भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Wednesday, April 15, 2009

अनुप्रियाक दू गोट कविता- भगजोगनी आ देह

सुपौल (बिहार) मे जनमल अनुप्रियाक पढ़ौनी नवोदय विद्यालय, सुपौल मे भेल छैन्हि । हिन्दी कविता सँ अपन साहित्यिक यात्रा शुरू करय वाली अनुप्रिया हिन्दी कविताक युवा पीढ़ी मे बेस चर्चित छथि । शोभनाथ यादव राष्ट्रीय कविता सम्मान आ स्पेनिन सृजन सम्मान भेटल छैन्हि । भारती मंडन अंक-12 (नवम्बर, 2006) मे प्रकाशित भ’ चुकल हुनक ई दू गोट कविता प्रस्तुतत करबाक उद्देश्य अछि जे ब्लागक माध्यमे नवीन पाठक वर्ग हुनकर कविता सँ परिचित होयत आ अनेको पाठकक त्वरित प्रतिक्रिया सँ हुनकर मौथिली लेखनक गतिक तीव्र होयबाक संभावना बढ़ि जायत । प्रसंगवश बतबैत चली जे अनु मैथिलीक यशस्वी साहित्यकार रामकृष्ण झा किसुनक पोती छथि ।
www.maithilimandan.blogspot.com



भगजोगनी




हमरा लग ने दीप अछि
ने बाती
आर ने तेल
तैयौ जरौने छी
दीप उमेदक अपन
आँखि मे

किछु एहेन घर
किछु एहेन डगर
किछु एहेन बस्ती जतय
ढीठ भ’ जीबैत अछि अन्हार
ओतय देखने छी हम
टिमटिमाइत भगजोगनी
जेना अपन मिरियैल इजोत सं
ओ काटि देबय चाहैत होई
घुप्प अन्हार

वैह भगजोगनी
हमरा मन मे
गहैत अछि विश्वास
जे आब एतहु
मनायल जायत दिवाली

आउ झक इजोत लेल
एक-एक टा दीप जराबी ।

00000000000000000


देह


अहां हमरा गहय चाहैत छलहुँ
अपन बाँहि मे
आ हम चाहैत छलहुँ
अहाँक संग

अहाँ छूबय चाहैत छलहुँ
हमरा
आ हम अहाँक हाथ पकड़ि
पूरा करय चाहैत छलहुँ
जीवन-जतरा

हमरा लेल तेँ अहां
हमर आत्मा बनि गेल छलहुँ
मुदा अहांक लेल
हम- मात्र एकटा देह ।

31 comments:

  1. दुनू कविता एकपर एक।

    1. रचना प्रस्तुतिमे कोनो तथ्गत कमी नहि। लेखकक अपन ठेंठ अनुभुति सर्वत्र नव शिल्प आ नव कविता बनि उभरल अछि।
    2. कविता मे कोनो परिमार्जनक आवश्यकता नहि।

    3. सं केर बदला सँ , अहां केर बदला अहाँ , तहिना अहांक बदला अहाँक । प्रायः टंकण दोष।

    4. कोनो दोसर त्रुटि नहि।

    5. कविता तँ अनुभूति छैक, जे जतेक बेशी गहन अनुभूति करताह/ करतीह , हुनकर कविता ततेक गहींर धरि मोनकेँ छुअत।

    6. दुनू कविता पढ़ि ईएह मोनमे अबैत अछि जे ई सभटा भावना मोनमे घुरमैत रहए मुदा सोझाँ नहि आनि सकल रही। हँ यैह तँ छी ओ विषय जाहिपर क्यो गप करए लेल तैयार नहि रहए, कारण हम फरिचा जे नहि पाबि सकल रही।

    7. दुनू कविता विशेष क' दोसर कविता कवियित्रीक प्रतिभाक परिचायक। विशेष क' दोसर कविता एहि द्वारे लिखलहुँ कारण ई कोनो तरहेँ एकटा पुरुष कवि द्वारे लिखल जाएब सम्भवे नहि छल। देह आ आत्मा एहि बिन्दुपर जे कविताक समापन भेल अछि तकर की आ कतेक चरचा करी।

    ReplyDelete
  2. बहुत नीक. अहिना लिखैत रहु.

    ReplyDelete
  3. dunu kavitaa hridaya ke sparsh kay gel,
    bhagjognik bimb dvara optimism ho
    va purush narik manovigyan,
    dunu tham lekhika atulaniya chhathi

    ReplyDelete
  4. bina dip-batik umedak dip aankhi me jaraonihari lekhika ke naman.

    yaih chhi kavita,

    dosar kavitak prashansa me shabd taki rahal chhi, bhetat te ghuri kay aayab aa likhab.

    nav rachna tavat jaldi se post karu

    ReplyDelete
  5. ehi blog par katek chamatkarik shuruaat dekhait chhi hoit,

    anupriya jik aagman ekta vaih ghatna chhi, mithila mandan ke dhanyavad, anupriya ji ehi blog ker sadasya bani rachna nirantar post karathi se aagrah, 100 gote se oopar eho blog ke pratidin kam se kam dekhi rahal chhathi.

    ehi dunu rachnak prasang:

    pahil rachna me kavi aankhi me bin diya batik aankhi me umidak diya jarene chhathi, kon bharos par, bhagjogni ke dekhi kay je apan miriaail prakash se anharak dambh torait achhi,
    se pahil kavitak sheershak bhagjogni sarthak.

    dosar kavita purushak bhautik premak aa strik samarpanak vrittant achhi.

    dhanyavad

    ReplyDelete
  6. दुनू कविता, विशेष कए दोसर कविता नारी चेतनाक स्वर बनि उभड़ल अछि।

    ReplyDelete
  7. sundar abhivyakti.anubhoot sach.pratyek naari k yahi anubhay.kintu ita prakritik sach seho thik.nari k samrpan k sukh kintu purush k haasil karbaak sukh.ham ne janai chhi,ki sahi--ki galat.kintu naari--purushak manovigyanak alag-alag dharaatal par alag-alag anubhooti hona ati sahaj chhe.aar i sahaj k apne vishisht banave me safalta prapt kene chhi apan maarmik abhivyakti ka bal par.saadhuvaad.

    ReplyDelete
  8. dunu kavita mon mohi lelak

    ReplyDelete
  9. anubhutik vishadta aa gaheerataa dunu kavita me dekhi kay mon ke tripti bhetal.

    dhanyavad

    ReplyDelete
  10. aanandit bhay gelahu dunu kavita padhi kay,
    ehne kavita sabh aab likhal jaybak chahi

    ReplyDelete
  11. किछु एहेन घर
    किछु एहेन डगर
    किछु एहेन बस्ती जतय
    ढीठ भ’ जीबैत अछि अन्हार
    ओतय देखने छी हम
    टिमटिमाइत भगजोगनी

    etay kavik mon aaga badhal aa

    वैह भगजोगनी
    हमरा मन मे
    गहैत अछि विश्वास
    जे आब एतहु
    मनायल जायत दिवाली

    आउ झक इजोत लेल
    एक-एक टा दीप जराबी ।

    ReplyDelete
  12. अहाँ छूबय चाहैत छलहुँ
    हमरा
    आ हम अहाँक हाथ पकड़ि
    पूरा करय चाहैत छलहुँ
    जीवन-जतरा

    हमरा लेल तेँ अहां
    हमर आत्मा बनि गेल छलहुँ
    मुदा अहांक लेल
    हम- मात्र एकटा देह ।

    sampoorna kavita me eko shabd phajil nahi,
    lekhika ke lakshyak pata cjhhanhi|

    ReplyDelete
  13. kavita aa ohi par samiksha tippani sabh padhlahu,

    aab vishvas bhay gel je nahi te maithili marat aa nahiye maithili kavita,
    lekhika te nik likhnahiye chhathi,
    tippanikar sabh seho dhanyavadak patra chhathi.

