भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Saturday, March 16, 2013

'विदेह' १२५ म अंक ०१ मार्च २०१३ (वर्ष ६ मास ६३ अंक १२५)- PART-II



.http://www.videha.co.in/Jagdish_Prasad_Mandal.JPGजगदीश प्रसाद मण्‍डलक वि‍हनि‍ कथा- जनक हाथे खेती .http://www.videha.co.in/BindeshwarNepali.jpgबिन्देश्वर ठाकुर- बिपतियाक विदेश [विहनि कथा ]
http://www.videha.co.in/Jagdish_Prasad_Mandal.JPGजगदीश प्रसाद मण्‍डलक वि‍हनि‍ कथा

जनक हाथे खेती

दतमनि‍ काटए भैयाकाका हँसुआ नेने धड़फड़ाएल बॅसबि‍टी दि‍स जाइत छलाह आकि‍ रस्‍तेमे नुनुआँ पुछलकनि‍- भैयाकाका, सरोसती पूजा कहि‍या छि‍ऐ?”
काजमे वि‍लम होइ दुआरे भैयाकाकाक मनमे उठलनि‍, जखन पुछलक आ नै कहबै ई उचि‍त नै। जखन काका बुझैए तखन अपनो तँ दायि‍त्‍व बनैए। मुदा लगले मनमे उठलनि‍, आठ दि‍नसँ पतरो नै उनटेलौं तखन ओहि‍ना केना कहि‍ देबै। आब कि‍ ओ समए रहल जे श्राद्ध कर्म करबै काल एक गोटे करबै छलाह आ दोसर गोटे वि‍धि-वि‍धान देखैत छलाह। मुदा जतए जे होउ से होउ। अपना मनक मौजी बहुकेँ कहलौं भौजी जे कहतै से कहौ मुदा हूसल बात नै बाजब। नुनुआँकेँ कहलखि‍न- बौआ, आठ िदन पतरा देखना भऽ गेल, देखि‍ कऽ कहबौ। अखन दतमनि‍ काटए जाइ छी, नइ बरदेबौ।
जहि‍ना गामक सभ भैयाकाकाक बात मानै छन्‍हि‍, तहि‍ना नुनुआँ सेहो मानि‍ गेल। मुदा दोहरा देलकनि‍-
काल्हि‍ दुपहरमे आबि‍ कऽ बूझब।
भैयाकाका बजला कि‍छु नै, कि‍एक तँ वि‍राम दइक जगह बूझि‍ पड़लनि‍। मुदा मनमे उठलनि‍ बड़ खच्‍चर छौड़ा अछि‍। कहू जे बारह बर्खसँ ऊपरेक उमेर हेतै, सौंसे गाममे टोले-टोल घरे-घर पूजा होइते छै, से नै देखै सुनैए जे पुछलक। मुदा मन ठमकि‍ गेलनि‍। मन पड़ि‍ गेलनि‍ पत्नीक बात जे कहने छेलखि‍न- तीन कट्ठामे जते गहुमक लगता लागल छल दामक भाउवे ततबे भेल।
करि‍आइत मन कड़ेलनि‍। मुदा कहबे केकरा करि‍तथि‍न। बॅसबि‍‍टीमे हँसुआ नेने आँखि‍ नवका कड़ची तकैत रहनि‍ मुदा मन जनक हाथे खेती करबामे बौआए लगलनि‍। सोझेमे कड़ची रहै मुदा नजरि‍पर चढ़बे ने करनि‍।
      नमहर-नमहर बाँसक बॅसबि‍टीमे ठाढ़ छी मुदा दतमनि‍ नै भेट रहल अछि‍। वि‍ह्वल होइत मुँह पटपटेलनि‍-
जनक हाथे खेती।
      वएह जनक ने जे बारह बर्खक रौदीमे हर जोति‍ मि‍थि‍लांचलक धरतीकेँ असथि‍र केलनि‍। एक हाथ पत्नीक करेजपर तँ दोसर हवनमे आहूत दैत छलाह। वएह मि‍थि‍ला राज छी ने जइठाम पढ़ब, अध्‍ययन करब पूजा नै! असल सरस्‍वतीक पूजा तँ देखि‍ते छी!!

 

http://www.videha.co.in/BindeshwarNepali.jpgबिन्देश्वर ठाकुर, धनुषा, नेपाल। हाल-कतार।
बिपतियाक विदेश [विहनि कथा ]

कतेको दिनसँ मुह घोकचौने बिपतियाक ओठपर आइ भरल मुस्कान अछि। कारण तीन महिनाक बाद पश्चिम दिससँ चान्द उगल। माने कम्पनी आइ तलब देबाक लेल राजी भेल। तीन महिना धरि विभिन्न बहाना बनाकऽ टारैत छल। अगला महिना, अगला महिना, अगला महिना..... । मुदा तीन महिना बाद कामदार सभ जब उखड़ल तँ कम्पनी सेहो विवश भऽ गेल सेलरी देबाक लेल। मुदा ओतेक सोझिया नै रहैक कम्पनीक मनेजर। लेबर सभकेँ ठकि फुसला कऽ एक महिनाक तलब देलक आ २ महिनाक राखिए लेलक। अन्तत: जे हुअए, सभ कामदार खुश भेल। बिपतिया सेहो खुश भेल। 
सेलरी लऽ पैसा गनैत अछि तँ मात्र पाँच गोट नमरी। पहिनेसँ आएल मुस्कान बिपतियाक मुहसँ बिला गेलैक। ओ चिन्तित भऽ गेल। कारण खानाक पैसा बङ्गालीकेँ उधारिए छलै। चुल्हा चौका चलाएब हेतु घरमे पठाबै पड़तनि। ओतबे कहाँ, महन्थास लेल ढौवा नै बुझैताह तँ ५०००० क सुइद-सुइद जोड़ि कऽ २ लाख बनाइए देतै। आब की करत, बिपतिया गम्भीर सोचमे पड़ि गेल। "घर परिवार छोड़ि कऽ सात समुन्द्र पार अएली पत्थर फोड़ऽ मुदा तैयो घर नै चलल आ पेटो नै चलल, धिकार अछि हमर मेहनेत आ हमर कामकेँ "बरबड़ाइत आ लथरैत जेक्रीत ZEKREET ट्रस्ट एक्सचेन्ज trust exchange मे जा प्रभु मनी ट्रान्सफर द्वारा पत्नीक नामसँ खाना पैसा बाहेक सभ पठा देलक। आरो नै किछु तँ ओइ महन्था धनिककेँ कर्जा तँ सधतै।
 

