भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Saturday, May 08, 2010

राधाकृष्ण चौधरी- मिथिलाक इतिहास- अध्याय ५-६


अध्याय
मिथिलाक राजनैतिक इतिहास
(ई. पू. छठी शताब्दीसँ ई. स. ३२० धरिक)


ई. पू. छठी शताब्दीमे भारतमे केन्द्रीय सत्ताक अभाव छल आ समस्त उत्तरी भारत सोलह महाजनपदमे बटल छल। एहिमे बिहारमे अंग, मगध, वज्जि, मल्ल, प्रसिद्ध छलाह। एहि महाजनपद सबमे किछु राजतंत्रात्मक आ किछु गणतंत्रात्मक छलबौद्ध साहित्यमे जे गणराज्यक उल्लेख भेटैछ ताहिमे बिहारमे वैशालीक लिच्छवी एवँ अन्य गणराज्यक संग मिथिलाक विदेह गणराज्यक उल्लेख सेहो भेटइत अछि। उत्तर बिहारक महाजनपदकेँ सम्मिलित रूपें वृज्जि मल्ल सेहो कहल जाइत छल। वृज्जि गणराज्य आठ राज्यक एकटा संघ छल जाहिमे लिच्छवी, विदेह, ज्ञात्रिक प्रसिद्ध छलाह। संघक राजधानी वैशालीमे छल आ एकर स्वरुप कुलीनतांत्रिक छल। वृज्जि शासनमे प्रत्येक गाँवक राजाकेँ सरदार कहल जाइत छल। राज्यक सामूहिक कार्यक विचार एक परिषद होइत छल जकर ओ राजा लोकनि सदस्य होइत छलाह। किछु मल्ल लोकनि सेहो उत्तर बिहारमे रहैत छलाह।
       ताहि दिनमे जे दू प्रकारक राजनैतिक व्यवस्था छल आ ताहुपर जे केन्द्रीय सत्ताक अभाव छल तकरा चलते दुनू राजनैतिक पद्धतिक मध्य बरोबरि संघर्ष होइत रहैत छलैक आ एम्हर मगध अपन हाथपैर पसारि रहल छल। मगध, कोशल, वत्स, अवंती एहि चारू राज्यक मध्य आधिपत्यक हेतु संघर्ष चलि रहल छल आ ओ सब अपनअपन क्षेत्रमे अपनअपन प्रसारमे लागल छलाह। उपरोक्त चारू राज्यक तुलनामे मगधकेँ विशेष सफलता भेटलैक आ तकर मूलकारण इएह छैक जे मगध ताहि दिनमे आर्थिक दृष्टिये सफल आ सबल छल। राजनैतिक संगठनक वास्तविक पृष्ठाधार आर्थिक आ सामाजिक होइत अछि। मगध खनिज पदार्थक हेतु प्रसिद्ध छल आ लोहा एकर सबसँ पैघ उपलब्धि छल। लोहापर आधिपत्य रहबाक कारणे मगध सब समकालीन राज्यकेँ पराजित करबामे सफल भेल। नदी तटपर अवस्थित एवँ राजगीर एवँ अन्य पहाडसँ घेर बंधल मगधकेँ प्रकृति जेना एकटा प्राकृत सुरक्षा प्रदान केने होइक तेहने बुझल जाइत छल आ ताहिपर सँ मगधसँ तक्षशिला तक व्यापारिक मार्ग एवँ लोहापर ओकर एकाधिपत्य ओकरा सर्वतोभावेन साम्राज्यवादी बनेबामे समर्थ सिद्ध भेलैक एहि बातकेँ हमरा लोकनि एतिहासिक विश्लेषणसँ हँटा नहि सकैत छी। आर्थिक तत्वक संगठनात्मक आधारक जे रूपरेखा हमरा लोकनिकेँ कौटिल्यक अर्थशास्त्रमे भेटइत अछि ओहिसँ स्पष्ट अछि जे मगधमे सुनियोजित व्यवस्थाक स्थापनामे कैक शताब्दीक परिश्रम रहल होएत।
       बिम्बिसारक नेतृत्वमे मगध साम्राज्यवादक श्रीगणेश भेल आ ओ अंगकेँ पराजित कए जखन अंगुतराप आ कौशिकी कक्ष दिसि बढ़लाह तखन हुनका वैशालीक लिच्छवी लोकनिसँ संघर्ष भेलन्हि आ से खटपट दुनू राज्यक बीच बादोमे बनल रहल। अंगुतराप आ वैशाली विदेहक सीमा कमला नदीक इर्दगिर्द मिलैत छल। बादमे लिच्छवी चेटकक पुत्रीसँ विवाह कए ओ वैशालीक संग मित्रता स्थापित केलन्हि आ वैशालीक सुप्रसिद्ध गणिका अम्बपालीसँ सेहो हुनका एकटा पुत्र भेलन्हि। वैवाहिक सम्बन्धक माध्यमे ओ मगध राज्यक सम्बन्धक विस्तार केलन्हि। मगध साम्राज्य प्रसारक अट्टालिका एहि सम्बन्धपर ठाढ़ छल।
       अजातशत्रु अपन पिताक साम्राज्यवादी नीतिकेँ चालू रखलन्हि। ओ इ बात जनैत छलाह जे जाधरि वृज्जि संघक नाश नहि होएत ताधरि मगध साम्राज्यक एकाधिपत्य नहि संभव होएत तैं राज्यारोहणक बादसँ ओ एहि जोगारमे लागि गेलाह जे येनकेन प्रकारेण वृज्जिसंघकेँ मटियामेट कैल जाए। ओ एहि हेतु असंख्य बहाना खोजलन्हि। पिताक समय सेहो एहि दुनू राज्यक बीच खटपट भेल छल परञ्च अजातशत्रुक समयमे इ सामान्य खटपट अपन चरमोत्कर्षपर पहुँच गेल। हिनक मंत्री छलाह वर्षकार जनिका कौटिल्यक अगुआ कहल जाइत छन्हि। वर्षकार एहि सम्बन्धमे बुद्धसँ परामर्श करए गृद्धकूट पर्वतपर गेला। एहि प्रसंगपर बुद्ध जे वर्षकारकेँ उत्तर देलथिन्ह तकरा सतअपरिहाणिधम्म कहल जाइत छैक जकर विश्लेषण हम पाछाँ करब। वर्षकार एहिसँ अपन सुराग बाहर केलन्हि आ वज्जि संघमे फूट अनबाक प्रयासमे लागि गेलाह। अजातशत्रु आ वृज्जि संघक बीच युद्धक मुख्य कारण छल राजाक साम्राज्यवादी नीति। राजा एहि गणराज्यकेँ नष्ट कए मगधक अधीन करए चाहैत छलाह। जैन साधनसँ पता लगइयै जे लिच्छवी राजकुमारी चेलनासँ बिम्बिसारकेँ दूटा पुत्र छलन्हिहल्ल आ वेहल्ल। बिम्बिसार हिनका दुनू भाइकेँ बहुत रास वस्तु उपहारमे देने छलथिन्ह परञ्च अजातशत्रु जखन अपन पिताकेँ मारिकेँ राजगद्दीपर बैसलाह तखन ओ हिनका दुनू भाइसँ ओ सब वस्तु वापस मंगलथिन्ह। ओ लोकनि देवासँ नकारि गेलथिन्ह। अपन रक्षार्थ ओ लोकनि अपन नाना (वैशाली)क ओहिठाम चल गेलाह आ अजातशत्रु खिसियाकेँ वैशालीपर आक्रमण कऽ देलन्हि। बौद्ध साधनक अनुसार मगध आ वैशालीक बीच गंगा नदी बहैत छल आ तकर एक कातमे एकटा कोनो प्रसिद्ध खान छल आ ओकरा सटले एकटा बन्दरगाह सेहो। एहि खान आ बन्दरगाहपर आधाआधा हिस्सा दुनू राज्यक छल। वज्जि लोकनि शक्तिशाली होएबाक कारणे मगध लोकनिकेँ ओहि अधिकारक उपयोग नहि करए दैत छलथिन्ह तै अजातशत्रु शस्त्र द्वारा एहि प्रश्नक निबटारा करए चाहैत छलाह। अजातशत्रु सब दिसिसँ दारूण अस्त्रक संचय केलन्हि आ वर्षकारक साम्राज्यवादी सल्लाहक अनुकरण करैत ओ वृज्जिसंघपर आक्रमण केलन्हि। वृज्जिसंघ तत्त्कालीन मिथिलाक विशेष भागक प्रतिनिधित्व करैत छल।
       भयंकर युद्धक अगुआ भेलाह साम्राज्यवादी अजातशत्रु। लड़ाइ बहुत दिनधरि चलैत रहल। काशी आ अंग पछाति वैशाली विजय मगध साम्राज्यक स्थापनाक तेसर चरण छल। तिरयावली सूत्रक अनुसार लिच्छवी राज चेटक अठारह गणराज्यकेँ सहायताक हेतु अपील केलन्हि आ अजातशत्रुसँ लड़बाक हेतु एकटा संयुक्त मोर्चाक निर्माण केलन्हि। एहि युद्धमे अजातशत्रु महाशील कंटक आ रथमूशल सन सन युद्ध यंत्रक प्रयोग कएने छलाह। एहि दुनू राज्यक बीच लगभग १६ वर्ष धरि युद्ध चलैत रहल। आजीविक सम्प्रदायक प्रधान मंखली गोस्साल सेहो एहि युद्धमे मारल गेलाह। मगध एहि युद्धमे सब प्रकारक कूटनीतिक प्रयोग केलक। अंततोगत्वा अजातशत्रु विजयी भेलाह आ वैशालीक गणराज्यक प्रभुताक अवसान भेल आ मगध साम्राज्य एहिपर अपन आधिपत्य स्थापित केलक।
       वैशालीपर विजय प्राप्त करब मगध साम्राज्यक महत्वपूर्ण उपलब्धि मानल जाइत अछि आ अजातशत्रुक समयमे इ उपलब्धि प्राप्त भेल। तकर बाद जे राजा लोकनिक भेलाह से मगध साम्राज्यक उपलब्धि आ बढ़ौलन्हि आ एकर उत्कर्ष नन्दवंशक अधीनमे सर्वाधिक भेल। नन्दवंश शासक महापद्मकेँ पुराणमे अखिलक्षत्रांतकारी, सर्वक्षत्रांतक  आ  एकराट् कहल गेल छैक। महापद्म मैथिलकेँ सेहो पराजित कएने छलाह। एकर तात्पर्य इ भेल जे वैशालीक पराभव भेला उत्तर विदेहक मैथिल लोकनि संभवतः अपन स्वतंत्रता बचाकेँ रखबामे समर्थ भेल छलाह। मिथिलाक क्षत्रिय शासककेँ इ श्रेय छलन्हि परञ्च क्षत्रिय हंता महापद्म सब क्षत्रिय राज्यकेँ समाप्त करबाक क्रममे मैथिल लोकनिकेँ सेहो पराजित कए हुनका अपना राज्यक अंतर्गत कऽ लेलन्हि। एहि घटनाक बादहिसँ पाटलिपुत्र अखिल भारतीय साम्राज्यक केन्द्र भऽ गेल आ स्वतंत्र वैशाली विदेहक परंपरा समाप्त भऽ गेल। इ दुनू राज्य नन्दवंशक पछाति मौर्य साम्राज्यक अंग बनि गेल। एहि घटनाक बादसँ कर्णाटवंशक उत्थान धरि मिथिला मगधक अंग बनल रहल परञ्च साँस्कृतिक दृष्टिकोणसँ मिथिला अहु स्थितिमे अपन साँस्कृतिक परंपराकेँ आ वैशाली अपन गणतांत्रिक पद्धतिकेँ जोगौने रहल।
       ओहि प्राचीन कालहुँमे मिथिला वासी सुवर्ण भूमि आ पूर्वी द्वीप समूहसँ अपन सम्बन्ध बनौने रहल छलाह जकर प्रमाण हमरा लोकनिकेँ जातकसँ भेटइत अछि। एक कथासँ ज्ञात होइछ जे एक बेर विदेहक गद्दीक हेतु दु राजकुमारक मध्य संघर्ष भेलन्हि आ ओहिमे एक भाए मारल गेलाह। गर्भवती हुनक मैथिल विधवा मिथिलासँ पड़ाय गेलि आ चम्पा (भागलपुर)मे एकटा ब्राह्मणक ओतए शरणार्थी बनिकेँ रहलीहे। ओहि विधवाक पुत्र महाजनक पैघ भेलापर अपन पूर्वस्थितिक ज्ञान प्राप्त कए अपन राज्य वापस करबाक हेतु दृढ़ संकल्प भेलाह। एहि हेतु धनक आवश्यकता छलन्हि तैं धनोपार्जनक हेतु ओ सुवर्ण भूमि दिसि गेलाह। बंगालक खाढ़ीमे हुनक जहाज टुटि गेलन्हि तखन खाढ़ीक अधिष्ठातृ देवी मणिमेखला हुनका अपन कोरामे उठा कए मिथिलापुरी पहुँचा देलन्हि। कम्बुजदेश नामक पोथीमे रमेश मजुमदार लिखने छथि जे प्राचीनकालमे चीनक युनान राज्य विदेह प्रांत कहबैत छल आ ओकर राजधानीक नाम मिथिला छलैक। कखनो कखनो एकरा मिथिला राष्ट्र सेहो कहल जाइत छलैक। चीनी परंपरामे जकरा नानचाजो कहल गेल छैक ओकरे एहि परंपरामे मिथिला राष्ट्र सेहो कहल गेल छैक। एहिसँ सिद्ध होइत अछि जे प्राचीन मिथिलाक लोक सब दक्षिण पूर्वी एशिया एवँ चीनक युनान प्रांत धरि व्यापारक हेतु जाइत छलाह आ अपना संगे अपन स्मृतिक रक्षार्थ अपन साँस्कृतिक परंपराकेँ सेहो उगौहने जाइत छलाह। वैशालीसँ सेहो लोग सब व्यापारक हेतु भारतसँ बाहर जाइत छलाह जकर सबसँ पैघ प्रमाण इ अछि जे बर्मामे एखनो वेत्थाली (वैशाली) नामक एकटा प्रसिद्ध स्थान विराजमान अछि।
       अजातशत्रुक हाथे जखन लिच्छवी लोकनि पराजित भेलाह तकर पश्चात विदेह वैशालीक गौरव लुप्त भऽ गेल आ मगध साम्राज्य अपन उत्कर्षपर पहुँचबाक सरंजाममे आओर तत्पर भऽ गेल। उदायिनक समय धरि लिच्छवी लोकनि अपन प्रतिष्ठाकेँ सुरक्षित रखबाक यथेष्ट प्रयत्न कएने छलाह। उदायिन साम्राज्यक दृष्टिकेँ ध्यानमे राखि राजगृहक परित्याग केलन्हि आ पाटलिपुत्रमे अपन राजधानी बनौलन्हि। एहिसँ गंगापारक विदेह आ लिच्छवीपर नियंत्रण रखबामे सुविधा भेटलन्हि। उदायिनक उत्तराधिकारीक समयमे सेहो लिच्छवीमगधक संघर्ष चलिते रहल परञ्च नंदवंशक शासन काल धरि अबैतअबैत उत्तर बिहार अथवा मिथिलाविदेहवैशालीक प्राचीन परंपरा लुप्तप्राय भऽ गेल आ एहि समस्त क्षेत्रपर मगधक आधिपत्य भऽ गेलैक। नन्दवंशक शासन कालमे राजनैतिक पराभवक वावजूदो विदेहवैशालीक सांस्कृतिक गरिमा बनल रहलैक आ अपन शासन सुविधाकेँ ध्यानमे रखैत साम्राज्यवादी नंदवंश शासक लोकनि मिथिलाक गणराज्यक परंपरामे हेरफेर नहि केलन्हि आ वैशालीक प्रधानता सेहो बनल रहल। वृज्जिसंघक गणराज्यक स्वरूप यथावत छल आ ओहिमे कोनो प्रकार हेरफेर नहि भेल छल, एकर सबसँ पैघ प्रमाण इ अछि जे कौटिल्य अपन अर्थशास्त्रमे लिच्छवी सबकेँ राजशब्दोप जीवितः गणराजानः कहने छथि। एकर अर्थ इ भेल जे राजनैतिक हिसाबे मैथिल लोकनि मगधक प्रभुत्वकेँ स्वीकार कऽ लेने होएताह आ आंतरिक रूपें ओ लोकनि अपन वैधानिक परंपराकेँ बचाकेँ रखने हेताह। एकर आठ सौ वर्ष बाद धरि वैशालीक महत्व बनल रहल छलसँ तँ गुप्तकालीन इतिहासक अध्ययनसँ स्पष्ट होइछ।
