भालसरिक गाछ/ विदेह- इन्टरनेट (अंतर्जाल) पर मैथिलीक पहिल उपस्थिति

(c)२०००-२०२३. सर्वाधिकार लेखकाधीन आ जतऽ लेखकक नाम नै अछि ततऽ संपादकाधीन। विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA सम्पादक: गजेन्द्र ठाकुर। Editor: Gajendra Thakur

रचनाकार अपन मौलिक आ अप्रकाशित रचना (जकर मौलिकताक संपूर्ण उत्तरदायित्व लेखक गणक मध्य छन्हि) editorial.staff.videha@gmail.com केँ मेल अटैचमेण्टक रूपमेँ .doc, .docx, .rtf वा .txt फॉर्मेटमे पठा सकै छथि। एतऽ प्रकाशित रचना सभक कॉपीराइट लेखक/संग्रहकर्त्ता लोकनिक लगमे रहतन्हि। सम्पादक 'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऐ ई-पत्रिकामे ई-प्रकाशित/ प्रथम प्रकाशित रचनाक प्रिंट-वेब आर्काइवक/ आर्काइवक अनुवादक आ मूल आ अनूदित आर्काइवक ई-प्रकाशन/ प्रिंट-प्रकाशनक अधिकार रखैत छथि। (The Editor, Videha holds the right for print-web archive/ right to translate those archives and/ or e-publish/ print-publish the original/ translated archive).

ऐ ई-पत्रिकामे कोनो रॊयल्टीक/ पारिश्रमिकक प्रावधान नै छै। तेँ रॉयल्टीक/ पारिश्रमिकक इच्छुक विदेहसँ नै जुड़थि, से आग्रह। रचनाक संग रचनाकार अपन संक्षिप्त परिचय आ अपन स्कैन कएल गेल फोटो पठेताह, से आशा करैत छी। रचनाक अंतमे टाइप रहय, जे ई रचना मौलिक अछि, आ पहिल प्रकाशनक हेतु विदेह (पाक्षिक) ई पत्रिकाकेँ देल जा रहल अछि। मेल प्राप्त होयबाक बाद यथासंभव शीघ्र ( सात दिनक भीतर) एकर प्रकाशनक अंकक सूचना देल जायत। एहि ई पत्रिकाकेँ मासक ०१ आ १५ तिथिकेँ ई प्रकाशित कएल जाइत अछि।

 

(c) २००-२०२ सर्वाधिकार सुरक्षित। विदेहमे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ताक लगमे छन्हि।  भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल http://www.geocities.com/.../bhalsarik_gachh.htmlhttp://www.geocities.com/ggajendra  आदि लिंकपर  आ अखनो ५ जुलाइ २००४ क पोस्ट http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  (किछु दिन लेल http://videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html  लिंकपर, स्रोत wayback machine of https://web.archive.org/web/*/videha  258 capture(s) from 2004 to 2016- http://videha.com/  भालसरिक गाछ-प्रथम मैथिली ब्लॉग / मैथिली ब्लॉगक एग्रीगेटर) केर रूपमे इन्टरनेटपर  मैथिलीक प्राचीनतम उपस्थितक रूपमे विद्यमान अछि। ई मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ "विदेह" पड़लै।इंटरनेटपर मैथिलीक प्रथम उपस्थितिक यात्रा विदेह- प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका धरि पहुँचल अछि,जे http://www.videha.co.in/  पर ई प्रकाशित होइत अछि। आब “भालसरिक गाछ” जालवृत्त 'विदेह' ई-पत्रिकाक प्रवक्ताक संग मैथिली भाषाक जालवृत्तक एग्रीगेटरक रूपमे प्रयुक्त भऽ रहल अछि। विदेह ई-पत्रिका ISSN 2229-547X VIDEHA

Sunday, May 05, 2013

'विदेह' १२८ म अंक १५ अप्रैल २०१३ (वर्ष ६ मास ६४ अंक १२८) PART II


. पद्य





.. १.http://www.videha.co.in/Jagdish_Prasad_Mandal.JPGजगदीश प्रसाद मण्‍डल २.http://www.videha.co.in/ManojKumarMandal.jpgमनोज कुमार मण्‍डल



