री' 1911-1998
जन्म अपन मामागामसतलखामे भेलन्हि, जेहुनकर गाम तरौनीकसमीपहिमे अछि, जिला-दरभ्गा । मूल नाम: वैद्यनाथ मिश्र । हिन्दीमे नागार्जुन नामे प्रख्यात । प्रकाशित कृति: चित्रा, पत्रहीन नग्न गाछ (मैथिली कविता-संग्रह); पारो, बलचनमा, नवतुरिया (मैथिली उपन्यास); युगधारा, सतरंगे पंखोंवाली, प्यासी पथराई आंखें, खिचड़ी विप्लव देखा हमने, तुमने कहा था, हजार हजार बाहो वाली, पुरानी जूतियो का कोरस, रत्नगर्भा, ऐसे भी हम क्या ! ऐसे भी तुम क्या ! (हिन्दी कविता-संग्रह); रतिनाथ की चाची, बलचनमा, नई पौध, बाबा बटेसरनाथ, वरुण के बेटे, दुखमोचन, कुम्भीपाक, अभिनन्दन, उग्रतारा, इमरतिया (हिन्दी उपन्यास); आसमान में चन्दा तैरे (कहानी संग्रह); भस्मांकुर (हिन्दी खण्ड काव्य); अन्नहीनम् क्रियाहीनम् (निबन्ध-संग्रह); गीत गोविन्द; मेघदूत; विद्यापति के गीत, विद्यापति की कहानियां (अनुवाद) । ’पत्रहीन नग्न गाछ’ लेल १९६८ मे साहित्य अकादेमी पुरस्कार प्राप्त । यायावरी जीवन । मैथिली प्रतिनिधिक रूपमे रूस भ्रमण ।
आरसीप्रसाद सिंह 1911-1996
जन्म: ग्राम-एरौत, जिला-समस्तीपुर । प्रकाशित कृति: माटिक दीप, पूजाक फूल, सूर्यमुखी (कविता-संग्रह), मेघदूत (अनुवाद), आरसी, नन्ददास, संजीवनी (हिन्दी काव्य संग्रह)। ’सूर्यमुखी’ लेल १९८४ मे साहित्य अकादेमी पुरस्कार प्राप्त ।
गुरु जयदेव मिश्र 1911-1991 शिष्य गंगानाथझा
यशोधर झा
मिथिला वैभव, दर्शनपरमैथिली पोथीपर 1966 मेपहिल साहित्य अकादमीपुरस्कार मैथिली लेलप्राप्त।
वैद्यनाथ मल्लिक 'विधु'1912-1987
भीम झा 1912-
उपेन्द्र ठाकुर 'मोहन'1913-1980
जन्म १९१३ ई. मे दरभंगा जिलाक चतरिया ग्राममे भेलन्हि । मृत्यु २४-५-१९८० । संस्कृत शिक्षामे साहित्याचार्य ओ बड़ौदा राजक विद्वत्-परीक्षासँ‘साहित्य-रत्न’क उपाधिसँ विभूषित भेलाह । दैनिक आर्यावर्तमे आदिअहिसँ, पश्चात् १९६० सँ मिथिला मिहिरक उप-सम्पादक एवं सह-सम्पादक रूपेँ कार्य करैत १९७७ मे सेवा निवृत भेलाह ।मोहनजी करीब पचास वर्ष साहित्य साधनामे लागल रहलाह । विजयानन्द, कुंजरंजन, सुदर्शन, पुण्डरीक, शास्त्नी, बामन आदि छद्म नामसँ पत्न-पत्निकामे विविध विषयपर हिनक लेख सभ प्रकाशित भेल अछि ।मोहन जीक ‘बाजि उठल मुरली’मे १०१ गोट कविताक संकलन अछि जाहिमे हिनक सुदीर्घ काव्य-आराधनाक विभित्र विचारधाराक ओ विभित्र अनुभूतिक सामग्री उपलब्ध अछि । एहि पुस्तकपर मोहन’जीकेँ १९७८ मे साहित्य अकादम् पुरस्कार भेटलन्हि। एहिसँ बहुत पूर्व हिनक ’फुलडाली’ नामक कविता संग्रह सेहो प्रकाशित भेल छल ।
जयनाथ मिश्र (1913-1985)
श्रीकांत ठाकुर"विद्यालंकार"
पञ्जीकार मोदानन्द झा1914-1998
लब्ध धौत पञ्जीशास्त्रमार्त्तण्ड पञ्जीकारमोदानन्द झा, शिवनगर,अररिया, पूर्णिया।पिता-स्व. श्री भिखियाझा। गुरु- पञ्जीकारभिखिया झा। शास्त्रार्थपरीक्षा- दरभंगा महाराजकुमार जीवेश्वर सिंहकयज्ञोपवीत संस्कारकअवसर परमहाराजाधिराज(दरभंगा)कामेश्वर सिंह द्वाराआयोजित परीक्षा-1937 ई.जाहिमे मौखिक परीक्षाकमुख्य परीक्षक म.म. डॉ.सर गंगानाथ झा छलाह।
आनन्द झा 1914-1988
बाबू साहेब चौधरी1916-1998
लक्ष्मण झा 1916-2000
शुद्धदेव झा 'उत्पल'1916-
लक्ष्मीनाथ झामिथिला चित्रकला1917-1990
उपेन्द्र नाथ झा 'व्यास'1917-2002
जन्म स्थान-हरिपुर वकशीटोल, मधुबनी, बिहार । ’दू-पत्र’ लेल साहित्य अकादेमी पुरस्कारसँ सम्मानित । साहित्य अकादेमीक अनुवाद पुरस्कार प्राप्त । प्रकाशित कृति: कुमार, दू पत्र (उपन्यास), विडंबना, भजना भजले (कथा-संग्रह), पतन संन्यासी, प्रतीक (काव्य), महाभारत (पहिल दू पर्व) आदि।
मनमोहन झा 1918-
जन्म सरिसबमे,अश्रुकण, वीरभोग्या,मिथिलाक निशापुरमे।
ब्रजकिशोर वर्मा'मणिपद्म' 1918-1986
जन्म स्थान-बहेड़ा, दरभंगा बिहार । नैका बनिजार (उपन्यास) लेल साहित्य अकादेमी पुरस्कारसँ सम्मानित । उपन्यासकार, कथाकार ओ कवि । प्रकाशित कृति: कोब्रागर्ल, कनकी, अर्द्धनारीश्वर, लोरिक विजय, नैका-बनिजारा, लवहरि-कुशहरि, राय रणपाल, आदिम गुलाम आदि उपन्यास ओ कंठहार (नाटक) आदि।
बुद्धिधारी सिंह रमाकर1919-1991
जन्म मधुबनीमे 1919 ई. मे भेल । अपन पिता स्व. क्षेमधारी सिंहसँ विभित्र विषयक शिक्षा ग्रहण कएलन्हि । ई रामकृष्ण कॉलेज, मधुबनीक मैथिली विभागाध्यक्ष छलाह । जतएसँ अवकाश प्राप्त कएलन्हि । बाल्या-वस्थहिसँ ई कविकार्यमे लागल रहलाह अछि । संस्कृत तथा मैथिली दुनू भाषामे हिनक रचना प्रकाशित अछि । यथा—मैथिलीमे ‘प्रयास’(कथा-संग्रह), ‘मधुमती’,‘अमरबापू’ (कविता-संग्रह), ‘शरशय्या’ (खंड-काव्य) ‘स्मृति साहस्री’(महाकाव्य) आदि ।
आद्याचरण झा 1920-
फणीश्वर नाथ 'रेणु'मिथिला रत्न 1921-1977
जयकान्त मिश्र, पुत्रीकसंग आ' नेहरूक संग 1922-2009
चन्द्र भानु सिंह 1922-
गोविन्द झा 1923-
जन्मस्थान-इसहपुर, सनकोर्थु सरिसब पाही, मधुबनी, बिहार । प्रसिद्धकथाहार,उपन्यासकार, नाटककार, भाषा वैज्ञानिक ओ अनुवादक। साहित्य अकादेमी पुरस्कार, साहित्य अकादेमी अनुवाद पुरस्कारसँ सम्मानित। बिहार सरकारसँ कामिल बुल्के पुरस्कार, ग्रियर्सन पुरस्कार आदिसँ सम्मानित । प्रकाशित कृति: उपन्यास, नाटक, कथा, कविता, भाषा विज्ञान आदि विभिन्न विधामे अड़तीस टा पोथी प्रकाशित । प्रकाशन: सामाक पौती,नेपाली साहित्यक इतिहास (अनु) आदि । प्रबोध सम्मान 2006 सँसम्मानित।
सुधांशु शेखर चौधरी1922-1990
जन्म दरभंगाक मिश्रटोलामे 1922 ई. मे भेलन्हि तथा मृत्यु 1990 ई. मे भेलन्हि । किछु दिन विभिन्न जीविकामे रहि पश्चात् साहित्यकारक जीवन प्रारम्भ कएल । किछु दिन ‘बैदेही’क सम्पादन श्री सुमनजी एवं श्री कृष्णकान्त मिश्रजीक संग कएल तत्पश्चात् 1060 ई. सँ 1982 ई. धरि पटनामे ‘मिथिला मिहिर’’क सफल सम्पादन कएल ।हिनक दू गोट नाट्यकृति-‘भफाइत चाहक जिनगी’, लेटाइत आँचर’, तथा ‘पहिल साँझ’ हिनक नाटकक नीक व्यावहारिक अनुभवक परिचायक अछि ।छद्मनामसँ हिनक दू गोट उपन्यास मिहिर’मे प्रकाशित भेल अछि । हिनक उपन्यास ई वतहा संसार’ जे मैथिली अकादमी द्वारा प्रकाशित भेल आ जाहि पर 1980 क साहित्य अकादमीक पुरस्कार देल गेल ।
योगानन्द झा 1923-1986
हिनक जन्म मधुबनी जिलाक कोइलख ग्राममे 1923 ई. मे भेलन्हि । मृत्यु 1986 मे भेलनि । अग्रेजीमे एम. ए. कएलाक पश्चात् ई किछु दिन चन्द्रधरी मिथिला कॉलेजमे प्राध्यापक रहलाह । बिहार प्रशासनिक सेवामे 1981 धरि विभिन्न पदपर कार्य कएल । तत्पश्चात्मैथिली अकादमीक निदेशक ’84धरि ।योगानन्द झाजी मैथिली साहित्यमे अपन उपन्यास ‘भलमानुस’एवं ‘पवित्ना’क हेतु ख्यात छथि । हिनक नाटक ‘मुनिक मतिभ्रम’एवं कथा संग्रह ‘उड़ैत वंशी’ यथेष्ट प्रतिष्ठा प्राप्त कएने अछि । एकर अतिरिक्त ई महात्मा गान्धीक आत्मकथाक अनुवाद एवं ‘आमक जलखरी’ नामक एक कथा संग्रहक सम्पादन सेहो कएने छथि ।