       ई. पू. छठम शताब्दीसँ जे एकटा राजनैतिक एकता एवँ धार्मिक विद्रोहक प्रभावक प्रादूर्भाव भेल छल ताहिसँ मिथिला बाँचल कोना रहि सकैत छल। वर्द्धमान महावीर आ गौतम बुद्ध, जैन आ बौद्ध धर्मक प्रणेता लोकनिक सम्बन्ध एहि क्षेत्रसँ बड्ड घनिष्ट छलन्हि आ दुनू व्यक्ति बरोबरि एहि क्षेत्रक सीमाक अंतर्गत अपन वर्षावास करैत छलाह। महावीर अर्हत् (पूज्य),  जिन (विजेता), निग्रंथ (बन्धनहीन) सेहो कहबैत छलाह आ ओ कोशल, मगध, विदेह इत्यादि स्थानक भ्रमण कएने छलाह। वैशाली तँ हुनक जन्मस्थाने छलन्हि। मगधराज बिम्बिसारक रानी चेलना महावीरक बहिन छलथिन्ह। धार्मिक पक्षपर विवेचन हमरा लोकनिक साँस्कृतिक खण्डमे करब। बौद्ध धर्मक प्रभाव सेहो मिथिलापर बड्ड छल। हम उपर लिखि आएल छी जे संभवतः अंगुतरापपर आक्रमण करबाक क्रममे मगध राज बिम्बिसारक खटपट लिच्छवी लोकनिसँ भेल होएतन्हि। अंगुतरापक आपण गाँवमे बुद्ध एकाध मास रहल छलाह आ ओतुका ब्राह्मण लोकनि हुनक विशेष आदर भाव कएने छलथिन्ह। सप्तरी, भाला परगना, बुद्धग्राम, रत्नपुर, ब्रह्मपुर, विसारा, बेतिया, चम्पारण, आदि बौद्ध धर्मक प्रधान केन्द्र छल। नन्दक शासन कालमे जँ पाणिनि पाटलिपुत्र आएल छलाह तँ ओहि आस पासमे वैशालीमे दोसर बौद्धसंगीति भेल छल जे धार्मिक दृष्टिकोणसँ मानल गेल अछि। वैशाली मौर्ययुगमे पटना आ हिमालय राज्य नेपालक बाटमे पड़इत छल। वैशालीमे अशोक एकटा स्तंभ सेहो बनौने छलाह आ एकटा स्तूप सेहो जाहिमे ओ बुद्धकेँ अवशेषकेँ सुरक्षित रखबौने छलाह। बुद्धक अवशेष एम्हुरका जे उत्खनन भेल अछि ताहिसँ प्राप्त भेल अछि। वैशाली व्यापारीक प्रधान केन्द्र छल। मिथिला आ नेपालक सम्बन्ध सेहो मधुर छल। तराइ क्षेत्रमे किरात लोकनि बसैत छलाह आ मैथिल सांस्कृतिक निर्माणमे किरातक योगदान ककरोसँ कम नहि छन्हि।
       मौर्य युगक अवशेष ततेक ने प्रचुर मात्रामे मिथिलाक चारु कातसँ भेटइत अछि जे इ निश्चित भऽ जाइत अछि जे मौर्ययुगमे समस्त मिथिला पूर्णरूपेण मगध साम्राज्यक एकटा प्रमुख अंग बनि गेल छल। पूर्णियाँ, वनगाममहिषी, पटुआहा, बहेड़ा, हाजीपुर, वैशाली, आदि क्षेत्रसँ पंचमार्क्ड सिक्का विशेष मात्रामे प्राप्त भेल छैक आ मौर्य युगीन मॉटिक मुरूत, खेलौना इत्यादि तँ सहजहि मिथिलाक कोनकोनमे भेटइत छैक। मृण्मूर्ति तँ एहेन कोनो क्षेत्र नहि अछि जाहि ठामसँ नहि भेटल हो। भऽ सकैछ जे एहि क्षेत्रमे एकर कैकटा केन्द्र सेहो रहल हो। एकर अतिरिक्त मिथिलाक विभिन्न क्षेत्र सबसँ नादर्नब्लैक पॉलिश्ड वेयर (N.B.P) सेहो भेटइत अछि आ एहि सब सम्मिलित साधनक आधारपर इ निर्विवाद रूपें कहल जा सकइयै जे मिथिला क्षेत्र पूर्णतोभावेन पाटलिपुत्रक अधीन रहल छल।
       मिथिलाक इतिहासकार डॉक्टर उपेन्द्र ठाकुर ई.पू.३२६सँ १०९७ ई. धरिकेँ मिथिलापर जे शासन छल तकरा ओ विदेशी शासनक संज्ञा देने छथि मुदा हुनक इ तर्क युक्तिसंगत नहि बुझि पड़इयै कारण मिथिला (जे कि भारतक एकटा अंग थिक) क संदर्भमे हम मगधकेँ विदेशी कोना मानि सकैत छियैक। दोसर गप्प इहो जे जँ मौर्य, गुप्त, पाल, प्रतिहार आदि मिथिलाक हेतु विदेशी बुझल जाइथ तखन तँ इहो स्मरण राखेक चाही जे कर्णाट लोकनि तँ आ दक्षिणसँ आएल छलाह तँ ओ लोकनि देशी कोना भऽ गेलाह। एक समय एहनो छल जखन मिथिलाक प्रभुत्व छल आ समस्त वैशाली आ नेपालक तराइपर मिथिलाक प्रभुत्व छल तँ कि एकरा वैशालीपर विदेशी शासन कहल जेतैक? ओहिना जखन वैशालीक प्रभुत्व बढ़ल तखन मिथिला वैशालीक अंग भऽ गेल तँ ओहिकालकेँ मिथिलाक हेतु विदेशी शासन कियैक नहि मानल गेलैक? अजातशत्रु वैशालीकेँ आ नंद लोकनि मिथिलाकेँ पराजित कए मगध साम्राज्यक उत्कर्ष केलन्हि आ मगधक तत्वावधानमे समस्त उत्तर भारतक नहि अपितु समस्त भारतक राजनैतिक एकीकरण भेल तैं हेतु मिथिलाक इतिहासक संदर्भमे एहिकालमे मिथिलाक हेतु विदेशी शासनक काल कहब युक्ति संगत नहि बुझना जाइत अछि। दोसर बात इ जे मगध साम्राज्यक उत्कर्ष भेला उत्तरो वैशाली एवँ विदेहक आंतरिक स्वायत्ता बनले रहलैक आ ओहिमे कोनो प्रकारक हस्तक्षेपक उदाहरण नहि भेटइत अछि। लिच्छवी लोकनि अपन नियमपर चलिते रहलाह। पतंजलि सेहो जनपदक रूपमे मिथिलाक उल्लेख कएने छथिये। तत्कालीन साहित्यक प्रमाणकेँ जँ साक्ष्य मानल जाए तँ इ निर्विवाद रूपें कहल जा सकइयै जे एतावता मिथिला राजनैतिक रूपें मगध साम्राज्यक अधीन रहितहुँ अपना आपमे स्वतंत्र छल। मगधक तत्वावधानमे अखिल भारतीय एकता एकटा ऐतिहासिक क्रम छल जकरा फले लगभग हजार वर्ष धरि मगधक इतिहास भारतवर्षक इतिहास बनल रहल आ मगधक अवसानक पछति पुनः देशमे छोटछोट राज्यक जेना उत्पत्ति उठि गेल हो तहिना बुझना जाइत छल।
       मौर्य साम्राज्यक स्थापना भारतीय इतिहासमे एकटा महत्वपूर्ण घटना मानल गेल अछि। एकर विवरण पुराणमे एवँ प्रकारे अछि  
उद्धरिष्यति तान्  सर्वान्
कौटिल्यो वै द्विजर्षभः
कौटिल्यश्चन्द्रगुप्तं तु
ततो राज्येभिषेक्ष्यति
       मुद्राराक्षसक अनुसार चन्द्रगुप्त हिमालयसँ दक्षिर्णाणव धरि अपन राज्य सीमाकेँ विस्तृत केलन्हि। वैशाली आ मिथिला मौर्य साम्राज्यक प्रान्त छल आ एहिठाम जे अखनो गणराज्य वर्त्तमान छल तकर सबसँ पैघ प्रमाण अछि कौटिल्यक अर्थशास्त्र। अशोकक स्तम्भ लेख लौरियानन्दन आ रामपुरबा तथा स्तंभ चम्पारण, वैशालीसँ भेटल छैक आ ओम्हर पूबमे धरहरा (बनमनखीपूर्णियाँ)क समीप सिकलीगढ दिसि सेहो अशोक स्तंभक होएबाक किछु प्रमाण भेटल छैक जाहिसँ इ पुष्ट होइछ जे अशोक काल धरि मिथिलापर मौर्य साम्राज्य अक्षुण्ण भावें बनल रहल। नेपाल आ तराइक विशिष्ट भागपर सेहो अशोकक राज्य छल। वैशालीक प्रभुत्व तखनो बनल छल और अशोक मिथिले बाटे नेपाल गेल छलाहपाटलिपुत्रसँ विदा भऽ कए ताहि दिनमे लोक पहिने वैशाली पहुँचैत छल आ तब केसरिया, लौरिया अराराज, बेतिया, लौरिया नंदनगढ, जानकीगढ आ रामपुरबा होइत भीखनाठोरी लग पहुँचैत छल आ ओहिठामसँ नेपाल जाइत छल। अशोक एहि बाटे नेपाल गेल छलाह आ नेपालकेँ अपना राज्यमे मिलौने छलाह। लिच्छवी, किरात, मल्ल, विदेह आदि जाति सबमे ताहि दिनमे वेसमेल जोल छल आ हिनको लोकनिक संपर्क नेपालसँ घनिष्ट छलन्हि। वैशाली उत्खननसँ प्राप्त एकटा मुहर पर लिखल अछि–“वैशाली अनुसम्यामर्क टकार”–जाहिसँ इ बुझि पड़इयै जे वैशाली मौर्य कालमे शासनक एकटा प्रधानकेँन्द्र छल आ खासकर अशोकक समय एकर प्रधानता आओर बढ़ि गेल छलैक। अशोकक समय बहुत रास व्यक्ति बौद्ध धर्मक प्रचार करबाक हेतु तिब्बतो गेल रहैथ।
       मौर्य साम्राज्यक पतनक पछाति शूंगवंशक स्थापना भेल। इ ब्राह्मवंश छल। ब्राह्मण धर्मक प्रभुत्व बढ़ल परञ्च संगहि विकेन्द्रीकरणक प्रवृत्तिकेँ सेहो बढ़ावा भेटलैक। शूंग कालहुमे मिथिलापर पाटलिपुत्रक प्रभाव बनले रहलैक। शूंगकालीन स्तंभ गण्डक तीरपर काली मंदिरक समीप सोनपुरमे भेटल छैक आ जय मंगला गढ़ (बेगूसराय)सँ प्राप्त लकड़ीक पुलक संगहि शूंगकालीन मृण्मूर्तिक आविष्कार एकटा पैघ पुरातात्विक घटना मानल गेल अछि। पटना (कुम्हार) आ नौलागढ़ (बेगूसराय)सँ शूंगकालीन मॉटिक मुरूत आ साज श्रृंगारक सामान सेहो भेटल अछि। नेपालमे किरात लोकनिक महत्व बनल छल आ उहो लोकनि संभवतः शूंग लोकनिक आधिपत्य स्वीकार केने छलाह। रैमा गाममे एक पुरान पोखरि छैक जकरा लोग ओहिठाम सुनगाही पोखरि कहैत छैक। ओहिमे सँ बहुत रास प्राचीन सामग्री भेटल छैक आ ओहिठामक लोग विश्वास छन्हि जे इ पोखरि शूंगकालीन थिक। शूंगकालहु धरि अंगमे ब्राह्मण धर्मक प्रचारप्रसार विशेष रूपें नहि भेल छल परञ्च मिथिलामे ब्राह्मणधर्मक पुनुरूत्थान एहि युगमे विशेष रूपें भेल छल। विदेह आ अंगक बीचमे एकटा प्रसिद्ध स्थान छल कालकवन। शूंगक पछाति कण्व लोकनिक शासन रहल। हुनका लोकनिक समयमे मिथिलावैशाली क्षेत्रपर पाटलिपुत्रक प्रभाव घटि गेल छल। एहि स्थितिसँ लाभ उठाकेँ लिच्छवी लोकनि शनैः शनैः अपन सत्ता बढ़ौने जा रहल छलाह। दक्षिणमे आन्ध्रसातवाहन, पूर्वमे कलिंगक खरवेल आ पश्चिममे शक् क्षत्रप लोकनि अपन प्रभाव बढ़ा रहल छलाह। दूदू बेर कलिंग राज खरवेल मगधपर आक्रमण कऽ चुकल छलाह परञ्च मिथिलापर हुनक आधिपत्य भेलन्हि अथवा नहि से कहब कठिन।
मिथिलामे एखनहुँ पुरातात्विक ढँगक उत्खनन नहि भेल छैक तैं जनक राजवंशसँ लकए कर्णाट राजवंश धरिक इतिहासकेँ अन्धकारपूर्ण कहल जा सकइयै यद्यपि साँस्कृतिक दृष्टिकोणसँ एहि युगक विशेष महत्व अछि। कुषाण लोकनि कनिष्कक नेतृत्वमे वैशाली धरि आएल छलाह से संभव। कहल जाइत छैक जे कनिष्क वैशालीसँ बुद्धक भिक्षाटन बाली बाटी उठाकेँ गान्धार लऽ गेल छलाह।


राज्ञो महाक्षत्रपस्य स्वामी रूद्रासिंहस्य दुहितु राज्ञो महाक्षत्रपस्य स्वामी रूद्रसेनस्य भऽगिन्या महादेव्या प्रभुदामायाह॥

वैशालीसँ शक क्षत्रप रूद्रसेनक बहिन महादेवी प्रभुदामाक एक गोट लिखल मोहर पाओल गेल छैक जाहिसँ इ अनुमान लगाओल जा सकैत अछि जे शक क्षत्रप सबहिक संग ताहि दिनमे एहि क्षेत्रक संपर्क छलैक। एहि सम्बन्धक वास्तविक स्वरूपक ठेकान लगाएब अखनो कठिन अछि। एहि क्षेत्र सबसँ बहुत क्षत्रप आ कुषाण मुद्रा तथा सिक्का भेटल अछि। मनुस्मृतिमे लिच्छवी, विदेह, मल्ल जाति सबकेँ व्रात्य कहल गेल छैक जकर कारण इएह थिक जे इ सब वैदिक कर्मकाण्डक कोनो परवाहि नहि करैत छलाह। मौर्योत्तर कालमे प्रकारप्रकारक लोगक उल्लेख भेटैछ आ ओकर सम्बन्ध वैशाली मिथिला क्षेत्रसँ बताओल जाइत अछि। एहि प्रसंगक विशेष रूप हम अपन लेखमे कम्प्रीहेनसिम हिस्ट्री आफ बिहारमे प्रस्तुत कएने छी आ एहिठाम मात्र ओकर संकेत धरि दैत छी।