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
http://www.videha.co.in/UmeshMandal2.jpgउमेश मण्‍डल
वि‍देह नाट्य उत्‍सव- 2013
मधुबनी जि‍लान्‍तर्गत चनौरागंजमे, राष्‍ट्रीय राजमार्ग-57क सटले उत्तरबारि‍ कात त्रि‍दि‍वसीय आयोजन जे वि‍देह नाट्य उत्‍सवक रूपेँ प्रसि‍द्ध अछि‍ आयोजि‍त भेल। आयोजन दि‍वस छल वि‍गत 15-सँ-17 फरवरी। वि‍देह प्रथम मैथि‍ली पाक्षि‍क ई-पत्रि‍काक नाट्य-रंगमंच-फि‍ल्‍म वि‍भागक संपादक श्री बेचन ठाकुरक संयोजकत्‍वमे ऐ आयोजनक सफल समापन भेल।
      दूटा नाटक, दूटा एकांकी नाटक, नुक्कड़, जट-जटीन, होली, झड़नी, गंगा झाँकी, ग्‍वाल-बाल झाँकी, बाल लीला झाँकी, लोक समूह गीत, स्‍वागत गीत, समूह नृत्‍य, हास्‍य-चटनी, महादेव-नचारी, राष्‍ट्रीय एवं भक्‍ति‍ परक झाँकी इत्‍यादि‍-इत्‍यादि‍ अनेक कार्यक्रमक प्रस्‍तुति‍क संग कवि‍ सम्‍मेलन तथा कला एवं साहि‍त्‍य क्षेत्रमे वि‍देह सम्मान समारोहक आयोजन सेहो कएल गेल। परोपट्टाक लोकक उपस्‍थि‍ति‍क अलाबे कवि‍-सम्मेलनमे तथा सम्मान समारोहमे आएल समस्‍तीपुर, दरभंगा, सुपौल तथा मधुबनी जि‍लाक वि‍शि‍ष्‍ट व्‍यक्‍ति‍क उपस्‍थि‍ति‍ ऐ वार्षिक कार्यक्रमकेँ अह्लादकारी ओ स्‍मरणीय बनौलक।
      पहि‍ल दि‍न अर्थात् 15 फरवरीकेँ दि‍नक 11 बजेसँ रात्रीक 10 बजे धरि‍, दोसर दि‍न माने 16 फरवरीकेँ मौसम खराप रहलाक कारणेँ दि‍नक 3 बजेसँ 11:30 बजे राति‍ धरि‍ तथा तेसर दि‍न 2 बजेसँ राति‍क 12 बजे धरि ‍उपरोक्‍त‍ वि‍भि‍न्न कार्यक्रमक प्रस्‍तुति‍क रूपरेखा रहल। ऐ सम्‍पूर्ण कार्यक्रमक वि‍डि‍यो रि‍काॅडि‍ंग सेहो कएल गेल अछि‍। प्राप्‍त सूचनाक आधारपर ऐ त्रि‍दि‍वसीय कार्यक्रमक सम्‍पूर्ण वि‍डि‍यो शीघ्रहि यू-ट्यूबपर सम्‍पूर्ण वि‍श्वमे पसरल वि‍देह-श्रोता-दर्शक तथा अन्‍य लेल उपलब्‍ध कराओल जाएत।
      भाषा सम्‍मान, मूल साहि‍त्‍य सम्‍मान, समग्र योगदान सम्मन, मांगनि‍ खबास सम्मन, आत्‍म ि‍नर्भर संस्‍कृति‍ संरक्षण सम्मन तथा अनुवाद पुरस्‍कार एवं मानद् महत्तर सदस्‍यतासम्मानक ऐ कड़ीमे 47 गोट सम्मानि‍त व्‍यक्‍ति‍क अह्लादकारी उपस्‍थि‍ति एे सम्मान समारोहकेँ सफलता प्रदान कएल। हलाँकि‍ मैथि‍ली पत्रकारि‍ता सम्मान तथा उपरोक्‍त वर्णित सम्मानक अनेक सूचीमे कि‍छु व्‍यक्‍ति‍ उपस्‍थि‍त नै भऽ सकलाह ति‍नका सभ लेल वि‍देह द्वारा पुन: दोसर सत्रक सम्मान समारोह अगामी मार्च माहमे, सुपौल जि‍ला अन्‍तर्गत ि‍नर्मलीमे आयोजि‍त हएत तेकरो उद्घोषणा मंचसँ कएल गेल।
सम्मान समारोह, नाटक मंचन, एकांकी मंचन तथा कवि‍ सम्‍मेलनक समाचार वि‍स्‍तारसँ नि‍म्न अछि‍-

