भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Friday, April 30, 2010

'विदेह' ५६ म अंक १५ अप्रैल २०१० (वर्ष ३ मास २८ अंक ५६) Part II



प्रेमशंकर सिंह: ग्राम+पोस्ट- जोगियारा, थाना- जाले, जिला- दरभंगा।मौलिक मैथिली: १.मैथिली नाटक ओ रंगमंच,मैथिली अकादमी, पटना, १९७८ २.मैथिली नाटक परिचय, मैथिली अकादमी, पटना, १९८१ ३.पुरुषार्थ ओ विद्यापति, ऋचा प्रकाशन, भागलपुर, १९८६ ४.मिथिलाक विभूति जीवन झा, मैथिली अकादमी, पटना, १९८७५.नाट्यान्वाचय, शेखर प्रकाशन, पटना २००२ ६.आधुनिक मैथिली साहित्यमे हास्य-व्यंग्य, मैथिली अकादमी, पटना, २००४ ७.प्रपाणिका, कर्णगोष्ठी, कोलकाता २००५, ८.ईक्षण, ऋचा प्रकाशन भागलपुर २००८ ९.युगसंधिक प्रतिमान, ऋचा प्रकाशन, भागलपुर २००८ १०.चेतना समिति ओ नाट्यमंच, चेतना समिति, पटना २००८। २००९ ई.-श्री प्रेमशंकर सिंह, जोगियारा, दरभंगा यात्री-चेतना पुरस्कार।
मायानन्‍दक रेडियो-रूपक-शिल्‍प
समय परिवर्त्तनशील अछि, जकर प्रभाव अभिव्‍यक्तिक माघ्‍यम पर पड़ैछ आ साहि‍त्‍यक स्‍वरूप विधान सेहो परिवर्त्तित भ गेल। अभिव्‍यक्तिक परिवर्त्तनक फलस्‍वरूप नाट्यक रूप-विधान पूर्णत: परिवर्त्तित भ गेल अछि। रेडियो रूपक औहने सुंदर पाठ्य सामग्री भ सकैछ जेना संस्‍कृतक अमर कवि अपन नाटकक सभमे देलनि। रेडियोक आविष्‍कारक फलस्‍वरूप रेडियो-रूपककेँ जकरा दृश्‍य काव्‍यक अन्‍तर्गत गणना कयल जाइत छल ओ आब श्रव्‍य-काव्‍यक श्रेणीमे परिवर्त्तित भ गेल अछि। रेडियो-रूपक एक नवरूपमे हमरा समक्ष आयल अछि। जाहि कला कृतिकेँ रंगमंचपर प्रेक्षकक समक्ष प्रस्‍तुत कयल जाइत छल ओ आब स्‍टूडियोमे अभिनीत भ कए श्रोताक कान धरि पहुँचि गेल अछि। पूर्वमे नाट्य-प्रेमी नाटकक समक्ष प्रस्‍तुत होइत छलाह, किन्‍तु आब नाटकक हुनका समक्ष प्रस्‍तुत होमय लागल अछि। आधुनिक परिप्रेक्ष्‍यमे प्रेक्षक मात्र श्रोता रहि गेल अछि आ रेडियो सम्‍पन्‍न आ विभिन्‍न घरक प्रेक्षागृह बनि गेल अछि।

वस्‍तुत: रेडियो रूपक रंगमंचीय नाटकक दृश्‍य-पक्ष हैबाक कारणेँ शुद्ध शब्‍दमे निहित भावना पक्षमे कतहु-कतहु अवरोध्‍ा आबि सकैछ ओतय रेडिया-रूपकमे भावना पक्ष निर्वाध गतिशील रहैछ। रेडियो-रूपक पूर्णत: श्रव्‍य काव्‍यथिक।ध्‍वनि एकर मूलभूत अपार थिक ध्‍वनि भावाव्‍यक्तिक सशक्‍त साधन थिक। जे कार्य चित्रकारमे रंगक माघ्‍यमे करैछ रेडियो रूपककार आ प्रस्‍तुतकर्ता घ्‍वनिक माघ्‍यमे करैछ। एडवर्ड सेकविल वेस्‍टक कथान छनि जे आत्‍यन्तिक नमनीयता आ काल्‍चनात्‍मक सांकेतिकताक शक्तिक कारणेँ ई रंगमंच आ चित्रपटसँ अधिक नाटकीयताक सृष्टि करैत अछि।

अभिव्‍यक्तिक माघ्‍यमक परिवर्त्तनक प्रभाव मैथिली साहित्‍य चिन्‍तक मनीषी लोकनिपर सेहो पड़लनि कारण समयक जे मॉंग छलैक ओहिसँ साहित्‍य मनीषी लोकनि कोनो निरपेक्ष रहि सकैत छथि। एकर परिणाम भेल जे मैथिली साहित्‍यमे रेडियो-रूपकक रचनाक शुभारम्‍भ भेल तथा बीसम शताब्‍दीक उत्तरार्द्धमे ई विधा पूर्ण विकसित भ गेल जकर प्रभाव रचनाकार लोकनिपर पड़लनि।

स्‍वातंत्र्योत्तर काल मैथिली भाषा आ साहित्‍यक हेतु उत्‍थान कालक रूपमे जानल जाइत अछि, कारण कतिपय साहित्‍य-चिन्‍तक प्रादुर्भाव भेल जे मनसा-वाचा-कर्मणा अपन मातृभाषाक उन्‍नयनार्थ साहित्यिक गतिविधिमे सहयोग देलनि ताहि परिप्रेक्ष्‍यमे वर्त्तमान शताब्‍दी पल्लवित-पुष्पित भ रहल अछि। मैथिली भाषा आ साहित्यिक क्षेत्रमे गत शताब्‍दीमे क्रान्तिक बीज वपन भेल जे साहित्यिक गतिविधिकेँ दिश्‍ा संकेत करबामे सहायक सिद्ध भेल। कतिपय साहित्‍य सेवी तपः सपूत नव स्‍फूर्ति आ नव स्‍पन्‍दनक संग साहित्‍य ओ भाषाक सम्वर्द्धनमे अपन अभूतपूर्व साहित्यिक अवदानक संग प्रवेश कयलनि जे साहित्‍यक स्रोत एक नव स्‍पन्‍दनसँ भरय लागल तथा ओहिमे जे अभाव छल तकर पूत्‍यर्थ रचनाधर्मी साहित्‍य चिन्‍तक अत्‍यंत लगनशीलता आ तन्मयताक संग एकर सम्वर्द्धनार्थत्‍पर भेलाह जकर परिणाम भेल जे मातृभाषाक विशाल भण्‍डार केँ भरबाक निमित्त ओ सब कृत संकल्‍प भेलाह।

गत शताब्‍दीक चतुर्थ दशकमे मातृभाषाक उन्‍नयनार्थ एक नवोन्‍मेषशालिनी प्रतिभा सम्‍पन्‍न साहित्‍य चिन्‍तकक प्रादुर्भाव भेल जे उपन्‍यासकारक रूपमे कथाकारक रूपमे, गीतकारक रूपमे आ समीक्षकक रूपमे सम्‍पोषित कयलनि ओ छथि मायानन्‍द मिश्र (1934) जनिक अक्षय कृतिसँ मैथिली पाठक नीक जकाँ परिचित छथि; किंतु ओ एक विशिष्‍ट रेडियो-रूपककार सेहो छथि तकर परिचय अद्यापि नहि भेटि पौलनि अछि तकर दोषी मैथिलीक इतिहासकार आ आलोचक छथि। एहि प्रसंगमे इतिहासकार आ आलोचक सर्वथा मौन छथि। ने जानि किएक ई एक अनुत्तरित प्रश्‍न अछि। रेडियोमे जीविकापन्‍न करबाक कारणेँ ओ समय-समयपर भवानन्‍दक नामे रेडियो-रूपकक रचना कयलनि। हिनक पॉंच रेडियो-रूपक अद्यापि हमरा दृष्टिपथपर आयल अछि ओ थिक, एके बापक बेटा, नवलोकः नवगप्‍प, गुड़-चाउर, अपन आन आ इतिहासक विसरल (अभियान-2) शेष चारू अद्यापि अप्रकाशित अछि, किन्‍तु सभक प्रसारण आकाशवाणी पटनासँ भेल अछि।

जीवकोपार्जनार्थ मायानन्‍द आकाशवाणी पटनाक चौपाल कार्यक्रमसँ विगत अनेक वर्ष धरि सम्वद्ध रहलाह तेँ हुनका समय-समयपर रेडियो रूपकक रचनाक प्रतिवद्धता रहलनि। ओ रेडियो-रूपकक शिल्‍पक सैद्धान्तिक एवं व्‍यावहारिक पक्षक सूक्ष्‍मताक संग अघ्‍ययन कयलनि। हिनक उपलब्‍ध रेडियो रूपकमे हमर पारिवारिक, सामाजिक आ ऐतिहासिक पहलूक चित्रण भेल अछि। कलाकार युग-जीवनक प्रति अधिक जागरूक रहैछ तथा ओकर प्रयास रहैछ जे संसारकेँ खुजल ऑंखिए देखय। मायानन्‍द सजग मानवतावादी कलाकार छथि तेँ ओ युगीन समस्‍याक प्रति अपन जागरूकता देखौलनि। आधुनिक आर्थिक वैषम्यसँ उत्‍पन्‍न रिक्‍तताक स्थिति, समाजक मघ्‍यवर्गीय लोकक वेरोजगारी, ओकर दुर्दशा, सामाजिक यथार्थ आदिकेँ ओ अपन रेडियो रूपकमे चित्रित क कए ओहिपर तीक्ष्‍ण व्‍यंग्‍य सेहो कयलनि। यथार्थक पृष्‍ठभूमिपर आधारित आदर्श-स्वर हिनक रेडियो-रूपकमे मुख्‍य स्‍वर थिक।
कथानक :
मायानन्‍दक रेडियो-रूपकमे युगीन समस्‍याक प्रति अधिक जागरूकता देखबामे अबैछ। आधुनिक आर्थिक वैषम्‍यसँ उत्‍पन्‍न स्थिति समाजक मघ्‍यवर्गीय लोकक वेरोजगारी, ओकर दुर्दशा, संघर्ष आदिकेँ ओ अपन रेडियो रूपमे उपस्‍थापित कयलनि। एहि परिप्रेक्ष्यामे हमर समाजक पारिवारिक यथार्थकेँ अंंकित करबाक उपक्रम कयलनि जाहिसँ कथाक विकास सरल गतिसँ भेल अछि। कथाकार हैबाक कारणेँ ओ रेडियो-रूपकक कथानकक निर्माणमे अपन कुशलताक परिचय देलनि। ई अपन रेडियो रूपकक कथानक निर्माणमे जिज्ञासा तत्‍वपर विशेष बल देलनि। हिनक प्राय: सब रेडियो-रूपक कोनो-ने-कोनो रहस्‍यपर आधारित अछि जकरा उद्घाटित कयल गेल अछि जाहिसँ रूपक चमत्‍कारिक बनि गेल अछि। हिनक कथानक संघर्षपर आधारित अछि। कथानक निर्माणमे विशेष कौशल परिलक्षित होइत अछि। ओहिमे संघर्ष अछि, गति अछि।