       हालेमी (भूगोलवेत्ता) अपन पुस्तकमे कहने छथि जे गण्डकसँ महानंदा धरि मरूण्डाइ नामक एक गोट जातिक आधिपत्य छलन्हि। एहि जातिक प्रभाव एहि क्षेत्रपर छल। मौर्योत्तर कालमे मिथिलामे सेहो एक प्रकारक अस्त व्यस्तता छल आ एकर नतीजा इ होइत छल जे चारू कातक महत्वाकाँक्षी लोक सब एकर लाभ उठा लैत छलाह। मरूण्डाइ जातिक विवरण कैक साधनसँ प्राप्त होइत अछि परञ्च वस्तुस्थिति कि छल ताहि सम्बन्धमे ठीकठीक निर्णय देव अंसभव। टालेमी निश्चय कोनो आधारपर अपन मंतव्य देने हेताह जे आधार आब हमरा लोकनिकेँ उपलब्ध नहि अछि। मरूण्डाइक अतिरिक्त आरो एक गोट जाति छलैक जकर राज्य उत्तरी बिहारमे छलैक। ओहि जातिक नाम छल भर(भर राजपूतोकेँ कहल जाइत छैक)। भर लोकनिक अवशेष सहरसा आ बेगूसरायमे अछि। सिहेंश्वर स्थानमे रायभीर नामक एकटा स्थान छैक जकरा भर लोकनिकेँ राजधानी कहल जाइत छैक। बेगूसरायमे तप्पा सरौंजा सेहो भर लोकनिक प्रधान केन्द्र छल। भर लोकनिकेँ विश्वास छैन्ह जे ओ सब भारशिवनाग वंशक उत्तराधिकारी छथि। जँ इ कथन सत्य हो तँ इ मानल जा सकैत अछि जे भारशिव नाग वंशक आधिपत्य सेहो मिथिलापर छल। भर लोकनिक अनेक किंवदंती एखनो मधेपुरामे पाओल जाइत छैक। मरूण्डाइ, भर, किरात आदि जाति सबहिक प्रभुत्व मिथिलाक किछु खासखास अंसेपर रहल हेतैक। एहेन अनुमान लगाओल जाइत छैक जे मौर्य लोकनिक पतनक पछाति लिच्छवी लोकनि अपन अस्तित्वक पुनः स्थापितमे लागि गेल हेताहकुषाण लोकनिक प्रभुत्वसँ हुनका लोकनिकेँ धक्का पहुँचल हेतन्हि आ ओहि अनिश्चितताक अवस्थासँ लाभ उठाकेँ भारशिव नाग वंशक लोग मिथिलाक क्षेत्रमे अपन सत्ता स्थापित कएने होएताह। कुषाणक प्रभावक वृद्धि भेलापर लिच्छवी लोकनि ओतएसँ हँटिकेँ जे नेपाल गेलाह से अपन प्रभुत्व कायम केलन्हि आ तहियासँ करीब ७०० वर्ष धरि ओतए शासन करैत रहि गेलाह। ओहि लिच्छवी लोकनिक सम्बन्ध पाटलिपुत्रसँ सेहो छल। एक परंपरामे तँ इहो सुरक्षित अछि जे लिच्छवी लोकनि पाटलिपुत्रपर सेहो शासन करैत छलाह आ नेपाली शिलालेखक अनुसार सुपुष्प लिच्छवीक जन्म पाटलिपुत्रमे भेल छलन्हि।
लिच्छवीक अंत:- अजातशत्रुक पछाति लिच्छवी लोकनिक इतिहास संदिग्ध भऽ जाइछ। कौटिल्यक अर्थशास्त्रमे गणराज्यक रूपमे हुनका लोकनिक उल्लेख अछि मुदा कोनो प्रामाणिक इतिहास हुनका लोकनिक अद्यावधि नहि भेटल अछि। लिच्छवी जाति एवँ राष्ट्रक रूपमे जीवित रहलाह आ आठ सौ वर्ष बाद पुनः बिहारक इतिहासमे अपन उचित भूमिकाक निर्वाह करैत लगभग ७०० वर्ष धरि नेपालपर सेहो शासन केलन्हि मुदा तइयो कोनो एकटा प्रामाणिक इतिहास हुनका लोकनिक नहि भेटइयै। हितनारायण झाक शोध प्रबन्ध जे लिच्छवीपर छन्हि ताहुमे कोनो विशेष नव बात देखबामे नहि अवइयै आ ने कोनो नव तथ्यक उद्घाटने भेल अछि। नेपालक लिच्छवीकेँ सूर्यवंशी लिच्छवी कहल गेल छन्हि। तिब्बती परंपराक अनुसार तिब्बतक प्रारंभिक शासककेँ लिव्य कहल जाइत छलैक आ हुनका लोकनिककेँ विदेशी बुझल जाइत छलन्हि। एहिसँ इ अनुमान लगाओल जाइत अछि जे लिच्छवीक एक शाखा नेपालमे बसल आ दोसर शाखा तिब्बतमे। नेपालमे लिच्छवी लोकनि राजतंत्रात्मक प्रणालीक समर्थक बनलाह। संभवतः अपन वैशालीक अनुभव हुनका राजतंत्रात्मक पद्धति तैं अपनेबापर बाध्य केने होन्हि से एकटा विचारणीय विषय। तिब्बतमे सेहो इ लोकनि राजतंत्रात्मक सत्ताक समर्थक बनि गेलाह। सब किछु होइतहुँ तिब्बत नेपाल आ वैशालीक लिच्छवीक मध्य एक प्रकारक सम्बन्ध बनले रहल आ हुनका लोकनिक आप अपनौती सेहो बनल रहलैन्ह। नेपालक लिच्छवी लोकनि ब्राह्मण आ बौद्ध धर्मक समर्थक रहलाह आ हुनके लोकनिक समयमे शैव आ शाक्तक प्रधानता सेहो बढ़ल।
जयदेव द्वितीय (नेपाल)क शिलालेखक अनुसार लिच्छवी लोकनि किछु दिन धरि मगधक शासक सेहो छलाह। हुनक पूर्वज सुपुष्पक जन्म पाटलिपुत्रमे भेल छलन्हि। सुपुष्पक जन्म संभवतः प्रथम शताब्दीमे भेल छलन्हि आ तखन कुषाण लोकनिक प्रधानता रहल होएत। इ अनुमान लगाओल जाइत अछि जे ओ लोकनि कुषाणक सत्ताकेँ स्वीकार कए अपन अस्तित्वक रक्षा कएने होएताह। एहिमे सँ जे विशेष स्वाभिमानी रहल होएताह से अपन स्वतंत्रताक रक्षार्थ नेपाल दिसि बढ़ि गेल हेताह। कनिष्कक परोक्ष भेलापर पुनः लिच्छवी लोकनि अपन स्वतंत्रताक स्थापना करबामे संभव भेल होएताह। नेपालमे जाकए ओ लोकनि राजतंत्रात्मक पद्धतिकेँ अपनौलन्हि आ तैं संभवतः समुद्रगुप्त हुनका लोकनिकेँ जीति अपन राज्यक अंतर्गत कएने होएताह।
       लिच्छवी राजकुमारीक विवाह एक महत्वाकाँक्षी साम्राज्यवादी राजकुमारक संग हैब एकटा आश्चर्यक बात बुझि पड़इयै। लिच्छवी लोकनि तखन स्वयं गणराज्यक सिद्धांतमे विश्वास करैत छलाह अथवा नहि से एकटा विचारणीय विषय। दोसर बात इ ओ लोकनि सेहो पाटलिपुत्रकेँ जीतकेँ ओहिपर राज्य करैत छलाह जाहिसँ इ स्पष्ट होइछ जे लोकनि अपन पुरान आदर्शवादी गणराज्यक सिद्धांतक परित्याग कऽ चुकल छलाह। इहो संभव अछि जे जखन अजातशत्रुक हाथे ओ पराजित भेलाह तखन वैशालीक पुरान प्रतिष्ठा लुप्त भऽ चुकल छल आ ओहि मध्य जे महत्वाकाँक्षी राजनेता छलाह से समय पाबि मौर्य साम्राज्यक पराभव देखि मगधपर आक्रमण कए अपन हारक बदला चुकौलनि आ पाटलिपुत्रपर अपन शासन स्थापित केलन्हि। गणराज्यक सिद्धांतक प्रति हुनक सहानुभूति भने रहल होन्ह परञ्च वास्तविकता इ अछि गुप्त साम्राज्यक पूर्व उहो अप्रत्यक्ष रूपें राजतंत्रात्मक पद्धतिक समर्थक भऽ गेल छलाह आ चन्द्रगुप्त प्रथमकेँ होनहार देखि अपन पुत्रीसँ हुनक विवाह कराओल। मगध साम्राज्यक उत्कर्ष लिच्छवीक एहि योगदानसँ सहायता भेटलैक आ गुप्त साम्राज्यक शासन कालमे गणराज्य परम्पराक बचल खुचल अवशेष समाप्त भेल। इ एक एहेन विषय अछि जाहि दिसि विद्वानक ध्यान आकृष्ट नहि भेल छन्हि आ जाहिपर नीक जकाँ सोचल नहि गेल अछि। मिथिलाक इतिहासक दृष्टिकोणे इ एकटा अत्यंत महत्वपूर्ण शोधक विषय थिक।
       कौमुदी महोत्सव नाटक एहि पक्षपर विशेष प्रकाश दैत अछि। एहि ग्रंथक आधारपर हम जनैत छी कल्याणवर्मनक पिता सुन्दरवर्मनक मृत्यु पाटलिपुत्रक रक्षा करैत भेलन्हि। ओहि समयमे पाटलिपुत्रपर चन्डसेन आ लिच्छवी घेरा डालने छलाह। सुन्दरवर्मन क्षत्रिय पाटलिपुत्रक शासक छलाह। सुन्दरवर्मनक वंशकेँ मगध वंश (कोटकुल) कहल गेल छैक। सुन्दरवर्मन चण्डसेनकेँ अपन कृतक पुत्रक रूपमे ग्रहण केने छलाह। लिच्छवी लोकनि एहि मगध कुलक विरोधी छलाह तथापि चण्डसेन लिच्छवी राजकुमारीसँ विवाह केलन्हि परञ्च ताहि बीच बुराढ़ीमे सुन्दरवर्मनकेँ एकटा पुत्र उत्पन्न भेलन्हि जाहि दुआरे राजगद्दीपर चण्डसेनक अधिकारपर प्रश्नसूचक चेन्ह लागि गेलन्हि। मगधकुल होइतहुँ चण्डसेन पाटलिपुत्रपर अपन घेरा डललन्हि आ राजधानी कुसुमपुरकेँ चारूकातसँ घेर लेलन्हि। एहिकाजमे हुनका अपन सासुरक लोग (लिच्छवी) सबसँ बड्ड साहाय्य भेटलन्हि आ ओ विजयी भऽ मगधपर अपन राज्यक स्थापना केलन्हि। सुन्दरवर्मनक अपन पुत्र कल्याणवर्मन अपन प्रधानमंत्री मंत्रगुप्त आ सेनापति कुँजरक संग मिलि मगध राज्यकेँ बचेबाक अथक प्रयत्न केलन्हि। एहि बीच मगध राज्यक सीमापर सबर आ पुलिन्द जातिक लोग विद्रोह कऽ देलन्हि आ चण्डसेन हुनका लोकनिकेँ नियंत्रणमे अनबाक हेतु पाटलिपुत्र छोड़िकेँ बहरेला। इ विद्रोह मंत्रगुप्तक मंत्रणाक फल छल। चण्डसेनक अनुपस्थितिमे मंत्रगुप्त नगर परिषदक सदस्यक संग मंत्रणा केलन्हि आ कल्याणवर्मनक हेतु मार्ग प्रशस्त सेहो। कल्याणवर्मन तुरंत पाटलिपुत्र बजाओल गेल आ हुनका राजगद्दीपर बैसाओल गेल। सुरसेन आ मथुरा तथा यादवक संग मित्रताक सम्बन्ध स्थापित भेल। मथुराक राजकुमारी कीर्त्तिमतिसँ कल्याणवर्मनक विवाह भेल।
       स्वर्गीय काशी प्रसाद जायसवालक कथन छन्हि जे इएह चण्डसेन चन्द्रगुप्त प्रथम छलाह आ लिच्छवीक संग हुनक विवाह भेल छलन्हि। वनस्फर (कनिष्कक राज्यपाल)क समयमे लिच्छवी लोकनि वैशाली दिसि चल आएल छलाह परञ्च कनिष्कक अवसान भेलापर ओ पुनः पाटलिपुत्रक सीमा धरि अपन अधिकार बढ़ा लेने छलाह। लिच्छवी लोकनिक प्रोत्साहनेपर चण्डसेन अपन कृत्रिम पिताक विरूद्धमे विरोध कएने छलाह। लिच्छवी लोकनिकेँ इ पसिन्न नहि छलन्हि जे कल्याणवर्मन मगधक गद्दीपर रहैथ। कल्याणवर्मनकेँ भगेबाक प्रयास भेलकल्याणवर्मन जे मगधमे बजाकेँ गद्दीपर बैसाओल गेल छलाह ताहि उत्सवक हेतु ओ कौमुदी महोत्सव मनौने छलहि आ ओहि घटनासँ प्रेरित भऽ कवियत्रि किशोरिका वज्जिका कौमुदी महोत्सव नामक नाटकक रचना केलन्हि। एहिमे लिच्छवीकेँ म्लेच्छ आ चण्डसेनकेँ कारस्कर कहल गेल छैक। चण्डसेनक विवाह लिच्छवीसँ भेला उत्तर ओ कल्याणवर्मनकेँ पराजित करबामे एवँ पुलिन्द एवँ शवर लोकनिक विद्रोहकेँ दबेबामे समर्थ भेलाह आ पाटलिपुत्रमे एक नव राजवंशक स्थापनामे सेहो। प्रयाग प्रशस्तिक कोटकुलकेँ जायसवाल एहि मगध कुलसँ मिलबैत छथि।
कौमुदी महोत्सवक घटनाक प्रामाणिकताक लऽ कए विद्वान लोकनिमे बड्ड विभेद छन्हि। चन्द्रगुप्तक पिता घटोतचकगुप्त स्वयं राजा छलाह परञ्च कौमुदी महोत्सवमे चण्डसेनकेँ हटेबाक उल्लेख अछि। दोसर गप्प इहो अछि जे ओहि कालमे मगधपर लिच्छवीक प्रधानता छल। जखन गुप्तवंशक उत्थान होइत छलैक तखन पाटलिपुत्र धरि लिच्छवी लोकनि अपन प्रसार कऽ चुकल छलाह। ताहि कालमे कहल जाइत अछि जे मगधमे कोनो क्षत्रिय वंशक शासन छल जकरा उखाड़बाक लेल दक्षिणपश्चिमसँ गुप्त लोकनि बढ़ल अबैत छलाह आ एम्हर पूवउत्तर दिसिसँ लिच्छवी लोकनि। एवँ प्रकारे राजनैतिक दृष्टियें गुप्त आ लिच्छवी दुनूक सम्मिलित उद्देश्य छल मगधक क्षत्रिय राजवंशकेँ अंत करबाक। एहना स्थितिमे दुनूक बीच वैवाहिक सम्बन्धक स्थापना तत्कालीन मान्य राजनितिक परिकल्पनाक प्रमुख अंग छल आ तैं इ कोनो अस्वाभाविक बात नहि बुझाइत अछि। गुप्तक पूर्वक स्थिति पाटलिपुत्रमे कि छल से निश्चित रूपे कहब अंसभव। किछु गोट एक मत छन्हि जे प्राक्गुप्त कालमे मगधमे शकसीथियन लोकनिक शासन छल परञ्च जायसवाल एहि बातकेँ नहि मानैत छथि आ हुनक विश्वास छन्हि जे वर्मन लोकनिक शासन ताहि दिन (कौमुदी महोत्सवक अनुसार)मे मगधमे छलन्हि। वर्मन लोकनिकेँ किछु गोटए आन्ध्रक वंशज सेहो मनैत छथि।