रामकृष्ण झा'किसुन' 1923-1970
आधुनिक धाराक विशिष्ट कवि, कथाकार, चिन्तक । प्रकाशित कृति: आत्मनेपद (कविता संग्रह), मैथिली नवकविता (सम्पादन)। मृतयुपरान्त ’किसुन रचनावली’ तीन खण्डमे प्रकाशित ।
उमानाथ झा 1923-
जन्म:-1-1-1923: महरैल, भधुबनी ।भूतपूर्व अङरेजी विभागाध्यक्ष एवं प्रति-कुलपति मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा । रचना:-रेखाचित्न, अतीत (कथा संग्रह); मैथिली नवीन साहित्य, इन्द्र धनुष, विद्यापति गीतशती (सम्पादन)।
ज़टाशंकर दास 1923-2006
प्रबोध नारायण सिंह1924-2005
हिन्दी, संस्कृत, मैथिली, पाली एवं फारसीक विद्वान्। मिथिला, मैथिल एवं मैथिलीक ई अनन्य भक्त छथि । कलकत्ता रहि मिथिला दर्शन’,मैथिली कविता’, मैथिली रंगमंच’ आदि पत्निकाक प्रकाशनक माध्यमसँ श्री प्रबोधजी मैथिलीक जे सेवा कएल अछि तकर वर्णन थोड़मे सम्भव नहि । अनेक बङला कृतिक ई अनुवाद सेहो कएल अछि ।हिन्दीमे सेहो हिनक ‘कविता संग्रह’प्रकाशित अछि ।कलकत्ता विश्वविद्यालयमे हिन्दीक पूर्व अध्यक्ष।
अमोघ नारायण झा"अमोघ" 1924-
मुरलीधर सिंह, ब्रजमोहनठाकुर, शुभंकर झा,मदनेश्वर मिश्र 1924-2004, ललित नारायणमिश्र, देवनाथ राय
मतिनाथ मिश्र मतंग1924-
आनन्द मिश्र 1924-2007
चन्द्रनाथ मिश्र अमर1925-
जन्म: खोजपुर, मधुबनी । वरिष्ठ कवि, कथाकार-उपन्यासकार । हास्य-व्यंग्यक कवितामे बेजोड़। मैथिलीक लेल समर्पित व्यक्तित्व । पांच दर्जनसं बेसी कथा आ विदागरी, वीरकन्या (उपन्यास) जल समाधि (कथा संग्रह) प्रकाशित । ’पत्रकारिताक इतिहास’ लेल साहित्य अकादमीसं सम्मानित। एम. एल. एकेडमी, लहेरिरियासरायसं शिक्षकक रूपमे अवकाश प्राप्त। आशा दिशा, गुदगुदी, युगचक्र, उनटा पाल आदि कविता संग्रह प्रकाशित।
शुभंकर झा 1926-
दीनानाथ पाठक 'बन्धु'1928-1962
बुचन भगत, संत 1928-1991
अनंत बिहारी लाल दास"इन्दु" 1928-
जगदानन्द झा 1928-
राजकमल चौधरी1929-1967
महिषी, सहरसा। रचना:-आदि कथा, आन्दोलन,पाथर फूल (उपन्यास),स्वरगंधा (कविता संग्रह),ललका पाग (कथा संग्रह),कथा पराग (कथा संग्रहसम्पादन)। हिन्दीमे अनेकउपन्यास, कविताकरचना, चौरङ्गी (बङलाउपन्यासक हिन्दीरूपान्तर) अत्यन्तप्रसिद्ध।
जयधारी सिंह 1929-2007
समीक्षक, कवि । प्रकाशन: बौद्धगानमे तांत्रिक सिद्धांत, समीक्षा शास्त्रा अदि । रामकृष्ण कॉलेज, मधुबनीमै मैथिली विभागक पूर्व अध्यक्ष ।
शैलेन्द्र मोहन झा 1929-1994
विजयनाथ ठाकुर1929-2008
सुन्दर झा "शास्त्री" 1930-1998
जनकपुर, नेपाल,युवावस्थाक जेलक दुर्लभफोटो
रमेशचन्द्र वर्मा 1930-
गोपालजी झा 'गोपेश' 1931-2008
जन्म मधुबनी जिलाकमेहथ गाममे १९३१ ई.मेभेलन्हि।हिनकर रचित“सोन दाइक चिट्ठी”, “गुम भेल ठाढ़ छी”, “एलबम” “आब कहू मनकेहन लगैए”, "मखानकपात" प्रकाशित भेलजाहिमे सोनदाइक चिट्ठीबेश लोकप्रिय भेल।
विवेकानन्द ठाकुर1931-
ताराकांत मिश्र 1931-
ललित 1932-1983
जन्म स्थान बसैठ चानपुरा मधुबनी, बिहार । प्रसिद्ध कथाकार ओ उपन्यासकार । प्रकाशित कृति: प्रतिनिधि, (कथा संग्रह), पृथ्वी-पुत्र (उपन्यास) आदि।
मुरारि मधुसूदनठाकुर (1932- )
ताराशंकर बंदोपाध्यायकबंगला उपन्यास "आरोग्य निकेतन"क मैथिली अनुवाद लेल साहित्यअकादमीक अनुवादपुरस्कार 1999 भेटल छन्हि।
विद्यानारायण ठाकुर1933-
धूमकेतु 1932-2000
जन्म स्थान कोइलख,मधुबनी, बिहार । प्रसिद्ध कथाकार, उपन्यासकार ओ कवि । प्रकाशित कृति : दू टा कथा संग्रह ओ एक टा उपन्यास ।
राजमोहन झा 1934-
जन्म स्थानकुमरबाजितपुर, वैशाली,बिहार । प्रख्यात कथाकारओ संपादक । आइ काल्हिपरसू (कथा-संग्रह) लेलसाहित्य अकादेमीसँसम्मानित । प्रकाशितकृति : एक आदि एकांत,झूठ साँच, एकटा तेसर,अनुलग्नक, आइ काल्हिपरसू (कथा संग्रह),गलतीनामा, भनहिविद्यापति, टीप्पणीत्यादि(आलोचना)। ’आरम्भ’पत्रिकाक संपादन।प्रबोधसम्मान 2009 सँसम्मानित।
डॉ. धीरेन्द्र 1934-2004
जन्म स्थान लोहन, सरिसब पाही, मधुबनी, बिहार । प्रसिद्ध कथाकार,उपन्यासकार ओ कवि । प्रकाशित कृति: कुहेस आ किरण, पझाइत घूरक आगि, शतरूपा ओ मनु अपन मन्दिर (कथासंग्रह) हैंगरमे टाँगल कोट, काल्हि ओ आइ (कविता संग्रह) सहित कैक विधामे विभिन्न पोथी।
जमाहिरलाल जवाहरलालनेहरू जयकान्त मिश्रबैद्यनाथ चौधरी
हरिमोहन झा,मायानन्द मिश्र,स्वरूप दास
मायानन्द मिश्र 1934-
हिनक जन्म १७ अगस्त१९३४ ई. केँ सुपौल जिलाकबनैनियाँ गाममे भेलनि।भाङ्क लोटा, आगि मोमआ’ पाथर आओरचन्द्र-बिन्दु- हिनकर कथासंग्रह सभ छन्हि। बिहाड़िपात पाथर , मंत्र-पुत्र,खोता आ’ चिडै आ’सूर्यास्त हिनकर उपन्याससभ अछि॥ दिशांतरहिनकर कविता संग्रहअछि। एकर अतिरिक्तसोने की नैय्या माटी केलोग, प्रथमं शैल पुत्रीच,मंत्रपुत्र, पुरोहित आ’स्त्री-धन हिनकर हिन्दीककृति अछि।प्रबोध सम्मान2007सँ सम्मानित।
हरिशंकर श्रीवास्तव"शलभ" 1934-
सोमदेव 1934-
उपन्यासकार ओ कवि । साहित्य अकादेमी पुरस्कारसँ सम्मानित । प्रकाशित कृति: चानोदाइ, होटल अनारकली (उपन्यास), काल ध्वनि (कविता संग्रह), चरैवेति (गीति नाट्य) सोम सतसइ (दोहा)।
राजनन्दन लाल दास1934-
रमानन्द रेणु 1934-
जन्म स्थान उसमामठ, दरभंगा, बिहार । वरिष्ठ कवि, कथाकार ओ उपन्यासकार। साहित्य अकादेमी पुरस्कारसँ सम्मानित। प्रकाशित कृति: कचोट, त्रिकोण, अंतहीन आकाश (कथा-संग्रह), दूधफूल (उपन्यास), अंतत:, ओकरे नाम (कविता-संग्रह)।
रामभद्र, धनुषा,नेपाल 1935-
साहित्य तथा अन्यान्य क्षेत्रक कतोक सफल व्यक्तिसभ अपन प्रेरणास्रोत आ पथ-प्रदर्शक मानैत छथि । मैथिली साहित्य-क्षेत्रमे हिनक परिचयक मादे एतबाए कहब पर्याप्त होएत जे मैथिलीक मूर्द्धन्य साहित्यकार डा. धीरेन्द्र हिनका मैथिली साहित्यक सर्वश्रेष्ठ कथाकार मानैत छथि ।हिनक कथामे प्रतीकात्मकताक अदभुत प्रयोगहिटा नहि, अपितु एकटा आदर्श कथाक समस्त वैशिष्टसभविद्यमान रहैत अछि । कथाकारक अतिरिक्त ई उत्कृष्ट समालोचक, नाटककार आ कवि सेहो छथि । नेपालमे मैथिलीक पहिल मोनोड्रामा लिखबाक श्रेय सेहो हिनका जाइत छनि ।सामाजिक कुरीतिसभकँ कुशलतासँ चित्रण करबामे, चिन्तनीय बनएबामे आ मन-मस्तिष्कपर अमिट छाप छोड़बामे रामभद्र सिद्धहस्त छथि । धनुषा जिलाक कुर्था गाममे जनमल रामभद्रक पूर्ण नाम रामभद्र कर्ण छनि । अग्ङरेजी विषयक अवकाशप्राप्त शिक्षक रामभद्र व्याकरण, पाठयपुस्तक आ सहायक पुस्तकसभ लिखबाक काजमे निरन्तर सक्रिय छथि।
केदारनाथ चौधरी1936-