..http://www.videha.co.in/AmitMishra.jpgअमित मिश्र-प्रमाण
http://www.videha.co.in/JagdishChandraThakurAnil.jpgजगदीश चन्द्र ठाकुर अनिल
गजल
बिना बियाहे घरमे कनियां    केहेन लगैए
कहू त काकी बदलल दुनियां केहेन लगैए

वर कनियां दूनूक हाथमे       सेर-तराजू
दूनू पक्ष बनल अछि बनियां  केहेन लगैए

तारि देलक दूनू कुलकें      पीओ बनिकऽ
भौजी ई बेटी लछमिनियां   केहेन लगैए

जाहि घरमे क्यो रूसल क्यो भूखल हो
ओतऽ झालि ढोलक हरमुनियां केहेन लगैए

अहां आब तं दौड़ि सकैछी      यौ बौआ
आब अहांकें देब ठेहुनियां    केहेन लगैए

उठू मन्थरासं मुक्तिक किछु युक्ति करू
शुभक घड़ीमे ई पेटकुनियां केहेन लगैए

अहां स्वयं सामर्थ्यवान छी   हे राजन
ककरो आगू करब खेखनियां केहेन लगैए

आखर-आखर सुनिते रहलौं
हऽम अहां दिस तकिते रहलौं

आइ एतऽ छी काल्हि ओतऽ छी
सभदिन सभकें ठकिते रहलौं

हंसै-गबैछी हम अनका लग
एसगरमे हम कनिते रहलौं

सभकिछु अथवा किछु नै चाही
सभदिन अहिना रुसिते रहलौं

ओ चलबाले बाट बनौलनि
हऽम पथिक छी चलिते रहलौं

एतऽ अन्हरिया रहलै सभदिन
मोम जकां हम गलिते रहलौं

कलियुग आर कते दिन रहतै
सभदिन सभकें पुछिते रहलौं

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
http://www.videha.co.in/sumit_kariyan.jpgसुमित मिश्र
करियन , समस्तीपुर
भक्ति गजल

हम निर्बुद्धि-पापी बैसल कानै छी
पुत्र अहीँके जननी क्षमा माँगै छी

तोहर दुआरि बड भीड़ हे मैया
कखन देब दर्शन आब हारै छी

अष्टभुजा नवरुप जगदम्बिके
दशो दिशा विभूषित अहाँ साजै छी

ममतामयी झट दया-दृष्टि करु
नाव भँवरसँ दुःखियाके उबारै छी

अरहुल फूल आ ललका चुनरी
असुर विनासिनी जगके तारै छी

"
सुमित" बालक जुनि ज्ञान हे दुर्गे
चरण बैसिकऽ गीत अहीँके गाबै छी

वर्ण-12


 

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
http://www.videha.co.in/JagdanandJha.jpgजगदानन्द झा मनु
ग्राम पोस्ट- हरिपुर डीहटोल, मधुबनी  
गजल

माँ शारदे वरदान दिअ
हमरो हृदयमे ज्ञान दिअ

हरि ली सभक अन्हार हम
एहन इजोतक दान दिअ

सुनि दोख हम कखनो अपन
दुख नै हुए ओ कान दिअ

गाबी अहीँकेँ  सगर गुण
सुर कन्ठ एहन तान दिअ

 

बुझि पुत्र मनुकेँ माँ अपन
कनिको हृदयमे स्थान दिअ


(
बहरे रजज, मात्रा क्रम - २२१२-२२१२)


 

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
.http://www.videha.co.in/Jagdish_Prasad_Mandal.JPGजगदीश प्रसाद मण्‍डल .http://www.videha.co.in/ManojKumarMandal.jpgमनोज कुमार मण्‍डल
http://www.videha.co.in/Jagdish_Prasad_Mandal.JPGजगदीश प्रसाद मण्‍डल
जगदीश प्रसाद मण्‍डलक दूटा अनुपम गीत

भगवती गीत-

एना कि‍अए बनेलौं हे मइये
एना कि‍अए बनेलौं।
दुनि‍याँ रचै-बसैले
दुनि‍याँ अहाँ बनेलौं।
भूमा भोग भगा-भगा
माइयक कोर छोड़ेलौं।
हे मइये......

सूखल रोटी अल्‍लू सनि‍ सानि‍
दि‍न-राति‍ कि‍अए खुएलौं
बाँकी भगा-भगा कऽ
रोग-वि‍याधि‍ पठेलौं
एना कि‍अए......