       लिच्छवीक संग गुप्तक वैवाहिक सम्बन्ध प्राचीन भारतीय इतिहासक एकटा महत्वपूर्ण घटना मानल गेल अछि आ एकरे फले गुप्त साम्राज्यक उत्कर्ष संभव भेल। लिच्छवी आ मगधक एहि सम्बन्धसँ दू राज्यक मिलन भेलैक आ गुप्त साम्राज्यक नींव पड़लैक। गुप्त अभिलेखमे जाहि ढ़ँगे लिच्छवीकेँ महत्व देल गेल छैक ताहिसँ प्रामाणित होइत अछि जे तखन धरि लिच्छवीक महत्व घटल नहि छलैक। इ ठीक जे एहि वैवाहिक सम्बन्धक बाद आ गुप्त साम्राज्यक स्थापनाक संगहि गणराज्यक अवसान भऽ गेलैक मुदा लिच्छवी आ वैशाली तइयो इतिहासमे जीवित रहल। गुप्त साम्राज्यक पतन पछाति विदेहवैशालीक प्राचीन गणराज्यक गौरव समाप्त भऽ गेल आ परञ्च दुनूक नाम इतिहासमे अमर रहल। फाहियान, हियुएन संग, इत्सिंग, सूंगयुन आदि चीनी यात्री लोकनि एतए एलाह आ एहिठामक वैभवकेँ देखि आश्चर्य चकित भऽ गेलाह। ६३५मे जखन हियुएन संग एते आएल छलाह तखन वैशाली पतनोन्मुख छल। प्राचीन अवशेष मात्र लोकक मोनमे सुरक्षित छल। एतेक बादो वैशालीक प्रतिष्ठा विदेशोमे बनल छल तकर सबसँ पैघ प्रमाण इ अछि ७८९ ई.मे अराकान (बर्मा)क चन्द्रवंशक शासक ओतए वैशाली नामक एकटा नगर बसौने छलाह। करीब २०० वर्ष धरि इ बौद्ध धर्मक एकटा प्रधान केन्द्र बनल छल। इएह स्थान आव वेत्थाली नामे प्रसिद्ध अछि। इ अखन अम्याब जिलामे अछि। बर्मा परम्परामे एकटा कथा सुरक्षित अछि जाहिमे कहल गेल अछि जे बर्माक राजा अनिरूद्ध (१०४४१०७७) वैशालीक एकटा राजकुमारीसँ विवाह केने छल आ ओकर पुत्र जे बर्माक राजा भेलैक से बड्ड नामी आ प्रतापी भेलैक।
       चीनी यात्री आ वैशाली:- फाहियानक यात्रा विवरणसँ वैशालीक महत्वक पता लगइयै। वैशाली बौद्ध धर्मक प्रधान केन्द्र छल आ तैं चीनी यात्री एते अबैत छलाह। एहिठाम बुद्ध अपन परिनिर्वाणक घोषणा कएने छलाह। षष्ठम शताब्दीमे दोसर चीनी यात्री वांगहियुएन सी दुइ बेर वैशाली आएल छलाह आ ओ अपन दोसर यात्रामे बौद्ध महात्मा सबकेँ ओढ़नपहिरन दानमे देने छलथिन्ह। ओहि शताब्दी तेसर चीनी यात्री सुंगयुन सेहो आएल छलाह। हुनका द्वारा वर्णित बातमे ४० टा देश सबहिक नाम अछि जाहिमे टी एल. लो (Tiel–Lo) नामक एक स्थान छैक जकरा किछु गोटए तिरहुत मनैत छथि। सुंगयुनक अनुसारे एहि प्रदेशपर हूण लोकनिक आधिपत्य छल। सुंगयुनक एहि विवरणक समर्थन आन कोनो साधनसँ नहि होइछ आ तिरहुतपर हूण साम्राज्यक प्रभावक कोनो टा प्रमाण एखन धरि नहि भेटल अछि तैं Tiel–Loकेँ मानबामे संदेहक गुंजाइश बनल अछि। हियुएन संग सेहो तिरहुत आएल छलाह। ओ अशोक द्वारा निर्मित्त स्तूपक उल्लेख कएने छथि। हुनक विवरणसँ इहो ज्ञात होइछ जे हुनका समय तिरहुतपर हर्षवर्धनक आधिपत्य छल आ हुनक पाँच भारतमे तिरहुतकेँ एकटा प्रमुख स्थान प्राप्त छलैक।
       हर्षक मृत्युक पछाति वांगहियुएनसी नामक एकटा शिष्टमंडलक नेता बनिकेँ आएल छलाह आ हुनका तिरहुतक गवर्नर अरूणाश्वसँ युद्ध भेल छलैन्ह जकर विवरण यथास्थान देल जाएत। सातम शताब्दीमे इत्सिंग नामक एकटा आ चीनी यात्री तिरहुत आएल छलाह। चीनी यात्री लोकनिक लेखसँ इ स्पष्ट होइछ जे उत्तर विहारमे किछु एहेन महत्वपूर्ण धार्मिक केन्द्र छल जतए चीनी यात्री लोकनि अपन श्रद्धा प्रदर्शित करबाक हेतु जाइत छलाह। एहि सब सिन्चे मंदिर सर्वाधिक महत्वपूर्णकेँन्द्र छल जाहिठाम निम्नलिखित यात्री आएल छलाह
i) ह्वेनचिउ(प्रकाशमति) सिनचेमे बहुत दिन धरि रहि नेपाल आ तिब्बत बाटे घुरल      छलाह।
ii) ताओहि (श्री देव) कोशी प्रांतमे रहैत छलाह।
iii) सिनचिउ (चरित वर्मा) सिन्चे मंदिरमे रहैत छलाह।
iv) चिंगहिंग (प्रज्ञादेव) सिन्चे मंदिरक निरीक्षण केने छलाह।
v) ताँग नेवैशाली आ कोशी देशक यात्राकेँने छलाह।
vi) ह्वीनलुन (प्रज्ञावर्मा) सिन्चे मंदिरमे आएल छलाह।
       सिन्चे मंदिरक वास्तविक स्थलक जानकारी अद्यावधि प्राप्त नहि अछि। परञ्च इ मंदिर छल कतहु तिरहुतमेवैशाली आ कोशी प्रदेशक मध्य। इ निश्चय एकटा प्रसिद्ध बौद्ध केन्द्र रहल होएत। सुदुर पूर्वक यात्री लोकनि एहिठाम एकत्रित होएत छलाह आ धार्मिक उद्देश्यक पूर्तिक हेतु एतए रहितो छलाह। प्रसिद्ध शिक्षा केन्द्रक हिसाबे सेहो इ स्थान प्रसिद्ध रहल होएत।


























अध्याय
३२० ई.सँ १०९७ ई. धरिक
मिथिलाक राजनैतिक इतिहास
गुप्तवंशक उत्थान भारतीय इतिहासमे एकटा महत्वपूर्ण घटना मानल गेल अछि। मिथिलाक हेतु एकर महत्व एहि लेल बढ़ि जाइत छैक कि मिथिलाक वैशालीक राजकुमारीक संग विवाह भेला उत्तरे चन्द्रगुप्त प्रथम साम्राज्य निर्माण करबामे सफल भेलाह। दोसर बात इहो जे एहि वैवाहिक सम्बन्धक बाद वैशालीक प्राचीन गणराज्यक परम्परा सेहो संभवतः समाप्त भऽ गेल आ वैशाली आब पूर्णरूपेण मगध साम्राज्य एकटा प्रमुख अंग बनि गेल। लिच्छवीक सम्बन्ध जतवा जे परिकल्पना भऽ सकइयै तकर विवेचन हमरा लोकनि पूर्वहिं कऽ चुकल छी आ ओहिसँ इहो स्पष्ट भेल अछि जे कोनो ने कोनो प्रकारे गुप्त साम्राज्यक उत्कर्षक पूर्वहिंसँ लिच्छवी आ पाटलिपुत्रक बीच घनिष्ठ सम्बन्ध छल। जँ लिच्छवीक कोनो महत्व नहि रहैत तँ चन्द्रगुप्त प्रथम हुनका सब संग वैवाहिक सम्बन्ध स्थापिते किएक करितैथि। गुप्त लोकनिक जे साम्राज्य विजयक सूची भेटइत अछि ताहिमे वैशालीक नाम नहि अछि यद्यपि नेपालक नाम अछि आ तैं आधारपर इ अनुमान लगायब युक्तिसंगत बुझि पड़इयै जे वैशाली तँ प्रारंभहिंसँ हुनका लोकनिक साम्राज्यक अंग छल। वैशालीक शक्ति हुनका लोकनिक साम्राज्य निर्माणमे सहायक भेलन्हि। पुराणमे वर्णित क्षेत्रमे वैशालीक नाम नहि अछि
अनुगंगाप्रयागंच साकेतम् मगधिस्तथा
एतान जनपदान सर्व्वान् भोक्षयंते गुप्तवंशजाः॥
पतंजलिक एहि प्रकार एकटा वाक्य तुलना करबाक योग्य अछि
अनु गंगंहस्तिनापुरम्
अनुगंगं वाराणसी;
अनु शोणम् पाटलिपुत्रम्”–
       समुद्रगुप्तक प्रयाग प्रशस्तिमे सेहो वैशालीक उल्लेख नहि रहब एहि तथ्यक समर्थन करैत अछि जे वैशालीक विजय करबाक आवश्यकता गुप्त लोकनिक हेतु आवश्यक नहि छल कारण इ तँ गुप्त लोकनिक अपन छलन्हि आ कुमार देवीक जे महत्व सिक्का आदिमे भेटल छन्हि सेहो एहि बातकेँ पुष्ट करइयै। समुद्रगुप्तकेँ सर्व राजोच्छेत्ता कहल गेल छन्हि।
       वैशालीक प्रधानताक प्रमुख कारण इएह छल जे कुमार देवीसँ विवाह केला उत्तरे गुप्त लोकनि लिच्छवीक सहायतासँ पाटलिपुत्रपर अधिकार करबामे समर्थ भेल छलाह। कुमार देवीक दिसिसँ हुनका लोकनिकेँ वैशाली राज्य भेटल छलन्हि। समस्त तिरहुत गुप्त साम्राज्यक एकटा प्रमुख केन्द्र छल आ वैशाली ओहि प्रांतीय राज्यक राजधानी। वैशालीक महत्व तँ अहुसँ सिद्ध होइछ जे एहिठामक राज्यपाल युवराजे होइत छलाह आ गोविन्द गुप्त युवराज एहिठामक राज्यपाल छलाह तकर प्रमाण अछि वैशालीसँ प्राप्त अभिलेख। गुप्तलेखमे एहि क्षेत्र तीरभुक्ति कहल गेल छैक। लिच्छवी दौहित्र कहिकेँ अपनाकेँ गौरवान्वित बुझनिहार समुद्रगुप्तक उक्तिसँ एतवा धरि स्पष्ट अछि जे ताहि दिनमे लिच्छवीक प्रतिष्ठा आ प्रभुत्व दुनू बनल हेतैन्ह आ वैवाहिक सम्बन्धक कारणे इ दुनू चीज गुप्त लोकनिकेँ स्वयंमेव उपलब्ध भेल होएतन्हि। मौर्य साम्राज्यक पछाति जे विकेन्द्रीकरणक प्रवृत्ति बढ़ल आ मगधपर बरोबरि आक्रमणक ताँता लागल रहल ताहिसँ लाभ उठाए लिच्छवी लोकनि अपन पुरान गौरवकेँ पुर्नस्थापित करबामे सफल भेलाह आ अपन सीमाकेँ नेपालसँ तिब्बत धरि बढ़ौलन्हि आ क्रमेण पाटलिपुत्रक सीमा धरि सेहो। जँ से बात नहि रहैत तँ चन्द्रगुप्त प्रथम अपन रानीक नामे सिक्का किएक बनावतैथ अथवा समुद्रगुप्त अपनाकेँ लिच्छवी दौहित्र कहबा किएक गौरवान्वित बुझितैथ। वैशालीक उत्खननसँ प्राप्त एकटा मोहरपर लिखल अछि–“महाराजाधिराज श्री चन्द्रगुप्त पत्नी महादेवी श्री ध्रुवस्वामिनी”–
       ओहिसँ प्राप्त सामग्रीक आधारपर इ बुझबामे अवइयै जे तिरहुत प्रांतीय शासनक एकटा प्रमुख केन्द्र छल आ से तीरभुक्तिक विषयमे अनेक सामग्री भेटल अछि जाहिसँ ओत्तुका तत्कालीन शासन पद्धति एवँ समाजक व्यवस्थाक सम्बन्धमे ज्ञान प्राप्त होइछ। प्रांतीय आ नगर शासनक एहेन सुन्दर चित्रण आनठाम भेटब अंसभव। चन्द्रगुप्त द्वितीय विक्रमादित्यक समयमे एहिठामक राज्यपाल छलाह युवराज गोविन्दगुप्त। गुप्तयुगमे मिथिलाक सीमा पश्चिममे श्रावस्ती भुक्तिसँ मिलैत छल आ पूवमे पुण्ड्रवर्द्धन भुक्तिक किछु अंश सेहो मिथिलाक अंतर्गत रहल होएत जतए करण कायस्थ लोकनि दत्त पदवीधारी कैक पुस्त धरि राज्यपालक पदपर रहला आ जनिक अभिलेख सम्प्रति उपलब्ध अछि। मिथिलाक सीमा ताहि दिनमे पश्चिममे श्रावस्ती भुक्ति, उत्तरमे नेपाल, दक्षिणमे श्रीनगर भुक्ति आ पूवमे पुण्ड्रवर्द्धन भुक्तिक सीमासँ मिलैत जुलैत छल आ इ गुप्त शासनक एकटा प्रधान केन्द्र छल आ एकर महत्व एतेक छलैक जे राज्यवंशक लोक स्वयं एकरा अपना चार्जमे रखैत छलाह। गुप्त साम्राज्यक शासन पद्धतिक अध्ययन बसाढ़क उत्खननसँ प्राप्त सामग्रीक बिनु संभव नहि छल। अखनो ओहिमे कतेक रास एहनो शब्द अछि जकर अर्थ स्पष्ट नहि भऽ रहल अछि।
       निम्नलिखित प्रशासनिक शब्दावली ओहिठामसँ प्राप्त अछि
i.) उपरिक
ii.) कुमारामात्य 
iii.) महाप्रतिहार
iv.) तलवर
v.) महादण्डनायक
vi.) विनय स्थिति स्थापक
vii.) भट्टाश्वपति
viii.) युवराजपादीय कुमारामात्याधिकरण
ix.) रणभाण्डागाराधिकरण
x.) बलाधिकरण
xi.) दण्डपाशाधिकरण
xii.) तीरभुक्तौ विनयस्थिति स्थापकाधिकरण
xiii) वैशाल्याधिष्ठानाधिकरण
xiv.) श्री परमभट्टारक पादीय कुमारामात्याधिकरण
xv.) तीरभुक्त्युपरिकाधिकरण