जन्म 3 जनवरी 1936 ईनेहरा, जिला दरभंगामे।1958 ई.मे अर्थशास्त्रमेस्नातकोत्तर, 1959 ई.मेलॉ। 1969 ई.मेकैलिफोर्निया वि.वि.सँअर्थस्थास्त्र मे स्नातकोत्तर, 1971 ई.मे सानफ्रांसिस्कोवि.वि.सँ एम.बी.ए., 1978मे भारत आगमन।1981-86क बीच तेहरानआ प्रैंकफुर्तमे। फेर बम्बई,पुणे होइत 2000 सँलहेरियासरायमे निवास।मैथिली फिल्म 'ममतागाबय गीत'क मदनमोहनदास आ उदयभानु सिंहकसंग सह निर्माता। तीनटा उपन्यास 2004 मेचमेली रानी, 2006 मेकरार, 2008 मे माहुर।
देवकांत झा 1936-
डॉ अमरेश पाठक 1936-
हिनक जन्म सीतामढ़ी जिलाक अन्तर्गत सामारि ग्राममे १९३६ मे भेलन्हि । १९५७ मे पटना विश्वविद्यालयसँ मैथिलीक एम. ए. परीक्षामे प्रथम श्रेणीमे प्रथमस्थान पाओल । १९५७ सँ १९६० धरि रामकृष्ण महाविद्यालय, मधुबनीमे व्याख्याता रूपेँ तकरा बाद पटना विश्वविद्यालयमे व्याख्याता रूपमे कार्य करए लगलाह । पटना विश्वविद्यालयमे मैथिली विभागाध्यक्ष रूपेँ । मैथिली उपन्यासक आलोचनात्मक अध्ययन’ शोध प्रबन्धपर हिनका बिहार विश्व-विद्यालय द्वारा डि. लिट्क उपाधि भेटलन्हि । ई शोध प्रबन्ध पुस्तकाकार रूपेँ सेहो प्रकाशित भेल अछि बिहार राष्ट्रभाषा परिषदक विद्यापति ग्रन्थावलीक सम्पादक मण्डलक सदस्य । हिनक अन्य प्रकाशित रचना अछि ’निबन्ध संकलन’ । एकरा छोड़ि विभित्र पत्न-पत्निकामे हिनक कतेको निबन्ध प्रकाशित छन्हि । मैथिली अकादमी द्वारा प्रकाशित कथा-संग्रहक इहो एक सम्पादक छथि । ई अधिकतर उच्च स्तरीय आलोचनात्मक निबन्ध लिखैत छथि ।
बलराम 1936-2008
जन्म स्थान पचही, मधुबनी, बिहार । विशिष्ट कथाकार । प्रकाशित कृति : दकचल देबाल (कथा-संग्रह)।
मैथिलीपुत्र प्रदीप 1936-
रामदेव झा 1936-
कथाकर, समीक्षक, अनुवादक, ग्रंथ सम्पादक । साहित्य अकादेमीक मूल एवं अनुवाद पुरस्कार प्राप्त कर्त्ता ल. ना. मिथिला विश्वविद्यालय दरभंगाक मैथिली विभागक पूर्व प्राचार्य । प्रकाशन: पसिझैत पाथर, (अनु.) आदि ।
रवीन्द्र नाथ ठाकुर1936-
जन्म पूर्णिञा जिलाक धमदाहा ग्राममे 1936 ई. मे भेलन्हि । नेने अवस्थासँ गीत गएबामे एवं कविता लिखबामे विशेष रुचि । कोनो मंच पर ठाढ़ भेला पर ई सहजहि श्रीताकेँ आह्लादित करैत छथि । हिनक सात गोट मैथिलीक गीत संग्रह, एक मिनी महाकाव्य, एक प्रयोगधर्मी काव्य, एक उपन्यास, एक नाटक ‘एक राति’ एवं एक हिन्दी नाटक, प्रकाशित भेल छन्हि ।
जीवकांत 1936-
जन्म स्थान ड्योढ़, घोघरडीहा, मधुबनी, बिहार । विशिष्ट कथाकार, कवि, उपन्यासकार । ’तकैत अछि चिड़ै’ (कविता) हेतु साहित्य अकादेमी पुरस्कारसँ सम्मानित । प्रकाशित कृति: एकसरि ठाढ़ि कदम तर रे, सूर्य गलि रहल आछि, वस्तु, करमी झील (कथा संग्रह), दू कुहेसक बाट, पीयर गुलाब छल, नहि कतहु नहि पनिपत, अगिनबान (उपन्यास), नाचू हे पृथ्वी, तकैत अछि चिड़ै, खाँड़ो (कवितासंग्रह)।
कीर्तिनारायण मिश्र1937-
जन्म १७ जुलाई १९३७ ई.केँ ग्राम शोकहारा(बरौनी), जिलाबेगूसरायमे भेलन्हि।हुनकर प्रकाशित कृतिअछि सीमान्त, हम स्तवननहि लिखब (कवितासंग्रह)। आखर पत्रिकाकलब्धप्रतिष्ठ सम्पादक।
गौरीकांत चौधरीकांत1937-2001
प्रफुल्ल कुमार सिंह'मौन' 1938-
ग्राम+पोस्ट- हसनपुर,जिला-समस्तीपुर।मैथिलीमे१.नेपालक मैथिली साहित्यकइतिहास(विराटनगर,१९७२ई.),२.ब्रह्मग्राम(रिपोर्ताज दरभंगा१९७२ ई.), ३.’मैथिली’त्रैमासिकक सम्पादन(विराटनगर,नेपाल१९७०-७३ई.), ४.मैथिलीकनेनागीत (पटना, १९८८ ई.),५.नेपालक आधुनिक मैथिलीसाहित्य (पटना, १९९८ ई.), ६.प्रेमचन्द चयनित कथा, भाग-१ आऽ २ (अनुवाद), ७.वाल्मीकिक देशमे (महनार,२००५ ई.)।
महेश्वरनाथ मल्लिक1938-
कुलानन्द मिश्र 1939-
कुलानन्द मिश्र(१९४०-२०००), जन्म पकड़ी कोठी, सीतामढ़ी,बिहार। सुविख्यात कवि,, संपादक,समालोचक। प्रकाशित कृति- तावत एतबे,भोरक प्रतीक्षामे (कविता संग्रह), भारतक भाषा सर्वेक्षण, पारो,राजकमल चौधरी की ग्यारह कहानियाँ(अनुवाद)। साहित्य अकादेमीसँ पुरस्कृत।
बिलट पासवान'विहंगम' 1940-
जन्म मधुबनी जिलाकएकहत्था ग्राममे १९४० ई.मे भेलन्हि।
प्रभास कुमार चौधरी1941-1998
गाम- पिंडारुछ, जिला-दरभंगा ।प्रख्यात कथाकार ओ उपन्यासकार । प्रभासक कथा (कथा-संग्रह) लेल साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित । प्रकाशित कृति : कथा-प्रभास, प्रभासक कथा, नव घर उठय पुरान घर खसय, दिदवल (कथासंग्रह), अभिशप्त, युगपुरुष, हमरा लग रहब, नवारम्भ, राजा पोखरिमे कतेक मछरी (उपन्यास) । विभिन्न महत्वपूर्ण पत्रिकाक सम्पादन । त्रैमासिककथा गोष्ठी 'सगर रातिदीप जरय' केर प्रारम्भ।
साकेतानन्द 1941-
वरिष्ठ कथाकार, गणनायक (कथा-संग्रह) लेल साहित्य अकादेमी पुरस्कारसँ सम्मानित। प्रकाशित कृति: गणनायक (कथासंग्रह), सर्वस्वांत (उपन्यास)।
गंगेश गुंजन 1942-
जन्म स्थान- पिलखबाड़,मधुबनी।श्री गंगेश गुंजनमैथिलीक प्रथम चौबटियानाटक बुधिबधियाकलेखक छथि आऽ हिनकाउचितवक्ता (कथा संग्रह) कलेल साहित्य अकादमीपुरस्कार भेटल छन्हि।एकर अतिरिक्त्त मैथिलीमेहम एकटा मिथ्या परिचय,लोक सुनू (कविता संग्रह),अन्हार- इजोत (कथासंग्रह), पहिल लोक(उपन्यास), आइ भोर(नाटक)प्रकाशित।हिन्दीमे मिथिलांचल कीलोक कथाएँ, मणिपद्मकनैका- बनिजाराकमैथिलीसँ हिन्दी अनुवादआऽ शब्द तैयार है (कवितासंग्रह)।
प्रेमशंकर सिंह 1942-
ग्राम+पोस्ट- जोगियारा,थाना- जाले, जिला-दरभंगा।मौलिक मैथिली:१.मैथिली नाटक ओरंगमंच,मैथिली अकादमी,पटना, १९७८ २.मैथिलीनाटक परिचय, मैथिलीअकादमी, पटना, १९८१३.पुरुषार्थ ओ विद्यापति,ऋचा प्रकाशन, भागलपुर,१९८६ ४.मिथिलाक विभूतिजीवन झा, मैथिलीअकादमी, पटना,१९८७५.नाट्यान्वाचय,शेखर प्रकाशन, पटना२००२ ६.आधुनिक मैथिलीसाहित्यमे हास्य-व्यंग्य,मैथिली अकादमी, पटना,२००४ ७.प्रपाणिका,कर्णगोष्ठी, कोलकाता२००५, ८.ईक्षण, ऋचाप्रकाशन भागलपुर २००८९.युगसंधिक प्रतिमान,ऋचा प्रकाशन, भागलपुर२००८ १०.चेतना समितिओ नाट्यमंच, चेतनासमिति, पटना २००८
मार्कण्डेय प्रवासी 1942-
जन्म ग्राम: गरुआर, जिला: समस्तीपुर । प्रकाशित कृति: अगस्त्यायिनी (महाकाव्य); एतदर्थ (कविता संग्रह), अक्षर चेतना (काव्य संग्रह)। अभियान, हम कालिदास (उपन्यास)। ’अगस्त्यायिनी’ लेल । १९८१मे साहित्य अकादेमी पुरस्कार प्राप्त।
मोहन भारद्वाज1943-
गाम- नवानी, जिला-मधुबनी । मैथिलीक प्रखरसमालोचक, प्रबोधसम्मान 2008 सँसम्मानित
भीमनाथ झा 1945-
जन्म:कोइलख, मधुबनी, बिहार । प्रखर कवि, समालोचक, प्राध्यापक ।’विविधा’पुस्तक लेल सन् १९९२मे सहित्य अकादेमी पुरस्कारसँ सम्मानित । प्रकाशित कृति: त्रिधारा, वीणा, की फुरैए की नहि, नाम तँ थिक ओएह (कविता संकलन), परिचायिका, सीताराम झा, कवि चूड़ामणिक काव्य साधना, विविधा (निबंध, आलोचना) आदि ।