वि‍देह सम्‍मान समारोह-
उद्घाटन- कुमार रामेश्वरम्
अध्‍यक्ष- डॉ. शि‍वकुमार प्रसाद।
मंच संचालक- उमेश मण्‍डल।
  
1. श्री राजदेव मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. सोने लाल मण्‍डल उर्फ सोनाई मण्‍डल, उमेर- 52, अम्‍बराकवि‍ता संग्रह लेल वि‍देह मूल साहि‍त्‍य सम्‍मान-2012
सम्‍पर्क- गाम- मुसहरनि‍याँ, पोस्‍ट- रतनसारा, भाया- ि‍नर्मली, जि‍ला- मधुबनी, पि‍न- 847452

2. डॉ. नरेश कुमार वि‍कल ययाति‍ (वि‍. स. खाण्‍डेकर, मराठी)क अनुवाद लेल 2013क वि‍देह अनुवाद पुरस्‍कार। सम्‍पर्क- भगवानपुर, देसुआ समस्‍तीपुर बि‍हार।

3. श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. दल्‍लू मण्‍डल तरेगन (बाल प्रेरक वि‍हनि‍ कथा संग्रह लेल 2012क वि‍देह बाल साहि‍त्‍य सम्‍मान
सम्‍पर्क- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) पि‍न- 847410

4. श्री राजनन्‍दन लाल दास (प्रति‍नि‍धि‍- डॉ. बुचरू पासवान) मैथि‍लीमे समग्र योगदान लेल मानद् महत्तर सदस्‍यता प्रदान कएल जा रहल अछि‍

5. नृत्‍य अभि‍नय लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
सुश्री संगीता कुमारी सुपुत्री श्री रामदेव पासवान, उमेर- १६, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

6. चि‍त्रकला लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री जय प्रकाश मण्‍डल सुपुत्र- श्री कुशेश्वर मण्‍डल, उमेर- ३५, पता- गाम- सनपतहा, पोस्‍टबौरहा, भाया- सरायगढ़, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार)

7. चि‍त्रकला लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री चन्‍दन कुमार मण्‍डल सुपुत्र श्री भोला मण्‍डल, पता- गाम- खड़गपुर, पोस्‍ट- बेलही, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार) संप्रति‍, छात्र स्‍नातक अंति‍म वर्ष, कला एवं शि‍ल्‍प महावि‍द्यालय- पटना।

8. हरि‍मुनि‍याँ वाद्य लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री जागेश्वर प्रसाद राउत सुपुत्र स्‍व. रामस्‍वरूप राउत, उमेर ६, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

9. ढोलक-ठेकैता लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री कल्‍लर राम सुपुत्र स्‍व. खट्टर राम, उमेर- ५०, गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

10. शि‍ल्‍प-वास्‍तुकला लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री राम वि‍लास धरि‍कार सुपुत्र स्‍व. ठोढ़ाइ धरि‍कार, उमेर- ४०, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

11. मूर्तिकला लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
घूरन पंडि‍त सुपुत्र- श्री मोलहू पंडि‍त, पता- गाम+पोस्‍ट बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

12. काष्‍ट कला लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री योगेन्‍द्र ठाकुर सुपुत्र स्‍व. बुद्धू ठाकुर उमेर- ४५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

13. किसानी आत्मनिर्भर संस्कृतिक संरक्षण लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री राम अवतार राउत सुपुत्र स्‍व. सुबध राउत, उमेर- ६६, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

14. किसानी आत्मनिर्भर संस्कृतिक संरक्षण लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री रौशन यादव सुपुत्र स्‍व. कपि‍लेश्वर यादव, उमेर- ३५, गाम+पोस्‍ट बनगामा, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

15. अल्हा/महराइ लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
मो. जीबछ सुपुत्र मो. बि‍लट मरहूम, उमेर- ६५, पता- गाम- बसहा, पोस्‍ट- बड़हारा, भाया- अन्‍धराठाढ़ी, जि‍ला- मधुबनी, पि‍न- ८४७४०१

16. जोगि‍रा गायन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री बच्‍चन मण्‍डल सुपुत्र स्‍व. सीताराम मण्‍डल, उमेर- ६०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

17. जोगीरा गायन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री रामदेव ठाकुर सुपुत्र स्‍व. जागेश्वर ठाकुर, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

18. पराती गायन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री लेल्हु दास सुपुत्र स्‍व. सनक मण्‍डल पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

19. झरनी लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
मो. गुल हसन सुपुत्र अब्‍दुल रसीद मरहूम, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

20. नाल वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री देव नारायण यादव सुपुत्र श्री कुशुमलाल यादव, पता- गाम- बनरझूला, पोस्‍ट- अमही, थाना- घोघड़डीहा, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

21. मैथि‍ली लोकगीत लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्रीमती फुदनी देवी पत्नी श्री रामफल मण्‍डल, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

22. मैथि‍ली लोकगीत लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
सुश्री सुवि‍ता कुमारी सुपुत्री श्री गंगाराम मण्‍डल, उमेर- १८, पता- गाम- मछधी, पोस्‍ट- बलि‍यारि‍, भाया- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

23. खुरदक वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री सीताराम राम सुपुत्र स्‍व. जंगल राम, उमेर- ६२, पता- गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

24. खुरदक वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री लक्ष्‍मी राम सुपुत्र स्‍व. पंचू मोची, उमेर- ७०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

25. कॉरनेट वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
मो. सुभान, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