    ReplyDelete
  14. didi kavita bad nik lagal,

    dunu kavita doo tarhak,
    muda dunu apratibh karaybala,
    pahil me aashavad,
    muda dosar me kanek nirashavad lagal.

    ReplyDelete
  15. ehi site par abait chhi te mon praphullit bhay jait achhi, kahiyo ee nahi hoi ye je nav aa nik rachna nahi bhetait huaya.

    anupriya jik aagman se ee blog aar sundar aa utkrisht bho gel.

    pahil kavita me jatay kaviyitri apan aasha aa sankalp prakat kelanhi, dosar me manovigyan ke darshan karolanhi.

    ReplyDelete
  16. ehina nirantar likhait rahu, sarasvati ahank lekani me aar dhar antih

    ReplyDelete
  17. dunu kavita tara upari, ek par ek

    ReplyDelete
  18. bah, mon anand bhay gel, kaik ber padhalahu aa padhab

    ReplyDelete
  19. anupriya didi, namaskar,
    bharti mandan me dunu kavita padhne rahi, tahiyo nik lagal rahay, muda bharti mandanak ee ank 2001 me aayal rahay, 8 sal pahine,

    ehi 8 sal me aar katek rachna ahan likhne hoyab, o sabh seho post karoo.

    ReplyDelete
  20. lekhikak kalam se ahne nik nik rachna niklay ehi kamnak sang

    ReplyDelete
  21. rachna dunu ta uchh kotik muda sampreshan me kono kami nahi, kono klishtata nahi.

    ReplyDelete
  22. nav tarahak bhav sampreshan aajuk yugak anusar uchit aa nik lagal

    ReplyDelete
  23. bah bad nik,
    mahila lekhan maithili me ahi san lekhak karan se sashakt hoyat se aasha achhi.

    ReplyDelete
  24. internet nepal aa india ke maithili bhashi ke jori delak te ne ehen nik rachna padhay le bhetal.

    ReplyDelete
  25. दुनू कवितामे कवियित्री तारतम्य जोड़बामे सफल फेल छथि आ कविताक उद्देश्य लक्षित कय ओतए धरि पहुँचल छथि।

    तेँ दुनू कविता पढ़बामे सेहो नीक लागल आ मानसिक तृप्ति सेहो देलक

    ReplyDelete
  26. मनीष गौतम11:01 AM

    दुनू रचना उत्तम।

    1. रचनाक विषयमे यैह कहब अछि जे कवि द्वारा प्रदर्शित प्रतिभा जे एहि दुनू रचनाक माध्यमसँ आएल अछि से आगाँ सेहो आबए तखने हुनकर सही मूल्यांकन भ' सकैत छन्हि।

    2. रचनाक उज्जवल पक्ष अछि लेखिकाक निर्भीकताक संग स्त्री-पुरुष मनोविज्ञानक वर्णन।

    ReplyDelete
  27. ahan sab ker hriday se dhanyavaad je ahan sab apan mulyavaan samay nikali k hamar rachna padhlaun aa apan vichaar delaun.aagan hamar prayaas rahat je aaro badhiyan likhi....anupriya.

    ReplyDelete
  28. Anonymous3:12 PM

    Hmmm ! Bahut Nik, yaih chhi kavita !

    ReplyDelete
  29. sudhanshu9:00 AM

    dunu kavita mon ke sochba par vivasha kaylak

    ReplyDelete
  30. कृष्णमोहन1:19 AM

    अनुप्रिया,बहुत सुन्दर!
    माता-पिताक ॠण केँ अहिना चुकेबाक चाही।

    ReplyDelete
  31. नीक कविता...

    ReplyDelete

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।