महेन्द्र मलंगिया1946-
गाम- मलंगिया, जिला-मधुबनी । मैथिलीकसुपरिचित नाटककार, रंगनिर्देशक एवं मैलोरंगकसंस्थापक अध्यक्ष । लोकसाहित्य पर गंभीर शोधआलेख । मैथिलीमे 13टानाटक, 19टा एकांकी, 14टा नुक्कड़ आ 10टारेडियो नाटक प्रकाशित आआकाशवाणी सँ प्रसारित ।सीनियर फेलोशिप (भारतसरकार), इंटरनेशनलथिएटर इंस्टिच्यूट(नेपाल), प्रबोध साहित्यसम्मान आदि सँसम्मानित । संप्रतिज्योतिरीश्वर लिखितमैथिलीक प्रथम पुस्तकवर्णरत्नाकर पर शोध कार्य। श्री महेन्द्र मलगियाकजन्म २० जनबरी १९४६ मेमधुबनी जिलाक मलंगियागाममे भेलन्हि।मलंगियाजी मैथिलीहिन्दी, अंग्रेजी आ नेपालीभाषाक जानकार आथियेटर शिक्षण, पटकथालेखन आ तत्सम्बन्धीशोधक फ्रीलान्स शिक्षकछथि।प्रबोध सम्मान 2005सँ सम्मानित।
डॉ रामदयाल राकेश,सर्लाही, नेपाल1942-
मैथिली मातृभाषा, हिन्दीक प्राध्यापक आ नेपालीक लेखक ई तीनू भाषा ’राकेश’क व्यक्तित्वमे एना ने मिझराएल छैक जे कोनहुसँ हिनका भिन्न नहि कएल जा सकैत अछि । ई विशेषत: नेपालीमे लिखैत छथि, मुदा लेखनक विषय मूलत: मैथिलीए संस्कृति रहैत छनि । ओना मैथिली, हिन्दी आ अग्ङरेजीमे सेहो ई अनेक रचना कएने छथि ।नेपालक राजकीय-प्रज्ञा-प्रतिष्ठानक सदस्य ’राकेश’ दिल्ली विश्वविद्यालयसँ पीएचडी आ अमेरिकास्थित इण्डियाना यूनिभर्सिटीसँ पोस्ट डाक्टरल रिसर्च कएने छथि । डा. ’राकेश’क जन्म २५ जुलाइ १९४२ ई. कऽ सर्लाही जिलाक सिसौटियामे भेल छनि । नेपाली, मैथिली, हिन्दी आ अग्ङरेजीमे मौलिक, सम्पादित आ अनूदित कऽ करीब दू दर्जन पोथी प्रकाशित ,दर्जनभरि देशक भ्रमण सेहो कएने छथि ।
उपेन्द्र दोषी 1943-2001
जन्म स्थान रामपुर-कोरिगामा, दरभंगा । कवि-कथाकार, गीत-गजलकार । प्रकाशित कृति: यंत्रणाक क्षणमे (कविता संग्रह)। हिन्दीमे अनेक पोथी प्रकाशित। ओड़ियासँ मैथिली अनुवाद हेतु मृत्युपरान्त साहित्य अकादेमीसँ पुरस्कृत।
उदयचन्द्र झा"विनोद" 1943-
गाम- रहिका, मधुबनी ।जन्म-ग्राम- दुलहा, मधुबनी । प्रकाशित कृति: संक्रान्ति, मौसम अयला पर, एहना स्थितिमे, भरि देह गौरा (कविता-संग्रह), धूरी (सहयोगी कविता संग्रह); जांत (कथा संग्रह) ’माटि पानि’क वरेण्य सम्पादक।
रेवती रमण लाल,जनकपुर 1943-
मंत्रेश्वर झा 1944-
जन्म ६ जनवरी १९४४ई.ग्राम-लालगंज,जिला-मधुबनीमे।प्रकाशित कृति: खाधि,अन्चिनहार गाम, बहसलरातिक इजोत (कवितासंग्रह); एक बटे दू (कथासंग्रह), ओझा लेखे गामबताह (ललित निबन्ध)।मैथिली कथा संग्रहकहिन्दी अनुवाद “कुंडली”नामसँ प्रकाशित। दिफूल्स पैराडाइज (अंग्रेजीमेललित निबन्ध), कतेकडारि पर (आत्मकथा)।
रत्नेश्वर मिश्र 1945-
अनुवादक, निबंधकार । प्रकाशन: तमिल साहित्यक इतिहास,भवभूति (दुनू अनुवाद)।
वीरेन्द्र मल्लिक 1945-
कवि, सम्पादक, समीक्षक । आखर, अगनिपत्रक सम्पादन ।
मोहनानन्द झा1955-
शैलेन्द्र आनन्द1955-
जन्म स्थान शिवनगर मधुबनी, दू टा समीक्षा, तीन टा कथा संग्रह, दू टा गीत-गजल संग्रह ओ चारि टा कथा-संग्रह प्रकाशित।
राज
महाराजाधिराज लक्ष्मीश्वर सिंह 1858-1898
महाराजाधिराज रमेश्वरसिंह 1860-1929
महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह 1907-1962
सर हरगोविन्द मिश्र,अलीगढ़ आ' कामेश्वरसिंह
बिनोदानन्द झा 1895-1971
ललित नारायण मिश्र1922-1975
कर्पूरी ठाकुर 1921-1988
चतुरानन मिश्र
गजेन्द्र नारायण चौधरी,पत्रकार 1929-2008
रमाकांत मिश्र
रमानाथ मिश्र"मिहिर"
हीरानन्द झा "शास्त्री"
पद्म नारायण झा"विरंचि" 1941-
जन्म- गाम खोजपुर,जिला-मधुबनीमे ।मिथिला मिहिरक प्रशस्तस्तंभकार । 1977 केर जनता आन्दोलनमे अग्रणी भूमिका, पार्टीक मुखपत्र "जनता"क सम्पादक। बादमे लोक दल (ब) मे हेमवतीनन्दन बहुगुणाक राजनीतिक सलाहकार।
दीनानाथ झा, पत्रकार
नरेन्द्र झा, पत्रकार
प्रेमशंकर झा, पत्रकार
सी.पी. झा, पत्रकार
शरदिन्दु चौधरी,पत्रकार
राधाकृष्ण चौधरी इतिहासकार 1921-1985
विजयकान्त मिश्र इतिहासकार 1927-1994
बिनोद बिहारी वर्मा1937-2003
द्विजेन्द्र नारायण झा,इतिहासकार
सुरेश्वर झा, राजनीतिविज्ञान
कुमार तारानन्द सिंह,संगीतज्ञ
संगीताचार्यरायबहादुरलक्ष्मीनारायण सिंह
रामचतुर मल्लिक ध्रुपदसंगीत 1905-1990
रामाश्रय झा 'रामरंग'अभिनव भातखण्डे1928-2009
जन्म ११ अगस्त १९२८ ई.तदनुसारभाद्र कृष्णपक्षएकादशी तिथिकेँ मधुबनीजिलान्तर्गत खजुरानामक गाममे भेलन्हि।अभिनव गीतांजलि,हुनकर उच्चकोटिक शास्त्ररचना अछि।मिथिलावासीश्री रामरंग रागतीरभुक्त्ति, राग वैदेहीभैरव, आऽ राग विद्यापतिकल्याण केर रचना सेहोकएने छथि आऽ मैथिलीभाषामे हिनकर खयाल’रंजयति इति रागः’ केरअनुरूप अछि।
अभयनारायण मल्लिक
पंडित परमानन्दचौधरी, संगीतज्ञ
मिथिलेश कुमार झा,तबला वादन
हृदयनारायण झा
लक्ष्मीकान्त झारिजर्व बैंक गवर्नर1913-1988
एन. एन. झा डिप्लोमेट
कामेन्द्रनाथ झा "अमल" 1938-
भाग्यनारायण झा 1941-
डॉ श्यामानन्द लाल दास
रामावतार यादव,मैथिली भाषिकी, नेपाल
महेन्द्र 1944-2009
जन्म मधुबनी जिलाक जमसम गाममे। प्रसिद्ध मैथिली गीतकार आ गायक।
रमाकांत राय "रमा"1947-2007
सुभाषचन्द्र यादव1948-
जन्म ०५ मार्च १९४८,मातृक दीवानगंज,सुपौलमे। पैतृक स्थान:बलबा-मेनाही, सुपौल-मधुबनी।घरदेखिया(मैथिली कथा-संग्रह),मैथिली अकादमी, पटना,१९८३, हाली (अंग्रेजीसँमैथिली अनुवाद), साहित्यअकादमी, नई दिल्ली,१९८८, बीछल कथा(हरिमोहन झाक कथाकचयन एवं भूमिका),साहित्य अकादमी, नईदिल्ली, १९९९, बिहाड़िआउ (बंगला सँ मैथिलीअनुवाद), किसुन संकल्पलोक, सुपौल, १९९५,भारत-विभाजन औरहिन्दी उपन्यास (हिन्दीआलोचना), बिहारराष्ट्रभाषा परिषद्, पटना,२००१, राजकमल चौधरीका सफर (हिन्दी जीवनी)सारांश प्रकाशन, नईदिल्ली, २००१, मैथिलीमेकरीब सत्तरि टा कथा,तीस टा समीक्षा आहिन्दी, बंगला तथा अंग्रेजीमे अनेक अनुवादप्रकाशित।
रोहिणी रमण झा 1950-
डॉ. कमलाकान्त भण्डारी 1952-
विनोद बिहारी लाल1953-
जन्म स्थान पचही, मधुबनी, बिहार ।चर्चित कथाकार । सयसँ ऊपर कथा प्रकाशित ।
अरविन्द ठाकुर 1954-
श्याम दरिहरे 1954-
जन्म स्थान बरहा, बेनीपट्टी मधुबनी, बिहार । कवि, कथाकार । प्रकाशित कृति : सरिसोमे भूत (कथा संग्रह) अनूदित कृति : कनिप्रिया (धर्मवीर भारती)
दिनेश कुमार झा
उग्रनारायण मिश्र"कनक"
देवनारायण यादव,निदेशक मिथिला शोधसंस्थान
अमरजी, एस. एन. दास,गोविन्द झा, ब्रजेन्द्रत्रिपाठी
डॉ. शम्भूनाथ चौधरी1920-2008
इन्द्रकांत झा
पंचानन मिश्र
प्रोफेसर गुरमैता
प्रोफेसर महेन्द्र 1947-