एक्‍के बापक बेटाक कथानक एक आदर्श भातृप्रेमक उदाहरण प्रस्‍तुत करैत अछि। हरि आ मदन दूनू भय छथि। हरि एक आफिसमे अल्‍प वेतन भोगी मुलाजिम अछि। अपन छोट भाय मदनकेँ शिक्षित-दीक्षित करबामे ओ कोन-कोन ने बेलना बेललनि, किन्‍तु यथासमय नाेकरी-चाकरीक व्‍यवस्‍था नहि भ पौलनि तँ एक ट्यूशनक व्‍यवस्‍था कयलनि जाहिमे अपन वेतनक टाका मिला क ओकर अहाँक तुष्टि कयलनि। अन्‍तत: एहि रहस्‍यक उद्घाटन तखन होइछ जखन मदनक डिप्टी कलक्टरक परिणाम अबैत अछि। पारिवारिक परिवेशमे अल्‍प आयक कारणेँ कर्जक भारसँ आयल रिक्‍तताक एक सुखद सोहान वातावरणमे परिवर्त्तित भ जाइछ। अध्‍ाुुनातन संदर्भमे एहन भ्रातृ प्रेम कतहु नहि देखबामे अबैछ। रेडियो रूपककार एक एहन वातावरणक निर्माण करबामे सफल भ पौलनि अछि जे भ्रातृ प्रेमक अद्भूत उदाहरण प्रस्‍तुत करैछ।

पारिवारिक पृष्‍ठभूमिपर केन्द्रित अछि नव लोकः नवगप्‍पक कथानक। किसुन एवं विसुन दूनू भैयारी नोन-पानि जकॉं सम्मिलत रहैत छलाह, किन्‍तु जिलेबी साहूक कर्जक तगादाक कारणेँ पारस्‍परिक प्रेम एहन तिक्‍त वातावरणक निर्माण करबामे सक्षम होइछ जे एक दोसराक जानी दुशमन मानि संयुक्‍त परिवारके खण्डित करबाक हेतु डेग उठयबाक उपक्रम करैत छथि। मधुकान्‍तक सत्‍प्रयासेँ सब समस्‍याक समाधानोपरान्‍त तिक्‍तता मधुरिमामे परिवर्त्तित भ जाइछ तथा संयुक्‍त परिवार यथावत रहि जाइत अछि। रेडियो-रूपककार समाजिक परिवेशमे परिवर्त्तित विचारधाराक धरातलपर नव दिशा समाजकेँ एहिमे देबाक उपक्रम कयलनि अछि जे नवतावादी सर्वथा नव आयामक सृजन करबामे सहायक होहत छथि जे टूटैत परिवार पुन: संगठित भ जाइत अछि। अन्‍यथा विखण्डित भ जाइत।

पति-पत्‍नीक हास-परिहासपर केन्द्रित अछि गुड़ चाउर कथानक। पारिवारिक पृष्‍ठक भूमिमे कलहक जड़ि होइत अछि गहना-गुरिया जकरा लेल पारस्‍परिक ईर्ष्‍या-द्वेष्‍ा उत्‍पन्‍न भ कए प्रेमक पवित्र बंधनकेँ तोड़ि दैत अछि। द्वारिका अपन पत्‍नी लक्ष्‍मीकेँ आध्‍ा सेरक सूति गढ़बा दैत छथि जकर फलस्‍वरूप संयुक्‍त-परिवारमे विघ्‍नक बीजारोपण होइछ तथा माधव पत्‍नी जयाकेँ ई घटना सर्वथा अनसोहॉंत लगैत छनि। जया माधवकेँ सतत प्रेरित करैत छथि जे साझी आश्रममे रहबाक अब कोनो अर्थ नहि रहि गेल अछि। शनै:-शनै: समस्‍या एतेक गम्‍भीर भ जाइछ जे एहि घटनाकेँ ल कए द्वाारिका आ माधव संयुक्‍त परिवारक परम्‍पराकेँ खण्डित क कए भीन-बखरा करबाक हेतु उताहुल भ जाइत छथि। किन्‍तु लक्ष्‍मीकेँ ई स्‍वीकार नहि होइत छनि जे हुनका पसिन नहि। अन्‍तत: भीन-बखराक बात खटाईमे पड़ि जाइत अछि तथा दुनू भाय संयुक्‍त परिवारमे रहबाक अभिलाषी बनि जाइत छथि।

अपन आन रेडियो रूपकमे सामाजिक वातावरणक विशिष्‍ट संदर्भकेँ रेखांकित करैत अछि जे हमर समाजमे एहन-एहन महनुभाव एखनो वर्त्तमान छथि जनिक सतत इएह प्रयास रहैछ जे एहन विषम वातावरणक निर्माण करी से भाय-भायक बीच जे आपसी प्रेम, स्‍नेह, आ सद्भावना अछि ओ तिक्‍ततामे परिवर्त्तित भ जाय। शीतल झा एक एहने पात्र छथि जे मुखियाक चुनावक अवसरपर शिवान्‍त आ विष्‍णुकान्‍तकेँ चुनावमे एक दोसराक विरोधी रूपमे वर्णित क कए अपन उल्‍लू सोझ करबाक प्रयासमे लागि झूठ-फूस, प्रपंचक ताना वाना बुनि क दुनू भायकेँ चुनाव लड़बाक हेतु सतत उत्‍प्रेरित करैत रहैत छथि तथा दुनू पक्षसँ पर्याप्‍त टाका-पैसा ऐठि क अपन स्‍वार्थ सिद्धि करबामे कनियो कुंठित नहि होइत छथि। किन्‍तु वास्‍तविकताक रहस्‍योद्घाटन तखन जा क होइत अछि जखन कि पिताक वर्खीक अवसरपर दुनू भायकेँ एहि प्रसंगमे विस्‍तारसँ विवेचन करबाक अवसर भेटैत छनि तथा शीतल झाक वास्‍तविकतासँ अवगत होइत छथि।

सामाजिक कथानकक अतिरिक्‍त हिनक एक रेडियो रूपक थिक इतिहासक विसरल जाहिमे रूपककार इतिहासक एक आवृत अघ्‍यायकेँ अनावृत करबाक उपक्रम कयलनि अछि। एहिमे मल्‍ल जनपदक भट्टारक सूर्यकूलभूषण सम्राटक ओहि कथांश दिस संकेत कयलनि अछि जे भारतक प्राचीनतम विश्‍व विद्यालय वैदिक साहित्‍य आ परित्तनीक सूत्र अघ्‍ययनार्थ गेल रहथि, किंतु पितृत्‍यक देहावसानोपरांत सुखद जीवनक परित्‍याग क कए सम्राट पदकेँ सुशोभित कयलनि। आचार्य नागभद्रक पट्ट शिष्‍य श्रेष्‍ठ आर्य शिल्‍पीके पारखी सम्राट तत्‍क्षण हुनक शिल्‍प कलासँ परिचित भ जाइत छथि जनिक शिल्‍प-ज्ञान समग्र आर्यावर्त्तमे प्रख्‍यात तथा यशोध्वज दिग-दिगन्‍तमे व्‍याप्त छल। सम्राटक आदेशानुरूप शिल्‍पीकेँ दुर्गाक भव्‍य प्रतिमा निर्माण आज्ञा भेटैछ, किन्‍तु दुर्योगसँ एहन नहि भ पौलक आ मूर्ति निर्माण भ गेलैक राजकुमारी मारूतिका जे साम्राज्ञी छलीह। सम्राट क्रोधान्‍ध भ सूर्योदयसँ पूर्व ओकरा राज्‍य निष्‍कासनक आज्ञा देल गेलैक। कतोक दिनक पश्‍चात् आर्य शिल्‍पी विक्षिप्‍तता अवस्‍थामे मल्‍ल सम्राट रूद्र सिंहक समक्ष प्रस्‍तुत कयल जाइछ। सम्राट एहि विषयसँ अवगत रहथि जे नागभद्रक अथवा हुनक शिष्‍यक द्वारा बनाओल निर्मित प्रतिमामे प्राण प्रतिष्‍ठा स्‍वयं भ जाइत छैक। सम्राट इच्‍छा व्‍यक्‍त कयलनि जे एक एहन काल्‍पनिक अलौकिक नारीक कामना अछि जकर छवि इन्‍द्रधनुषोसँ अधिक आकर्षक, जकर कान्ति सघन जलदमे छिटकैत विद्युतलतोसँ अधिक प्रखर, जकर मादकता सोमरस पर्यन्‍तकेँ नीरस तथा कोमलता नवीनताकेँ कठोर बना दैत छैक। सम्राट इच्‍छा छलनि जे मल्‍ल जनपद विदैश्वकेँ पराकाष्‍ठाक काव्‍य-निर्माणक आधार दैक तथा सौन्‍दर्य स्‍ने‍हीकेँ महान् पवित्र मंदाकिनीक नीक स्‍नानक फल दैक। राजाक आज्ञा शिरोधार्य क कए मूर्ति निर्माणार्थ छओ पक्षक कलावधि देल जाइछ।