26. लोक संस्‍कृति‍क संलक्षण लेल वि‍देह मांगनि‍ खबास सम्‍मान
श्री राम लखन साहु पे. स्‍व. खुशीलाल साहु, उमेर- ६५, पता, गाम- पकड़ि‍या, पोस्‍ट- रतनसारा, अनुमंडल- फुलपरास (मधुबनी)

27. मि‍थि‍ला चि‍त्रकला लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्रीमती वीणा देवी पत्नी श्री दि‍लि‍प झा, उमेर- ३५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

28. तबला वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री उपेन्‍द्र चौधरी सुपुत्र स्‍व. महावीर दास, उमेर- ५५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

29. तबला वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री देवनाथ यादव सुपुत्र स्‍व. सर्वजीत यादव, उमेर- ५०, गाम- झाँझपट्टी, पोस्‍ट- पीपराही, भाया- लदनि‍याँ, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

30. झालि‍ वादन लेल लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री कुन्‍दन कुमार कर्ण सुपुत्र श्री इन्‍द्र कुमार कर्ण पता- गाम- रेबाड़ी, पोस्‍ट- चौरामहरैल, थाना- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी, पि‍न- ८४७४०४

32. झालि‍ वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री राम खेलावन राउत सुपुत्र स्‍व. कैलू राउत, उमेर- ६०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

33. मैथि‍ली लोकगाथा गायन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री रवि‍न्‍द्र यादव सुपुत्र सीताराम यादव, पता- गाम- तुलसि‍याही, पोस्‍ट- मनोहर पट्टी, थाना- मरौना, जि‍ला- सुपौल (बि‍हार)

34. मैथि‍ली लोकगाथा गायन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री पि‍चकुन सदाय सुपुत्र स्‍व. मेथर सदाय, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

35. शास्‍त्रीय संगीत आ तानपुरा वाद्य लेल वि‍देह मांगनि‍ खबास सम्‍मान
श्री रामवृक्ष सि‍ंह सुपुत्र श्री अनि‍रूद्ध सि‍ंह, उमेर- ५६, गाम- फुलवरि‍या, पोस्‍ट- बाबूबरही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

36. मृदन वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री खखर सदाय सुपुत्र स्‍व. बंठा सदाय, उमेर- ६०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

37. तरसा/तासा वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री जोगेन्‍द्र राम सुपुत्र स्‍व. बि‍ल्‍टू राम, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

38. रमझालि‍/ कठझालि‍/ करताल वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री सैनी राम सुपुत्र स्‍व. ललि‍त राम, उमेर- ५०, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

39. गुमगुमि‍याँ वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री जुगाय साफी सुपुत्र स्‍व. श्री श्रीचन्‍द्र साफी, उमेर- ७५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

40. डंका/ढोल वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री योगेन्‍द्र राम सुपुत्र स्‍व. बि‍ल्‍टू राम, उमेर- ५५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

41. डंफा वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री जग्रनाथ चौधरी उर्फ धि‍यानी दास सुपुत्र स्‍व. महावीर दास, उमेर- ६५, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)

42. डंफा वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री महेन्‍द्र पोद्दार, उमेर- ६५, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

43. नङेरा/डि‍गरी वादन लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
श्री राम प्रसाद राम सुपुत्र स्‍व. सरयुग मोची, उमेर- ५२, पता- गाम+पोस्‍ट- बेरमा, भाया- तमुरि‍या, थाना- झंझारपुर (आर.एस. शि‍वि‍र), जि‍ला- मधुबनी पि‍न- ८४७४१० (बि‍हार)
44. रंगमंच अभि‍नय लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
सुश्री आशा कुमारी सुपुत्री श्री रामावतार यादव, उमेर- १८, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

45. रंगमंच अभि‍नय लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
मो. समसाद आलम सुपुत्र मो. ईषा आलम, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- तमुरि‍या, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

46. रंगमंच अभि‍नय लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
सुश्री अपर्णा कुमारी सुपुत्री श्री मनोज कुमार साहु, जन्‍म ति‍थि‍- १८-२-१९९८, पता- गाम- लक्ष्‍मि‍नि‍याँ, पोस्‍ट- छजना, भाया- नरहि‍या, थाना- लौकही, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)

47. रंगमंच हास्‍य अभि‍नय लेल वि‍देह समग्र योगदान सम्‍मान
टाॅसि‍फ आलम सुपुत्र मो. मुस्‍ताक आलम, पता- गाम+पोस्‍ट- चनौरागंज, भाया- झंझारपुर, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)।

कवि‍ सम्मेलन-
अध्‍यक्ष- श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल।
मंच संचालक- उमेश मण्‍डल।
समीक्षक- डॉ. योगानन्‍द झा तथा कुमार रामेश्वरम् एवं डाॅ. शि‍वकुमार प्रसाद।
धन्‍यवाद ज्ञापन- श्री बेचन ठाकुर।

कवि‍गण तथा कवि‍ताक नाओं-
(1)  श्री शम्‍भु सौरभ- सुरूज मारए हुलकी
(2)  श्री उमेश पासवान- कागज
(3)  श्री रामविलास साहु- केना कहब भारत महान्
(4)  श्री नन्‍द वि‍लास राय- मि‍थि‍ला वर्णन
(5)  श्री श्री हेमनाराण साहु- हम छी मैथि‍ल
(6)  श्री परमान्‍द प्रभाकर- खखनुआँ भुखल सुतलैए
(7)  डॉ. योगानन्‍द झा
(8)  मो. गुल हसन- कि‍सानक खरि‍हान
(9)  श्री राजदेव मण्‍डल- जय हे कि‍सान 
(10) श्री उपेन्‍द्र नारायण अनुपम- गेल चौवन्नी
(11) श्री कपि‍लेश्वर राउत- हमरा कि‍छु ने फुराइए
(12) शशि‍कान्‍त झा- एतबे आंगन
(13) श्री वि‍पीन कुमार कर्ण- व्‍यवस्‍थाक जाति‍-पाति‍
(14) गौरी शंकर साह- वि‍वाह वि‍वाद होइत
(15) शि‍व कुमार मि‍श्र- मान
(16) लक्ष्‍मी दास- हर जोति‍ हरबाह
(17) डॉ. शि‍वकुमार प्रसाद- कजरौटी केर काजर संग
(18) श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल- दि‍न राति‍क खेल।