       वैशालीसँ प्राप्त अवशेष सबहिक आधारपर इ प्रामाणिक रूपें कहल जा सकइयै जे गुप्तयुगमे एहि क्षेत्रमे एकटा सुसंगठित शासन प्रणाली छल आ एकरे आदर्श मानि गुप्त साम्राज्यमे प्रांतीय आ स्थानीय शासन प्रणालीक स्थापना भेल छल। दामोदरपुरसँ प्राप्त ताम्रलेख एहिबातक साक्षी अछि। भुक्ति ताहि दिनमे प्रांत अथवा प्रमण्डलक द्योतक छ्ल। अधिकरण शब्द सचिवालयक द्योतक थिक आ प्रत्येक विभागकेँ अपनअपन अधिकरण होइत छलैक जेना कि उपरोक्त विवरणसँ स्पष्ट अछि। प्रांतमे प्रसिद्ध होइत छलाह राज्यपाल, सेनापति, प्रतिहार आ अन्यान्य पदाधिकारी। युवराजक अधीन सेहो मंत्री लोकनि रहैत छलथिन्ह आ कोषाध्यक्ष, युद्धविभाग, न्याय विभाग, नियंत्रण विभाग आदिक पदाधिकारी एवँ कर्मचारी लोकनि सेहो प्रांतीय सचिवालयमे रहैत छलाह। स्थानीय शासनक दृष्टिकोणे वैशालीक अपन अलग अधिष्ठान स्थल आ ओकर सचिवालयकार्यालय सेहो फराके रहैत छ्ल। साम्राज्यक शासन यंत्रक अपन मुख्यालय होइत छलैक जे प्रांतीय कार्यालय कहबैत छल आ स्थानीय शासनक अलग कार्यालय होइत छलैक। स्थानीय कार्यालय होएब अहुलेल आवश्यक छल कि ओहि संस्थाकेँ स्थानीय मामलापर विचार करए पड़इत छलैक। वैशाली एकटा प्रसिद्ध व्यापारक केन्द्र सेहो छल आ व्यापारी लोकनिक सेहो अपन संगठन छलन्हि जे श्रेष्ठीसार्थवाहकुलिकनिगम शब्दसँ ज्ञात होइछ। प्रांतीय शासन विभागक अतिरिक्त एहिठामक स्थानीय शासन सेहो वेस संगठित छल जेना कि उपयुक्त सूचीसँ ज्ञात होइछ। वैशालीक नगर शासन व्यवस्था सुन्दर छल।
       उदानकूप परिषदक उल्लेखसँ स्थानीय शासनक बोध होइछ। वैशालीक व्यावसायिक संगठन, निगम, श्रेणी, सार्थवाह, कुलिक आदि सेहो अपन मोहर रखैत छलाह। बैंक प्रणाली नीक जकाँ वैशालीमे संगठित छलकुलिक शब्द एकर संकेत थिक। प्रथम कुलिकक उल्लेख सेहो कैकटा मोहरपर भेटइत अछि। वसाढ़, भीठ, बंगाल आदि स्थानक उत्खननसँ प्राप्त सामग्रीक आधारपर इ कहल जा सकइयै जे गुप्तकालीन शासनव्यवस्थाक स्वरूपमे एकरूपता छल आ एकर श्रेय गुप्त सम्राट लोकनिकेँ छलन्हि। ओना वैशाली तँ अतिप्राचीन कालसँ प्रशासनक प्रधान केन्द्र बनल आ ओहिठाम गणतांत्रिक परम्पराक प्रभाव गुप्तयुगक शासन संगठनमे सेहो देखल जा सकइयै। समुन्नत आर्थिक जीवनक हेतु सुगठित शासन प्रणाली आवश्यक बुझल जाइत अछि आ वैशालीकेँ जे बैंकक प्रणाली सेहो संगठित छल से उपरोक्त कथनकेँ आ समर्थन दैत अछि। श्रेष्ठी, कुलिक, निगम आदिक अलगअलग सभापति होइत छलैक आ ओहिमे जे श्रेष्ठ होइत छलहि हुनका प्रथमक विशेषसँ विभूषित कैल जाइत छलन्हि। व्यापारी आ बैंकर लोकनि अपन पत्राचार आ कारोबारमे अपनअपन मोहरक व्यवहार करैत छलाह। ओहिठाम बहुत मुद्रापर श्रेष्ठी निगमस्य सेहो उल्लिखित अछि आ बहुतो गोटएक नाम सेहो ओहि मुद्रा सबसँ भेटइत अछि। जेना उदाहरणार्थ निम्नलिखित नाम देल जा सकइयै हरि, उमाभट्टा, नागसिंह, सालिभद्र, धनहरि, उमापलित, वर्ग्ग, उग्रसेन, कृष्णदत्त, सुखित, नागदत्त, गोण्ड, नन्द, वर्म्म, गौरिदासइ सब केओ कुलिक छलाह। सार्थवाहमे डोड्डकक नाम आओर श्रेष्ठीमे षष्ठिदत्त, आ श्रीदासक नामक उल्लेख अछि। एहने एक मुद्रा बेगूसरायसँ प्राप्त भेल अछि जाहिपर सुहमाकस्यश्री समुद्र लिखल अछि। पुण्ड्रवर्धन भुक्तिक ओहि क्षेत्रमे जे तीरभुक्तिक भौगोलिक सीमाक समीप पड़इत छल ताहिपर कैक पुस्त धरि जे दत्त करण (कायस्थ लोकनि) राज्यपाल छलाह तकर प्रमाण गुप्त अभिलेखसँ भेटइत अछि। चिरातदत्त, जयदत्त, ब्रह्मदत्त, स्थाणुदत्त, जीवदत्त, आदिक नाम गुप्त अभिलेखमे अछि। चिरातदत्त उपरिक छलाह। प्रांतीय शासनक हेतु जे बोर्ड होइत छल ताहिमे श्रेष्ठी, निगम, कुलिक, सार्थवाहक एक एकटा प्रतिनिधिक अतिरिक्त ओहिमे प्रथम कायस्थ सेहो रहैत छलाह। उपरिकक पदक वंशानुगत हैव एहि बातक संकेत दैत अछि जे ताहि दिनमे सामंतवादी प्रवृत्तिक विकास भऽ चुकल छल। पुण्ड्रवर्द्धन भुक्तिक सीमा हिमालयमे वाराह क्षेत्र धरि पसरल छल आ ओहिठाम कोकामुख स्वामी नामक एकटा प्रधान तीर्थ सेहो छल तैं एहि क्षेत्रकेँ मिथिलाक क्षेत्र मानव स्वाभाविके कारण इ मिथिलाक भौगोलिक सीमामे पड़इयै। गुप्तयुग धरि मिथिला गुप्त साम्राज्यक एकटा प्रमुख अंग बनल रहल।
       गुप्त साम्राज्यक अंतिम दिनमे मिथिलाक इतिहासमे पुनः एकटा अनिश्चितताक स्थिति आबि गेल। गुप्त लोकनिक एकटा प्रांतीय राज्यपाल यशोधर्मन एहि स्थितिसँ लाभ उठाए अपन अधिकारक विस्तारमे लागि गेलाह आ लौहित्य (असम) धरिक क्षेत्रकेँ जीतकेँ अपना अधीनमे केलन्हि। एहि क्रममे ओ पुण्ड्रवर्द्धनक उपरिक दत्त लोकनिकेँ पराजित कए ओहु क्षेत्रपर अपन अधिकार बढ़ौलन्हि आ दत्त लोकनिक पुस्तैनी गवर्नरी एकर बाद समाप्त भऽ गेलैन्ह। एहि आधारपर हम इ अनुमान लगा सकैत छी जे किछु दिनक हेतु यशोधर्मनक प्रभुत्व मिथिलोमे अवश्य रहल हेतैन्ह। ५३३क मंदसोर अभिलेखसँ हमरा लोकनिकेँ उपरोक्त बातक ज्ञान होइछ। यशोधर्मन हूण लोकनिकेँ पराजित कए यशक अर्जन कएने छलाह आ तैं भारतमे ताहि दिनमे हुनक प्रतिष्ठा विशेष छलन्हि। परञ्च हुनक विजयाभियान बहुत दिन धरि नहि टिकलन्हि आ शीघ्रहिं हुनक राज्य समाप्त भऽ गेलैन्ह। मिथिलाक हेतु अनिश्चितताक अवस्था बनले रहल।
       यशोधर्मन ओम्हर अपन डफली बजा रहल छलाह आ एम्हर पूबमे उत्तर गुप्त लोकनि गुप्त साम्राज्यक पतन (५५४ इ.)सँ लाभ उठाए अपन अस्तित्वकेँ सुरक्षित करबामे एवँ मजबूत करबामे लागि गेल छलाह। बिहारमे ओहि युगमे मौखरी लोकनि सेहो अपन अधिकार जमेबाक चेष्टामे लागल छलाह। एहि अनिश्चितताक स्थितिसँ तँ सब केओ लाभ उठबे चाहिते छलाह आ तैं चालूक्य कीर्त्तिवर्मन सेहो अंग, मगध, आ वंगपर आक्रमण केलन्हि। उत्तरगुप्त, मौखरी आ अन्यान्य शासकक बीच ताहि दिन आधिपत्यक हेतु संघर्ष चलि रहल छल। जीवित गुप्त अपन प्रयासमे सफल भेल होएताह से अन्दाज लगाओल जा सकइयै। मगधक शासक महासेन गुप्त असम धरि अपन अधिकार क्षेत्रक विकास केलन्हि आ तैं इ अनुमान लगाओल जाइत अछि जे ओ मिथिलापर सेहो अपन आधिपत्य कायम केने हेताह। ताहि दिनक स्थिति इ छल कि जहाँ कोनो एक राज्य कमजोर भेल कि दोसर ओकरापर टुटि पड़इत छल आ ओकरा अपना अधीन कऽ लैत छल। संभव अछि जे मौखरी लोकनि अपन साम्राज्य विकासक क्रममे मिथिलोकेँ अपना अधीनमे कऽ लेने होथि। कटरा (मुजफ्फरपुर)सँ जीवगुप्तक एकटा अभिलेख भेटल अछि परञ्च ओहिसँ राजनैतिक इतिहासपर तत्काल कोनो आलोक नहि पड़ि रहल अछि। कामरूपक वर्मन वंशक शासक लोकनि सेहो मिथिलाक पूर्वी क्षेत्र पूर्णियाँपर कैक पुस्तसँ अधिकार जमा लेने छलाह। गुप्त साम्राज्यक पतनक बाद मिथिलाक इतिहास अंधकारमय भऽ जाइत अछि आ कोनो संगठित एवँ नियोजित इतिहासक संकेत कतहुसँ नहि भेटइत अछि। चारूकात जे राज्य विस्तारक संघर्ष चलि रहल छल ताहिमे मिथिला एकटा प्रमुख शिकार छल आ विभिन्न महत्वाकाँक्षी राजा लोकनि शिकारीक काज करैत छलाह।
       हर्षवर्द्धनक अमलमे मिथिला हुनक साम्राज्यक अंश छल एहिमे कोनो सन्देह नहि। हर्षक समय धरि अबैतअबैत राजनीतिक क्षेत्रमे पाटलिपुत्रक स्थान कन्नौज लऽ लेने छल आ पाटलिपुत्रक महिमा घटि चुकल छल। हर्षक राजधानी छल कन्नौज जकरा महोदय श्री सेहो कहल जाइत छलैक आ जकर महिमाक विवरण चीनी यात्री हियुएन सांग प्रस्तुत कएने छथि। हर्षक पूर्व शशाँक मिथिलापर शासन केने होथि से संभव कारण ताहि दिनमे शंशाँक पश्चिममे अपन आधिपत्य बढ़ेबाक हेतु सब तरहे प्रयत्नशील छलाह। प्रभाकर वर्द्धनक पुत्र राज्यवर्द्धनक हत्या बंगालक शशाँकक हाथे भेल छलन्हि।
       शासक भेला उत्तर हर्ष अपन राज्यवर्द्धनक मृत्युक बदला लेबाक हेतु कटिबद्ध छलाह आ ओहि उद्देश्यसँ प्रेरित भऽ ओ अपन सैनिक अभियानक श्री गणेश केलन्हि। शशाँक पराजित भेलाह आ अपना सन मुँह बनाकेँ अपन पराजयक घूंट पीबैत रहलाह। हर्ष लगातार ६ वर्ष धरि अपन अभियान जारी रखलन्हि आ उत्तर भारतक विशिष्ट भागपर अपन अधिकार जमौलन्हि। चीनी यात्रीक अनुसार ओ पाँचो भारत (जाहिमे मिथिला सेहो सम्मिलित छल) जीति कए उत्तर भारतमे स्थायित्व अनलन्हिपाँचो भारत भेल स्वराष्ट्र (पंजाब), कान्यकुंज, मिथिला, गौड़, तथा उत्कल। ६४१ इ.मे ओ मगधपर सेहो अपन आधिपत्य कायम केलन्हि आ भारतक चारूकातक राजाकेँ सैतलन्हि। गुप्त साम्राज्यक पतन भेलापर जे एकटा अनिश्चितताक स्थिति उत्पन्न भऽ गेल छल तकरा हर्ष समाप्त केलन्हि आ समस्त उत्तर भारतपर एकटा स्थायी शासनक रूपरेखा प्रस्तुत केलन्हि। ओ समस्त भारतकेँ पुनः एकछत्र शासनक अधीन करए चाहैत छलाह आ हुनक दुश्मन पुलकेशिन द्वितीय हुनका सकलोतरापथस्वामी कहने छथिन्ह। हर्षक शासन तँ बहुत दिन धरि नहि रहल तथापि हर्षक महत्व एहि लेल अछि जे हर्ष अपना समयमे एकटा स्थायित्वक रूपरेखा प्रस्तुत कएने छलाह जे हुनका परोक्ष भेलापर समाप्त भऽ गेल।
       हर्षक समयमे भारतमे सामंतवादक पूर्ण विकास भऽ गेल छल आ हर्षक शासन प्रणालीपर सेहो एकर प्रभाव देखबामे अवइयै। हियुएन सांग सेहो एहि बातक साक्षी छथि। हर्ष स्वयं घुमिघुमिकेँ अपन शासनक निरीक्षण करैत छलाह आ जागीरक रूपमे अपन कर्मचारी आ सैनिककेँ वेतन दैत छलाह। शासन संगठनमे ओ मौर्य आ गुप्तसँ प्रभावित छलाह आ हुनक साम्राज्य प्रांत, भुक्ति आ विषयमे विभाजित छल। तीरभुक्ति शासनक एकटा प्रधान केन्द्र छल आ हर्षक समयमे ओहिठाम अर्जुन अथवा अरूणाश्व नामक एक महत्वाकाँक्षी व्यक्ति राज्यपाल छलाह। हर्षक देहावसान भेलापर पुनः राज्यमे अराजकता पसरि गेल आ महत्वाकाँक्षी अर्जुन ओहिसँ लाभ उठाकेँ राज्यकेँ हड़पि लेलन्हि आ स्वयं शासक बनिकेँ बैसि गेलाह। एकर अर्थ इ होइछ जे हर्षक समयमे तीरभुक्ति एक महत्वपूर्ण प्रांत छल आ एहिठामक राज्यपालक शक्ति आन राज्यक अपेक्षा विशेष छलैक। अर्जुन (अरूणाश्व) महात्वाकाँक्षी होइतो योग्य सैनिक एवँ संगठन कर्म सेहो रहल होएत आ परिस्थिति अनुकूल भेला उत्तर ओहिसँ लाभ उठौने होएत।