जन्म: भेलाही, सुपौल, बिहार । प्रसिद्ध कवि, कथाकार, आलोचक । वृत्ति: भू.ना.विश्वविद्यालयक स्नातकोत्तर केन्द्र, सहरसामे मैथिली विभागाध्यक्ष। प्रकाशित कृति साहित्य अकादेमीसँ प्राकाशित मोनोग्राफ शैलेन्द्र मोहन झा । सहयोगी संकलन-संकल्प ।’राजकमल जयन्ती प्रसंगक संपादन।
महेन्द्र नारायण सिंह"मगन"
विन्ध्यवासिनी देवीमैथिली लोकगीत1920-2006
कामेश्वरी देवी 1922-
अणिमा सिंह 1924-
समीक्षिका, अनुवादिका, सम्पादिका । प्रकाशन: मैथिली लोकगीत, वसवेश्वर (अनु.) आदि। लेडी ब्रेबोर्न कॉलेज, कलकत्तामे पूर्व प्राध्यापिका।
लिली रे 1933-
जन्म:२६ जनवरी, १९३३,पिता:भीमनाथ मिश्र,पति:डॉ. एच.एन्.रे, दुर्गागंज, मैथिलीक विशिष्ट कथाकार एवं उपन्यासकार । मरीचिका उपन्यासपर साहित्य अकादेमीक १९८२ ई. मे पुरस्कार । मैथिलीमे लगभग दू सय कथा आ पाँच टा उपन्यास प्रकाशित । विपुल बाल साहित्यक सृजन। अनेक भारतीय भाषामे कथाक अनुवाद-प्रकाशित। पहिल प्रबोधसम्मान 2004 सँसम्मानित।
चित्रलेखा देवी 1935-
मोहिनी झा 1937-
डॉ. सावित्री झा
कविता देवी 1942-
प्रमिला झा
शान्ति सुमन 1942-
जन्म 15 सितम्बर 1942, कासिमपुर, सहरसा, बिहार, प्रकाशित कृति, “ओ प्रतीक्षित, परछाई टूटती, सुलगते पसीने, पसीने के रिश्त, मौसम हुआ कबीर, समय चेतावनी नहीं देता, तप रेहे कचनार, भीतर-भीतर आग, मेघ इन्द्रनील (मैथिली गीत संग्रह), शोध प्रबंध: मध्यवर्गीय चेतना और हिन्दी का आधुनिक काव्य, उपन्यास: जल झुका हिरन। सम्मान: साहित्य सेवा सम्मान, कवि रत्न सम्मान, महादेवी वर्मा सम्मान। अध्यापन कार्य।
शेफालिका वर्मा 1943-
जन्म:९ अगस्त, १९४३,जन्म स्थान : बंगाली टोला, भागलपुर । शिक्षा:एम., पी-एच.डी. (पटना विश्वविद्यालय),सम्प्रति: ए. एन. कालेज मे हिन्दीक प्राध्यापिका ।प्रकाशित रचना:झहरैत नोर, बिजुकैत ठोर । नारी मनक ग्रन्थिकेँ खोलि:करुण रससँ भरल अधिकतर रचना। प्रकाशित कृति :विप्रलब्धा कविता संग्रह,स्मृति रेखा संस्मरण संग्रह,एकटा आकाश कथा संग्रह,यायावरी यात्रावृत्तान्त, भावाञ्जलि काव्यप्रगीत । ठहरे हुए पल हिन्दीसंग्रह ।
प्रभावती झा 1945-1999
स्व. इलारानी सिंह1945-1993
इलारानी सिंह: जन्म 1 जुलाई, 1945, निधन : 13 जून, 1993, पिता : प्रो. प्रबोध नारायण सिंह सम्पादिका : मिथिला दर्शन, विशेष अध्ययन : मैथिली, हिन्दी, बंगला, अंग्रेजी, भाषा विज्ञान एवं लोक साहित्य । प्रकाशित कृति : सलोमा (आस्कर वाइल्डक फ्रेंच नाटकक अनुवाद 1965), प्रेम एक कविता (1968) बंगला नाटकक अनुवाद, विषवृक्ष (1968) बंगला नाटकक अनुवाद, विन्दंती (1972), स्वरचित: मैथिली कविता संग्रह (1973), हिन्दी संग्रह।
उषाकिरण खान 1945-
जन्म:१४ अक्टूबर १९४५,कथा एवं उपन्यास लेखनमे प्रख्यात । मैथिली तथा हिन्दी दूनू भाषाक चर्चित लेखिका ।प्रकाशित कृति:अनुंत्तरित प्रश्न, दूर्वाक्षत, हसीना मंज़िल (उपन्यास), नाटक, उपन्यास ।
नीरजा रेणु 1945-
जन्म: ११ अक्टूबर १९४५,नाम: कामाख्या देवी,उपनाम:नीरजा रेणु,जन्म स्थान:नवटोल,सरिसबपाही ।शिक्षा: बी.ए. (आनर्स) एम.ए., पी-एच.डी.,गृहिणी ।प्रकाशित रचना : ओसकण (कविता मि.मि., १९६०) लेखन पर पारिवारिक, सांस्कृतिक परिवेशक प्रभाव । मैथिली कथा धारा साहित्य अकादेमी नई दिल्लीसँ स्वातन्त्र्योत्तर मैथिली कथाक पन्द्रह टा प्रतिनिधि कथाक सम्पादन ।सृजन धार पियासल कथा संग्रह,आगत क्षण ले कविता संग्रह,ऋतम्भरा कथा संग्रह,प्रतिच्छवि हिन्दी कथा संग्रह,१९६० सँ आइधरि सएसँ अधिक कथा, कविता, शोधनिबन्ध, ललितनिबन्ध,आदि अनेक पत्र-पत्रिका तथा अभिनन्दनग्रन्थमे प्रकाशित ।मैथिलीक अतिरिक्त किछु रचना हिन्दी तथा अंग्रेजीमे सेहो।
जस्टिस मृदुला मिश्र
सुशीला झा 1945-
आशा मिश्र 1950-
जन्म:६-७-१९५० ई.,प्रकाशित कथा मे मैथिकीक संग हिन्दी मे सेहो । सभसँ पैघ विजय मैथिली कथा संग्रह ।
डॉ. सुनीति झा
प्रेमलता मिश्र 'प्रेम' 1948-
जन्मस्थान:रहिका,माता:श्रीमती वृन्दा देवी,पिता:पं. दीनानाथ झा,शिक्षा:एम.ए., बी.एड.,प्रसिद्ध अभिनेत्री दू सयसँ बेशी नाटकमे भाग लेलनि ।भंगिमा (नाट्यमंच) क भूतपूर्व उपाध्यक्षा, पत्रिकाक सम्पादन, कथालेखन आदिमे कुशल । ’अरिपन’ आदि अनेक संस्था द्वारा पुरस्कृत-सम्मानित।
डॉ. इन्दिरा झा 1957
मेनका मल्लिक 1966-
शारदा सिन्हा मैथिलीलोकगीत 1953-
लालपरी देवी
नीता झा 1953-
जन्म : २१-०१-१९५३,व्यवसाय:प्राध्यापिका । लेखन पर समाजक परम्परा तथा आधुनिकताक संस्कार सँ होइत विसंगतिक प्रभाव।प्रकाशित कृति : फरिच्छ, कथा संग्रह १९८४, कथानवनीत १९९०,सामाजिक असन्तोष ओ मैथिली साहित्य शोध समीक्षा ।
शकुंतला चौधरी
राजेन्द्र प्रसाद सिंह, लिलीरे, शशिकान्ता चौधरी,गोविन्द झा, शिवशंकरश्रीनिवास
सीता देवी, मिथिला चित्रकला
सरस्वती चौधरी,जनकपुर
डॉ. अरुणा चौधरी
विभा रानी 1959-
मैथिली के 3 साहित्यअकादमी पुरस्कारविजेता लेखकक 4 गोटकिताब "कन्यादान" (हरिमोहन झा), "राजापोखरे में कितनीमछलियां" (प्रभास कुमारचाऊधरी), "बिल टेलर कीडायरी" व "पटाक्षेप" (लिली रे) हिन्दीमे अनूदितछन्हि।2 गोट लोककथाकपुस्तक "मिथिला की लोककथाएं" व "गोनू झा केकिस्से"। मैथिली कथासंग्रह "खोहसँ निकसैत"।
ज्योत्सना चन्द्रम1963-
जन्मतिथि: १५ दिसम्बर, १९६३,जन्मस्थान : मरूआरा, सिंधिया खुर्द, समस्तीपुर,पिता : श्री मार्कण्डेय प्रवासी,माता: श्रीमती सुशीला झा,अध्यापन ।सुपरिचित कवयित्री, कथाकार । प्रकाशित कृति: बोनसाई (कविता संग्रह), झिझिरकोना (कथासंग्रह)।
वन्दना झा
सुस्मिता पाठक 1962-
जन्म: सुपौल, बिहार । परिचिति कविता संग्रह प्रकाशित । कथावाचक, कथासंग्रह प्रकाशनाधीन । राजनीति शास्त्रमे एम.ए.। संगीत, पेंटिंगमे रुचि । मैथिलीक पोथी पत्रिका पर अनेक रेखाचित्र प्रकाशित । समकालीन जीवन, समय, आ तकर स्पंदनक कवयित्री । अनेक भाषामे रचनाक अनुवाद प्रकाशित।
गोदावरी दत्ता,मिथिला चित्रकला
उर्मिला देवी,मिथिला चित्रकला
यमुना देवी, मिथिला चित्रकला
यशोदा देवी, मिथिला चित्रकला
रमा झा, सम्पादकमिथिला दर्पण
राधिका झा अंग्रेजी लेखिका
स्वयंप्रभा झा 1970-
युवा रचनाकार
रूपा धीरू 1973-
रूपा धीरू- जन्मस्थान-मयनाकडेरी,सप्तरी, श्रीमती पूनम झा आ श्री अरूणकुमार झाक पुत्री।स्थायी पता- अञ्चल- सगरमाथा, जिल्ला- सिरहा। प्रथम प्रकाशित रचना-कोइली कानए,माटिसँ सिनेह(कविता),भगता बेङक देश-भ्रमण (कनक दीक्षितक पुस्तकक धीरेन्द्र प्रेमर्षिसँग मैथिलीमे सहअनुवाद,सङ्गीतसम्बन्धी कृति- राष्ट्रियगान, भोर,नेहक वएन, चेतना,प्रियतम हमर कमौआ(पहिल मैथिली सीडी), प्रेम भेल तरघुस्कीमे, सुरक्षित मातृत्व गीतमाला, सुखक सनेस। सम्पादन-पल्लव,मैथिली साहित्यिक मासिक पत्रिका, सम्पादन-सहयोग,हमर मैथिली पोथी(कक्षा १, २, ३, ४ आ ५ आ कक्षा 9-10 क ऐच्छिक मैथिली विषय पाठ्यपुस्तकक भाषा सम्पादन), पल्लवमिथिला,प्रथम मैथिली इन्टरनेट पत्रिका,वि.सं. २०५९ माघ(साहित्यिक), सम्पादन-सहयोग।