एकांकी नाटक सतमाए
नाटककार- श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल
नि‍र्देशक- श्री बेचन ठाकुर
पात्र- परि‍चय-
(1)  बुद्धि‍धारी बाबू-  हाई स्‍कूलक प्रधानाध्‍यापक,             भूमि‍कामे- सुश्री पूजा कुमारी
(2)  वि‍पति‍बाबू-      हाई स्‍कूलक एक गोट सहायक शि‍क्षक,    भूमि‍कामे- सुश्री सरस्‍वती कुमारी
(3)  पुलकि‍त-       हाई स्‍कुलक चपरासी,                भूमि‍कामे- सुश्री संगीता कुमारी
(4)  सुलक्षणी-      वि‍पति‍ बाबूक माए                   भूमि‍कामे- सुश्री ललि‍ता कुमारी
(5)  शि‍वकुमार-     वि‍पति‍ बाबूक बटा-                  भूमि‍कामे- सुश्री ज्‍योति‍ कुमारी
(6)  खजूरि‍या-      एक गोट ग्रामीण महि‍ला,               भूमि‍कामे- सुश्री सुलेखा कुमारी
(7)  तेतरी-        दोसर ग्रामीण महि‍ला,                 भूमि‍कामे- सुश्री पुनम कुमारी
(8)  चि‍न्‍तामणी-      एक गोट साधारण कि‍सान,             भूमि‍कामे- सुश्री रोशनी कुमारी
(9)  सावि‍त्री-             चि‍न्‍तामणि‍क पत्नी,                   भूमि‍कामे- सुश्री रागि‍नी कुमारी
(10) गीता-        चि‍न्‍तामणि‍क बेटी,                   भूमि‍कामे- सुश्री माला कुमारी
(11) पुरोहि‍त-      गामक पंडीजी,                     भूमि‍कामे- सुश्री राधा कुमारी
(12) जय मालाक कालाकार-        भूमि‍कामे- सुश्री खुशबू, पुनम, सुलेखा, रागि‍नी, सोनी कुमारी।
(13) परि‍छन गीत-               भूमि‍कामे- सुश्री सुलेखा आ पुनम कुमारी

मैथि‍ली नाटक गंगा ब्रि‍ज
नाटककार- श्री गजेन्‍द्र ठाकुर
ि‍नर्देशक- श्री बेचन ठाकुर
पात्र-परि‍चय-
(1)  बच्‍चा-1             मि‍थि‍लेश कुमार यादव
(2)  बच्‍चा-2             आनन्‍द मोहन कुमार यादव
(3)  बच्‍चा-3             कुणाल कि‍शोर धीरज
(4)  मुख्‍यमंत्री-            देवन कुमार मण्‍डल
(5)  मीत-               बैद्यनाथ कुमार ठाकुर
(6)  बाउ-               सोनू कुमार
(7)  लाला-              गणेश कुमार
(8)  दादा-               वलराम कुमार यादव
(9)  बि‍लट-              अमि‍त आनन्‍द
·        अभि‍यंता-            कृष्‍ण कुमार यादव
·        अभि‍यंताक पत्नी-        रंजीत कुमार राम
·        अभि‍यंताक बेटी-        कणाद कि‍शोर नीरज
·        अभि‍यंताक बेटा-        शुभम शंकर गुप्‍ता
·        ठीकेदार-             सूरज कुमार
·        पहि‍ल मजदूर-         ब्रह्मानंद कुमार यादव
·        दोसर मजदूर-         शि‍वकुमार यादव
·        तेसर मजदूर-          संतीत कुमार यादव
·        पहि‍ल शि‍क्षक-         कि‍शोर कुमार ठाकुर
·        दोसर शि‍क्षक-         अभि‍नाश कुमार साह
·        ढोलहो देनीहार-        राजेश कुमार महतो
·        पहि‍ल डंका बजेनि‍हार-    कमल कि‍शोर पंकज
·        दोसर डंका बजेनि‍हार-    कि‍शोर कुमार यादव
·        बतही माए-           उमेश कुमार राम
·        पैघ भाय-            सुभाष कुमार
·        अभि‍यंताक मि‍त्र-        सुनील कुमार महतो
·        कनि‍याँ काकी-         रामबाबू भारती
·        पुरान अभि‍यंता-        सि‍कन्‍दर कुमार यादव
·        पहि‍ल प्रोफेसर-         रमेश कुमार
·        दोसर प्रोफेसर-         मो. कलामुद्दीन अंसारी
·        इसकुल छात्र-         प्रभाष कुमार, शि‍वकुमार मुखि‍या, प्रशांत कुमार आ संजन कुमार
·        कॉलेजक छाद्ध-        कृष्‍णानंद कुमार, शि‍वजी मण्‍डल, गंुजन कुमार, अजीत कुमार मण्‍डल,
रंजीत कुमार मण्‍डल, मि‍थि‍लेश कुमार राम, मो. इरफान अंसारी
जट-जटीन-
जब-जब पढ़ए कहलि‍औ रे जटा.....
गीत प्रस्‍तुति‍- सुश्री ज्‍योति‍ कुमारी आ सुश्री बबि‍ता कुमारी।
जटीन पक्ष- सुश्री दुर्गी कुमारी, श्वेता कुमारी, सीता कुमारी आ संगीता कुमारी।
जटा पक्ष- सुश्री रीना कुमारी, पूजा कुमारी, कंचन कुमारी तथा पूर्णिमा कुमारी।