      तिब्बती आक्रमण:- हर्ष अपन मृत्युक पूर्वहिं चीनक सम्राटक ओतए एकटा शिष्टमण्डल (दूत मण्डल) पठौने छलाह आ ओकरे उत्तरमे चीनक सम्राट सेहो एकटा दूतमण्डल हर्षवर्द्धनक दरबार पठौने छलाह आ ओहि दूतमण्डलक नेता छलाह वाँगहियुएनसी। वाँगक नेतृत्वमे जखन चीनी दूतमण्डल भारत पहुँचल तखन हर्षक मृत्यु भऽ चुकल छल आ अरूणाश्व समस्त राज्यकेँ हड़पिकेँ शासक बनि चुकल छलाह। ओहि दूतमण्डलक संग हुनक व्यवहार तँ अशोभनीय भेवे केलन्हि आ संगहि ओ दूतमण्डलकेँ बेइज्जत सेहो केलन्हि। वाँग भागिकेँ नेपाल चलि गेलाह आ ओतएसँ तिब्बत सेहो। तिब्बतमे ताहि दिनमे शासक छलाह प्रसिद्ध श्रौंगसानगंपो। श्रौंग, वाँगकेँ १२०० चुनल तिब्बती सैनिक देलथिन्ह आ नेपालसँ सेहो हुनका ७००० सेना भेटलन्हि। तिब्बतीनेपाली सहयोगसँ वाँग अरूणाश्वकेँ पराजित कए उत्तरी बिहार अथवा तिरहुतपर अपन प्रभाव जमौलन्हि। अर्जुनक विद्रोहकेँ दबाओल गेल आ ओ भागबाक प्रयास केलन्हि मुदा हुनका गिरफ्तार कऽ लेल गेल आ चीनक सम्राटक ओतए बंदीक रूपमे उपस्थित कैल गेल। कहल जाइत अछि जे वाँगक एहि प्रयासमे कामरूपक भास्करवर्मन सेहो सहायक भेल छलथिन्ह।
       इ घटना तँ ओना देखलासँ सामान्य बुझि पड़इयै परञ्च ऐतिहासिक दृष्टिकोणसँ इ एकटा महत्वपूर्ण घटना मानल गेल अछि जकर संक्षिप्त विवेचन आवश्यक बुझना जाइत अछि। अर्जुन अथवा अरूणाश्वक सम्बन्धमे पूर्ण जानकारी नहि अछि परञ्च ओ तीरभुक्तिक राज्यपाल छलाह से निश्चित अछि आ हर्षक परोक्ष भेलापर ओहि साम्राज्यक अधिकारी सेहो भऽ गेला। वाँगक संग एहि प्रकारक व्यवहार ओ किएक केलन्हि से बुझबामे नहि अवइयै। वाँग स्वयं सब मिलाकेँ चारि बेर कूटनीतिक काजक प्रसंग भारत आएल छलाह आ भारत विवरणक सम्बन्धमे हुनक एकटा पोथी सेहो उपलब्ध अछि। पोथीक मूल तँ लुप्त भऽ गेल अछि मुदा ओकर अंशकेँ संकलित कए ताओचेन नामक एक व्यक्ति ओकरा सुरक्षित रखने छथि। ताँग वंशक इतिहासमे भारतपर वाँगक आक्रमणक विवरण भेटइयै जाहिमे इ कहल गेल अछि जे वाँगक दूतमण्डल पहुँचबाक किछुऐ पूर्व शिलादित्य (हर्ष) मरि चुकल छलाह आ समस्त देशमे अराजकता पसरल छल। नाफुती (तीरभुक्ति)क अरूणाश्व (ओलानाशुएन) राजगद्दी हड़पि चुकल छलाह। वाँगक दूतमण्डलकेँ भऽ गेबाक प्रयासमे ओ लागल छलाह। दूतमण्डलक संग मात्र ३०टा घोड़सवार छल। वाँग कोहुना भागिकेँ बचलाह। तिब्बत आ नेपालसँ सेना आनि दूतमण्डलक दोसर प्रमुख पदाधिकारी, सियांग-चेन-जेनक नेतृत्वमे तीन दिन धरि युद्ध भेल आ अंतमे अरूणाश्व पराजित भेलाह। वाँग जखन बन्दीक रूपमे अरूणाश्वकेँ लऽ कए चीन पहुँचलाह तखन वाँगकेँ प्रोन्नत कओल गेलन्हि। उपरोक्त विवरण ताँग वंशक पुरना इतिहासमे भेटइत अछि।
       ताँग वंशक नवका इतिहासमे सेहो एहि घटनाक विवरण एवँ प्रकारे भेटइत अछि। ६४८मे वाँगकेँ जखन भारत दूतमण्डलक नेता बनाके पठाओल गेलन्हि तखन हर्षक अवसान भऽ चुकल छल आ अरूणाश्व राज्यक अधिकारी भऽ चुकल छलाह। ओ तीरभुक्तिक शासक छलाह। तिब्बत आ नेपालसँ सहायता लऽ वाँग अपन वेइज्जतीक बदला लेबाक हेतु तिरहुतपर आक्रमण केलन्हि। ओ अपन सेनाकेँ कैक भागमे विभक्त कए अपन तेसर दिन चा-पुओ-हो-लो नामक स्थानपर पहुँचलाह आ ओहिपर अपन आधिपत्य कायम केलन्हि। एहिक्रममे ३००० व्यक्तिक हत्या भेल आ १०००० व्यक्तिकेँ नदीमे डुबाओल गेल। अर्जुन भागिकेँ पुनः अपन शक्ति संचय केलन्हि आ फेर वाँगक संग युद्ध शुरू केलन्हि मुदा हुनका कोनो सफलता नहि भेटलन्हि। राजाक जनानखानाक प्रधान दुश्मनक बाट रोकबाक हेतु किएन-तो-वाइ नामक नदीक मार्ग अवरूद्ध कए देलन्हि तथापि चीनी दूतमण्डल हिनका लोकनिकेँ पराजित केलन्हि आ अरूणाश्वक पत्नी समूह एवँ पुत्रादिकेँ गिरफ्त कए माल असवाब सब लूटि लेलन्हि। चीनी सेना नायक उपरोक्त चेन-जेनक समक्ष ५८०टा नगर आत्म समर्पण केलक। पूर्वी भारतक राजा ची-कीउ-मो (श्री कुमार) अथवा भास्करवर्मन चीनी दूतमण्डलक बड्ड सहायता केलथिन्ह आ हुनका लोकनिकेँ घोड़ा, बड़द, अस्त्र, शस्त्र, तीर धनुष आदि बहुत रास सामान उपहारमे देलथिन्ह। चीनी सम्राटक हेतु ओ एकटा भारतक मानचित्र सेहो उपहारमे देलथिन्ह। दूतमण्डलसँ ओ आग्रह केलथिन्ह जे ओतएसँ ओ लाओ-जेक एकटा चित्र पठा दैथ। अरूणाश्व बन्दीक रूप चीनमे रहलाह आ ओतहि हुनक मृत्यु भेलैन्ह।
       मत्वलिन सेहो एहि घटनाक विवरण उपस्थित कएने छथि आ हुनक विवरण ताँग वंशक नवका इतिहाससँ मिलैतजुलैत अछि। मत्वलिनक अनुसार चीनी सम्राट ६४६ ई.मे मगध सम्राटक ओतए एकटा दूतमण्डल पठौने छलाह। अर्जुन अथवा अरूणाश्वकेँ चीनी श्रोतमे तिरहुतक शासक मानल गेल छैक आ दुनूक बीच जे युद्ध भेलैक से कतहु एहि क्षेत्रमे भेल हेतैक। वाँग कन्नौज धरि गेल होएताह ओहिमे संदेह बुझना जाइत अछि। तिरहुतक राज्यपाल अरूणाश्व हर्षक परोक्ष भेलापर तिरहुतहिसँ अपनाकेँ साम्राज्यक अधिकारी घोषित कएने होथि से संभव। चीनमे जाहिठाम अर्जुनक शव अछि ताहिठाम एकटा जे स्मारकपर लेख छैक ताहिमे लिखल छैक तीरभुक्तिक हिन्दूराजा अरूणाश्व। अहुँसँ इ स्पष्ट होइछ जे अर्जुन अथवा अरूणाश्व तीरभुक्तिक शासक छलाह आ वाँगक युद्ध तीरभुक्तिक सीमे धरि सीमित रहल होएत। एहि घटनाक विवरण चीनक करीब २५टा सँ बेसी ग्रंथमे भेटइत आ आधुनिक शोध एवँ एहि २५सए ग्रंथक उपयुक्त अंशक अनुवादक अध्ययनसँ एतवा धरि स्पष्ट होइत अछि जे हर्षक परोक्ष भेलापर अर्जुन तीरभुक्तिक शासक छलाह। चीनी दूतमण्डल आ हुनका बीच संघर्ष भेल छल जाहिमे ओ पराजित भेल छलाह आ एहि युद्धक कार्यस्थल छल गण्डकी, वाग्मती, बलान आ गंगाक बीचक भूमि। युद्धक वास्तविक स्थान कोन छल से निर्णय करब अद्यतन कठिन समस्या बनल अछि। वृज्जि क्षेत्रसँ अंगुतराप क्षेत्रक वीच इ लड़ाइ भेल छल से धरि निश्चित आ वाँगक शक्तिशाली सैनिकक समक्ष जँ तत्काल छोट-पैघ शहर सब आत्मसमर्पणक देने हुए तँ एहिमे कोनो आश्चर्यक गप्प नहि।
       किछु दृष्टिदोष अथवा विचार दोषसँ इ आक्रमण भेल हुए सेहो संभव। वाँगकेँ अर्जुन दुश्मन बुझि विरोध केने हेथिन्ह आ ओ जखन सहायतार्थ तिब्बत पहुँचलाह तखन ओहिठामक शासक श्रौंग सेहो एकटा महत्वाकाँक्षी व्यक्ति रहैथ आ विचारसँ साम्राज्यवादी सेहो। ओ एहि अवसरकेँ अपन साम्राज्य विस्तारक अवसरक रूपमे देखने होथि तँ कोनो आश्चर्य नहि कारण ताहि दिनमे हुनक प्रभुत्वक धाख चीन आ नेपाल धरि पसरल छलन्हि। वाँगक माध्यमसँ ओ तिब्बती प्रभाव भारतपर बढ़बे चाहैत छलाह परञ्च से संभव नहि भऽ सकलन्हि कारण इ युद्ध तिरहुत धरि सीमित रहि गेल आ ४०५० वर्षक बाद ओहि विदेशी सत्ता उखारिकेँ फेक देल गेल। एकर कोनो स्थायी प्रभाव भारतक इतिहासपर नहि पड़ल। अहुमे संदेह अछि जे श्रौंग स्वयं भारतपर आक्रमण केने होथि कारण श्रौंगक विजयक विवरण जाहि तिब्बती परम्परामे सुरक्षित अछि ताहिमे कतहु भारतक नाम नहि अछि। केवल मत्वलिन एहि बातक उल्लेख केने छथि। दोसर बात जे महत्व रखैत अछि से भेल इ जे नेपाली परम्परामे एहि घटनाक विधिवत उल्लेख कतहु नहि अवइयै। पूर्वी भारतपर हर्षक शासन ६४१मे भेल छल। चीनी परम्परामे अर्जुनकेँ पूर्वी भारतक शासक (तीरभुक्तिक) कहल गेल छैक आ तैं संभव जे हर्षक परोक्ष भेलापर ओ (पूर्वी भारत) पुनः अपनाकेँ कन्नौजक नियंत्रणसँ मुक्त कऽ लेने हो आ अर्जुन गवर्नरक हिसाबे ओहिपर अपन अधिकार कऽ लेने होथि। एहि घटनाक एतेक विस्तारसँ चीनी परम्परामे वर्णन कैल गेल हो से संभव। एतवा धरि तँ निश्चित रूपे माने पड़त जे अर्जुन आ चीनी दूत वाँगक वीच खटपट अवश्य भेलैक आ एहि क्रममे तीरभुक्तिपर आक्रमण सेहो। एकर स्थान एवँ अन्यान्य बातक विश्लेषण अखन आ शोधक अपेक्षा रखइयै।
       हम पहिने कहि चुकल छी जे कामरूपक भास्करवर्मनक पूर्वजक समयमे बहुत रास मैथिल साम्प्रदायिक ब्राह्मण कामरूप गेल रहैथ आ ओतुका शासकक अनुग्रह प्राप्त केने रहैथ। हर्षक पूर्वहिं निर्धनपुर ताम्रलेखसँ इ ज्ञात होइछ जे वर्मन वंशक सीमा पुर्णियाँक कोशी धरि छलन्हि आ तकर पश्चिममे तिरहुतक राज्य छल जाहिपर हर्षक अधिकार छल। जाधरि हर्ष जीवित रहलाह ताधरि कामरूपक शासक हुनक मित्र बनल रहलथिन्ह मुदा हर्षक परोक्ष भेला उत्तर भास्करवर्मन चीनी दूतमण्डलक सहायता केने छलथिन्ह से उपरोक्त विवरणसँ स्पष्ट अछि एकर कि कारण से नहि कहि। संभवतः अर्जुनक प्रभुत्व देखि आ तीरभुक्ति राज्यक विस्तारसँ ओ घबड़ा कए चीनी दूतमण्डलक समर्थन केने होथि से संभव। दोसर बात इहो भऽ सकइयै जे चीनक डरसँ ओ एना केने होथि। ऐहनो बुझि पड़इयै जे जखन वाँगक आक्रमणक समयमे मौखरी, उत्तर गुप्त आ नेपालक लिच्छवी शासकक वीच संभवतः कोनो प्रकारक समझौता भेल छल आ ओ लोकनि तिब्बती साम्राज्यवादी प्रसारक विरोधमे संगठित छलाह। अदु शक्तिशाली संगठनसँ भयभीत भऽ भास्करवर्मन वाँगक सहायता केने होथि तँ कोनो आश्चर्यक गप्प नहि। भास्करवर्मन सेहो महत्वाकाँक्षी छलाह आ तैं हुनक आंतरिक इच्छा इ अवश्य रहल हेतैन्ह जो कामरूप राज्यक प्रसार हो। कामरूप आ मिथिलाक सीमा सेहो मिलैत जुलैत छल। हर्षक मृत्युक उपरांत ओ कन्नौजसँ अपन सम्बन्ध विच्छेद कए कर्ण सुवर्णकेँ अपना राज्यमे मिला लेने छलाह आ अपन चारूकातक छोट छीन क्षेत्र सबकेँ सेहो। निर्धनपुर ताम्रलेखक आधार इ कहल जा सकइयै जे ओ मिथिलाक पूर्वी भागक किछु हिस्सापर अपन अधिकार जमा लेने छलाह आ ओतहिसँ संभवतः ओ वाँगक सहायता केने छलाह।
       ६४८सँ ७०३ ई. धरि मिथिलापर तिब्बती आधिपत्य बनल रहल। एहि बीचक इतिहास अंधकारमय अछि। मिथिलापर बहुत दिन धरि तिब्बती प्रभाव नहि रहि सकलैक आ उत्तरगुप्त शासक लोकनि अपन परिश्रमसँ पुनः सम्पूर्ण बिहारकेँ जीति अपना अधीन केलन्हि आ मिथिलाकेँ तिब्बती आक्रमणसँ मुक्त सेहो। कटरा (मुजफ्फरपुर)सँ प्राप्त अभिलेख (ताम्रलेख)सँ ज्ञात होइछ जे जीवगुप्त नामक कोनो व्यक्ति ओहि क्षेत्रपर शासन करैत छलाह। तिथिक अभावमे किछु कहब असंभव अछि मुदा अंदाजन इएह कहल जा सकइयै जे इ संभवतः उत्तरगुप्त वंशक केयो रहल हेताह आ तिब्बती आक्रमणसँ मुक्त भेलापर एहि क्षेत्रक शासनाधिकारी भेल होएताह। गुप्तवंशक परम्पराक पुनर्स्थापनामे व्यस्त जे सर्व प्रसिद्ध व्यक्ति भेलाह एहि वंशमे हुनक नाम छलन्हि आदित्य सेन। महासेन गुप्तक शासन कालहिसँ मिथिलापर हिनका लोकनिक प्रभुत्व छलन्हि आ आदित्यसेनक समय धरि तँ उत्तरगुप्त लोकनि पूर्वी भारतक एकटा प्रसिद्ध राजवंश घोषित भऽ चुकल छलाह। अफशड़, मंदार आ शाहपुरसँ प्राप्त अभिलेखक आधार इ निश्चित रूपें कहल जा सकइत अछि जे आदित्यसेन समस्त बिहारपर अपन आधिपत्य कायम केलन्हि आ वृहत्तर मगध राज्यक संस्थापकक नामसँ बहु चर्चित भेलाह। हुनका परममट्टारक-महाराजाधिराजक पदवी छलन्हि आ ओ गंगा सागर धरि अपन राज्य बढ़ा अश्वमेघ यज्ञ सेहो केने छलाह। ताँग वंशक इतिहाससँ हमरा इ ज्ञात होइत अछि जे मिथिला आ नेपाल ७०३ धरि विदेशी नियंत्रणसँ मुक्त भऽ गेल छल। सिल्वोंलेवीक अनुसार ७०२मे मिथिलामे उत्तर गुप्तक शासनक स्थापना एकटा महत्वपूर्ण घटना मानल गेल अछि। नेपाली अभिलेखमे सेहो आदित्य सेनकेँ मगधक महत्वपूर्ण शासकक रूपमे वर्णन कैल गेल छैक। नेपालक शिवदेव मौखरी भोगवर्मनक जमाय छलाह आ भोगवर्मन आदित्य सेनक बेटीसँ विवाह केने छलाह। एवँ प्रकारे तीनू राज्य एक दोसरासँ सम्बन्धित छल। आदित्य सेनक बादो हुनका लोकनिककेँ प्रभाव बनल रहल आ जीवित गुप्त द्वितीय धरि ओ लोकनि उतरापथनाथ कहबैत रहलाह।