जामंतो फूल-गाछ सि‍रजि‍
जामंतो फूल-फल सजेलौं
चीन्‍ह-पहचीन्‍ह वि‍स बि‍सरा
अगुआ थारी खि‍ंचलौं हे मइये
एना कि‍अए......

बानि‍ वहारि‍ नयन दहाड़ि‍
बनवासी बना पठेलौं।
कलपि‍-तड़पि‍ तैयो कहै छी
हीआ जोगि‍ जोगेलौं हे मइये
एना कि‍अए......
आनक बोझ......

आनक बोझ उठाबै खाति‍र
अपनो बोझ भड़कि‍ गेलै।
दबि‍-दबि‍, उनरि‍-उनरि‍
जुन्ने बीच ससड़ैत गेलइ।
मीत यौ, अपनो......

पसरल पानि‍ धार तरहत्‍थी
बीतल-अतल बनैत गेलै।
सि‍र ससरि‍-ससरि‍ सर
अपनो पएर पि‍छड़ैत गेलै।
मीत यौ, अपनो......

रहलै ने सुधि‍-बुधि‍ मि‍सि‍ओ
मोसि‍आनी बदलैत गेलै।
उज्जर कागज-कलम कहि‍-सुनि‍
आखर कारी अंकड़ैत गेलै।
मीत यौ, आखर......

घूरि‍ घूर घुड़लै जखन
मारि‍ मेघ मारैत गेलै।
कटि‍ कोदारि‍ कोदरकट्टा भऽ भऽ
रूप अमावस धड़ैत गेलै।
मीत यौ, जुन्ना बनि‍ ससरैत गेलै।
मीत यौ, आनक......

http://www.videha.co.in/ManojKumarMandal.jpgमनोज कुमार मण्‍डल

पाँचटा बाल कविता-


कित -कित


तूँ कित-कित खेल
एक्के टांगपर रेंग-रेंग
चारू कात घूम
दोसर रोपने बनमे चोरनी 
नै तँ रानी बन
बुच्ची तोरा टांग छौ दू
एक टांगसँ रानी बनै छै
दोसर रहने महरानी
एहने छै जिनगीक खेल
नीत चलत ओ
पहुँचत नै अबेर
रुकने-झुकतै माथ हरबेर। 
  

सुन बाबू  सुन

सुन सुन सुन
सुन बाबू सुन
सीख एहेन गुण
बाबाक पगरी आ
बाबूक माथ नै
करियनु कहिओ सुन्न

सुन सुन सुन
सुन दैया   सुन 
हीरा मोती की चमकतै 
चमकै छै तँ गुण 
गुणक गहना जे पहिरत 
से बनत गि‍रथनि‍ 

सुन सुन सुन
धिया-पुता सुन
सगतर छि‍ड़ि‍आएल छै
गुणक मोती
बुधि लगा कऽ 
जे भऽ सकौ से बीछ‍ 

सुन सुन सुन
मुन्ना आ मुन्नी सुन 
मनक खेतमे 
बुधिक बिआ बून 
फड़तौ ओइमे 
कएक-ने-कएकटा गुण। 



लोभ

कुत्तिया दिदिक बिआहमे
घनेरो कुत्ता बरियाती आएल 
दोस्त रहनि‍ मूसाजी
तिनको ओ संगे नेने एलाह
सखी-बहिनपा देखैले एली
बिलाइ मौसी सेहो एली
मूसाजीकेँ देखते देरी 
जीसँ खसलन्हि‍ पानि 
मूसाजी लग सहटि‍ ओ बैसली 
बजलि एहेन सुन्नर कतए 
भेटत हमरा वर।
      

बक-बक 

कर नै बक बक 
बनिहेँ नै ठक 
तूँ एहन महक 
खुजि जाए 
सबहक भक 
हेतौ नै तोरापर
केकरो शक 
तूँ बुधिसँ 
अपनाकेँ ढक 
बनबे आँखि‍क तारा सबहक
चलैत रह बेधरक। 


इंजन

नम्हर-नम्हर लगि रहल छै 
दुइये पटरीपर चलि रहल छै 
एक्केटा इंजन केकटा डिब्बा 
सभकेँ इंजन खींच रहल छै 
रेलक ई अद्भुत खेल 
सभकेँ सुन्नर लागि रहल छै
पगि भऽ बनि हम इंजन 
अहिना खींची अप्पन जीवन 
एहेन हमारा लागि रहल छै।