एकांकी- जजाति”‍
नाटककार- श्री नंद वि‍लास राय
नि‍र्देशक- श्री बेचन ठाकुर
पत्र-परि‍चय-

(1)  फूलचन्‍द-      गामक एकटा खलीफा-    भूमि‍कामे- मो. नौशाद आलम
(2)  वनवाली-       फूलचन्‍दक पि‍ता-       भूमि‍कामे- राम बाबू भारती
(3)  मैलामवाली-                       भूमि‍कामे- अमि‍त आनन्‍द-
(4)  गामवाली-                        भूमि‍कामे- वि‍क्की कुमार कर्ण
(5)  ति‍लाठवाली-     फूलचन्‍दक पत्नी-        भूमि‍कामे- मि‍थि‍लेश कुमार यादव
(5)           
महान सामाजि‍क मैथि‍ली नाटक- ऊँच-नीच
नाटककार- श्री बेचन ठाकुर
ि‍नर्देशक- श्री बेचन ठाकुर
पात्र परि‍चय-

(1)  मंगल मल्लि‍क-         रामनगर गामक डोम-           भूमि‍कामे- सुश्री राधा कुमारी।
(2)  मरनी-              मंगल केर पत्नी-              सुश्री आशा कुमार।
(3)  दुखन-              मंगल केर पुत्र मैट्रीक पास-      सुश्री श्वेता कुमारी।
(4)  बुधन-               एकटा ग्रामीण-               सुश्री रीना कुमारी।
(5)  चन्‍द्रेश झा-           एकटा सुखी सम्‍पन्न, कंजूश ब्राह्मण‍- सुश्री वीभा कुमारी।
(6)  मनीषा-              चन्‍द्रेशक पत्नी-               सुश्री सुवि‍ता कुमारी।
(7)  चन्‍द्रप्रभा-             चन्‍द्रशक इकलौती बेटी-         सुश्री ज्‍योति‍ कुमारी।
(8)  रबीया-              मंगल केर दि‍याद भाय-         सुश्री बबि‍ता कुमारी।
(9)  शशि‍कांत-            दारू दोकानदार-              सुश्री रोशनी कुमारी।
·        सीताराम-            एकटा गरीब आदमी-           सुश्री आरती कुमारी।
·        शीला-              ताड़ीवाली-                  सुश्री शगुफता परवीण।
·        देबन-               एकटा ताडी पि‍याक-           सुश्री दुर्गा कुमारी।
·        सुकराती-            दोसर ताड़ी पि‍याक-           सुश्री संगीता कुमारी।
·        छट्टू-               तेसर ताड़ी पि‍याक-           सुश्री प्रीति‍ कुमारी।
·        झि‍ंगूर-              एकटा नामी-गामी चाहबला-       सुश्री रानी कुमारी।
·        संजीत-              मैट्रीकक वि‍द्यार्थी-             सुश्री कंचन कुमारी।
·        हरीश-              मैट्रीकक वि‍द्यार्थी-             सुश्री पूर्णिमा कुमारी।
·        भोलू-               मैट्रीकक वि‍द्यार्थी-             सुश्री चाँदनी कुमारी।
·        गौरी-               पेपरबला-                  सुश्री पूजा कुमारी।
·        राम प्रवेश-           एकटा ग्रामीण-               सुश्री सरस्‍वती कुमारी।
·        इंजीनि‍यर-            मंगलक बेटा-                सुश्री प्रीति‍ कुमारी।
·        डाॅक्‍टर-             चन्‍द्रेशक बेटी-               सुश्री पूजा कुमारी।
·        लक्ष्‍मण-             लड़ि‍की छात्रावासक मालि‍क-      सुश्री आरती कुमारी।
·        ब्रह्मानंद-             वकि‍ल, चन्‍द्रेशक मि‍त्र-         सुश्री आरती कुमारी।
·        मणि‍कांत-            वुजुर्ग कायस्‍त-               सुश्री सोनम कुमारी।
·        शांति‍-              डॉक्‍टरक सहेली-                   सुश्री नीतू कुमारी।
·        नि‍त्‍यानंद मि‍श्र-         रेलमंत्री-                   सुश्री सीता  कुमारी।
·        वरूण झा-            ि‍नत्‍यानंद मि‍श्रक अंगरक्षक-       सुश्री सबि‍ता कुमारी।
·        ओपीनदर-            मंगलक पि‍ति‍औत सार-         सुश्री चि‍न्‍तामणि‍ कुमारी।
·        परमानन्‍द-            चन्‍द्रेशक पड़ोसी-             सुश्री दि‍व्‍या कुमारी।
·        कृष्‍णानन्‍द-            चन्‍द्रेशक पड़ोसी-             सुश्री राधा कुमारी।
·        उमा-               ब्रह्मानंदक बेटीक सहेली-        सुश्री सोनल कुमारी।
·        मोतीलाल-            पंचायतक सरपंच-             सुश्री सुधा कुमारी।
·        रामानंद-                   चन्‍द्रेशक अप्‍पन लोक-          सुश्री खुशबू कुमारी।
·        चन्‍द्रकांत-            चन्‍देशक अप्‍पन लोक-          सुश्री ज्‍योति‍ कुमारी।
·        उमाकान्‍त-            चन्‍द्रेशक अप्‍पन लोक-          सुश्री नि‍क्की कुमारी।
·        शोभाकान्‍त-           चन्‍द्रेशक अप्‍पन लोक-          सुश्री मानसी कुमारी।
·        इन्‍द्र नारायण-          चन्‍द्रेशक अप्‍पन लोक-          सुश्री सत्‍यम कुमारी।
·        लूटन-              दोसर पेपरबला-              सुश्री संगीता कुमारी।
·        नरेश-               पहि‍ल गुंडा-                 सुश्री खुशबू कुमारी।
·        भद्रेश-              दोसर गुंडा-                 सुश्री द्रोपदी कुमारी।
·        उग्रेश-              तेसर गुंडा-                 सुश्री सुषमा कुमारी।
·        सुरेश-              चारि‍म गुंडा-                सुश्री रंजीता कुमारी।
·        महेश-              पाँचि‍म गुंडा-                सुश्री बबली कुमारी।
·        जयमाला हेतु दाय-माय-   गीतहारि‍ सभ-               .......................
सुश्री सरस्‍वती कुमारी।
सुश्री पुनम कुमारी।
सुश्री सुलेखा कुमारी।
सुश्री रागनी कुमारी।
सुश्री खुसबू कुमारी।
सुश्री उजाला कुमारी।
सुश्री पूष्‍पा कुमारी।
सुश्री सबि‍ता कुमारी।