       मिथिलाक इतिहासमे बुझु जे बारी-बारी कऽ कए उत्तर भारतक सब छोट-छीन राज्य कोनो ने कोनो रूपे राज्य केलन्हि आ मिथिलामे कोनो स्थायी राज्यक स्थापना १०९४ क पूर्व नहि भऽ सकल। उत्तर गुप्तक बाद मिथिलाक इतिहासक जे स्थिति छल से ठीकसँ हमरा लोकनिकेँ ज्ञातव्य नहि अछि। उत्तरगुप्तक राज्यक अंत केलन्हि कन्नौजक यशोवर्मन। गौड़वहीक कवि वाक्पतिक अनुसार यशोवर्मन गुप्त लोकनिकेँ पराजित केलन्हि आ हिमालय प्रदेशकेँ जीति अपना राज्यमे मिलौलन्हि। आ एहि क्रममे जँ ओ तिरहुतकेँ जीतने होथि तँ कोनो असंभव बात नहि। कश्मीर सेहो अपन प्रभाव बढ़ा रहल छल आ पूर्वमे सेहो पूण्ड्रवर्द्धन भुक्तिक दिसि कश्मीरक प्रभावक वृद्धि देखबामे आबे लगैत अछि। ललितादित्य मुक्तपीड़ एहि क्षेत्रमे यशोवर्मनकेँ पराजित कए अपन प्रभाव क्षेत्र बढ़ा लेने छलाह। लामा तारनाथक अनुसार मिथिलामे चन्द्रवंशक शासन छल जकर सम्बन्ध पश्चिममे राजा भतृहरिसँ छलैक। चन्द्रवंशक राज्य वर्मा आ पूर्वी बंगालमे सेहो छलैक। वर्माक चन्द्रवंशक शासक लोकनि वेथाली (वैशाली) नामक एक गोट शहर बसौने छलाह। चन्द्रवंशक पछाति मिथिलामे पालवंशक स्थापना भेल छल। उत्तरपूर्वी भारतक विभिन्न प्रदेशक कोनो श्रृंखलाबद्ध एवँ साधनयुक्त इतिहास नहि अछि। आ मिथिलाक जहाँधरि प्रश्न अछि से तँ सर्वथा अपूर्णे अछि। लामा तारनाथ जकर वर्णन कएने छथि तकर समर्थन कोनो आन साधनसँ नहि भऽ रहल अछि तैं एकरा अखन संदिग्धे मानल जाएत। चन्द्रवंशक प्रश्न विवादास्पद अछि। जँ एहि वंशक राज्य रहलो हैत तँ पूर्वी मिथिलेपर रहल होएत कारण उएह स्थान वंगक समीप अछि।
       किछु गोटए अहुमतक छथि जे यशोवर्मनक आक्रमणक उपरांते तिब्बती प्रभाव तीरभुक्ति क्षेत्र परसँ घटल होएत। यशोवर्मन मालदह, राजशाही आ पुर्णियाँ धरि बढ़ल छलाह आ तत्पश्चात कश्मीरक शासक सेहो पंच गौड़ (मिथिला जकर एकटा प्रमुख अंश छल) पर अपन विजय प्राप्त केने छलाह। हियुएन-सांग द्वारा वर्णित पाँच भारत बादमे पंच गौड़क नामसँ प्रसिद्ध भेल आ पाल कालमे एहि पंच गौड़केँ विशेष प्रतिष्ठा प्राप्त भेलैक। तारनाथक अनुसार एहि पंच गौड़मे चन्द्रवंशक पछाति अराजकता पसरि गेल छल आ ओहि क्षेत्रमे कोनो प्रकारक राज्य नहि रहि गेल छल। चारूकात मत्स्यन्यायक प्रधानता छल आ कोनो व्यवस्था नहि रहि गेल छल। चन्द्रवंश (सिंह चन्द्रक पुत्र)क बलिचन्द्रकेँ भंगलसँ भगा देल गेल छलन्हि। लिच्छवी पंचमसिंह (जनिक राज्य ताहि दिनमे तिब्बतसँ त्रिलिङु आ बनारससँ समुद्र धरि रहैन्ह) बलिचन्द्रकेँ पराजित केने रहथिन्ह आ ओ भंगलसँ भागिकेँ तिरहुतमे आबिकेँ राज्य शुरू केने छलाह। बलिचन्द्रक पुत्र विमल चन्द्र अपन पिताक पराजयक बदला लेलन्हि आ अपन राज्यक विस्तार बंगाल आ असम धरि केलन्हि। हुनक पुत्र छलाह गोविन्द्रचन्द्र आ गोविन्द्रचन्द्रक पुत्र भेलाह ललितचन्द्र। इ दुनू गोटए सिद्धि प्राप्त कए राज्यसँ विमुख भऽ गेलाह आ तत्पश्चात् राज्यमे अराजकता पसरि गेल आ मत्स्यन्यायक स्थिति उत्पन्न भेल।
       पाल वंश:- एहि मत्स्यन्यायक स्थितिसँ उबारबाक हेतु ओहिठामक लोग गोपाल नामक एक व्यक्तिकेँ अपन शासक चुनलक आ उएह पाल वंशक संस्थापक भेलाह। मत्स्यन्याय आ अराजकताक स्थिति समाप्त कए गोपाल चन्द्रवंशक समस्त राज्य क्षेत्र व्यवस्थाक स्थापना केलन्हि आ तखन लऽ कए (७५०१०००) लगभग २५० वर्ष धरि समस्त पूर्वी भारतमे एक प्रकारक शांति बनल रहल। पाल युगक इतिहास भारतीय इतिहासमे महत्वपूर्ण स्थान रखइयै आ मिथिलाक इतिहासक हेतु सेहो इ काल महत्वपूर्ण मानल गेल अछि। गोपाल चूंकि चन्द्रवंशक उत्तराधिकारीक रूपमे शासक भेल छलाह तैं इ अनुमान लगाएब स्वाभाविक जे ओ तीरभुक्तिक शासक सेहो अवश्य रहल होएताह कारण तीरभुक्तियोपर चन्द्रवंशक शासन रहल छल।
       गोपालक बाद हुनक पुत्र धर्मपाल शासक भेलाह। पाल साम्राज्यक वास्तविक संस्थापक धर्मपाले छलाह एहिमे संदेह नहि। उत्तर भारतपर आ खास कऽ कए कन्नौजपर आधिपत्य प्राप्त करबाक हेतु हुनका राष्ट्रकूट आ प्रतिहार वंशसँ युद्ध मोल लेबए पड़लन्हि जे हुनका बादो चलैत रहलैन्ह। खलीमपुर अभिलेख एवँ तारनाथक विवरणसँ ज्ञात होइछ जे तिरहुत हुनक राज्यक अंतर्गत छल आ पूवमे कामरूप धरि अपन राज्यक सीमा बढ़ौने छलाह। मूंगेरक समीप ओ प्रतिहार शासक नागभट्ट द्वितीयकेँ हरौने छलाह। राज्यक प्रसारक क्रममे ओ हिमालय धरि गेल छलाह आ वागमती नदीपर अवस्थित गोकर्ण धरि अपन राज्यकेँ बढ़ौने छलाह। गोकर्ण एकटा प्रसिद्ध धार्मिक स्थल छल तैं संभव जे ओतए धरि ओ धर्म करबाक हेतु गेल होथि मुदा वास्तविक कारण इ छल जे ओहि क्षेत्रमे किरातक राज्य छल आ तैं हिनका डर छलन्हि जे किरात लोकनि तिरहुतक क्षेत्रमे किछु उत्पात मचा सकैत छथि तैं हेतु किरात लोकनिकेँ पराजित करब आवश्यक छल। पशुपतिनाथ मंदिरकेँ उत्तर पूबमे गोकर्णक जंगलमे किरात लोकनिककेँ राजधानी छलन्हि आ तैं ओ ओतए दूर धरि जाकए किरात लोकनिकेँ पराजित केलन्हि। स्वयंभु पुराणमे कहल गेल अछि जे धर्मपाल नेपालक राजगद्दीपर अधिकार प्राप्त केलन्हि। इ गप्प संभवतः गोकर्णपर धर्मपालक आक्रमणकेँ प्रमाणित करैत अछि। नेपालपर हुनक अधिकार भेल हो अथवा नहि परञ्च किरातकेँ दबाबे राखब मिथिलाकेँ संदर्भमे आवश्यक छल आ धर्मपाल एहिबातकेँ साम्राज्यवादी हिसाबें नीक जकाँ बुझैत छलाह। मूंगेर ताम्रलेखमे गंगा समेतं बुद्धिक जे उल्लेख अछि से गोकर्णसँ सर्वथा भिन्न स्थान भेल आ तैं दुनूकेँ मिलाएब उचित नहि बुझना जाइत अछि। मूंगेर ताम्रलेखोसँ इ ज्ञात होइत अछि जे धर्मपाल हिमालयक तराइमे आक्रमण कएने छलाह। मूंगेरमे जे लड़ाइ भेल छल ताहुमे तीरभुक्तिक योगदान रहल होएत से निश्चिते।
       धर्मपाल समस्त उत्तरी भारतमे अपन धाख जमौने छलाह एकर प्रमाण हमरा कैकटा स्रोतसँ भेटइत अछि:- केशव प्रशस्ति, खलिमपुर अभिलेख एवँ भागलपुर ताम्रलेख। गुजराती कवि सोढ़्ढ़ल अपन उदय सुन्दरी कथामे देवपालकेँ उत्तरा पथ स्वामी कहने छथि। पंच गौड़ हुनक साम्राज्य सीमाक बोध दैत अछि। पंच गौड़ शब्दकेँ प्रसिद्ध केनिहार भेलाह कल्हण जे अपन राज तरंगिणीमे एकर विवरण देने छथि मुदा एकर राजनैतिक स्वरूपक वास्तविक जन्मदाता धर्मपाले रहल हेताह जनिक साम्राज्य पंजाबसँ बंगाल आ हिमालयसँ मध्य भारत धरि पसरल छल। मिथिला नेपालपर सेहो हुनक प्रभुत्व छल। धर्मपालक पछाति हुनक पुत्र देवपाल राजा भेलाह आ हुनक साम्राज्य हिमालयसँ विन्ध्य पर्वत धरि पसरल छल। उहो प्रतिहार राजा मिहिर भोजकेँ हरौलन्हि। हुनकहि समयमे पाल साम्राज्य अपन चरमोत्कर्षपर पहुँचल।
       वाचस्पति आ राजा नृग:- एहिठाम एक प्रश्नपर विचार कऽ लेब आवश्यक बुझना जाइत अछि। स्वर्गीय महामहोपाध्याय उमेश मिश्र राजा नृगक चर्च कए एकटा समस्या उपस्थित कऽ देने छथि जाहि लऽ कए इतिहासकारमे विवाद हैव स्वाभाविके। ओकर नृग नामक एक राजाक नामक उल्लेख पुराणमे अछि मुदा ओहिसँ वाचस्पति कालीन नृगक तुलना नहि भऽ सकइयै। वाचस्पति (९म शताब्दी) अपन भामतीमे नृग नामक महत्वपूर्ण राजाक उल्लेख कएने छथि। उमेश्र मिश्रक अनुसार नृग किरात लोकनिक राजा छलाह ओ अपन भामती एहि राजाक ओतए बैसि कए लिखने छलाह। नृग वाचस्पतिकेँ सम्मानित केने छथिन्ह। नव-न्यायक इतिहासक रचयिता एहि नृगकेँ बंगालक आदिसूरसँ मिलबैत छथि। एहिठाम स्मरणीय जे वाचस्पति अपन न्याय कणिकामे सेहो आदिसूरक फराकेँ वर्णन कएने छथि।
नृगक सम्बन्धमे वाचस्पति अपन भामतीक अंतमे लिखैत छथि
नृपांतराणां मनसाप्यगम्यां
भ्रूक्षेपमात्रेण चकार कीर्तिम्,
कार्त्तस्वरासारसुपूरितार्थ सार्थः
स्वयं शास्त्रविचक्षणश्च,
नरेश्वरा यच्चरितानुकारमिच्छंति
कर्त्तुं न च पारयंति
तस्मिन्महीपे महनीय कीर्तौ
श्रीमन्नृगेऽकारि मया निबन्धः॥
दोसर स्थानपर एवँ प्रकारे वर्णन अछि
न चायापि न दृश्यंते लीलामात्र
विनिर्मितानि महाप्रसाद प्रमदवनानि
श्रीमन्नृगनरेन्द्राणामन्येशां
मनसापि दुष्करानि नरेश्वराणाम्
      नृगमहीप एवँ नरेन्द्र कहल गेल छन्हि आ एहिसँ इ अनुमान लगाओल जाइत अछि जे ओ मिथिलाक कोन भागमे ताहि दिनमे राज्य करइत हेताह। नृगआदिसूर दुनू दू व्यक्ति छलाह एहिमे सेहो कोनो सन्देह नहि। नृग किरात लोकनिक शासक होथि से संभव कारण ताहि दिनमे किरात आ पाल लोकनिक बीच बरोबरि खटपट होइत रहन्हि आ एकर उल्लेख हम धर्मपालक समयमे कऽ आएल छी। आदिसूर पूर्वी मिथिलाक शासक छलाह जकर सीमा बंगालसँ मिलैत छल आ वाचस्पति सन विद्वानकेँ दुनू राजाक दरबारसँ सम्बन्ध हैव कोनो आश्चर्यक विषय नहि। नृगसँ नरवाहनक बोध सेहो होइयै आ किरात लोकनिक बीच इ बेश प्रचलित छल अहु किरात लोकनिक क्षेत्र मिथिलाक उत्तरी पूर्वी भागमे छल।
       नृग एकटा समस्या मूलक नाम भऽ गेल अछि एहिठाम अमलानंद सरस्वती अपन भामतीक टीका वेदांत कल्पतरूमे लिखने छथि     
तथाविधःसार्थोयस्यप्रकृतत्वेनवर्त्ततेस                                                                                                                                                                                                                     नृगस्तथेत्यपरः। नृग इति राज्ञ आख्या...
