भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Tuesday, July 29, 2008

मीत भाइ शृंखलाक मैथिली भाषा कथा-व्यंग्य:२/२. (गजेन्द्र ठाकुर)



पसीझक काँट भाग - २ मीत भाइक विवाह

ई विशुद्ध व्यंग्य-रचना थिक। एहिमे वर्णित कोनो घटना-दुर्घटनाक वर्णन ककरो आहत करबाक लेल नहि वरन् विशुद्ध मनोरंजनक लेल कएल गेल अछि।
















मीत भाइक चरचा सौँसे परोपट्टामे पसरि गेल छल। सुनामे नाम आकि कुनामे नाम।

से घटक सभ हिनका चन्सगर बालकक रूपमे विख्यात कए देलकन्हि। आब मीत भाइक बगेबानीक चरचा करब। लिकलिक करैत भूत सन कारी रंग, कतेक कारी से ओहि खापड़िकेँ देखि लिअ ततेक। आकि घड़ीक करिया चमड़ाक बेल्ट देखि लिअ ओतेक। पकिया कारी रंग छलन्हि मीत भाइक। जनाना लोकनि चरचा करैत छलीह जे भगवानोकेँ एतेक कारी रंगक माटि कतएसँ भेटलन्हि। मुदा घटक लोकनि हुनका कारी टुहटुह कहैत छलाह। जखन लोक कहन्हि जे औ घटकराज, लाल टुहटुह होइत छैक, कारी-खटखट कहल जाइत छैक, कारी टुहटुह नहि। मुदा घटक लोकनि मीत भाइक मुँह परक पानिक चरचा करैत छलाह।

मुदा घटक लोकनिक चन्सगर बालकक रूपमे हुनकर वर्णनक अछैत एकोटा घटक नहि आयल। से लालकका दिल्लीसँ फोन कए एकटा लड़की बलाकेँ पठेलन्हि आऽ तखन जाऽ कए पहिले शरबतमे मीत भाइक विवाह ठीक भे गेलन्हि। घटककेँ आऽ संगमे दलान पर जुटल लोकसभकेँ शरबत घोरि कए पिएबाक प्रथा छैक से तँ बुझले होएत।

बेश, तखन मीत भाइक विवाह भऽ गेलन्हि। जखन एक मास पर मोटा-सोटा कए घुरलाह मीत भाइ तँ जगन्नाथ भाइ रस्तेमे भेटि गेलखिन्ह।

“भाइ, कनिया केहन छथि, पसिन्न पड़लथि ने”।

“हँ, हँ जगन्नाथ भाइ। बड़ सुन्दर छथि। हेमामालिनीकेँ देखने छियन्हि? एन-मेन ओहने। मुदा रंग कनेक हमरासँ डीप छन्हि”।

जगन्नाथ भाइ अवाके रहि गेलाह।

किछु दिनुका बाद एक दिन मीत भाए भोरे-भोर पोखड़ि दिशि जाइत रहथि तँ जगन्नाथ भेटलखिन्ह, गोबड़ काढ़ि रहल छलाह बेचारे। कहलखिन्ह,

“यौ मीत भाइ, हमरे जेकाँ अहूँ सभकेँ भोरे-भोर गोबड़ काढ़य पड़ैत अछि ?”

मीत भाइ देखलन्हि जे हुनकर-जगन्नाथ भाइक- कनिञा सेहो बगलमे ठाढ़ि छलखिन्ह। से एखन किछु कहबन्हि तँ लाज होएतन्हि। से बिनु किछु कहने आगू बढ़ि गेलाह। जखन घुरलाह तँ एकान्त पाबि जगन्नाथकेँ पुछलखिन्ह-,

“भाइ, पहिने बियाहमे पाइ देबय पड़ैत छलैक, से अहाँकेँ सेहो लागल होयत। ताहि द्वारे ने उमरिगरमे बियाह भेल”।

”हँ से तँ पाइ लागले छल”।

“मुदा हमरा सभकेँ पाइ नहि देबय पड़ल छल आऽ ताहि द्वारे गोबरो नहि काढ़य पड़ैत अछि, कारण कनियाँ ओतेक दुलारू नहि अछि”।

एक बेर बच्चा बाबूक ओहिठाम गेलाह मीत भाइ। ओऽ पैघ लोक आऽ तेँ बड्ड कँजूस। पहिने तँ सर्दमे गुरसँ होएबला लाभक चर्च कएलन्हि, जे ई ठेही हँटबैत अछि आऽ फेर गूरक चाह पीबाक आग्रह।मुदा मीत भाए कहि देलखिन्ह जे गुरक चाह तँ हुनको बड्ड नीक लगैत छन्हि। मुदा परुकाँ जे पुरी जगन्नाथजी गेल छलाह, से कोनो एकटा फल छोड़बाक छलन्हि से कुसियार छोड़ि देलन्ह। आऽ कुसियारेसँ तँ गुर बनैत छैक। ओहि समयमे चुकन्दरक पातर रसियन चीनी अबैत छल, से बच्चा बाबूकेँ तकर चाह पिआबय पड़लन्हि।किछु दिन पहिने बच्चा बाबू एहि गपक चर्च कएने छलाह जे ओऽ जोमनी छोड़्ने छलाह तीर्थस्थानमे आऽ तैँ जोम खाइत छलाह। हरजे की एहिमे। एकर मीत भाइ खूब नीक जबाब देलन्हि एहि बेर। अधिक फलम् डूबाडूबी।