नुक्कर- साइकि‍लक पाय
नुक्करकार- श्री बेचन ठाकुर
प्रस्‍तुति‍-
(1)  ि‍वपीन-        हेड मास्‍टर-          श्री कि‍शोर कुमार ठाकुर
(2)  राम सेवक-     कि‍रानी-                   श्री अवि‍नाश कुमार साह
(3)  वि‍द्यार्थी-                         श्री चन्‍दन कुमार, कुंदन कुमार, सोनी कुमारी,
(4)  प्रभाष-                          प्रभाष कुमार,
(5)  वि‍नय-                          वि‍नय कुमार
(6)  वीरेन्‍द्रक पि‍ता-                     चंदन कुमार
(7)  शालि‍नी-                         ..............
(8)  मधुकर-                         चंदन कुमार

महादेव गीत- अब ने चढ़ब बरदपर हौ बाबा......
प्रस्‍तुति‍- श्री कि‍शोर कुमार यादव।

स्‍वागत गीत-1 स्‍वागत की लए करब अहाँक......
गीतकार- श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल
प्रस्‍तुति‍- सुश्री पुनम कुमारी आ सुलेखा कुमारी।

स्‍वागत गीत-2 अति‍थि‍ स्‍वागतम् अति‍थि‍ स्‍वागतम्.....
गीतकार- श्री बेचन ठाकुर
प्रस्‍तुति‍- श्री अमीत रंजन।

स्‍वागत गीत-3 प्रि‍य पाहुन स्‍वागत स्‍वीकार करू......
गीतकार- श्री बेचन ठाकुर
प्रस्‍तुति‍- श्री मनोज कुमार महतो।

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
प्रो. हरिमोहन झाक पुण्यतिथि मनाओल गेल- वाद- http://www.videha.co.in/Sumit.jpgसुमित आनन्द        
२३ फरवरी २०१३ केँ  विश्वविद्यालय मैथिली विभाग, . ना. मि. वि., दरभंगाक मैथिली सााहित्य परिषद्  द्वारा प्रो. हरिमोहन झाक २९म पुण्यतिथिक अवसरपर एक गोष्ठीक आयोजन कल गेल। अवसरपर विभिन्न वक्ता लोकनि हुनक व्यक्तित्व एवं कृतित्वपर चर्चा करैत हुनका कालजयी रचनाकार कहलनि। गोष्ठीक अध्यक्षता करैत डा. धीरेन्द्र नाथ मिश्र कहलनि जे प्रो. हरिमोहन झा हास्य रसक सिद्धहस्त लेखक रहितो करुणासँ भरल साहित्यकार छलाह। डा. रमण झा हुनक कृतित्वपर विस्तारसँ चर्चा करैत कहलनि जे प्रो. झाक रचनामे जे ज्योतिष  तत्व भेटैत अछि से पैघसँ  पैघ पंडितोक हेतु ग्राह्य अछि। विभूति आनन्दक कहब छलनि जे हरिमोहन बाबू सदिखन पाठककेँ हँसबैत गुदगुदबैत रहलाह मुदा अन्त हुनक नोरमे डुबल रहल।
अवसरपर श्यामानन्द शाण्डिल्य, किरण मिश्र एवं अर्चना कुमारी सेहो अपन अपन विचार व्यक्त केलनि। सुरेन्द्र भारद्वाजक धन्यवाद ज्ञापनसँ कार्यक्रमक समाप्ति भेल।
http://www.videha.co.in/SumitReport1.jpghttp://www.videha.co.in/SumitReport2.jpg


 
ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com  पर पठाउ।

. पद्य







...http://www.videha.co.in/BindeshwarNepali.jpgबिन्देश्वर ठाकुर "नेपाली"- खूनक ढेला संग नव पुस्तक पतन
रामचन्‍द्र प्रसाद जीक दूटा कवि‍ता-