      नृग एकटा परम्पराक द्योतक सेहो मानल गेल छथि आ ओ परम्परा भेल दयालु हैव, दानी हेव आ सब तरहें परोपकारी हैव। एहि परम्पराक एकटा उल्लेख गुप्तकालीन अभिलेखोमे अछि
भूमि प्रदानान्न परं प्रदानं
दानाद्विशिष्टं परिपालनञ्च।
सर्वेऽतिसृष्टा परिपाल्य भूमिं
नृपा नृगाधास्त्रिदियं प्रपन्नाः॥
       एहि अभिलेखमे महाराज संक्षोभ्यक तुलना परम्परागत दानी नृगसँ कैल गेल अछि। अमलानंद सरस्वती सेहो अपन टीकामे ताहिकालक शासकक तुलना राजा नृगसँ करबाक चेष्टा कएने छथि। जेना कि हम उपर कहि चुकल छी राजा नृग पौराणिक राजा नृगक संकेत मात्र छथि आ ओ दानशीलता आ जनप्रियताक हेतु प्रसिद्ध छथि। १४ शताब्दीक सारंगधरक रचनामे सेहो नृगक उल्लेख भेटइयै। अहुठाम परम्परागत रूपेमे। उपेन्द्र ठाकुर सब तथ्यक परीक्षण केला उत्तर इ निर्णय दैत छथि जे नृग शब्दसँ एहिठाम पाल राजा देवपालक तुलना कैल गेल अछि आ वाचस्पति अपन भामतीमे देवपालकेँ नृग कहलन्हि अछि। तिथि सम्बन्धी जे झंझटि अछि ताहि संदर्भमे अखन अहुमतकेँ संदिग्धे कहल जाएत। उमेश मिश्रक अनुसार नृग कर्णाटसँ आबि मिथिलामे राज्य स्थापित केने छलाह परञ्च इ मत तर्कपूर्ण नहि अछि किएक नान्यदेवसँ पूर्व एकर कोनो प्रमाण नहि भेटइयै।
       हमरा बुझने नृगआदिसूर दुनू दू व्यक्ति छलाह आ मिथिला प्रांतक उत्तरी पूर्वी एवँ पूर्वी भागक क्रमशः शासक छलाह। वाचस्पतिक समय धरि मिथिला आ उत्तर भारतमे सामंतवादी प्रथाक विकास भऽ चुकल छल आ अभिलेख, साहित्य एवँ विदेशी यात्रीक विवरण एहिबातकेँ पुष्ट करैत अछि। पालवंशक स्थापनाक संगहि उत्तर पूर्वी भारतमे एकटा स्थायित्व एलैक आ पाल साम्राज्यक विस्तारसँ नेपाल धरिक क्षेत्र तक एकटा सुव्यवस्थित राज्यक स्थापना भेलैक। ताहि दिनमे आवागमन एवँ यातायातक सुविधाक अभाव रहलाक कारणे इ शासक लोकनि विभिन्न क्षेत्रकेँ जीतिकेँ ओहिठाम अधिकारीकेँ सुपुर्द करैत छलाह आ हुनका सामंतक स्थितिमे राखि अपन शासन सुव्यवस्थाकेँ चलबैत छलाह। जँ वाचस्पति मिश्र देवपालक ओतए अपन भामती ग्रंथ लिखतैथ तँ ओ देवपालक नामक स्थानपर नृगक नाम किएक लिखतैथ? देवपाल अपने बड्ड पैघ लोक छलाह आ वाचस्पति सन विद्वानक हाथे अपन नाम उल्लिखित करेबामे अपनाकेँ गौरवान्वित बुझितैथ। वाचस्पतियोकेँ एहिमे कोनो आपत्ति नहि होइतैन्ह कारण देवपालक शासन धरि एकटा व्यवस्थित व्यवस्थाक स्थापना भऽ चुकल छल। दोसर बात इहो जे वाचस्पति जहिना आदिसूरक नामक उल्लेख केने छथि ठीक तहिना नृगक नाम। तैं इ माने पड़त जे इ दुनू व्यक्ति अलग अलग राजा छलाह आ दुनूक दरबारमे रहिकेँ ओ दुनू ग्रंथक निर्माण केने छलाह। प्रथम किरात सामंत छलाह आ दोसर पूर्वी मिथिलाक सामंत जे दुनू पालेक अंतर्गत हेताह। जाधरि आ साधन उपलब्ध नहि होइयै ताधरि नृगक समस्या एहिना बनल रहत। नृग राजा सहरसा जिलांतर्गत बड़गामक रहनिहार छलाह। एहनो एकटा मत अछि।
       देवपालक बाद पाल साम्राज्यक स्थितिमे डावाँडोल शुरू भेल आ चारूकातसँ पुनः आक्रमणप्रत्याक्रमण होमए लागल। नारायणपालक भागलपुर अभिलेखसँ इ ज्ञात होइत अछि जे तीरभुक्तिक कक्ष विषय (जकर तुलना कौशिकी कक्षसँ कैल जा सकइयै)मे पाल शासक पशुपताचार्य परिषद एवँ शिवभट्टारक लोकनिक हेतु किछु दान देने छलाह। ८६६ ई. क आसपास राष्ट्रकूट शासक अमोघवर्ष अंग, वंग आ मगध धरि अपन अधिकार बढ़ा लेने छलाह। कृष्ण द्वितीय राष्ट्रकूटक समक्ष सैह स्थिति छल। ओम्हरसँ प्रतिहार भोज आ महेन्द्रपाल सेहो पाल साम्राज्यक सीमामे अपन अधिकार बढ़ा चुकल छलाह। प्रतिहार लोकनि तिरहुत धरि अपन अधिकार बढ़ौने छलाह। महेन्द्रपाल प्रतिहार तँ बंगालमे पहाड़पुर धरि पहुँचि गेल छलाह। पाल साम्राज्य बिहारक किछु भाग धरि सीमित रहि गेल छल। मिथिला पालप्रतिहार साम्राज्यक बीचमे बत्तीस दाँतक बीचमे जीभक स्थितिमे छल कखनो प्रतिहार लोकनि बढ़ैथ आ कखनो पाल लोकनि। एहि काल मिथिलाक कोनो प्रामाणिक इतिहास भेटतो नहि अछि आ हम देखैत इएह छी जे पश्चिम आ पूब दुनू दिसिसँ जे आक्रमण होइत छल, मिथिला ओकर शिकार भऽ जाइत छल। पाल लोकनि कोनो रूपें अपन अस्तित्वकेँ ढ़ोने जाइत छलाह एहिमे संदेह नहि यद्यपि हुनक प्रभुत्व बहुत घटि गेल छलन्हि।
       ९५३५४ ई.मे जे जा भुक्तिक चन्देल लोकनि मिथिलापर आक्रमण केलन्हि। यशोवर्मन आ हुनक पुत्र धंग मिथिलापर आक्रमण केलन्हि आ गुर्जर प्रतिहारक नियंत्रणसँ ओकरा मुक्त कए अपना अधीनमे केलन्हि मुदा ओ लोकनि बहुत दिन धरि एहि क्षेत्रपर राज्य नहि कऽ सकलाह। चन्देल आक्रमणसँ समस्त उत्तरी भारत पराजित भेल आ आक्रान्त सेहो आ पाल साम्राज्यकेँ एहिसँ बेस धक्का लगलैक। एहिसँ पूर्वहिं प्रतिहार आ राष्ट्रकूट लोकनिक आक्रमणसँ पाल साम्राज्य शिथिल भइयै चुकल छल आ चन्देल आक्रमण ओकरा आ तहस नहस कऽ देलकै। नवमदशम शताब्दीमे गण्डक आ शोण नदी सब प्रतिहार आ पाल राज्यक सीमा छलैक। चन्देलक प्रभाव पूर्णियाँ धरि पसरल छल आ ओहि कालमे चारूकात अस्तव्यस्तता बढ़ि गेल छल।
       महिपाल प्रथम एक बेर पुनः पाल साम्राज्यकेँ श्रृंखलाबद्ध करबाक प्रयास केलन्हि आ पाल साम्राज्य फेर संगठित भऽ अपना पैरपर ठाढ़ भेल। महिपाल प्रथमक अभिलेख मुजफ्फरपुर जिलाक इमादपुर गाममे भेटल अछि आ एहिसँ इ सिद्ध होइत अछि जे महिपाल उत्तर आ दक्षिण दुनू बिहारक शासक छलाह। हुनक राज्यक सीमा बनारस धरि छलन्हि। परञ्च हुनको शासन काल सुखद एवँ शांतिपूर्ण नहि रहलन्हि। विभिन्न साधन इ ज्ञात होइछ जे चेदिकलचुरी लोकनि सेहो मिथिलापर अपन जाल फेरने छलाह आ हाथ पैर पसारने छलाह। महिपाल आ कलचुरीमे संघर्ष भेल छलन्हि अथवा नहि से ज्ञातव्य नहि अछि तखन एतवा जरूर अछि ११ म शताब्दीमे चोल लोकनिक संग दक्षिणसँ बहुत रास कर्णाट लोकनि एम्हर आबिकेँ बैसि गेल छलाह। प्राकृतपैंगलमसँ सेहो ज्ञात होइत अछि जे ताहि दिनमे चम्पारण बाटे सेहो ओम्हर गोरखपुर दिसि किछु आक्रमण भेल छल। मिथिलाक इतिहासक कोनो स्पष्ट तस्वीर हमरा लोकनिककेँ एहि युगक उपलब्ध नहि होइत अछि।
       पाल लोकनि येन केन प्रकारेण अपन अस्तित्व बनौने रखलन्हि आ बिहारबंगालक विभिन्न भागपर छिटपुट ढ़ंगे शासन करैत रहलाह। नौलागढ़ आ वनगाँवसँ जे विग्रहपाल तृतीयक अभिलेख भेटत अछि ताहिसँ इ स्पष्ट होइछ जे पाल लोकनि अपन अंतिम कालमे तीरभुक्तिमे अपनाकेँ बचौलन्हि कारण ताहि दिनमे कलचुरी कर्णक आक्रमणसँ बंगाल आक्रांत छल और विग्रहपाल तृतीय आ कलचुरीक वीच जे मनमुटाव चल अबैत छल तकरा अतीश दीपंकरक प्रयासे मेटाओल गेल आ दुनूक वीच एकटा वैवाहिक संधि भेल। विग्रहपाल तृतीय यौवनश्रीसँ विवाह केलन्हि आ हुनका दुनूक वीच जे संधि भेलन्हि तकरा दुनूक बीच जे संधि भेलन्हि तकरा कपाल संधि कहल गेल अछि। नौलागढ़ आ वनगामक अभिलेखकेँ देखलासँ इ प्रतीत होइछ जे मिथिला कलचुरीक आक्रमणसँ बचल छल आ मिथिलापर पाल लोकनिक शासन चल अबैत छल। अपन ह्रासकालमे पाल लोकनि तीरभुक्तिकेँ अपन राजधानी बनौलन्हि आ ओहिठामसँ शासन केनाइ प्रारंभ केलन्हि।
       विग्रटपाल तृतीयक समयमे पालवंशक सूर्यास्त भऽ रहल छलैक। प्राकृतपैंगलम् आ अन्य साधन सबसँ इ ज्ञात होइछ जे गण्डक क्षेत्र धरि कलचुरी वंशक लोक अपन प्रभुत्व बढ़ा लेने छलाह। पाल लोकनिसँ हुनक संघर्ष बढ़ि रहल छलन्हि। संध्याकर नन्दीक राम चरितमे ताहि दिनक राजनैतिक स्थितिक बढ़िया विवरण अछि। नेपालक हस्तलिखित पोथीमे रामायणक एक गोट पोथी उपलब्ध भेल अछि जकरा अनुसार संवत १०७६मे तीरभुक्तिमे एकटा सोमवंशोद्भव महाराजाधिराज गाँगेयदेवक शासन छल। ओहि रामायणक किष्किन्धा काण्डकेँ अंतमे लिखल अछि–“सम्वत् १०७६ आषाढ़ वदी४ महाराजाधिराज पुण्यावलोक सोमवंशोद्भव गौड़ध्वज श्रीमद् गांगेयदेव भुज्यमान तीरभुक्तौ कल्याण विजयराज्ये नेपालदेशीय श्री भंक्षुशालिक श्री आनन्दास्य पाटकावस्थित (कायस्थ) पंडित श्रीकुरस्यात्मज गोपतिना लेखिदम्१९४०मे एकर दोसर प्रति भेटलैक जाहिमे गौड़ध्वजक स्थानपर गरूड़ध्वज छैक। एहि पुष्पिकाक अध्ययनसँ मिथिलाक इतिहासक वस्तुस्थितिपर विद्वानक बीच पूर्ण मतभेद छन्हि। किछु गोटए एकरा कलचुरी गंगेयदेव मनैत छथि आ किछु गोटए कर्णाट गंगेयदेव। हमरा बुझने इ कर्णाट गंगेयदेव छलाह। एकर कारण इ अछि जे मिथिलामे अद्यावधि कलचुरी शासनक प्रमाण उपलब्ध नहि। दोसर बात इ जे कलचुरी शासकक संग विग्रहपाल तृतीय कपाल संधिवैवाहिक संधि कए अपन अस्तित्वकेँ सुरक्षित रखने छलाह। तेसर बात इ जे कोनो उल्लेख नहि पाओल जाइत अछि आ ने अप्रत्यक्षे रूपसँ एकर कोनो विवरण कलचुरी साधनमे भेटइयै। चारिमबात इ जे महिपालक ४८म वर्ष धरि तिरहुत हुनका अधीनमे छलन्हि तखन ओहिठाम गंगेयदेव कलचुरीक राज्य कोना भऽ सकइयै। महिपालक बादो रामपाल धरि मिथिलामे पालवंशक राज्य बनल रहल आ पालवंशक अंत भेलापर कर्णाट लोकनिक शासन प्रारंभ भऽ गेल। मिथिलाक समस्त क्षेत्रमे पालकालीन अवशेष भेटइत अछि जखन कि एम्हर कलचुरीक कोनोटा अवशेष मिथिलामे नहि भेटइछ। एहि प्रश्नपर विस्तृत रूपें विचार हमरा लोकनि कर्णाट कालक अध्ययन क्रममे करब। जखन पालवंशक सूर्यास्त भऽ रहल छल तखन दक्षिणक षष्ठम विक्रमादित्य उत्तरमे अपन भाग्य अजमेबाक हेतु आगाँ बढ़ि रहल छलाह।                                                                                           
         






No comments:

Post a Comment

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।