रंजना झा, विद्यापतिसंगीत गायिका
रश्मि रानी, गायिका,जनकपुर
कामिनी कामायनी
मुन्नी झा युवा रचनाकार
कामिनी 1978- युवा कवियित्री
सविता
जनक किशोर लाल दास
कृष्णचन्द्र झा "मयंक"
लक्ष्मण झा "सागर"1953-
रघुवीर मोची
शारदानन्द दास"परिमल"
शशिबोध मिश्र "शशि"1946-
सुरेन्द्रनाथ
अमरनाथ
बच्चा ठाकुर
बुद्धिनाथ मिश्र
टोक्यो हासेगावा, निदेशकमिथिला म्यूजियम,निगाटा
राजाराम सिंह राठौर,धनुषा
वैद्यनाथ विमल 1955-
डॉ वासुकीनाथ झा1940-
जितेन्द्र मिश्र "जीवन"
वीरेन्द्र नारायण झा
वीरेन्द्र झा 1956-
बैकुण्ठ झा 1954-
श्री बैकुण्ठ झा,पिता-स्वर्गीयरामचन्द्र झा, जन्म-२४ - ०७ -१९५४ (ग्राम-भरवाड़ा,जिला-दरभंगा),शिक्षा-स्नात्कोत्तर(अर्थशास्त्र),पेशा- शिक्षक। मैथिली,हिन्दी तथा अंग्रेजी भाषा मेलगभग २०० गीत कऽ रचना।गोनू झा पर आधारित नाटक''हास्यशिरोमणि गोनू झा तथाअन्य कहानी कऽ लेखन। अहि केअलावा हिन्दी मे लगभग १५उपन्यास तथा कहानी के लेखन।
विद्यानन्द झा'पञ्जीकार' 1957-
जन्म-09.04.1957,पण्डुआ,ततैल, ककरौड़(मधुबनी),रशाढ़य(पूर्णिया),शिवनगर (अररिया) आ’सम्प्रति पूर्णिया। पितालब्ध धौत पञ्जीशास्त्रमार्त्तण्ड पञ्जीकारमोदानन्द झा, शिवनगर,अररिया,पूर्णिया|पितामह-स्व. श्रीभिखिया झा।पञ्जीशास्त्रक दस वर्ष धरि1970 ई.सँ 1979 ई. धरिअध्ययन,32 वर्षक वयससँपञ्जी-प्रबंधक संवर्द्धन आऽसंरक्षणमे संलग्न। कृति-पञ्जी शाखा पुस्तककलिप्यांतरण आऽ संवर्द्धन।
महेन्द्र नारायण कर्ण
डॉ. विश्वेश्वर मिश्र
रमानन्द झा 'रमण'
कमल कांत झा 1943-
महाप्रकाश 1946-
जन्म: बनगांव, सहरसा, बिहार । वरिष्ट कवि ओ कथाकार। प्रकाशित कृति: कविता संभवा,संग समय के (कविता संग्रह)।
छत्रानन्द सिंह झा 1946-
अयोध्यानाथ चौधरी,धनुषा, नेपाल 1947-
मूलत: कविक रूपमे परिचित छथि । नेपालक आधुनिक कविताक क्षेत्रमे हिनक नाम उल्लेखनीय अछि । श्री चौधरीक लेखनमे मानवीय संवेदनाक प्रतिबिम्ब पाओल जाइत अछि । कविताक संग कथा आ निबन्धमे सेहो ई कलम चलबैत छथि । फड़िछाएल लेखन हिनक विशेषता थिकनि ।धनुषा जिलाक दुहबी गामक रहनिहार श्री चौधरीक जन्म ६अक्टुबर १९४७कऽ भेल छनि । हिनक क्षितिजक ओहिपार नामसँ एक कविता-सग्ङप्रह प्रकाशित छनि ।
विद्यानाथ झा 'विदित'
सियाराम झा "सरस" 1948-
जन्म स्थान मेंहथ, मधुबनी बिहार । प्रसिद्ध गीतकार, बादमे कथा लेखन प्रारम्भ केलनि । प्रकाशित कृति आंजुर भरि सिंगरहार, शोणिताएल उगैत सूर्यक धम्मक (कथा संग्रह)।
अग्निपुष्प 1948-
जन्म: तरौनी, दरभंगा। मूलनाम : महेन्द्र झा । मैथिलीमे सहस्त्रबाहु कविता संग्रह प्रकाशित । मुक्ति प्रसंगक अनुवाद प्रकाशित । वामपंथी आन्दोलनमे सक्रिय। शिक्षा, सम्वाद आदि पत्रिकाक सम्पादन । वामपंथी विचारधाराक सशक्त कवि।
रामलोचन ठाकुर 1949-
श्री रामलचन ठाकुर, जन्म१८ मार्च १९४९ई.पलिमोहन, मधुबनीमे।वरिष्ठ कवि, रंगकर्मी,सम्पादक, समीक्षक।भाषाई आन्दोलनमे सक्रियभागीदारी। प्रकाशितकृति- इतिहासहन्ता,माटिपानिक गीत, देशकनाम छल सोन चिड़ैया,अपूर्वा (कविता संग्रह),बेताल कथा (व्यंग्य),मैथिली लोक कथा(लोककथा), प्रतिध्वनि(अनुदित कविता), जा सकैछी, किन्तु किएजाउ(अनुदित कविता),लाख प्रश्न अनुत्तरित(कविता), जादूगर(अनुवाद), स्मृतिकधोखरल रंग(संस्मरणात्मक निबन्ध),आंखि मुनने: आंखि खोलने(निबन्ध)।
मधुकांत झा 1949-
डॉ. रामबरन यादव,नेपाल राष्ट्रपति
राजेन्द्र विमल,जनकपुर, नेपाल1949-
राजेन्द्र विमल (1949- )।मैथिली, नेपाली आ हिन्दीभाषाक प्राज्ञ विमलशिक्षाक हकमेविद्यावारिधि(पी.एच.डी.)क उपाधि प्राप्तकएने छथि।कम्मोलिखिकऽ यथेष्ट यशअरजनिहार डा. विमलकलेखनीक प्रशंसा मैथिलीकसङ्गसङ्ग नेपाली आहिन्दी साहित्यमे सेहोहोइत रहलनि अछि।त्रिभुवनविश्वविद्यालयअन्तर्गतरा.रा.ब. कैम्पस,जनकपुरधाममे प्राध्यापनकएनिहार डा. विमलकपूर्ण नाम राजेन्द्र लाभछियनि। हिनक जन्म २६जुलाई १९४९ ई. कऽ भेलअछि। साहित्यकारक नवपीढ़ीकेँ निरन्तर उत्प्रेरितकरबाक कारणे ईडा.धीरेन्द्रक बादजनकपुर-परिसरकसाहित्यिक गुरुक रूपमेस्थापित भऽ गेल छथि।
हरेकृष्ण झा 1950-
जन्म १० जुलाई १९५० ई.गाम- कोइलखमे।अभियंत्रणक अध्ययणछोड़ि मार्क्सवादीराजनीतिमे सक्रिय।अनेक कविता आआलोचनात्मक निबन्धप्रकाशित। अनुवाद एवंविकास विषयक शोधकार्यमे रुचि। स्वतंत्रलेखन। प्रकृति एवंजीवनक तादात्म्य बोधकअग्रणी कवि। "एना त’ नहि जे" (कविता संग्रह)।
एस.एन.सत्यार्थी
महेन्द्र हजारी
उदय नारायण सिंहनचिकेता 1951-
जन्म-१९५१ ई. कलकत्तामे।पहिल काव्य संग्रह ‘कवयोवदन्ति’। १९७१ ‘अमृतस्यपुत्राः’ (कविता संकलन) आऽ‘नायकक नाम जीवन’(नाटक)| १९७४ मे ‘एक छलराजा’/ ’नाटकक लेल’(नाटक)। १९७६-७७‘प्रत्यावर्त्तन’/ ’रामलीला’(नाटक)। १९७८मेजनक आऽ अन्य एकांकी।१९८१‘अनुत्तरण’(कविता-संकलन)।१९८८ ‘प्रियंवदा’ (नाटिका)।१९९७-‘रवीन्द्रनाथकबाल-साहित्य’(अनुवाद)।१९९८ ‘अनुकृति’- आधुनिकमैथिली कविताक बंगलामेअनुवाद, संगहि बंगलामेदूटा कविता संकलन। १९९९‘अश्रु ओ परिहास’। २००२‘खाम खेयाली’। २००६मे‘मध्यमपुरुषएकवचन’(कविता संग्रह।२००८ ई. मे नाटक "नोएण्ट्री: मा प्रविश" सम्पूर्णरूपेँ "विदेह" ई- पत्रिकामेधारावाहिक रूपेँ ई-प्रकाशितभए एकटा कीर्तिमानबनेलक।
अशोक अविचल
रविकांत नीरज
सत्यानन्द पाठक
शिव कुमार नीरव
विद्यानाथ झा
योगीराज
कुणाल 1951-
राम भरोस कापड़िभ्रमर, धनुषा, नेपाल1951-
जन्म-बघचौरा, जिलाधनुषा (नेपाल)।बन्नकोठरी: औनाइत धुँआ(कविता संग्रह), नहि, आबनहि (दीर्घ कविता), तोरासंगे जएबौ रे कुजबा (कथासंग्रह, मैथिली अकादमीपटना, १९८४), मोमकपघलैत अधर (गीत, गजलसंग्रह, १९८३), अप्पनअनचिन्हार (कवितासंग्रह, १९९० ई.), रानीचन्द्रावती (नाटक), एकटाआओर बसन्त (नाटक),महिषासुर मुर्दाबाद एवंअन्य नाटक (नाटकसंग्रह), अन्ततः(कथा-संग्रह), मैथिलीसंस्कृति बीच रमाउंदा(सांस्कृतिक निबन्ध सभकसंग्रह), बिसरल-बिसरलसन (कविता-संग्रह),जनकपुर लोक चित्र(मिथिला पेंटिङ्गस), लोकनाट्य: जट-जटिन(अनुसन्धान)।
धीरेन्द्रनाथ मिश्र
शिवेन्द्रलाल कर्ण,धनुषा, नेपाल 1951-
लेखकसँ अधिक शिक्षकक रूपमे परिचित आ प्रतिष्ठित छथि । त्रिभुवन विश्वविद्यालयअन्तर्गतरा. रा. ब. कैम्पस, जनकपुर-धामक सह-प्राध्यापक श्री कर्णक ऐतिहासिक विषय-वस्तुपर लिखल कतोक लेख मैथिली, हिन्दी आ अग्ङरेजी भाषामे प्रकाशित अछि । स्वान्त-सुखाय ई कहियो कालकऽ कविता-कथा सेहो लिखि लैत छथि । हिनक लेखन ज्ञानवर्द्धक, जानकारीमूलक एवं सोझारएल रहैत अछि । देखलापर बुझना जाइत अछि जे ई हिनक गम्भीर अध्ययनक परिणति थिक ।सामाजिक तथा साहित्यिक सङ्घ-संस्थासभमे सेहो सक्रिय प्राध्यापक कर्णक जन्म धनुषा जिलाक देवडीहा गाममे २ जनवरी १९५१ ई. कऽ भेल छनि ।