प्रदूषण

सुनह हौ भैया सुनू हे बहि‍नी
आब केना कऽ बचतै प्राण हे।
प्रदूषणक समस्‍या एलै
लऽ लेतै जान हे।
गाछ काटि‍ जंगल उजाड़ि‍
अपन बढ़बै छी शान हे।
अगि‍ला पीढ़ीले कि‍छु ने सोचै छी
एकर समस्‍या महान हे।
वायुमण्‍डलक सन्‍तुलन बि‍गड़ि‍ गेल
मानुष करैए त्राहि‍माम हे।
कखनो ठंढी कखनो गरमी
बाढ़ि‍क ताण्‍डव महान हे।
गन्‍दीक जाला नदीमे खसैत अछि‍
जलमे भरल वि‍षाणु हे।
नव-नव बेमारी उमड़ल अछि‍
जीवनक काेनो ने ठेकान हे।
बम बारूद मि‍साइल बनबैत अछि‍
शानेमे होइत अछि‍ हानि‍ हे।
खुला मैदानमे शौच करैत अछि‍
शौचालयपर नै अछि‍ धि‍यान हे।
प्रदूषण ि‍नयंत्रण कानून बना कऽ
मानव केर करि‍यो कल्‍याण हे।
कवि‍ करजोरि‍ कहैए
सभ कि‍यो रखि‍यो धि‍यान हे।
सुनह हौ भैया सुनू हे बहि‍नी
केना कऽ बँचतै प्राण हे।

कि‍सानक हाल

कि‍सानक छाती वि‍हुँसि‍ रहल अछि‍
बेटा बेटी नै पढ़ि‍ रहल अछि‍।
अकालक गालमे कि‍सान समाएल
हि‍नकापर संकट छन्‍हि‍ आएल।

महगाइ चरम सीमा छुबैत अछि‍
चौका छक्का मजदूर मारैत अछि‍।
कि‍सानक हाल भेल बेहाल
बि‍ना जमीन बेचने नै होइत अछि‍ बेटी बि‍आह।

खाद-बीजमे महगाइ भरल अछि‍
कि‍सानक दि‍लमे लहरि‍ उठल अछि‍
अन्नदाता कि‍सान कहबैत अछि‍
अन्नक मूल्‍य बेपारी रखैत अछि‍
यएह वि‍डम्‍बनाक तर पड़ल कि‍सान
अहाँ समानक दाम रखैए आन।

खाद बि‍ज फैक्‍ट्रीसँ अबैत अछि‍
ओकर मूल्‍य ओहए रखैत अछि‍
एक दि‍न पृथ्‍वीपर मचत हाहाकार
अन्न देवता अन्न दइसँ लचार
खेती लागतमे बढ़ल तूफान
आब कि‍नको नै बचतै प्राण।

बि‍नु घूस अफसर नै सुनैत अछि‍
एलेक्‍शनक खर्चा फैक्‍ट्री-मालि‍क उठबैत अछि‍।
मनमाना वस्‍तुपर दाम
एकर मारि‍ झेलैए कि‍सान।

नेताजी सभ मोछ पि‍जबै अछि‍
कि‍सानक हाल कि‍यो नै पुछैत अछि‍।
भगवानोकेँ ने रहलनि‍ धि‍यान
ऐ धरतीपर कि‍एक बनौलनि‍ कि‍सान।

सम्‍पर्क-
सुपुत्र स्‍व. मि‍श्री लाल साह
गाम- उढ़वा (बड़ा), पोस्‍ट- खुटौना
थाना- लौकहा, जि‍ला- मधुबनी (बि‍हार)


ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
http://www.videha.co.in/BechanThakur.jpgबेचन ठाकुर जीक दूटा स्‍वागत गीत

प्रि‍य पाहुन......
प्रि‍य पाहुन, स्‍वागत स्‍वीकार करू
स्‍वीकार करू, यौ साकार करू
प्रि‍य पाहुन......

(कथीसँ स्‍वागत करब, नै वि‍ध-वि‍धान अछि‍
पूजाक कि‍छु, नै आेरि‍यान अछि‍)
अबोध केर, पि‍यार करू
यौ पि‍यार करू, हे यौ पि‍यार करू।
प्रि‍य पाहुन......

(साहि‍त्‍य संगीत, कला वि‍हीन
सभ्‍यता, संस्‍कृति‍ दीन)
रक्षकगण, तैयार करू
यौ तैयार करू, हे यौ तैयार करू।
्प्रि‍य पाहुन......

(दर्शन ले, पि‍आसल छेलौं
प्रेम श्रद्धाक, रकटल छेलौं)
अभि‍मत, बहार भरू
यौ बहार भरू, हे यौ बहार भरू
प्रि‍य पाहुन......

अति‍थि‍गण स्‍वागतम्......

अति‍थि‍गण स्‍वागतम्, ति‍थि‍गण स्‍वागतम्।
दर्शन पाबि‍ गदगद, पाहुन स्‍वागतम्
अति‍थि‍गण......

(नै पान प्रसाद, नै चाहक बेवस्‍था।
बैसक नै बेवहार, कलामे पूर्ण आस्‍था।)
सभ्‍यता संस्‍कृति‍केँ, हार्दिक स्‍वागतम्। पाहुन स्‍वागम।
अति‍थि‍गण......

(नै संगीत साहि‍त्‍य, नै कला शि‍ष्‍टाचार।
शुभ असीरवादसँ, हटत सभ अन्‍हार।)
राम रहीम कृष्‍ण कबीर, टेरेसा शरमणम्
पाहुन स्‍वागतम्
अति‍थि‍गण......

(धन्‍य भल कोचिंग, धन्‍य पूजा समि‍ति‍।
धन्‍य वि‍देह परि‍वार, चनौरागंज बस्‍ती)
गुरुजन वि‍द्वतगण, सज्‍जन बुद्धम।
पाहुन स्‍वागत्
अति‍थि‍गण......


ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। 

No comments:

Post a Comment

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।