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
http://www.videha.co.in/RajdevMandal.jpgराजदेव मण्‍डल
  
राजदेव मण्‍डल
दूटा पद्य

लटकल छी

दुनू हाथ अछि‍ कड़ीसँ बान्‍हल
ओहीपर हम अँटकल छी
पएरक नीचाँ उधि‍अाइत समुंदर
आसमानमे लटकल छी
छड़पटेलासँ हाड़-पांजर दुखाइत अछि‍
बेसी चि‍चि‍एलासँ कंठ सुखाइत अछि‍
कहुना कऽ जीब रहल छी
जि‍नगीक जहर पीब रहल छी
नीचाँ गीरब तँ डूमि‍ मरब
तँए की हम लटकले रहब
आब नै मानब
जेकरा नै देखने छी
तेकरो जानब
बन्‍हन तोड़ि‍ नीचाँ फानब
नै डरबै कठि‍न कारासँ
लड़बै वेगयुक्‍त धारासँ
करबे करब पार
उधि‍आइत तेज धार
देख रहल छी समुद्रक कछेर
तोड़ए पड़त आब कड़ीक घेर
जेकरा करबाक चाही सवेर
तेकरे केलौं अबेर।





बटमारि‍क गीत

कि‍एक कऽ रहल छी
एना ठेमम-ठेल यौ
हम नै छी बकलेल यौ।
जहूक लेल हम छी जोग
तहूसँ भेल छी अभोग
कि‍अए ने भेट रहल अछि‍
जगह हमरो लेल यौ
हम नै......

हमरो मन छल गबि‍तौं गान
घटले जाइत अछि‍ मान-समान
कष्‍टमे रहत जँ मन-प्राण
कतएसँ गाएब सुख केर गान
दुखसँ नाता अछि‍
आब हमर जुड़ि‍ गेल यौ
हम नै......

हमरा लेल जगह नै खाली
व्‍यंग्‍यसँ बजबैत अछि‍ सभ ताली
असली-नकली करि‍ते-करि‍ते
हमहीं बनि‍ गेलौं पूरा जाली
हमरा सँगे चलि‍ रहल
ई कोन उनटा खेल यौ
हम नै......

अहाँ कहै छी- धरू आस
करू बारम्‍बार प्रयास
एक दि‍न करै पड़तै
अहूँसँ ओहि‍ना मेल यौ
नै रहब अहाँ बकलेल यौ।
हम नै......

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ।
http://www.videha.co.in/AmitMishra.jpgअमित मिश्र
प्रमाण

जेठक निर्मोही दुपहरियामे
टूटल-भाँगल एकपैरियापर
दुनियाँ भरिक विपतिक पहाड़
भरिगर बोझहामे बान्हि उठेने
घामसँ भीजल चिर्री-चिर्री भेल कपड़ासँ
भारतक गरीबीक प्रमाण दियाबैत
खाधिसँ बचैत, झटकैत जाइत
दस वर्षक लड़कीकेँ देखि कऽ
प्रमाणित भऽ जाइ छै एकटा कथन
जे सत्तमे महापापी छै मनुखक पेट

ऐ रचनापर अपन मंतव्य ggajendra@videha.com पर पठाउ। 

No comments:

Post a Comment

"विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका http://www.videha.co.in/:-
सम्पादक/ लेखककेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, जेना:-
1. रचना/ प्रस्तुतिमे की तथ्यगत कमी अछि:- (स्पष्ट करैत लिखू)|
2. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो सम्पादकीय परिमार्जन आवश्यक अछि: (सङ्केत दिअ)|
3. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो भाषागत, तकनीकी वा टंकन सम्बन्धी अस्पष्टता अछि: (निर्दिष्ट करू कतए-कतए आ कोन पाँतीमे वा कोन ठाम)|
4. रचना/ प्रस्तुतिमे की कोनो आर त्रुटि भेटल ।
5. रचना/ प्रस्तुतिपर अहाँक कोनो आर सुझाव ।
6. रचना/ प्रस्तुतिक उज्जवल पक्ष/ विशेषता|
7. रचना प्रस्तुतिक शास्त्रीय समीक्षा।

अपन टीका-टिप्पणीमे रचना आ रचनाकार/ प्रस्तुतकर्ताक नाम अवश्य लिखी, से आग्रह, जाहिसँ हुनका लोकनिकेँ त्वरित संदेश प्रेषण कएल जा सकय। अहाँ अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