आर्य शिल्‍पीक अपूर्ण सौन्‍दर्य आ ओकार शिल्‍प ज्ञानपर आकर्षित भ कए राजकुमारी तुँगभद्रा शनै:-शनै: ओकार सामीप्‍य सुखक लाभक आकाकांक्षिणी बनि जाइछ तथा अपन अगाध स्‍नेह जलसँ ओकरा अभिसिक्‍त करबाक उपक्रम करैछ, किन्‍तु आर्य शिल्‍पीक समक्ष हुनक अरण्‍य रोदन निष्‍फल भ जाइछ। मूर्ति निर्माणमे शिल्‍पी ततेक ने तन्‍मय भ जाइछ जे मूर्तिक सौन्‍दर्य रेखा आर्य महारानी मारुति तथा नासिका आ भौं तुंगभद्रा सदृश स्‍वयंमेव बनि जाइछ। सम्राट आर्य शिल्‍पीक मूर्ति कलापर आकर्षित भ महामात्‍यक समक्ष विचार व्‍यक्‍त कयलनि जे तुँगभद्रा आ आर्य शिल्‍पी एकत्रित भ कए नूतन-शिल्‍पकलाक सृष्टि करथि, कारण राजकुमारी संगीत कलामे निपुण छलीह। एकर सुखद परिणाम हैत जे मल्‍ल जनपद सौन्‍दर्य सम्‍पदाक लेल पुन: विश्‍वभंरमे अपन ज्‍योति जगाओल। आर्य िशल्‍पीक मूर्त्तिकला क्षमता सर्वदा राजकुमारी तुंगभद्राक अनुरूप अछि। सम्राट व्‍यक्तिक मूल्‍य वैयक्तिक योग्‍यताक आधारपर अंकित करबाक आकांक्षी छथि। आर्य शिल्‍पी एवं तुंगभद्राक समाचारसँ मल्‍ल साम्राज्ञी उज्‍जैनक राजकुमारी मारुति जे मल्‍ल सम्राट रूद्रपतिक अर्धांगिणी छथि ओ अतीव विह्रलता, मंद, कल्‍पन आ स्पन्‍दनक अनुभव क रहल छथि, कारण कोनो समयमे मारुति स्‍वयं आर्य शिल्‍पीक छलीह, किन्‍तु परिस्थितिक विपरीतताक फलस्‍वरूप ओ आर्य शिल्‍पीकेँ अपन बनयबासे असमर्थ भ गेल छलीह तथा पिताक आज्ञानुरूप महामहिम मल्‍ल सम्राटक रूद्रपतिक अर्धांगिणी बनबा लेल विवश भ गेल छलीह। एक नारीक जे विवशता होइछ जकर फलस्‍वरूप ओ आर्य शिल्‍पीकेँ अपनयबामे असक्षम भ गेलीह।

परिवर्त्तित परिवेशमे वास्‍तविकताक रहस्‍योद्घाटन तखन होइछ जखन सम्राट रूद्रपति अपन कन्‍याक हेतु ओही आर्य शिल्‍पीक चयन करबाक अभिलाषी भेलाह जे पूर्वमे राजमाताक प्रेमी छल। राजमाता अर्थात् मारुति स्‍वयं आर्य शिल्‍पीक समक्ष प्रस्‍तुत भ कए वास्‍तविकताकेँ उद्घाटन करैत छथि। यथास्थितिसँ परिचित भ कए आर्य शिल्‍पी सम्राटकेँ बिनु कोनो सूचना देने अदृश्‍य भ जाइत छथि।

हिनक समग्र रेडियो-रूपक पारिवारिक परिवेशपर केन्द्रित अछि। स्‍वतंत्रताक पश्‍चात् पारिवारिक स्‍वरूपपर एतेक शीघ्रतासँ परिवर्त्तन भेल अछि जे संयुक्‍त परिवारक मान्‍यता शनै:-शनै: खंण्डित होमय लागल आ एकांगी परिवारक उदय होमय लगलैक ताहि परिप्रेक्ष्‍यमे संयुक्‍त परिवारक पारम्‍परिक ढॉंचाकेँ सुरक्षित रखबाक उद्देश्‍यसँ उत्‍प्रेरित भ ओ अपन समग्र रेडियो-रूपकमे ओकर मान्‍यताकेँ पुनस्थापित करबाक कल्‍पना कयलनि। ओ इतिहासक ओहि अघ्‍यायपर दृक्पात कयलनि जाहि दिस साहित्‍यकारक घ्‍यान नहि आकर्षित भेल छलनि। इतिहासक बिसरलक कथानकमे पर्याप्‍त नाटकीय तत्‍व अछि आ ई एक प्रभावशाली रेडियो-रूपक थिक।
पात्र :
मायानन्‍दक रेडियो रूपकक वैशिष्‍ट्य थिक ओ कथा-विन्‍यासमे अत्‍यल्प पात्रक प्रयोग कयलनि अछि। पात्रक चुनावमे ओ अपन कल्‍पना शक्तिक प्रयोग क कए अत्‍यंत कुशलताक संग पात्रक चयन कयलनि। हिनक रेडियो-रूपकमे प्रयुक्‍त पात्रक मन-मे कोनो-ने-कोनो द्वन्‍द्व अवश्‍य अछि। हुनक प्रत्‍येक पात्रक मानसिक द्वन्‍द्वक सूक्ष्‍मसँ सूक्ष्‍म परतकेँ उदघाटित करबामे सफलता प्राप्‍त कयलनि अछि। हिनक पात्रक मनोभाव आ द्वन्‍द्वकेँ अत्‍यंत कुशलताक संग उद्घाटित करबामे सक्षम भेलाह अछि।

मनुष्‍य जेहन देखबामे लगैछ भीतरसँ ओ ओहन नहि रहैछ। मनुष्‍यक वाह्य व्‍यवहार कोनो स्थितिमे ओकर वास्तविक चरित्रक परिचायक भइये ने सकैछ। मायानन्‍द एक मनोवैज्ञानी सदृश पात्रक अन्‍त: स्‍थलमे प्रवेश क कए मानवक कृत्रिम आवरणकेँ हटा क वास्‍तविक रूपकेँ स्‍पष्‍ट करबाक प्रयास अपन प्रत्‍येक रेडियो-रूपकमे कयलनि अछि। मनुष्‍यक आन्‍तरिक रूप अत्‍यंत संवेदनशील, भाव-प्रवण आ कोमल होइत अछि। ओ एहने पात्रक चयन कयलनि वा पात्रक जीवन क्षण्‍ाकेँ उद्घाटित कयलनि जाहिमे द्वन्‍द्वक तीव्रता अछि। मनोवैज्ञानिक पात्रक प्रभाव हुनक नाटकीय शिल्‍पपर प्रचुर परिमाणमे पड़ल अछि। हुनक विशिष्‍टता थिक जे ओ हरेक पात्रक भावनाक सधनता आ तीव्रताकेँ सरलतासँ पाठकक समक्ष प्रस्‍तुत कयलनि। हिनक रेडियो रूपकक धरातल मुख्‍यत: भावनात्‍मक अछि।

हिनक रेडियो रूपकमे पात्रक शील-निरूपणक विनियोगमे रूपककारक सफलता एहिमे अछि जे अत्‍यल्प पात्रक प्रयोग द्वारा घटनाकेँ मार्मिकताक संग उपस्थ्ति करबामे सक्षम भ पौलनि। अपन: आनमे तीन पुरुष पात्र आ दू महिला पात्री, गुड़ चाउरमे दू पुरुष एवं दू स्‍त्री पात्र, नवलोकः नवगप्‍पमे पॉंच पुरुष आ दू स्त्री पात्र तथा इतिहासक बिसरलमे चारि पुरुष आ तीन स्‍त्री पात्रक प्रयोग रेडियो रूपककार कयलनि अछि जे हुनक विलक्षण शिल्‍पक प्रमाण थिक।

इतिहासक बिसरल एक मनोवैज्ञानिक रेडियो रूपक थिक जकरा अर्न्‍तगत प्रत्‍येक पात्रक मानसिक यातनाक प्रसंगमे विस्‍तार पूर्वक विश्‍लेषण रूपककार कयलनि अछि। आर्य शिल्‍प, तुंगभद्रा, मारुति एवं महाराज रुद्रसिंह सभ मानसिक द्वन्‍द्वसँ गुजरि रहल अछि। महाराजक उत्‍कट अभिलाषा छलनि जे आर्य शिल्‍पी आ तुंगभद्राक सम्मिलित प्रयाससँ एक नूतन सौन्‍दर्य कलाक निर्माण संभव अछि, किन्‍तु साम्राज्ञी मारुति जे यथार्थ वस्‍तुस्थितिसँ अवगत छथि। ओ नहि चाहैत छथि जे एहन कार्य महाराज द्वारा कयल जाय तदर्थ ओ प्रयत्‍नशील भ आर्य शिल्‍पीकेँ ओतयसँ विदा भ जयबाक अनुरोध करैत छथि। प्रतिपाद्य रेडियो रूपकक पात्रक मानसिक अंतर्द्वन्‍द्व अपन पराकाष्‍ठासँ गुजरि रहल अछि।

दू भायक बीच अनार्द्वन्‍द्वक रूप भेटैछ अपन आन, गुड़ चाउर, नवलोक नवगप्‍प एवं एक्‍के बापक बेटामे। प्रत्‍येक पात्र अपना अनुसारेँ प्रत्‍येक कार्यकेँ क्रिया रूप देबापर उताहुल अछि, किन्‍तु स्थितिक यर्था‍थतासँ अवगत भेलापर सभ एकहि भ जाइत अछि।

रेडियो रूपकमे मनोवैज्ञानिक चित्रणक अनेक सुविधा प्राप्‍त अछि जकर प्रयोग रूपककार पात्रक मानसिक ओझरौंठकेँ अत्‍यंत सरलासँ अंकित करैत छथि। एहिमे सामाजिक जीवनक विविध्‍ा रूपिणी यथार्थताकेँ अंकित कयल जा सकैछ जे अन्‍तरकेँ उद्वेलित कयनिहार द्वन्‍द्वक चित्रण भेल अछि। समाजमे भेटनिहार किछु विशेष प्रकारक व्‍यक्तिकेँ घ्‍यानमे राखि क एहि रेडियो रूपक सभक रचना भेल अछि।

संवाद :

संवाद लेखनमे मायानन्‍द अत्‍यंत निपुण छथि। वातावरण आ प्रसंगक अनुरूप छाेट-पैघ सब प्रकारक संलाप हिनक रेडियो रूपकमे उपलब्‍ध होइछ। रेडियोपर हिनक नाटकक सफलताक रहस्‍य ई अछि जे रेडियोक लेल जाहि संसिलष्‍ट कथानकक एकाग्रता निश्चित दिशा आ सशक्‍त संलापक अपेक्षा हाेइत अछि तकर निर्वाह हिनक रेडियो रूपकमे उपलब्‍ध होइछ। हिनक रेडियो रूपकमे वाचिक तीव्रताक प्रचुरता अछि। अति संक्षिप्‍त संलाप द्वारा कोना घटना विकास आ भाव व्‍यंजनाक काज भ सकैछ तकर उदाहरण हिनक रेडियो रूपकमे उपलब्‍ध होइछ।

ई रेडियो रूपकमे संलाप सहज बोलचालक भाषामे लिखलनि अछि। ओहिमे वाकपटुता देखयबाक हेतु भेटैछ जे हास्‍य-व्‍यंग्‍यक सृजनक हेतु उपयुक्‍त अछि। संलापमे गति अछि। बातसँ बात क्रमिक रूपेँ ब‍हराइत अछि जे हिनक रेडियो रूपकक वैशष्‍ट्य अछि। संलाप लेखनमे हिनका कुशलता छनि जे रेडियो रूपककेँ नीरस नहि होमय दैछ। संलापमे पात्र, प्रसंग एवं भावक अनुरूप परिवर्त्तित होइत रहैछ जाहिसँ रोचकता आबि जाइछ।

भाषा :

रेडियो रूपकक सर्वाधिक महत्‍वपूर्ण विषय थिक भाषा आ ई भाषा लिखलनि नहि, प्रत्‍युत भाषित होइछ। अतएव एहन भाषाक प्रयोग हो सर्वसाधारणकेँ बोधगम्‍य होइक। मायानन्‍दक रेडियो रूपकमेँ अप्रचलित शब्‍द जे साधारण जनमानससँ उठि जकॉं गेल अछि तकर प्रयोग अपन नाटकीय भाषान्तर्गत कयलनि। ओ भाषाकेँ व्‍यावहारिक रूपकेँ रेडियो रूपकमे स्‍थान देलनि। इएह कारण अछि जे हुनक भाषा कतहु अव्‍यवस्थित नहि भ पौलक। ओ शब्‍दकेँ तोड़ि- मड़ोड़ि क कहु विकृत नहि कयलनि। हुनक भाषाक रसधार सर्वथा स्‍वच्‍छन्‍द आ स्‍वाभाविक रुपेँ प्रकाशित भेल। ओ सब प्रकारक भावक प्रकाशनक क्षमता हुनक भाषामे अछि। परिस्थितिक अनुकूल ओ शब्‍दक चयन कयलनि। लोकोक्ति आ मुहावराक सफल प्रयोग हुनक भाषाक सौन्‍दर्यमे अपूर्व अभिवृद्धि कयलक अछि। हिनक भाषा-नैसर्गिक रसाद्र आ भावपूर्ण अछि। ओहिमे तन्‍मयता, सार्थकता आ स्‍वाभाविकताक सहज समावेश अछि। मायानन्‍दक रेडियो रूपकक विशेषता थिक जे स्‍थल-स्‍थलपर ओ एहन मार्मिक लोकोक्ति आ मुहावराक प्रयोग कयलनि जकर फलस्‍वरूप हुनक रूपकक संवाद अत्‍यंत प्राणवन्‍त ब‍नि गेल अछि।

डा. नागेन्‍द्र आलोचक की आस्‍थामे हालीक काव्‍यमे एहि विषयकेँ स्‍पष्‍ट कयलनि अछि जे गद्य हाे अथवा पद्य दुनूमे रोजमर्राक घ्‍यान राखब आवश्‍यक अछि। भावनाक सटीक अभिव्‍यक्ति लोकोक्ति आ मुहावरा द्वारा सम्‍भव अछि। भावनाक सहजताक कारणेँ ओकार अभिव्‍यक्तिकेँ लेल सहज, स्‍वाभाविक भाषा ओ एकरे माघ्‍यमे सम्‍भव अछि। मानवक अत्‍यधिक जीवन्‍त, भाव-प्रवण आ ऐन्द्रिय अनु- अनिवार्यता ओहि भाषासँ सम्वद्ध होइत अछि जे यथार्थमे बजैत अछि।

हिनक एकांकी सभ चौपालसँ प्रसारित भेल जकर जनसाधारणसँ सम्‍पर्क हैबाक कारणेँ अलंकृत अर्थात् सजह स्‍वाभाविक आ सरल अछि, कारण एहन भाषामे कोनो प्रकारक आडम्बरक स्‍थान नहि रहैत अछि। इएह कारण अछि जे हिनक भाषा सर्वसाधारणक हेतु बोधगम्‍य अछि। भाषापर हिनका अधिकार छनि। हिनक भाषा मुहावरेदार अंलकृत आ काव्‍यात्‍मक अछि। हिनक भाषा व्‍यावहारिक जीवनक भाषा थिक।

एहि तथ्‍यकेँ उद्घाटित करबाक उद्देश्‍यसँ हिनक प्रत्‍येक रेडियो रूपकमे प्रयुक्‍त लोकोक्ति आ मुहावरापर विचार करब आवश्‍यक प्रतीत भ रहल अछि। लोक भाषाक यथार्थ रूपकेँ ओ अपन रेडियो रूपकमे उपस्थित कयलनि जकरा पाछॉं हुनक उद्देश्‍य छलनि जे श्रोतापर एकर प्रभाव पड़य।

अपनः आन रेडियो रूपकमे ई निम्‍नस्‍थ लोकोक्ति एवं मुहावराक प्रयोग कयलनि अछि यथा: चिकरब-भोकरब, नङव्‍टे नाचने, घोडा पर चढल, कुर्सी-फुर्सी, मजिस्‍टर दरोगा, मन हनछिनआएब, चिकचाक, चुटट्ाक लोह तँ सोझे रहैछ, एक्‍केटा प्राण दू ठॉं बाटल, बसुलाक धार वस्‍तुकेँ अपना दिस झीकब, जकरे पात खोइ तकरे पात भूर करब, ऑंखिक देखल-कानक सुनल, अनका घरमे आगि लगा क तपनिहारक कमी नहि, जकरे खयबैक तकरे गयबैक, ताल लागब, पॉंच हाथ तड़पब, आँखि लाल पीयर करब,‍ अनटोटल गप्‍प, मुँह ने कान बीचमे दोकान, सोंसे नगर घिनाएब, लारब-चारब, अपने मने पैघ, आगि झायब, बाभनक गाममे राड़ पजिआड़, इनारमे, अतह करब, अनटोटल गप्‍प, भेङा महिसक कानि, कटांउझि करब, दू टा आत्‍मा एक्के, मुँह पुरुख बनब, नाङटे नाचब, रसातलमे पहुँचाएब, उजाहि उठब, मतिभ्रष्‍ट, नाक कटाय, अदगोइ-बदगोइ, पोल खुजब, कपार फारब, धोखा देब इत्‍यादि। एकके बापक बेटामे काबुलमे गदहा होइछ, गदैस-मदौस, किचकिच-किचकिच करब, आँखि गड़रब, भटकल भौंह, बेलसक गप्‍प पेट पोसब, भनभनायब, ललबबुआ बनब, रमा डोलबेनब, छिहइआछत रहब, बताह बनायब, बौआइत-ढ़हनाइत, ओलसन बोल, कान बरही, चूल्हिमे झोंकब, तम्‍मा ल कए माङव्‍ब, आगि लगाएव, गुड चाउरमे विधवा हैत सात घरक मुद्दइ, ठीकपर माङु हँसी करब, हुथनूड़, निसा देब बनब, हक्‍कन कानब, अकान बनब, कोसलिया करब, बकलेल सन, मनोरथ पुरब, झुकादेब, फरिछौट करब, रङताल बजरब, खोंताक चोंचा जकॉं मुँ‍ह लटकायब, किकहारि काटब, अकच्‍छ करब. सूइघाक नोक बरोबरि, नवलोकः नवगप्‍पमे मार बारहैनि, बिठुआ काटब, सुगरक गवाही हरिन देल दुनू पड़ा क जंगल गेल, देह ढ़ाहब, देहमे अागि लगायब, विसपिपरी, हाथीपर चढल एलाह आघोड़ापर तैयार, घर उजारब, कडरीक थम्‍मपर सितुआ चोख, कपार फूटब, गलहथ्‍या देब, तथड़ाड़ामे गारब, भाकसी झोंकब, कौआक रापे बेङ नैासरै, पार लागब, अन्‍हेड़ करब, नन्‍नो थान-बिहन्‍नबान, अपने कचियासँ घेंट ततारब, भुकायब, चौहाठी हिलायब, अपन बड़द कुड़हरिए नाथब, मुहपर जाभी लगाएब, चौहाठी हिलायब, अपन बड़द कुड़हरिए नाथब, मुहपर जाभी लगाएब, कोसिकाक दोखरा बालु फॉंकब, उकटा पैंची, खाधिमे खसायब, आगि उगलब, लथगोबर एवं इतिहासक बिसरलमे टकटकी लागब, संकल्‍प विकल्‍पमे ओझायब, छल करब आदि-आदि।
वातावरण :
मायानन्‍द घ्‍वनि आ शब्‍दक माघ्‍यमे वातावरणक निर्माण कयलनि अछि। हिनक रेडियो रूपकक विशिष्‍टता अछि जे हमर ग्रामीण परिवेशक मघ्‍यवित्त परिवारक यथार्थ स्थितिकेँ उद्घाटित करबाक उपक्रम कयलनि अछि जे वर्त्तमान परिवेशमे खण्डित भेल जा रहल अछि तकरा कोना बचाओल जाय ताहि दिस संकेत कयलनि अछि। हिनक रेडियो रूपकमे परिवारकेँ तोड़बाक जे प्रयास सामाजिक परिवेशमे ज्‍वलन्‍त भ गेल तकरा ओ जोड़बाक प्रयास कयलनि अछि अपन आन, गुड़ चाउर, नवलोक नवगप्‍प आ एक्‍के बापक बेटामे। परिवारिक परिवेशमे रहि क लोक कोना एक दोसरापर टीका-टिप्‍पणी करैत अछि, किन्‍तु वास्‍तविकताक धरातलपर ओ कतेक सटीक उतरैत अछि तकरा स्‍पष्‍ट करब रूपककारक अभीष्‍ट परिलक्षित भ रहल अछि। इतिहासक बिसरलमे काल्‍पनिकताक विलक्षण प्रयोग क कए रूपककार एहन वातावरण सृजन कयलनि अछि जे कथानकक विकासमे कतहु व्‍यवधान नहि भ पबैत अछि।

ई अपन रेडियो रूपकमे श्रव्‍य-माघ्‍यमे घ्‍यानमे रखलनि। शब्‍द आ घ्‍वनि द्वारा यथोचित वातावरणक निर्माण कयलनि वातावरणक अनुरूप छोट-छोट सब प्रकारक संपादक रचना कयलनि। घ्‍वनि-प्रभाव आ संगीतक माघ्‍यमे रेडियो रूपककार वातावरण-निर्माण प्रभावशील ढंगसँ प्रस्‍तुत करबाक प्रयत्‍न कयलनि अछि।
उद्देश्‍य :
मायानन्‍द उद्देश्‍यक एकतापर घ्‍यान केन्द्रित कयलनि अछि। ओ सभ स्थितिकेँ एकहि दिशा दिस प्रेरित कयलनि। हिनक रेडियो रूपकक उद्देश्‍य मनोरंजन रहल अछि। किछु रेडियो रूपकमे ओ सामाजिक असंगतिपर तीक्ष्‍ण व्‍यंग्‍य कयलनि अछि। हिनक रेडियो रूपकमे उद्देश्‍य अपन कथ्‍यकेँ रोचक एवं आकर्षक रूपमे प्रस्‍तुत करबाक प्रयास थिक जाहिमे रुपककारकेँ पर्याप्‍त सफलता भेटलनि अछि।
रंग-शिल्‍य :
हिनक रेडियो-रूपकमे रंग-संकेत आ दृश्‍य-विधानक अन्‍तर्गत प्रथम श्राव्‍य, द्वितीय श्राव्‍य तदनुरूप अछि। ओ मघ्‍यवर्गीय सामाजिक जीवनक पृष्‍ठभूमिमे रेडियो-रूपकक रचना कयलनि। हिनक सभ रेडियो-रूपकमे पारि‍वारिक समस्‍याक उद्घाटन कयलनि जे सामाजिक यथार्थपर आधारित अछि। समाजिक यथार्थपर आधारित रेडियो रूपकमे ओ वर्त्तमान आर्थिक वैषभ्‍य आ ओहिसँ उत्‍पन्‍न समस्‍या दिस संकेत कयलनि अछि। ओ रेडियोकेँ घ्‍यानमे राखि क एकर रचना कयलनि आ ओ ओहि मे सफल भेलाह। ई सभ सामाजिक समस्‍याकेँ अपन प्रतिपाद्य बनौलनि। ओ एकरा प्रभावोत्‍पादक बनयबाक हेतु घ्‍वनि-प्रभावक उचित प्रयोगपर घ्‍यानकेँ केन्द्रित कयलनि। श्रव्‍य-संकेत आ घ्‍वनि-प्रभावक व्‍यवहारक प्रयोग कुशलतापूर्वक ओ अपन रेडियो रूपकमे कयलनि। बिनु कोनो नैरटरक सहायता नेने प्रसंगकेँ नाटकीय रूपमे, प्रस्‍तुत करबामे सफलता ओ प्राप्‍त कयलनि। दृश्‍य परिवर्तनमे नवीनता अनबाक ई प्रयास कयलनि। जिज्ञासा आ कोतूहलताकेँ प्रतिष्ठित करबाक उपक्रम कयलनि।

मायानन्‍दक प्रत्‍येक रेडियो रूपक रेडियोपर ब्राडकास्‍ट भेल। रेडियोक माघ्‍यम थिक घ्‍वनि। आँखिक अपेक्षा ओ कानक लेल अधिक रहैत अछि। अतएव ओहिमे एक्‍शनक अभाव रहैत अछि। ई अपन रेडियो रूपकमे घ्‍वन्‍यात्‍मक मूल्‍यपर अधिक घ्‍यान देलनि अछि। ई अपन रेडियो रूपकमे कार्य-व्‍यापारक एकाग्रता आ पात्रक चरित्राकंनपर अधिक बल देलनि अछि। हिनक प्रत्‍येक रेडियो रूपकक अन्‍त प्रभावशाली रूपमे भेल अछि। दृश्‍य-परिवर्तनक कलात्‍मक प्रयोग देखबामे अबैछ। विषय प्रधानात्‍मक प्रभाव हिनक रचना शिल्‍पपर पड़ल अछि। विषय प्रधानाताक प्रभाव हिनक रंग शिल्‍पर पड़ल अछि। ई हास्‍य-व्‍यंग्‍य प्रधान, गम्‍भीर, रोमांचक, दुखान्‍त आदि रेडियो रूपक लिखलनि। ओ श्रव्‍य-शिल्‍पपर विशेष घ्‍यान रखलनि अछि।

नि:सारण :

रेडियो रूपक संक्षिप्‍त नाट्य रूप थिक। रेडियो रूपक मैथिली एकांकी एक शाखाक रूपमे स्‍वतत्र रूपसँ विकसित भेल अछि। मायानन्‍द अपन रेडियो रूपकमे नैरेशनक प्रयोग कतहु नहि कयलनि अछि। ओ श्रव्‍य-शिल्‍प सम्‍बन्‍धी कुशलताक परिचय एहि विधामे देलनि अछि। सर्वत्र श्रोताक द़ृष्टिसँ एकरा आकर्षक बनयबाक प्रयत्‍न कयलनि अछि। हिनक एहि कृतिमे घ्‍वनि-प्रभाव आ संगीतक व्‍यवहार कलात्‍मक रूपमे भेल अछि। भाषाशैली सब रूपकक अपन-अपन अछि। वातावरणक प्रसंग पात्रक अनुरूप अछि जहिसँ नाटकीय दृष्टिसँ प्रभावशाली बनि गेल अछि।

जतेक दूर धरि मायानन्‍दक रेडियो-रूपकक अछि ओ रेडियो रूपक-नाट्य-शिल्‍पक कसौटीपर अक्षरस: सटीक उतरैत अछि। हिनक रेडियो-रूपकमे कथानक-निर्माण, चरित्र-चित्रण,संवाद, उद्देश्‍य, वातावरण, भाषा-शैली, रंग-शिल्‍प, घ्‍वनि-प्रयोग आदि दृष्टिएँ, कुशलतासँ निर्वाह कयलनि अछि। हिनक रेडियो रूपक भावी-विकासक दिशा-निर्देशक क सकैछ।