अपने लोकनि मीत भाइक बुधियारी किंवा कबिलपनीक चरचा सुनलहुँ। मुदा मीत भाइक ई सरल जीवन बियाहक बाद, वा कहू बेटाक पैघ भेलाक बाद कनेक कालक लेल हिलकोर लेलकन्हि। भेल ई जे मीत भाइक बेटा भागि गेलन्हि।मीत भाइक बेटा भागि गेलन्हि, आऽ ई क्यो पुछन्हि तँ पुछला पर मीत भाइक कोढ़ फाटि जाइत छलन्हि।

“यौ,लोक सभ यौ लोक सभ। लाल काका बियाह तँ कराऽ देलन्हि, मुदा तखन ई कहाँ कहलन्हि जे बियाहक बाद बेटो होइत छैक”।

आब मीत भाइ बेटाकेँ ताकए लेल आऽ बेटाक नहि भेटला उत्तर अपना लेल नोकरी तकबाक हेतु दिल्लीक रस्ता धेलन्हि।दिल्लीक रस्तामे मीत भाइक संग की भेलन्हि हुनकर बुधियारी आकि कबिलपनी काज अएलन्हि वा नहि, एहि लेल कनेक धैर्य राखए पड़त। कारण ट्रेनक सवारी अछि आऽ बजनहार उत्साहित छथि मुदा सुननहार थाकल बुझि पड़ैत छथि।

9 comments:

  1. रानूजी आऽ ममताजीसँ कहने रहियन्हि अपन-अपन रचना पोस्ट करबाक लेल मुदा किएक तँ ताहिमे विलम्ब भए रहल अछि, ताहि द्वारे हमही फेरसँ आबि गेल छी मीत भाइक श्रृंखला लए। एकर पुरातन रूप ’विदेह’ ई-पत्रिकामे छपल छल, मुदा एतए ताहिमे ढ़ेर रास परिवर्तन कएल गेल अछि। पहिल तँ ई "विदेह"मे मीत भाइक श्रृंखलाक रूपमे सन्कल्पित नञि छल से ताहि द्वारे एहिमे छह घंटा लगाकए एकरा श्रृंखलाबद्ध कएल गेल अछि। दोसर कारण अछि जे हम आब जीतूजीक मैथिल-मिथिलाक लेल मीत भाइ श्रृंखला शुरू करबाक निर्णय कएने छी। से पुरनका खिस्सा नञि बुझने श्रृंखलाक तारतम्य गड़बड़ा जाइत, ताहि लेल "विदेह"क परिवर्त्तित कथा-व्यंग्य एतय नव रूपमे देल जाऽ रहल अछि। भगवतीक इच्छा रहतन्हि तँ ई शृंखला चन्द्रमाक कला जेकाँ बढ़ैत रहत।

    ReplyDelete
  2. हेमामालिनी सन कनिया मुदा रंग डीप, बाह। गामक चौबटिया मोन पडि गेल।

    ReplyDelete
  3. pri ja kay kusiyar chori delanhi meet bhai, jomni chhorne chhala joma nahi neek javab delanhi meet bhai

    ReplyDelete
  4. धन्यवाद, एहिना उत्साहवर्धन करैत रहू।

    ReplyDelete
  5. meet bhai te kamal chhathi

    ReplyDelete
  6. से घटक सभ हिनका चन्सगर बालकक रूपमे विख्यात कए देलकन्हि। आब मीत भाइक बगेबानीक चरचा करब। लिकलिक करैत भूत सन कारी रंग, कतेक कारी से ओहि खापड़िकेँ देखि लिअ ततेक। आकि घड़ीक करिया चमड़ाक बेल्ट देखि लिअ ओतेक। पकिया कारी रंग छलन्हि मीत भाइक। जनाना लोकनि चरचा करैत छलीह जे भगवानोकेँ एतेक कारी रंगक माटि कतएसँ भेटलन्हि। मुदा घटक लोकनि हुनका कारी टुहटुह कहैत छलाह। जखन लोक कहन्हि जे औ घटकराज, लाल टुहटुह होइत छैक, कारी-खटखट कहल जाइत छैक, कारी टुहटुह नहि। मुदा घटक लोकनि मीत भाइक मुँह परक पानिक चरचा करैत छलाह।

    मुदा घटक लोकनिक चन्सगर बालकक रूपमे हुनकर वर्णनक अछैत एकोटा घटक नहि आयल। से लालकका दिल्लीसँ फोन कए एकटा लड़की बलाकेँ पठेलन्हि आऽ तखन जाऽ कए पहिले शरबतमे मीत भाइक विवाह ठीक भे गेलन्हि। घटककेँ आऽ संगमे दलान पर जुटल लोकसभकेँ शरबत घोरि कए पिएबाक प्रथा छैक से तँ बुझले होएत।

    बेश, तखन मीत भाइक विवाह भऽ गेलन्हि। जखन एक मास पर मोटा-सोटा कए घुरलाह मीत भाइ तँ जगन्नाथ भाइ रस्तेमे भेटि गेलखिन्ह।

    “भाइ, कनिया केहन छथि, पसिन्न पड़लथि ने”।

    “हँ, हँ जगन्नाथ भाइ। बड़ सुन्दर छथि। हेमामालिनीकेँ देखने छियन्हि? एन-मेन ओहने। मुदा रंग कनेक हमरासँ डीप छन्हि”।
    bah

    ReplyDelete
  7. उत्कृष्ट रचना। गामक आ गामक लोकक मोन पड़ि गेल। मीत भाइ श्रृंखलाकेँ आगू बढ्बैत रहू। जे क्यो आहत होयताह, तँ रच्नाक सार्थकता सिद्ध होएत।

    ReplyDelete
  8. vastava me bad nik katha, ehina kutsit mansikta bala lok ke miit bhai ahat karait rahathi se aagrah.

    ReplyDelete

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।