शैलेन्द्र कुमार झा 1952-
जन्म स्थान हरिपुर,वकशी टोल, मधुबनी बिहार। प्रकाशित कृति: आरोह अवरोह, दशम खुट्टी (कथा संग्रह), इकोनोमिक हिस्ट्री ऑफ मिथिला (अंग्रेजी) ।
शिवशंकर श्रीनिवास1953-
जन्म स्थान लोहनामधुबनी, बिहार । चर्चित कथाकार ओ आलोचक । गीत ओ कविता सेहो कहियो काल लिखैत छथि । प्रकाशित कृति : त्रिकोण, अदहन, गाछ-पात, गामक लोक (कथा संग्रह)।
अशोक 1953-
जन्म स्थान लोहना, मधुबनी, बिहार। चर्चितकथाकार, कवि ओसम्पादक । प्रकाशित कृति : चक्रव्यूह (कविता संग्रह) त्रिकोण (सहयोगी कथा संग्रह), ओहि रातिक भोर (कथा-संग्रह), मातवर (कथा संग्रह)।
विभूति आनन्द 1953-
जन्म: शिवनगर, मधुबनी, बिहार। चर्चित कवि, कथाकार, संपादक । प्रकाशित कृति टूटा उपन्यास टूटा समीक्षा, तीन टा कथ संग्रह, टूटा गीत-गजल संग्रह ओ चारिटा कथा-संग्रह प्रकाशित।
डॉ. शशिनाथ झा1954-
गाम-दीप, जिला-मधुबनी। मैथिली, बांग्ला,नेवारी आ देवनागरीपांडुलिपिक विशेषज्ञ।
मानस बिहारी वर्मा,वैज्ञानिक
राजनन्द झा
आद्यानाथ झा"नवीन"
अमलतास 1956-
डॉ. बैद्यनाथ चौधरी"बैजू"
यंत्रनाथ मिश्र
दिगम्बर ठाकुर
गणेश झा 1950-
स्व. जनार्दन प्रसादझा 'द्विज'
कन्दर्पनारायण लालकर्ण
कीर्तिनाथ झा 1955-
लल्लन प्रसाद ठाकुर
डॉ. कमलानन्द झा
लोकनाथ मिश्र
डॉ. रवीन्द्र कुमारचौधरी
जितेन्द्र जीत
सुकांत सोम 1950-
जन्म दरभंगा जिलाक तरौनी गाममे 1950 ई. मे भेलन्हि । बी. ए. पास कए ई पटनाक दैनिक ‘जनशक्ति’क सहायक सम्पादक छलाह । फेर नव भारत टाइम्स, पटनामे।बाल्यवस्थासँ अपन पैतृक (पिता यात्नीजी) गुण कविता करबाक तथा कथा लिखबामे सेहो यश अर्जन कएलन्हि अछि । वर्त्तमान राजनीति सामाजिक विषयसँ सम्बद्ध व्यंग्यात्मक, सरल भाषामे लिखल नव कविता हिनक विशेषता छन्हि । गामघरक परिवेश तदनुकूल शब्द एवं बिम्ब रचनामे क्रमहि सिद्ध छथि ।
सुशील 1942-
विश्वनाथ झा"विषपायी"
ताराकान्त झा मैथिलीभाषिकी (सम्पादकमैथिली दैनिक मिथिलासमाद)
योगानन्द झा 1955-
पशुपतिनाथ झा,महोत्तरी, नेपाल1954-
हिनक लेखन विवरणात्मक होइत अछि आ सम्बद्ध विषयमे नीकजकॉ जानकारी दैत अछि । विभिन्न पत्र-पत्रिकामे हिनक लेख-रचना बरोबरि देखबामे अबैत रहैछ ।रा.रा.ब. कैम्पस, जनकपुरधाममे मैथिली विषयक प्राध्यापनमे संलग्न श्री झा मैथिलीसम्बन्धी सग्ङठनात्मक गतिविधिसँ सेहो जुड़ल छथि । मैथिली भाषाक लोपोन्मुख अवस्थामे रहल अपन लिपि तिरहुतामे विशेषज्ञता रखनिहार श्री झा एकर संरक्षण-सम्बर्द्धनक दिशामे सेहो क्रियाशील छथि ।प्रध्यापक झा मैथिली महाकाव्यमे रस निरूपण विषयपर विद्यावारिधि कएने छथि आ शिक्षा तथा कानून विषयमे सेहो स्नातक छथि । महोत्तरी जिलाक एकरहिया रहनिहार श्री झाक जन्म ४ दिसम्बर १९५४ कऽ भेलछनि ।
अनिलचन्द्र ठाकुर 1954-2009
वृखेश चन्द्र लाल,नेपाल 1955-
जन्म 29 मार्च 1955 ई. केँभेलन्हि। पिताः स्व.उदितनारायणलाल,माताः श्रीमतीभुवनेश्वरी देव। हिनकरछठिहारक नाम विश्वेश्वरछन्हि। मूलतःराजनीतिककर्मी ।नेपालमे लोकतन्त्रलेलनिरन्तर संघर्षक क्रममे१७ बेर गिरफ्तार ।लगभग ८ वर्ष जेल ।सम्प्रति तराई–मधेशलोकतान्त्रिक पार्टीकराष्ट«ीय उपाध्यक्ष ।मैथिलीमे किछु कथाविभिन्न पत्रपत्रिकामेप्रकाशित । आन्दोलनकविता संग्रह आ बी.पींकोइरालाक प्रसिद्ध लघुउपन्यास मोदिआइनकमैथिली रुपान्तरण तथानेपालीमे संघीयशासनतिर नामक पुस्तकप्रकाशित । ओ विश्वेश्वरप्रसाद कोइरालाक प्रतिबद्धराजनीति अनुयायी आनेपालक प्रजातांत्रिकआन्दोलनक सक्रिय योद्धाछथि। नेपालीराजनीतिपर बरोबरिलिखैत रहैत छथि।
नारायणजी 1956-
जन्म: घोघरडीहा(मधुबनी)। मैथिली भाषा-साहित्यमे एम. ए., पी-एच. डी. कामेश्वर लता संस्कृत विद्यालय, घोघरडीहामे अध्यापन । प्रकाशित कृति: ’घरि घुरि रहल छी’ (काव्य-संग्रह)।
केदार कानन 1959-
जन्म स्थान सुपौल, बिहार। चर्चित कवि, कथाकार ओ संपादक। प्रकाशित कृति : आकार लैत शब्द (कविता संग्रह), अनूदित कृति राजा राम मोहन राय, प्रायश्चित। सम्पादन संकल्प, भारती मंडन (पत्रिका)।
भक्तीश्वर झा "सारथी"
डॉ. श्री श्रीशंकर झा1952-
जगदीपनारायण"दीपक"
शिवप्रसाद यादव
हीरेन्द्र कुमार झा 1958-
मानेश्वर मनुज 1958-
जन्म गम्हरिया (मानपौर,मधुबनी)मे, 1978सँ 1992धरि नौसेनामे विभिन्न जहाजपर कार्यरत, फेर यात्री रेलमे। सम्बन्ध(कथा संग्रह) प्रकाशित।
नबोनाथ झा
महेन्द्र नारायण राम1958-
सम्पादन-“नव ज्योति”पत्रिका, “लोकशक्ति”सामाजिक मुख-पत्रक।लोकवृत्त ताहूमेलोकगाथाक अध्येता।
तारानन्द वियोगी1966-
महिषी, सहरसामे जन्म।पहिल पोथी अपन युद्धकसाक्ष्य (गजल संग्रह) १९९१मे प्रकाशित। अन्य पुस्तकहस्तक्षेप (कविता-संग्रह),अतिक्रमण (कथा-संग्रह),शिलालेख(लघुकथा संग्रह),कर्मधारय।राजकमलचौधरीक कथाकृति एकटाचंपाकली एकटा विषधरसंकलन-सपायदन।
भालचन्द्र झा
मैथिलीक अतिरिक्तहिन्दी, मराठी, अग्रेजीआऽ गुजरातीमे निष्णात।१९७४ ई.सँ मराठी आऽहिन्दी थिएटरमे निदेशक।बीछल बेरायल मराठीएकांकीक मैथिलीअनुवाद।
कुमार शैलेन्द्र
रमेश 1961-
जन्म स्थान मेंहथ, मधुबनी, बिहार। चर्चित कथाकार ओ कवि । प्रकाशित कृति: समांग, समानांतर (कथा संग्रह), नागफेनी (गजल संग्रह), संगोर, समवेत स्वरक आगू, कोसी धारक सभ्यता, पाथर पर दूभि (काव्य संग्रह), प्रतिक्रिया (आलोचनात्मक निबंध)।
मेघन प्रसाद 1961-
प्रदीप बिहारी 1963-
जन्म स्थान कन्हौली मल्लिक टोल, खजौली, मधुबनी, बिहार। चर्चित कथाकार, उपन्यासकार ओ रंगकर्मी । प्रकाशित कृति: गुमकी ओ बिहाड़ि, विसूवियस (उपन्यास), औतीह कमला जयतीह कमला, खण्ड-खण्ड जिनगी, सरोकार (कथा संग्रह)।
चन्देश्वर पर्वा, नेपाल
रोशन जनकपुरी, नेपाल
डॉ. अरविन्द अक्कू1957-
फूलचन्द्र झा "प्रवीण"1961-
गाम तुमौल दरभंगा,आयल नवल प्रभात, पांगल गाछक छाहरि, हमरा मोनक खजन चिड़ैया,बसंतक बजनिञा (कविता संग्रह), भूत होइत भविष्य़(कथा संग्रह)।
देवशंकर नवीन 1962-
ओ ना मा सी (गद्य-पद्यमिश्रित हिन्दी-मैथिलीकप्रारम्भिक सर्जना),चानन-काजर (मैथिलीकविता संग्रह), आधुनिक(मैथिली) साहित्यकपरिदृश्य, गीतिकाव्य केरूप में विद्यापति पदावली,राजकमल चौधरी कारचनाकर्म (आलोचना),जमाना बदल गया, सोनाबाबू का यार, पहचान(हिन्दी कहानी), अभिधा(हिन्दी कविता-संग्रह),हाथी चलए बजार(कथा-संग्रह)।
मंजर सुलेमान
विद्यानन्द झा 1965-
बुद्धपूर्णिमा, १९६५कें कैथिनियाँ, झंझारपुर मुधुबनीमे जन्म। पराती जकाँ (कविता संग्रह) प्रकाशित । मूलतः कवि, थोड़ कथा लिखलनि, जे अपन मार्मिक अभिव्यक्तिक कारण बेस चर्चित भेल । विडम्बनापूर्ण परिस्थितिक पाछू जिम्मेवार समाजार्थिक कारणक खोज हिनकर मूल सृजन प्रेरणा थिक ।
किशोर कुमार झा"सिक्किन"
लाला पंडित,मिथिला मूर्तिकला
राजेन्द्र पंडित,मिथिला मूर्तिकला
बटोही झा, मिथिला चित्रकला
उदितनारायण फिल्म गायक
राजकमल झा अंग्रेजी लेखक पत्रकार
प्रकाश झा फिल्म निर्देशक
मनीष झा फिल्म निर्देशक
संजय झा फिल्मनिर्माता
कीर्ति आजाद क्रिकेट
श्रीराम झा शतरंज
अभिषेक झा गोल्फ
कुमार मनीष अरविन्द1964-
परमानन्द झा 'प्रभाकर'
मधुकर भारद्वाज
रमेश रंजन, परवाहा,नेपाल 1966-
परवाहा, नेपालमे जन्म । नेपालीय कथा-जगतक नवीन मुदा सम्मानित नाम । जनपक्षधर कथा-दृष्टि आ मोहक शिल्प । थोड़ लिखलनि, मुदा बेर-बेर चर्चित रहलाह ।
धीरेन्द्र प्रेमर्षि,सिरहा, नेपाल1967-
वि.सं.२०२४ साल भादब१८ गते सिरहा जिलाकगोविन्दपुर-१, बस्तीपुरगाममे जन्म लेनिहारप्रेमर्षिक पूर्ण नाम धीरेन्द्रझा छियनि।कान्तिपुरसँहेल्लो मिथिला कार्यक्रमप्रस्तुत कर्ता जोड़ीरूपा-धीरेन्द्रक धीरेन्द्रकअबाज गामकबच्चा-बच्चा चिन्हैतअछि। “पल्लव” मैथिलीसाहित्यिक पत्रिका आ“समाज” मैथिलीसामाजिक पत्रिकाकसम्पादन।
अमलेन्दु शेखरपाठक
श्याम सुन्दर शशि,नेपाल
श्याम सुन्दर शशि,जनकपुरधाम, नेपाल।पेशा-पत्रकारिता। शिक्षा:त्रिभुवनविश्वविद्यालयसँ,एम.ए.मैथिली, प्रथम श्रेणीमेप्रथम स्थान। मैथिलीकप्रायः सभ विधामेरचनारत। बहुत रासरचना विभिन्नपत्र-पत्रिकामे प्रकाशित।हिन्दी, नेपाली आऽअंग्रेजी भाषामे सेहोरचनारत आऽ बहुतरासरचना प्रकाशित। सम्प्रति-कान्तिपुर प्रवासक अरबब्यूरोमे कार्यरत।
हिमांशु चौधरी, नेपाल
पिता : स्वर्गीय कामेश्र्वरचौधरी,माताः श्रीमतीचन्द्रावती चौधरी,जन्मःवि स २०२०/६/५ लहान,सिरहा,शिक्षाःस्नातकोत्तर(नेपाली),पेशाःपत्रकारिता (सम्प्रति :राष्ट्रिय समाचार समिति),कृति : की भार सांठू ? (मैथिली कविता संग्रह),विगत दू दशकसं नेपालीआ मैथिली लेखन तथाअभियानमे निरन्तरक्रियाशील आ विभिन्नसंघ संस्थासं आबद्ध ।
सत्यनारायण मेहता
कृष्ण मोहन झा1968-
जन्म मधेपुरा जिलाकजीतपुर गाममे।“विजयदेव नारायण साहीकी काव्यानुभूति कीबनावट” विषयपरजे.एन.यू. सँ एम.फिल आओतहिसँ “निर्मल वर्मा केकथा साहित्य में प्रेम कीपरिकल्पना” विषयपरपी.एच.डी.। हिन्दीमेएकटा कविता सँग्रह“समय को चीरकर” आमैथिलीमे “एकटा हेरायलदुनिया” प्रकाशित। हिन्दीकविता लेल “कन्हैयास्मृति सम्मान”(1998) आ“हेमंत स्मृति कवितापुरस्कार”(2003)। असमविश्वविद्यालय, सिल्चरकहिन्दी विभागमेअध्यापन।
सुनील कुमारमल्लिक, गायक,जनकपुर, नेपाल1968-
मैथिलीक गायक-सग्ङीतकारक रूपमे प्रसिद्ध छथि । मैथिली भाषाक गीतसभमे मौलिक तथा सार्थक सग्ङीतक सृजनमे हिनक सक्रियता प्रशंसनीय छनि । सुनीलक गायन तथा सग्ङीतमे कैसेट एलबमसभ सेहो बाहर भेल अछि ।लेखनदिस हिनक सक्रियता परिमाणात्मक रूपमे कम रहितहुँ गुणात्मक दृष्टिएँ हृदयस्पर्शी मानल जाइत अछि ।पेशासँ विज्ञान-शिक्षक छथि ।
भुवनेश्वर पाथेय
राजेन्द्र झा धनुषा
अखिल आनन्द
अशोक कुमार मेहता
संजीव तमन्ना
धर्मेन्द्र विह्वल,जनकपुर
रघुनाथ मुखिया
भवप्रीतानन्द
धीरेन्द्र कुमार झा
गिरिजानन्दन सिंह
प्रेमचन्द्र पंकज
सच्चिदानन्द सच्चू
अरुण कुमार कर्ण1961-
अशोक दत्त, जनकपुर
निमिष झा, नेपाल
रमण कुमार सिंह1969-
अनलकांत (गौरीनाथ)1969-
आशुतोष झा
नीरज कर्ण, धनुषा,नेपाल 1970-
समाजशास्त्रक छात्र आ गणित तथा विज्ञानक शिक्षक छथि, मुदा मैथिली साहित्य आ संगठनक क्षेत्रमे सेहो निरन्तर सक्रिय छथि । भाषा, व्याकरण आदिक मेंही पक्षसभपर सेहो ई पूर्ण अधिकार रखैत छथि । जन्म धनुषा जिलाक कुर्था गाममे भेल छनि । विभिन्न पत्रपत्रिकामे हिनक कथा, कविता, लेख-रचनासभ मैथिली, नेपाली आ अग्ङरेजी भाषामे प्रकाशित होइत रहैत छनि । अनुवादक क्षेत्रमे सेहो हिनक नीक अधिकार छनि ।
उपेन्द्र भगत नागवंशी,नेपाल
दमन कुमार झा1969-
श्रीधरम 1974-
शंकरदेव झा
अंशुमन पाण्डेय
पंकज पराशर 1976-
मोहनपुर, बलवाहाटचपराँव कोठी, सहरसा।प्रारम्भिक शिक्षासँस्नातक धरि गाम आऽसहरसामे। फेर पटनाविश्वविद्यालयसँ एम.ए.हिन्दीमे प्रथम श्रेणीमेप्रथम स्थान।जे.एन.यू.,दिल्लीसँएम.फिल.। जामियामिलिया इस्लामियासँटी.वी.पत्रकारितामेस्नातकोत्तर डिप्लोमा।मैथिली आऽ हिन्दीकप्रतिष्ठित पत्रिका सभमेकविता, समीक्षा आऽआलोचनात्मक निबंधप्रकाशित। अंग्रेजीसँहिन्दीमे क्लॉद लेवीस्ट्रॉस, एबहार्ड फिशर, हकुशाह आ ब्रूस चैटविनआदिक शोध निबन्धकअनुवाद।
आनन्द कुमार
कमल मोहन चुन्नू
कुमार राहुल
अंशुमान सत्यकेतु
शुभेन्दु शेखर
वनदेवीपुत्र भवनाथ,नाटककार
अनमोल झा,कथाकार
सत्येन्द्र कुमार झा,कथाकार
अजित कुमार आजाद
सुधीर कुमार झा1970-
अशोक सिंह तोमर
(c)२००८. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ’ जतय लेखकक नाम नहि अछि ततय संपादकाधीन।
विदेह (पाक्षिक) संपादक- गजेन्द्र ठाकुर। एतय प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक लोकनिक लगमे रहतन्हि, मात्र एकर प्रथम प्रकाशनक/ आर्काइवक/ अंग्रेजी-संस्कृत अनुवादक ई-प्रकाशन/ आर्काइवक अधिकार एहि ई पत्रिकाकेँ छैक। रचनाकार अपन मौलिक आऽ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) ggajendra@yahoo.co.in आकि ggajendra@videha.co.in केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx आ’ .txt फॉर्मेटमे पठा सकैत छथि। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ’ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आऽ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ श्रीमति लक्ष्मी ठाकुर द्वारा मासक 1 आ’ 15 तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।
-
"भालसरिक गाछ" Post edited multiple times to incorporate all Yahoo Geocities "भालसरिक गाछ" materials from 2000 onwards as...
-
जेठक दुपहरि बारहो कलासँ उगिलि उगिलि भीषण ज्वाला आकाश चढ़ल दिनकर त्रिभुवन डाहथि जरि जरि पछबा प्रचण्ड बिरड़ो उदण्ड सन सन सन सन...
-
खंजनि चलली बगढड़ाक चालि, अपनो चालि बिसरली अपन वस्तुलक परित्याकग क’ आनक अनुकरण कयलापर अपनो व्यिवहार बिसरि गेलापर व्यंपग्यय। खइनी अछि दुइ मो...
No comments:
Post a Comment
"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।
अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।
"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।