रेडियो-रूपक मैथिली एकांकी शाखा रूपमे स्‍वतंत्र विधाक रूपमे विकसित भ रहल अछि। मैथिलीमे विभिन्‍न प्रकारक रेडियो रूपकक रचना निरन्‍तर भ रहल अछि। मायानन्‍द पाश्‍चात्‍य नाट्य-शिल्‍प आ नाट्य कृतिसँ धनिष्‍ठ रूपेँ सम्‍पर्कित भेलाह। रेडियो रूपक एक पैघ सशक्‍त माघ्‍यम, एक जीवित रंगमंच प्रदान कयलक अछि। रेडियोक प्रचार-प्रसार अधिक भेलासँ अनेक व्‍यक्तिकेँ एहि रूपक रचना करबाक हेतु प्रेरित कयलक। मैथिली रेडियो-रूपक लिखनिहारकेँ भारतीय अन्‍य भाषा सदृश अद्यापि सौविघ्‍य नहि उपलब्‍ध छनि तथापि जे एहन रचना उपलब्‍ध भ रहल अछि ओहि आधारपर रेडियो नाट्य-शिल्‍पकेँ जतेक विकसित हैबाक चाही ओ नहि भ सकल अछि। रेडियो, नाट्य-लेखनक लेल रेडियोकेँ निकटसँ देखबाक-समझबाक प्रयोजन अछि। प्रतिभा आ माघ्‍यमक धनिष्‍ट परिचय रेडियो-नाट्य-लेखन हेतु अनिवार्य अछि। आकाशवाणी सरकारी नियंत्रणमे अछि आ प्रतिभा सम्‍पन्‍न साहित्‍यकार ओतय पहुँचि क अपन प्रतिभाक। समुचित उपयोग नहि क पबैत छथि, कारण ओहि ठामक यान्त्रिकतासँ बन्‍हा जाइत छथि। 
धीरेन्द्र प्रेमर्षि
विचार टिप्पणी
वर्ष २०६७ क शुभागमन तथा जुडशीतलक मुहथरिपर हमसभ पहुँचल छी। मुदा चैनसँ बैसबाक आ निश्चिन्त रहबाक कोनो दऽर नहि देखा रहल अछि। मिथिलाक सन्दर्भमे जँ गप्प करी तँ नेपालदिस राज्य आमिल पीनहि अछि, अपन समाङसभ सेहो जडि नहि धऽकऽ उपरे उपरे कूदतिसन प्रतीत होइत छथि। एक तरहक समाङ मिथिलारूपी दूधकेँ सौँसे मधेशरूपी पानिमे मिलाकऽ एकर धवलता आ पौष्टिकता नष्ट करबापर तुलल छथि तँ दोसर तरहक समाङ दूधकेँ खालि अपने लोहियामे औँटैत मुट्ठीभरि लोकक लेल खोआ परसऽ चाहैत छथि। 
जनकपुरमे हालहिँ सम्पन्न मिथिला महोत्सव देखाओल जा चुकल बाटकेँ पर्यन्त ध्यान नहि दऽ मात्र जनकपुरमे केन्द्रित कऽ मनाओल गेल। नेपालहिक विराटनगर, राजविराज, लहान, सर्लाही, वीरगञ्ज आदि जगहक लोककेँ सहभागिताक कोन कथा सूचना तक नहि देल गेलैक। एहि तरहेँ सरकारी खर्चामे जनकपुर उत्सवक रूपमे भेल कोनो कार्यक्रमकेँ मिथिला महोत्सव कहनाइ मिथिलाक व्यापकतापर दोसर रूपेँ आघात पहुँचौनाइ छियैक। पहिने मिथिला खास जातिक कोँचामे लेपटाएल छल। बहुत मुश्किलसँ हमसभ ओहिठामसँ मिथिलाकेँ मुक्त करबामे किछु सफल भेलहुँ तँ आब किछु खास जगहक लोक एकरा जेबीमे राखऽ पर तुलल छथि। 
दुश्मनसँ लडबामे आसान होइत छैक मुदा अप्पन लोक जँ बैमानी वा नादानीपर उतरि जाए तँ बड मुश्किल भऽ जाइत छैक। तथापि ई नव वर्ष हमरासभकेँ सद्बुद्धि दिअए जे हमसभ मिथिलाकेँ घरमे सैँतिकऽ रखबाक लोभसँ मुक्त होइ आ जँ क्यो बैमानीक भावसँ एहन कृत्य करैत अछि तँ तकरा यथासमय सबक सिखा सकी। जुडशीतलमे हमसभ हरियरीक लेल पानि तँ जरूर पटबैत छियैक मुदा गन्दगी फेकबाक काज सर्वप्रथम करैत छियैक। ई नव वर्ष हमरासभकेँ सएह मार्गदर्शन करएऽ ताहि शुभकामना संग एकटा एहि परिवेशपर लिखाएल गजलक जलथपकी-

गजल
धीरेन्द्र प्रेमर्षि

जोरजुलुमसँ जे ने झुकए से भाले लगए पिअरगर यौ
इन्द्रधनुषी एहि दुनियामे लाले लगए पिअरगर यौ

ठोरे जँ सीयल रहतै तँ गुदुरबुदुर की हेतै कपार!
एहन मुर्दा शान्तिसँ तँ बबाले लगए पिअरगर यौ

कुच्चीकलमक रूप सुरेबगर रहलै, रहतै सबदिनमा
जखन अन्हरिया पसरल होइक, मशाले लगए पिअरगर यौ

खालि शब्दक जाल बुनल नहि चाही आब जवाब कोनो
नगरडगरमे गुञ्जैत सबल सबाले लगए पिअरगर यौ

जुड़शीतलकेर भोरहरियामे धहधह जरए कपार जखन
जलथपकी नहि, तखन जाँघपर ताले लगए पिअरगर यौ

माथा बन्हबैत कफन, उड़ाबए लाल गुलाल अकाशे जँ
हमरा तँ ओहि समयसुन्दरीक गाले लगए पिअरगर यौ

सालसालपर अबैत रहैए, सगरो दुनिया नवका साल
नवयुगक मुहथरि खोलैत नव साले लगए पिअरगर यौ
उमेश मंडल

नि‍र्मलीसँ जनकपुर धाम


प्राय: बच्‍चेसँ जनकपुर धाम जेबाक जि‍ज्ञासा छल जे आयोजि‍त कथा गोष्‍ठी ‘‘सगर राति‍ दीप जरय’’ क 69म खेपमे शामिल भऽ 3 अप्रैल 2010 केँ पूरा भेल। जहि‍सँ दोहरी खुशी भेटल।
    चारि‍ए बजे भोरमे नि‍र्मली टीशनपर पहुँचलहुँ। करीब पॉंच बजे गाड़ी खुजल आ समएसँ सकड़ी टीशनपर उतरलहुँ। सकड़ीसँ जयनगरक मेल नहि‍ रहने मेक्‍सी पकड़ि‍ मधुबनी गेलहुँ। मधुबनीसँ पुन: मेक्‍सी पकड़ि‍ कलवाही, नगर कोठी होइत जयनगर गेलौं। तखन ढाइ बजैत रहै। जयनगरसँ जनकपुर लेल नेपाली ट्रेन
तीन बजेमे खुलत से जानकरी भेल। तहि ‍बीच हमसभ भोजन केलौं आ समएसँ अबिब ट्रेनमे बैसि रहलौं।
    मैक्‍सीमे जखन भीड़ आ गुमारसँ परेशान रही तँ मनमे हुअए जे कोनो तरहेँ जयनगर तक पहुँचक अछि‍। ओइठॉंसँ तँ ट्रेनक यात्रा रहत। मुदा, ट्रेनक नमती आ भीड़ देखि‍ हुअए जे बसे जेकॉं हाल हएत। सएह भेल। मुदा, तइयो मनमे खुशी रहए ि‍कएक तँ दस-बारह गोटाक संगवे रहए जहि‍सँ यात्रामे कोनो कठि‍नाइ नहि‍ बुझना गेल, भरि‍ रस्‍ता गप-सप्‍प चलैत रहल। नव कथाकारक संग-संग श्री जगदीश प्रसाद मंडल आ श्री राजदेव मंडल सेहो संगमे रहथि‍, जे हमरा सबहक लेल सौभाग्‍य छल। गोसॉंइ लुक-झुक करि‍ते छल तावत् गाड़ी जनकपुर धाम पहुँचि गेल।
    ट्रेनसँ उतरि‍ हमसभ रामानन्‍द युवा क्‍लब जेबाक लेल आगॉं बढ़लौं। ि‍मथि‍ला महोत्‍सवसँ जनकपुर भरि‍ बाजारमे रमणीय वातावरण छल। जहि‍सँ चाह-जलपान केनाइ आकि रि‍क्‍सासँ गेनाइ सभ कियो ि‍बसरि‍ गेलाह। पएरे सभ बिदा भेलौं। देखैत-सुनैत समए रामानन्‍द युवा क्‍लबमे प्रवेश केलौं। दोसर मंजि‍लपर पएर दइते रही आकि श्री राजाराम सि‍ंह राठौरजी भेंट भऽ गेला। हमरा सभकेँ देखते हाथ पकड़ि‍ बड़ी अहलाद्सँ यथोचि‍त स्‍थानपर लऽ गेलथि‍। उपस्‍थि‍त साहि‍त्‍यकार लोकनि‍केँ देखि‍ हर्ष भेल। दीप जरा गोष्‍ठि‍क शुभारम्भ भेल। संयोजक महोदय श्री राजाराम सि‍ंह राठौर सभ व्‍यवस्‍था बड़ नीक जेकॉं कएने रहथि‍। कथा जानकीक नामसँ एकटा बैनर टांगल रहै। आदरणीय रमानन्‍द झा रमणजी पहि‍नहि‍सँ उपस्‍थि‍त रहथि‍। गोष्‍ठीक संचालन आदरणीय फूलचन्‍द्र ि‍मश्रजीकेँ देल गेलनि‍।
    गोष्‍ठि‍क शुरूहेँमे दर्जन भरि‍ पोथीक लोकार्पण कएल गेल, जहि‍मे मौलाइल गाछक फूल (उपन्‍यास) आ ि‍मथि‍लाक बेटी (नाटक)- जगदीश प्रसाद मंडल। भाग रौ आ बलचन्‍द्रा (नाटक)- ि‍वभा रानी। हम पुछैत छी (कवि‍ता संग्रह)- वि‍नीत उत्‍पल। नताशा (कॉंि‍मक्‍स)- देवांशु वत्‍स। अर्चिस (कवि‍ता संग्रह)- ज्‍योति‍ सुनीत चौधरी। नेपथ्‍य (नाटक संग्रह) आ नैमि‍कानन (कथा संग्रह)- सम्‍पादक- रेबती रमण लाल। ि‍मथि‍ला सृजन (पत्रि‍का) सम्‍पादक ऋृषि‍ बशि‍ष्‍ठ। वि‍देह- कथा 2009-10, प्रबन्‍ध समालोचना 2009-10 आ वि‍देह पद्य 2009-10 सम्‍पादक गजेन्‍द ठाकुर जीक रहनि‍।
    एहि‍ तरहेँ बारह गोट पोथी‍क लोर्कापणक शि‍लशि‍ला करीब घंटा भरिक‍ रहल। फोटोग्राफर सभ फोटो खि‍चलनि‍। तहि‍बीच चाह-जलपान सेहो चलल। रजि‍स्टरपर सभ कथाकार अपन-अपन उपस्‍थि‍ति‍ आ कथाक नाम दर्ज केलनि‍। पहि‍ल कथा श्री सुरेन्‍द्र नाथ, दोसर श्रीमती ि‍वजेता चौधरी, तेसर ि‍वभूति‍ आनन्‍द फेर ि‍जज्ञासु जी, जगदीश प्रसाद मंडल, रौशन जनकपुरी, अरवि‍न्‍द ठाकुर, ऋृषि‍ बशि‍ष्‍ठ, उमेश मंडल, रघुनाथ मुखि‍या, महाकान्‍त ठाकुर, चौधरी जयंत तुलसी, बेचन ठाकुर, कपि‍लेश्‍वर राउत, मनोज कुमार मंडल, खड़ा नन्‍द यादव, राजदेव मंडल, दुर्गानन्‍द मंडल इत्‍यादि‍ तीस गोट कथाकार कथा पाठ केलनि‍। तीन-तीन कथाक पाली होइत छल। एक पालीक पठित कथापर समी‍क्षा होइत रहए। प्रखर समी‍क्षक डॉ. रामावतार यादव, डॉ राजेन्‍द्र ि‍वमल, रौशन जनकपुरी, डॉ रमानन्‍द झा रमण, श्री ही‍रेन्‍द्र कुमार झा, श्री योगानन्‍द झा, श्री अजीत आजाद आदि‍ अपन दृष्‍टि‍कोण दैत समीक्षा रखलखि‍न। ई शि‍‍लशि‍ला राति‍ भरि‍ चलैत रहल। लागि‍ रहल छल जे ई नव कथाकारक लेल ट्रेनि‍ंग काॅलेज सदृश्‍य अछि‍।
    भि‍नसर छह बजे गोष्‍ठि‍क समापन भेल। अगि‍ला कथा गोष्‍ठी 70म सगर राति‍ दीप जरय केँ प्रस्‍ताव श्री योगानन्‍द झाजी रखलनि‍। आदरणीय रमानन्‍द झा रमण जीक संग-संग सभ साहि‍त्‍यकार लोकनि‍ सहर्ष एकरा स्‍वीकार केलनि‍। रजि‍स्टर आ दीप श्री राजाराम सि‍ंह राठौर जी अगि‍ला कथा उत्‍पल हेतु श्री योगानन्‍द झा जीकेँ देलनि‍। एकबेर सभ खुशी-खुशी थोपड़ी बजेलनि‍।
    अगि‍ला कथा गोष्‍ठीक स्‍थान- कवि‍लपुर लहेरि‍यासरय (दरभंगा)
    ति‍थि‍- 12 जून 2010
    संयोजक- श्री योगानन्‍द झा
    कबि‍लपुर (दरभंगा)

रामानन्‍द युवा कल्‍व जनकपुर धाममे ३ अप्रैल २०१० 69म सगर राि‍त दीप जरय- कथा गोष्‍ठीकेँ उद्दघाटन- डॉ रामावतार यादवकेँ द्वारा कएल गेल। संयोजक श्री राजाराम सि‍ंह राठौर आ रामानन्‍द युवा कल्‍व रहथि‍।

12टा पोथीक वि‍मोचनक कएल भेल

1   मौलाइल गाछक फूल (उपन्‍यास)
       जगदीश प्रसाद मंडल
-- डॉ राजेन्‍द वि‍मल
--
-- श्री रामनन्‍द झा ‘‘रमण’’

2   ि‍मथि‍लाक बेटी (नाटक)
       जगदीश प्रसाद मंडल
-- डॉ राजेन्‍द्र वि‍मल
-- श्री रामानन्‍द झा ‘‘रमण’’
--

3   वि‍देह पद्द 2009-10

-- श्री हीरेन्‍द्र कुमार झा
--
-- श्री रामानन्‍द झा ‘‘रमण’’
4   ि‍वदेह प्रवन्‍ध-समालोचना 2009-10
-- डॉ वि‍भूति‍ आनन्‍द
--
--

5   वि‍देह कथा 2009-10
-- डॉ वि‍भूति‍ आनन्‍द
-- श्री अजीत आजाद
--

6 हम पुछैत छी (कवि‍ता संग्रह)
       वि‍नीत उत्‍पल
-- राम भरोस कापड़ि‍ ‘‘भ्रमर’’
--
--

7 भाग रौ आ बलचन्‍द्रा (नाटक)
       वि‍भा रानी
-- श्री अरवि‍न्‍द ठाकुर
--
--

8 अिर्चस (कवि‍ता संग्रह)
       ज्‍योति सुनीत चाैधरी‍
-- डॉ वि‍भूति‍ आनन्‍द
--
-- श्री रामानन्‍द झा ‘‘रमण’’

9 नताशा पहि‍ल चि‍त्र श्रंृखला
       देवांशु वत्‍स
-- श्री प्रफूल कुमार मौन
--
--

10 नेपथ्‍य (नाटक)
-- डॉ रेबती रमण लाल
-- डाॅ रामावतार यादव
--
--
--

11 नैमि‍कानन (कथा संग्रह)
-- श्री फूलचन्‍द्र ि‍मश्र
--
--
--
--

12 ि‍मथि‍ला सृजन पत्रि‍का
       सम्‍पादक- ऋृषि‍ बशि‍ष्‍ठ
-- डॉ राजेन्‍द्र वि‍मल
--
--
--
--

एहि‍ तरहेँ दर्जन भरि‍ पोथीक लोकार्पण भेल। आ एहि‍ कथा गोष्‍ठीमे 30 टा कथाक पाठ भेल जाहि‍मे सभसँ खुशीक बात ई जे दजनोसँ बेसी नव कथा कारक उपस्‍थि‍ति‍ रहय।

कथाकार आ कथाक नाम एहि‍ तरहेँ छल-

श्री सुरेन्‍द्र नाथ सुमन-    संस्‍कृति‍
श्रीमती वि‍जेता चौधरी-    भ्रूण
ि‍वभूति‍ आनन्‍द-         अरे
जि‍ज्ञासू जी-           वि‍वस्‍ता
जगदीश प्रसाद मंडल-    प्रेमी
रौशन जनक पुरी-      
ऋृषि‍ बशि‍ष्‍ठ-          जौवॉं
उमेश मंडल-          जेहन मन तेहन जि‍नगी
रघुनाथ मुखि‍या-        वंश
महाकान्‍त ठाकुर-        दि‍यादी
चौधरी ज्‍यंत तुलसी-     के वुरि
बेचन ठाकुर-          पत्तावाली
कपि‍लेश्‍वर राउत-       सलाह
मनोज कुमार मंडल-     घासवाहि‍नी
खड़ानन्‍द यादव-        गहुमक बोड़ा
दुर्गानन्‍द मंडल-         लाल भौजी
राजदेव मंडल-        
 
गजेन्द्र ठाकुर-
कथा-तस्कर
शालिग्राममे छिद्र होइत अछि, कारी पाथर मात्र नर्मदामे भेटैत अछि। जमसम गाममे सभ किछु बदलल अछि, ग्रामदेवताक डिहबार स्थानसँ लऽ कऽ सभ ठाम मुदा किछु ने किछु लाक्षणिक वस्तु देखिये रहल छी। मुदा हमर गाथाक कोनो लक्षण एतए नहि अछि।
गाछी आ बाध बोन सभटा पतरा गेल अछि। सए बर्ख। बिज्झू आमक ओ गाछी। बीहरि सभसँ भरल। भाँति-भाँतिक चिड़ै-चुनमुनी आ छोट पैघ जीव-जन्तु। नेना रही। जेठसँ अगहन खुरचनिञा लत्ती लग गप करैत हम आ मालती। कहियो फागुन-चैतमे जाइ तँ लवङलताक लत्ती लग गप करी। मलकोका, कुमुद, भेंट, कमलगट्टा कन्द, रक्ताभ बिसाँढ़क ताकिमे कादो-पानिमे घुमैत हम आ ओ। खुल्ले पएर, काँट-कूसक बीच तड़पान-तड़पि कऽ कुदैत। आमक कलममे सतघरिया खेलाइत। हम आ मालती। करबीरसँ बेढैत अपन काल्पनिक-घर। एकहरा, दोहारा, जटाधारीक बीआ भरि साल जोगबैत मालती। मालती सेहो होएत हमरे बएसक। माए कहैत छल जे मालती छह मासक जेठ छल हमरासँ मुदा पिता कहैत छला जे छह मासक छोट अछि मालती हमरासँ। आ पिता से किएक कहै छलाह से बादमे जा कऽ ने बुझलिऐ।
भरि आमक मास आमक गाछीक दिनुका ओगरबाहीक भार हमरे दुनू गोटेपर छल। मुदा साँझ होएबासँ पहिने हमर मामा बछरू आ मालतीक बाबू खगनाथजी कलम आबि जाइत छलाह, रातिक ओगरबाहीक लेल। मुदा हमर सभक गाथाक कोनो लक्षण एतए सेहो नहि अछि। हमर सभक माने केशव आ मालतीक।
मुदा ओहि पक्काक डिहबार स्थान लग कारी रंगक शालिग्राम हम ताकि रहल छी। छिद्रयुक्त शालिग्राम। एकटा नुका कऽ रखने छलहुँ एत्तै कतहु।
गौँआ सभ धरि खूब खर्चा कएने अछि एहि डिहबारक स्थानक मंडप बनएबामे। पहिने तँ किछुओ नञि रहै। राजा जे बनेलक पोखरिक घाट आ तकर कातमे पक्काक मन्दिर सएह। मुदा बेचारो पूजा कैयो नञि सकलाह। लाजक द्वारे हमर एहि गाममे आबियो नञि सकलाह।

हम केशव, गाम मंगरौनी, नरौने सुल्हनी, पराशर गोत्र, कवि मधुरापतिक पुत्र।
मालती- माण्डर सिहौल मूलक काश्यप गोत्री खगनाथ झा, गाम जमसमक पुत्री मालती।
खगनाथजी आ हमर मामा बछरूमे भजार लागल। जमसममे हमर मामा गाम। मामागाम धरि सुखितगर, हम सभ तँ दरिद्रे। से हम एक मास गरमी तातिल आ पन्द्रह दिन दुर्गापूजासँ छठि धरि मामेगाममे रहैत रही। गरमी तातिलमे सपेता पकबासँ लऽ कऽ कलकतिया आम पकबा धरि गाछी ओगरी। आ दुर्गापूजामे खष्ठीसँ लऽ कऽ भसान धरि दुर्गापूजा देखी। फेर दीयाबातीमे कनसुपती जराबी आ छठिमे गाम घुरि जाइ। आ बीच-बीचमे तँ जाइत रहबे करी।
मालती संगे खूब झगड़ा सेहो होइ छल। चौथामे रही प्रायः। गरमी तातिलमे मामा गामक आमक गाछी गेल रही। कोनो गपपर मालतीसँ रूसा-फुल्ली भऽ गेल। धरि बौसलक मालतीये। आ बौसबो कोना केलक।
-हम अहाँसँ घट्टी मानै छी ओहि गपक लेल।
-कोन गप।
-जइ गपपर अहाँसँ झगड़ा भेल।
आ ओ गप नञि हमरा मोन पड़ल आ ने मालतीकेँ। मुदा फेर मालतीसँ कहियो कोनो गपपर हम झगड़ा नञि केलहुँ। वएह मुँह फुलाबए तँ हमही पुछिऐ जे कोन गपपर मुँह फुलेलहुँ से तँ मोन नहिये हएत तखन अनेरे ने झगड़ा करै छी।
गरमी तातिलक बाद दुर्गापूजा आ दुर्गापूजाक छुट्टीक बाद गरमी तातिलक बाट जोहै लगलहुँ। से कहियासँ से की मोन अछि ?

पिता गाममे बटाइ करथि। मिडिल स्कूलक बाद कोनो स्कूल नहिये रहै आस-पड़ोसमे। संस्कृत पाठशाला सभ बन्ने भऽ गेल रहै।
से तातिल बला कोनो बात आब रहबे नञि करए। भरि साल बुझू काजे आकि तातिले। नाना-नानी जिबिते रहथि। माएक लियौन कराबए लेल कियो ने कियो आबिये जाइ छल। हमहुँ दू चारि मासमे मामा गाम कोनो लाथे भइये अबैत छलहुँ।
गामपर कएक टा समस्या। नञि जानि कोन भाँज रहै जे पाँजिक रक्षाक गप पिताक मुँहे सुनैत रहैत छलहुँ। आ से हमर बियाह मालती संगे भेने टा सँ सम्भव, सेहो हुनका मुँहे उचरैत छलन्हि।
मालती हमर संगी मुदा एहि गप-शपसँ ओकर हमर दूरी बढ़ि जेकाँ गेल। जे सहजता हमरा आ ओकरा मध्य छल से खतम होअए लागल। जेना ओकरा देखिते हमर मोनमे पत्नीक छवि नजरि आबै लागल छल, तहिना तँ ओकरो मोनमे ने अबैत होएतैक।

हमर गाम आएल रहथि बछरू मामा।
मधुरापति- बछरू आब अहींक हाथमे हमर सभटा इज्जत अछि। खगनाथक पुत्री केशवक लेल सर्वथा उपयुक्त। सुन्दरि सुशील अछि तँ केशव सेहो जबर्दस्त अछि। एक्के बतारीक अछि मुदा किछु दिनुका छोटे अछि मालती। हे। अहाँकेँ तँ ई बुझले अछि जे  ७०० टाका लड़कीबलाकेँ दए हमर विवाह करा हमर पिता पाँजि बनाओल। मुदा आब जमीन जत्था नहि अछि। काल्हि घोड़ीकेँ चिलम पियाए ओहिपर चढ़ि आएल छलाह पञ्जीकार। साफे कहि देलन्हि जे मात्र खगनाथेक पुत्रीसँ अधिकारमाला बनैत अछि। आ से नहि भेने पुबारिपार श्रोत्रियक श्रेणीसँ चुत भऽ जाएब हम
बछरू- हम पुछै छियन्हि खगनाथसँ। संगी तँ छथि मुदा हुनकर मोनमे की छन्हि से वएह ने कहताह

आ ने जानि किएक प्रेमसँ भरि गेल छल हमर मोन। बिदा भऽ गेल रही हुनका संगे।

मालती- केशव। तोहर कत्तौ दोसर ठाम बियाह भऽ जएतौक तखन हमरासँ भेँट कोना होएतौक
केशव- आ तोहर ककरो दोसरासँ बियाह भऽ जएतौक तँ एहन अनर्गल प्रश्न सभ ककरासँ करमे”?
मालती- मुदा एकटा गप बुझलहीं। काल्हि तोहर मामा हमर पितासँ हम्मर-तोहर बियाहक चरचा कऽ रहल छलाह
केशव- तखन
मालती- नञि, सभटा तँ ठीके मुदा तखने दरभंगा राजाक दूत बनि एक गोटे आबि गेलाह आ कहए लगलाह जे राजाक समाद अछि
केशव- राजाक कोन समाद
मालती- कियेने गेलिऐ। मुदा हमर पिताकेँ ओ दूत कहलन्हि जे बेटीक बियाहक चर्च किछु दिन रुकि कऽ करबाक लेल
केशव- तोहर सुन्दरताइ तँ छौहे तेहने। राजोक नजरिमे तोरा लेल कोनो लड़का अभरल छै की”?
मालती- कियेने गेलिऐ
राजाक मन्त्रीक सवारी खगनाथक दरबज्जापर! दुइये दिनमे कीसँ की भऽ गेल। ओ दूत जा कऽ किछु कहि तँ नञि अएलै जे खगनाथ अपन बेटीक बियाह लेल धरफरायल छथि। से सतर्की देखियौ। लोक सभ गर्दमगोल करैत। सभ स्वागतमे जुटल। आ हमहुँ सभ चीजक जाएजा लैत रही। साँझ होइत-होइत हमर पिता सेहो आबि गेल छलाह। ओम्हर राजाक मन्त्रीक स्वारी गेल आ एम्हर हमर पिता माथपर हाथ रखने गुम्म रहि गेलाह। खगनाथ सेहो मौन।
राजा अपन बियाह मालतीसँ करबाक प्रस्ताव खगनाथ लग पठेने छलाह। महाराज बीरेश्वर सिंह। कहू तँ। अपने चालीससँ उपरे होएत आ एहि तेरह-चौदह बरखक बचियासँ बियाहक प्रस्ताव। खगनाथक की ओकाति जे ओकरा मना करितथिन्ह।
हमर पिता चिन्तित जे आब पाँजि नहि बाँचत।
ओहि दिन साँझमे कोनटा लग मालतीसँ हमर भेँट भेल। करजनी सन-सन आँखि फुलल, जेना हबोढ़कार भऽ कानल होअए। की सभ गप केलहुँ मोनो नञि अछि। हँ आखिरीमे हम कहने धरि रहिऐ जे सभ ठीक भऽ जाएत।
जमसममे बीरेश्वर सिंह लेल लड़की निहुछल गेल!
जमसम गाममे पोखरि खुनाओल गेल। ओतए मन्दिर बनल जे राजा दोसराक मन्दिरमे कोना पूजा करताह।
मुदा हमहुँ रही मधुरापति कविक पुत्र केशव।
बियाहक दिन लगीचे रहै आ दोसर कोनो दिन सेहो नञि रहै। आ ओहि दिन मालतीसँ सभ गप भइये गेल छल।
कटही गाड़ीमे आगूक चाप आ पाछूक उलाड़, आगाँक चाप नीक कारण पाछाँ उलाड़ भेलापर गाड़ी उनटि जाएत। मुदा हम ओहिना गाड़ीकेँ उलाड़ केने बँसबिट्टी लग मालतीक इन्तजारीमे रही।
ओ आयलि आ गाड़ीपर बैसि गेलि। जे कियो रस्तामे देखए से डरे नञि टोकए जे गाड़ी ने उनटि जाइ एकर। एकटा पतरंगी चिड़ै देखि उल्लसित होअए लागलि मालती तँ आँगुरसँ हम ओकर ठोढ़ बन्न कऽ देलिऐ।
मालतीकेँ लऽ कऽ गाम आबि गेलहुँ, धोती रंगाइत छल। फेर जे मालतीक पता करबाक लेल आएल रहए तकरा पकड़ि राखल। आ कन्यादान के करतक अनघोल भेलापर ओकरा सोझाँ अनलहुँ जे कन्यादान यएह करबाओत।
सलमशाही चमरउ जुत्ता उतारि धोती पहीरि हम विवाह लेल विध सभ पूर्ण केलहुँ।  मालतीक सीथमे सिनुर हमरे हाथसँ देब लिखल जे रहै।

तकर बाद राजा बीरेशवर सिंह की करताह?
पञ्जीकारकेँ बजा कऽ हमर नाममे तस्कर उपाधि लगबाओल। मुदा मधुरापति अपन पुत्रक प्रति गर्वोन्नत्त। बाघक बेटा बाघ। पाञ्जि आ पानि अधोगामी मुदा खगनाथ झा- श्रीकान्त झा पाँजि, तस्कर केशवक श्रोत्रिय ओहिठाम विवाह कएलापर श्रोत्रिय श्रेणी विराजमान रहतन्हि।
आ सए बर्खक बाद आइ एहि गाममे कोनो नाटक होएतैक। सुल्ताना डाकू।
आ हम तस्कर केशव, मंगरौनी नरौने सुल्हनी- पराशर गोत्र, कवि मधुरापतिक पुत्र अपन गाथाक कोनो एकटा लक्षण एतए जमसम गाममे ताकि रहल छी। मुदा राजा बीरेश्वर सिंहक वएह पोखरि आ आब ढ़नमनाएल मन्डिल देखै छी, बेचारो घुरि कऽ लाजे एहि गाममे एबो नहि केलाह।
यएह पोखरि आ ढ़नमनाएल मन्दिर हमर प्रेमक अछि अवशेष। 

No comments:

Post a Comment

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।