"विदेह" मानुषिमिह संस्कृताम् :- मैथिली साहित्य आन्दोलनकेँ आगाँ बढ़ाऊ।- सम्पादक। http://www.videha.co.in/
पूर्वपीठिका : इंटरनेटपर मैथिलीक प्रारम्भ हम कएने रही 2000 ई. मे अपन भेल एक्सीडेंट केर बाद, याहू जियोसिटीजपर 2000-2001 मे ढेर रास साइट मैथिलीमे बनेलहुँ, मुदा ओ सभ फ्री साइट छल से किछु दिनमे अपने डिलीट भऽ जाइत छल। ५ जुलाई २००४ केँ बनाओल “भालसरिक गाछ” जे http://gajendrathakur.blogspot.com/ पर एखनो उपलब्ध अछि, मैथिलीक इंटरनेटपर प्रथम उपस्थितिक रूपमे अखनो विद्यमान अछि। फेर आएल “विदेह” प्रथम मैथिली पाक्षिक ई-पत्रिका http://www.videha.co.in/पर। “विदेह” देश-विदेशक मैथिलीभाषीक बीच विभिन्न कारणसँ लोकप्रिय भेल। “विदेह” मैथिलक लेल मैथिली साहित्यक नवीन आन्दोलनक प्रारम्भ कएने अछि। प्रिंट फॉर्ममे, ऑडियो-विजुअल आ सूचनाक सभटा नवीनतम तकनीक द्वारा साहित्यक आदान-प्रदानक लेखकसँ पाठक धरि करबामे हमरा सभ जुटल छी। नीक साहित्यकेँ सेहो सभ फॉरमपर प्रचार चाही, लोकसँ आ माटिसँ स्नेह चाही। “विदेह” एहि कुप्रचारकेँ तोड़ि देलक, जे मैथिलीमे लेखक आ पाठक एके छथि। कथा, महाकाव्य,नाटक, एकाङ्की आ उपन्यासक संग, कला-चित्रकला, संगीत, पाबनि-तिहार, मिथिलाक-तीर्थ,मिथिला-रत्न, मिथिलाक-खोज आ सामाजिक-आर्थिक-राजनैतिक समस्यापर सारगर्भित मनन। “विदेह” मे संस्कृत आ इंग्लिश कॉलम सेहो देल गेल, कारण ई ई-पत्रिका मैथिलक लेल अछि, मैथिली शिक्षाक प्रारम्भ कएल गेल संस्कृत शिक्षाक संग। रचना लेखन आ शोध-प्रबंधक संग पञ्जी आ मैथिली-इंग्लिश कोषक डेटाबेस देखिते-देखिते ठाढ़ भए गेल। इंटरनेट पर ई-प्रकाशित करबाक उद्देश्य छल एकटा एहन फॉरम केर स्थापना जाहिमे लेखक आ पाठकक बीच एकटा एहन माध्यम होए जे कतहुसँ चौबीसो घंटा आ सातो दिन उपलब्ध होअए। जाहिमे प्रकाशनक नियमितता होअए आ जाहिसँ वितरण केर समस्या आ भौगोलिक दूरीक अंत भऽ जाय। फेर सूचना-प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे क्रांतिक फलस्वरूप एकटा नव पाठक आ लेखक वर्गक हेतु, पुरान पाठक आ लेखकक संग, फॉरम प्रदान कएनाइ सेहो एकर उद्देश्य छ्ल। एहि हेतु दू टा काज भेल। नव अंकक संग पुरान अंक सेहो देल जा रहल अछि। विदेहक सभटा पुरान अंक pdf स्वरूपमे देवनागरी, मिथिलाक्षर आ ब्रेल, तीनू लिपिमे, डाउनलोड लेल उपलब्ध अछि आ जतए इंटरनेटक स्पीड कम छैक वा इंटरनेट महग छैक ओतहु ग्राहक बड्ड कम समयमे ‘विदेह’ केर पुरान अंकक फाइल डाउनलोड कए अपन कंप्युटरमे सुरक्षित राखि सकैत छथि आ अपना सुविधानुसारे एकरा पढ़ि सकैत छथि।
मुदा ई तँ मात्र प्रारम्भ अछि।
अपन टीका-टिप्पणी एतए पोस्ट करू वा अपन सुझाव ई-पत्र द्वारा editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाऊ।